Numbers7
1मूसा पवित्र तम्बू ठाढ़ क' क' ओकरापर तेल ढारि कऽ परमेश्वरक आदरक लेल अलग क' देलथिन। पवित्र तम्बूके भीतर जे चीज छै, आओर बलिदानके वेदी आओर वेदीपर जे भी चीजके उपयोग होएतै, ओकरा भी समर्पित करी देलनि। 2तखन बारह इजराएली गोत्रक अगुवासब, जे हारून आ मूसाके युद्धमे लड़य बला आदमीसबके गनती करबामे मदति कएने छलाह।3यहोवाक समक्ष दान लऽ कऽ पवित्र तम्बूमे अएलाह। ओसब छह टा मजगूत गड़ी आ बारहटा बच्छा, एक-एकटा अगुवाके बच्छा आ दुनू अगुवामेस' एक-एकटा गाड़ि अनलनि।4तखन यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,5“इजराएली अगुवासबस' एहि चढ़ओनासबके स्वीकार करु, जाहिस' लेवीके वंशजसब एहि चढ़ओनासबके उपयोग पवित्र तम्बूके सेवामे करत जे पवित्र वस्तुसब अछि, तेकरा ल' जएबाक लेल क' सकथि।”6तखन मूसा गड़ी आ बच्छा ल' क' लेवीके वंशजके द' देलथिन।7ओ गेर्शोनक वंशजके दूटा गड़ी आ चारिटा बच्छा देलथिन।8ओ मरारीक वंशजसबके काजक लेल चारिटा गड़ी आ आठटा बच्छा देलथिन। पुजारी हारूनके बेटा ईतामार हुनकालोकनिक सब काजके रेखदेख करएबला छलाह।9मुदा ओ कहातके वंशजके कोनो गाड़ी वा बच्छा नहि देलथिन, किएक त' ओसब गाड़ी पर नहि, कान्हपर बैसल पवित्र वस्तुसबके देखभाल करैत छलाह।10जाहि दिन वेदी समर्पित कएल गेल छल, तखन बारह अगुवासब आनो-आन दान आनि वेदीके सोझा राखि देलनि।11यहोवा मूसाके कहलथिन, “प्रत्येक दिन बारह दिनक अवधिक लेल एकटा अगुवाके वेदीके समर्पणक लेल अपन चढ़ौना देबएके अछि।”12बारह दिनके पहिन दिनमे, यहूदाक वंशके अम्मीनादाबक पुत्र नहशोन अपन दानसब अनलनि:13चानीके वर्तन जे डेढ़ किलो वजनके छल आ चानीके कटोरा जे चारि किलोके पांचम भाग, जे दुनू नीक आंटा स भरल छल आ जैतूनक तेलमे मिलाक' आंटाके बलिदान बनैत छल। दुनूके तौल मानक तराजूक उपयोग क कएल गेल,14आ एकटा छोट सोनाके वर्तन जे 113 ग्राम वजनके छल आ धूप स भरल छल।15ओसब एकटा बच्छा, भेंड़के आ एक वर्षक नर मेमनाक वरदान सेहो अनलनि, जेकरा वेदीपर जराक' पूर्णरुप स बलि देल जाएत,16बकरा लोकक पापक दोष दूर करबाक लेल पापबलि देल जाएत,17आ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांच छागर बकरा आ पांच नर मेमना जे एक वर्षक छल, मेलबलिके लेल देल जाए जाहिस लोकक यहोवाक संगति फेरु स भ' सकए। ई अम्मीनादाबके पुत्र नहशोनक' बलिदान छल।18दोसर दिन इस्साकारके सरदार सूआरक पुत्र नतनेल अपन उपहार अनलनि19आ चानीके बासन जेकर वजन एक किलोग्रामक चारि-पांच हिस्सा रहए। ई दुनू नीक आंटा स भरल छल आ जैतूनक तेलमे मिला कऽ आंटाके चढ़ाबा बनैत छल। दुनूके तौल मानक तराजू, 20एकटा छोट सोनाके वर्तन जे 110 ग्राम वजनके छल, धूप स भरल छल 21नतनेल एकटा बच्छा, भेंड़ आ एक वर्षक नर मेमनाके वरदान सेहो अनलनि, जेकरा वेदीपर जराक' पूर्णरुप स बलिदान कएल जाएत,22एकटा बकरी जे लोकक पापक दोष दूर करबाक लेल पापबलि देल जाएत,23आ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांच नर बकरी बोकरा आ पांच मेमना जे एक वर्षक छल, मेलबलिके रुपमे लोकसबके संगति के यहोवाक संग पुनर्स्थापित करबाक लेल। ईसब सूआरके बेटा नतनेलके चढ़ाबा छल।24तेसर दिन जबूलूनक कुलक प्रधान हेलोनक पुत्र एलीआब अपन बलि चढ़एलनि।25हुनकर बलिदानमे एक चानीके थारी छल जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा छल जे पवित्र स्थानक शेकेल वजन स' सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेलमे मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।26ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलथिन, जे धूप स' भरल छल।27ओ होमबलिमे एकटा बच्छा, एकटा भेंड़के आ एक वर्षक नर मेमना देलनि।28ओ पापबलिके लेल एकटा छागर देलथिन।29ओ दूटा बच्छा, पांचटा भेंड़, पांचटा छागर आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के' बच्चा, मेलबलिके बलिदानक रुपमे देलथिन। ई हेलोनक पुत्र एलीआबक बलिदान छल।30चारिम दिन रूबेनक कुलक प्रधान शदेऊरके पुत्र एलीसूर अपन बलि चढ़एलनि।31हुनकर बलिदानमे एक चानीके थारी छल जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा छल जे सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।32ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलथिन जे धूप स' भरल छल।33ओ होमबलिमे एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़ाके बच्चा देलनि।34ओ एकटा छागर पापबलिके लेल देलथिन।35ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके लेल बलिदानक स्वरुप देलथिन। ई शदेऊरके पुत्र एलीसूरक' बलिदान छल।36पांचम दिन शिमोनक कुलक प्रधान सूरीशद्दैके पुत्र शलूमीएल अपन बलि चढ़एलनि।37हुनकर बलिदानमे एक चानीके थारी छल जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा छल जे सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।38ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलथिन जे धूप स' भरल छल।39ओ होमबलिमे एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।40ओ एकटा छागर पापबलिके रुपमे देलथिन।41ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा छागर आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, ओकरा मेलबलिके रुपमे देलथिन। ई सूरीशद्दैके पुत्र शलूमीएलके बलिदान छल।42छठम दिन गादक कुक प्रधान दूएलके पुत्र एल्यासाप अपन बलि चढ़एलनि।43ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी छल जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा छल जे सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।44ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि जे धूप स' भरल छल।45ओ होमबलिक लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।46ओ एकटा छागर पापबलिके लेल देलनि।47ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा छल, मेलबलिके बलिदानक रुपमे देलनि। ई दूएलक पुत्र एल्यासापक' बलिदान छल।48सातम दिन अम्मीहूदके पुत्र एलीशामा, जे इफ्राइमक कुलक प्रधान छल, अपन बलि चढ़एलनि।49ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।50ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि, जे धूप स' भरल छल।51ओ होमबलिक लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।52ओ एकटा छागर पापबलिके रुपमे देलनि।53ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदान स्वरुप देलनि। ई अम्मीहूदके पुत्र एलीशामाक बलिदान छल।54आठम दिन मनश्शेक कुलक प्रधान पदासूरक पुत्र गम्लीएल अपन बलि चढ़एलनि।55ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजनके छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।56ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि जे धूप स' भरल छल।57ओ होमबलिक लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।58ओ एकटा छागर पापबलि स्वरुप देलनि।59ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदानक रुपमे देलनि। ई पदासूरके पुत्र गम्लीएलके बलिदान छल।60नवम दिन गिदोनीक पुत्र अबीदान बिन्यामीनक कुलक प्रधान अपन बलि चढ़एलनि।61ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजनके छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।62ओ एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि, जेकर वजन दस शेकेल छल, आ धूप स' भरल छल।63ओ होमबलिक लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।64ओ पापबलिके लेल एकटा छागर देलनि।65ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदानक रुपमे देलनि। ई गिदोनीक पुत्र अबीदान के बलिदान छल।66दसम दिन दानके कुलक प्रधान अम्मीशद्दैके पुत्र अहीएजेर अपन बलि चढ़एलनि।67ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजनके छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।68ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि जे धूप स' भरल छल।69ओ होमबलिके लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।70ओ एकटा छागर पापबलि स्वरुप देलनि।71ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदानक स्वरुप देलनि। ई अम्मीशद्दैके पुत्र अहीएजेरक बलिदान छल।72एगारहम दिन आशेरक कुलक प्रधान ओक्रानक पुत्र पगीएल अपन बलि चढ़एलनि।73ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजन छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।74ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि जे धूप स' भरल छल।75ओ होमबलिके लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।76ओ पापबलिक लेल एकटा छागर देलनि।77ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदान स्वरुप देलनि। ई ओक्रानक पुत्र पगीएलके बलिदान छल।78बारहम दिन नप्तालीक कुलक प्रधान एनानक पुत्र अहीरा अपन बलि चढ़एलनि।79ओकर बलिदानमे एक चानीके थारी जेकर वजन 130 शेकेल छल आ एकटा चानीके कटोरा जे सत्तरि शेकेल वजनके छल। ई दुनू वस्तु अन्नबलि लेल तेल मिलाओल मेही आंटास' भरल छल।80ओ दस शेकेल वजनके एकटा सोनाके वर्तन सेहो देलनि, जे धूप स' भरल छल।81ओ होमबलिक लेल एकटा बच्छा, एकटा भेंड़ आ एक वर्षक भेंड़के बच्चा देलनि।82ओ पापबलिके लेल एकटा छागर देलनि।83ओ दूटा बच्छा, पांच भेंड़, पांचटा बोकरा आ पांचटा एक वर्षक भेंड़के बच्चा, मेलबलिके बलिदानक स्वरुप देलनि। ई एनानक पुत्र अहीराक बलिदान छल।84जाहि दिन मूसा वेदीपर अभिषेक कएने छलनि, ताहि दिन इजराएलक नायक सब एहिसबके अलग क' देलनि। चानीके बारह थारी, बारह चानीके बासन आ बारह सोनाके वर्तन अलग-अलग राखि देलनि।85चानीके एक-एकटा थारीक वजन 130 शेकेल आ एक-एक कटोरीक वजन सत्तरि शेकेल छल। चानीके सब बर्तनके वजन 2,400 शेकेल रहए, जे पवित्र स्थानके शेकेलके मानक वजनके अनुसार छल। 86धूप स' भरल बारहटा सोनाके वर्तनमे स' प्रत्येकके वजन पवित्र स्थानक शेकेल स' दस शेकेल छल। सोनाके सब वर्तनके वजन 120 शेकेल छल।87ओसब होमबलि लेल सब पशु, बारहटा बच्छा, बारह भेंड़ आ बारहटा एक वर्षक भेंड़के बच्चाके अलग क' देलनि। ओसब अपन अन्नबलि देलनि। ओसब बारहटा छागर पापबलिके लेल देलनि।88ओसब मेलबलिके लेल अपन सब मालजालमे स' चौबीस बच्छा, साठि भेंड़, साठिटा बोकरा आ एक वर्षक साठिटा भेंड़के बच्चा देलनि। ई वेदीके अभिषेक कएलाक बाद ओकर समर्पणके लेल' छल।89मूसा जखन यहोवास' बात करबाक लेल भेट होबएबला तम्बूमे गेलनि त' ओकरास' बात करैत वाणी सुनलनि। यहोवा ओकरास' गवाहीके सन्दूकपर प्रायश्चितक ढक्कनके उपरस', दुनू करूबके बीचमेस' बात कएलथि। यहोवा ओकरास' बात कएलखिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.