Numbers10
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलनि,2“एक-एकटा चानीके ढेपस पिटक' दूटा तुरही बनाबए लेल कहू। समुदायके लोकसबके एकठाम आबएलेल बजाबएलेल तुरही बजाउ आओर इहो बताबएलेल जे ओकरासबके अपन तम्बूके नव जगहपर ल' जएबाक अछि।3जं दुनू तुरही बजाओल जाएत त' एकर मतलब ई जे पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर सबके एकठाम जमा होएबाक अछि।4जं मात्र एकटा तुरही बजाओल जाएत त' एकर मतलब ई जे इजराएलके कुलके बारह गोट मुखियाके मात्र एकठाम जमा होएबाक अछि।5जं जोर-जोर स तुरही बजाएल जाएत त' पवित्र तम्बूक पूर्व दिस जे कुल अछि, ओकरासबके आगु बढ़ि' पडत।6जखन दोसर बेर तुरही जोर स बजाएल जाएत तखन दक्षिण दिस जे गोत्र अछि, ओसब आगु बढ़ि' पडत। तुरही जोरस' बजएलाक' बाद ओकरासबके आगु बढबाक चाही।7जखन अहाँसब लोकसबके एकठाम जमा करए चाहैत छी तखन तुरही बजाउ, मुदा ओतेक जोर स नहि बजाउ बल्कि कनिक अलग ध्वनि बजाएब।8हारूनके कुलक पुजारीसब तुरही बजाओत। ई एहन नियम अछि जे कहियो नहि बदलल जाएत।9जखन अहाँ अपन देशमे आक्रमण करएबला शत्रुसबस' युद्ध करब तखन पुजारीसबके कहब जे जोर-जोरस' तुरही बजबथि। हम, यहोवा, अहाँके यहोवा, ई सुनिक' अहाँके अहाँसबहक शत्रुसब स बचा लेब। 10पुजारीसबके सेहो कहिऔ जे जखन लोकसब हंसी-खुशी रहैत अछि, आ सब साल पावनि निर्धारीत के अवसर मे आ सब मास शुरुमे तुरही बजाउ। जखन लोकसब होमबलिके लेल चढौना अनैत अछि आ जखन ओसब हमरा मेलबलिके लेल चौढ़ाना अनैत अछि तखन तुरही बजाउ। जं ओसब एहन करत त' हम अहाँसबहक स्मरण करब आ अहाँके मदति करब। अहाँसबके ई करबाक चाही, किएक त' हम अहाँक' परमेश्वर यहोवा छी।”11इजराएलीसब मिस्र छोड़लाके दोसर वर्षके दोसर मासक बीसम दिन बादल गवाहीके तम्बूक उपरस' उठि गेल।12इजराएलीसब सीनैके मरुभूमिस' आगु बढ़ल आ उत्तर दिस जाधरि नहि रुकल जखनधरि पारानके जंगलमे बादल रुकि नहि गेल।13ओसब पहिन बेर ओहि निर्देशक पालन करैत आगु बढ़ल जे यहोवा मूसाके ओकरासबके कहबाकलेल निर्देशन देने छलाह।14जे दल अपन झंडा ल' क' पहिने गेल, से यहूदाक समूहक लोकसब छल। अम्मीनादाबक पुत्र नहशोन, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।15इस्साकार कुलक समूह हुनकासबहक पाछु-पाछु चलल। सूआरक पुत्र नतनेल, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।16बादमे जबूलून कुलक दल गेल। हेलोनक पुत्र एलीआब, हुनकासबहक मुखिया छलाह।17तखन ओसब पवित्र तम्बूके समेटि लेलक आ गेर्शोन आ मरारीक कूल ओकरा ल' क' आगु बढ़ि गेल।18फेरु रूबेन कुलक समूह अपन झन्डा ल' क' गेल। शदेऊरके पुत्र एलीसूर हुनकासबहक मुखिया छलाह।19शिमोनक कुलक समूह बादमे छल। सूरीशद्दैके पुत्र शलूमीएल हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।20बादमे गाद कुलक समूह छल। दूएलके पुत्र एल्यासाप हुनकासबहक मुखिया छलाह।21कहात कुलक समूह अगिला छल। ओसब पवित्र तम्बू स पवित्र वस्तुसब ल' जाइत छलाह। ओतए पहुंचबा स पहिने गेर्शोनी आ मरारी लोकसब नव स्थानपर पवित्र तम्बू लगाओल जाइत छल।22इफ्राइम कुलक समूह अपन झन्डा ल' क' आगु छल। अम्मीहूदके पुत्र एलीशामा, हुनकासबहक मुखिया छलाह।23एकरबाद मनश्शेक कुलक समूह गेल। पदासूरके पुत्र गम्लीएल, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।24बिन्यामीन कुलक समूह बादमे छल। गिदोनीक पुत्र अबीदान, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।25जे सबस' बादमे गेल छल, ओसब दान कुलक समूह छल जे अपन झन्डा ल' क' गेल छल। अम्मीशद्दैके पुत्र अहीएजेर, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।26आशेर कुलक समूह आगु बढ़ल। ओक्रानके पुत्र पगीएल, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।27नप्ताली कुलक समूहसब अन्तिममे गेल। एनानक पुत्र अहीरा, हुनकालोकनिक मुखिया छलाह।28इजराएली कुलक समूहसब ओहि क्रममे घुमैत छल।29एकदिन मूसा मिद्यानीसब अपन ससुर रूएलके पुत्र साला होबाबके कहलनि, “हमसब ओहि स्थान दिस जा रहल छी जे यहोवा हमरासबके देबाक वचन देने छलाह। हमरासबहक संग आउ, हमसब अहाँक नीक जकां देखभाल करब, किएक त' यहोवा हमरासब इजराएली लोकसबके लेल नीक काज करबाक वचन देने छथि।”30मुदा होबाब उत्तर देलनि, “नहि, हम अहाँक संग नहि जाएब। हम अपन जमीन आ अपन परिवार दिस घुरए चाहैत छी।”31मुदा मूसा कहलनि, “कृपया हमरासबके छोड़िक' नहि जाउ। अहाँसबके पता अछि जे एहि मरुभूमिमे हमसब अपन तम्बू कत' टांग सकैत छी, आ अहाँसब हमरासबके मार्गदर्शन क' सकैत छी।32हमरासबहक संग चलू। हमसब अहाँसबहक संग जे सब नीक वस्तु यहोवा हमरासबके दैत छथि, से बांटब।”33तखन होबाब हुनकासबहक संग जएबाक लेल तैयार भ' गेलाह। इजराएलीसब सिनाई पहाड़के छोड़ि देलक, जेकरा इजराएलीसब यहोवाक पहाड़ कहैत छल आ तीन दिन धरि पैदल यात्रा कएलक। करारके पवित्र सन्दूक बोकनिहार लेवीसब ओहि तीन दिन धरि आन लोकक आगु-आगु गेल, आ ओसब अपन तम्बू लगएबाक लेल जगह ताकि रहल छल।34यहोवाद्वारा पठाओल गेल बादल सबदिन हुनकासबहक उपर रहैत छल।35प्रत्येक दिन भोरे-पराते जखन पवित्र सन्दूक बोकनिहार लोकसब चलए लगलाह त' मूसा प्रार्थना कहलनि, “हे यहोवा, उठू! अपन शत्रुसबके तितरबितर क' दिऔ! जे अहाँ स घृणा करैत अछि ओकरा अहाँ सामने स भागि जाए!”36आ जखन-जखन ओ सब लोकसब पवित्र सन्दूकके राखएलेल रुकैत छल, तब इजराएलीसब अपन तम्बू ठाढ़ करैत छल, तखन मूसा प्रार्थना करैत छलाह, “हे यहोवा, हमसब अनगिनती हजारो हजार इजराएलीसबके लग रहू!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.