Numbers6
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन।2“इजराएली लोकसबके ई बात कहि दिऔ जे, जं अहाँसबमेस' केओ विशेषरुपस' अपनाके हमरालेल समर्पित करबाक गम्भीर प्रतिज्ञा करए चाहैत अछि, तखन अहाँसब एहि निर्देश सबहक पालन कएलाक बाद, अहाँसबके नाजरी कहल जाएत, जेकर अर्थ होइत अछि ‘समर्पित व्यक्ति।’3अहाँसब कोनो दाखरस वा आन पेय पदार्थस' अलग राखए। अंगूरक रस नहि पिबए पड़त आ ने अंगूर वा किशमिश खाए पड़त। 4जाबत अहाँ नाजरी छी, ताबत अहाँ अंगूरक स' निकलल कोनो चीज नहि खाउ, अंगूरक छुलका आ बिआ सेहो नहि खाउ।5एतधरि जे अहाँक केश सेहो हमरा समर्पित रहत ओहि समयमे जे अहाँ नाजरी छी, तएं अहाँ कहियो केकरो केशमे छुरा नहि लगब दिऔ। जाधरि अहाँक हमरालेल पवित्र होएबाक गम्भीर वादा समाप्त नहि भ' जाएत, ताधरि अहाँके अपन केश नमहर होबए दिऔ। 6आ जाहि समयमे अहाँ यहोवाके लेल नाजरी छी ताहिमे कोनो लाशक लग नहि जएबाक चाही।7जं मरि गेल व्यक्ति अहाँक पिता वा अहाँक माय वा अहाँक भाइ वा बहिन होए, मुदा अहाँ लाशक लग आबि हमरा, यहोवाके अपनेके अशुद्ध नहि बनाउ। अहाँक नमहर केश एकटा विशेष तरीका स देखबैत अछि जे अहाँ हमरालेल अलग कएल गेल छी, तएं अहाँ जे गम्भीरतापूर्वक वादा कएने छी से करब आ केश नहि काटब।8अहाँसबके विशेषरुपस' हमरालेल पवित्र आ समर्पित रहबाक आवश्यकता अछि।9जं केओ अहाँक लगमे रहलापर अचानक मरि जाइत अछि त' अहाँक केश जे अहाँ हमरा समर्पित कएने छी से आब अशुद्ध अछि। तएं सात दिन प्रतीक्षा करब आ फेरु सबटा मुंडन करब। तखन अहाँ एकटा विशेष संस्कार अवश्य करु जाहिस अहाँ अपनेके पुनः हमरा स्वीकार बनब।10लाशस' अशुद्ध भेलाक आठम दिन बाद पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर दूटा पेउरकी वा दूटा कबुतर पुजारी लग अनबाक चाही।11पुरोहितके चिड़ैसबके मारिक' पापबलि चढ़ाबए पड़तनि। ओहिमे स एकटा अहाँक पापक अपराधके दूर करबाक लेल बलिदान होएत, आ दोसर बलिदान होएत जे हमरा प्रसन्न करबाक लेल पूर्णरुप स जराओल जाएत। पुरोहितसब वेदीपर जरा देलाके बाद हम अहाँके माफ क' देब जे अहाँ कोनो लाशक लग आबि गेलहुं आ जखन अहाँक केश फेरु बढ़ि जाएत तखन फेरु हमरा समर्पित कएल जाएत।12पहिने जे समय अहाँ हमरालेल अलग कएल गेल छलहुं, तेकर कोनो गनती नहि, किएक त' अहाँ नजीर रहबाक समयमे एकटा लाशक लग आबिक' हमरालेल अशुद्ध भ' गेल छलहुं। तएं अहाँसब पुनः गम्भीर वादा अवश्य करु जे अहाँ जतेक समय पहिने संकेत कएने रही ताहि पूरा समय धरि हमरालेल समर्पित रहब। आ अपन अपराधबोध दूर करबाक लेल एक सालक मेमना सेहो दोषबलीके रुपमे देब पड़त।13जखन अहाँ हमरा समर्पित करबाक प्रतिज्ञा कएने रही से समय समाप्त भ' जाएत तखन पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर जाउ से व्यवस्था अछि।14आ हमरालेल तीनटा पशु बलि चढ़ाउ जाहिमे कोनो दोष नहि अछि। एक वर्षक भेंड़ा जे पूर्णरुप स जरि जाएत, एक वर्षक मादा मेमनाके पापबलिके रुपमे चढ़ाउ जाहिस अहाँक पापक दोष दूर भ' जाएत, आ एकटा पूर्ण बढ़ल भेंड़ा हमरासंग संगति के पुनर्स्थापित करबाक लेल मेलबलि मे चढ़ाउ।15जखन अहाँसब ओहि पशुसबके आनब त' बलिमे चढ़ाबए लेल किछु दाखमद्य सेहो आनब। आ रोटीके टोकरी सेहो जरुर ल क आउ जे अहाँ बहुत नीक आंटा आ जैतूनके तेलस बनौने छी। मुदा रोटीमे कोनो खमीर नहि राखू। संगहि किछु पातर वेफर पर किछु जैतूनक तेल लगाक' पुजारीलग आनि दिऔ।16पुजारी एहिसबके यहोवाके आगु प्रस्तुत क' क' ओ अपन पापबलि आ होमबलि चढ़ाबए, जाहिस' हम प्रसन्न होएब आ अहाँके क्षमाक' देब।17तखन ओ हमरासंग साझेदारी करबाक लेल मेलबलिके रुपमे पूरा बढ़ल भेंड़ाके मारि देत आ पुजारी वेदीपर किछु अखमीरी रोटी आ आंटा आ दाखमद्य सेहो जरा देत।18तेकरबाद नाजीरके पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर ठाढ़ भ' क' केश मुंडन करु। तखन अहाँ ओहि केशके ओहि आगिमे राखि दिऔ जे वेदीपर मेलबलिके बलिदान देल गेल जानबरक नीचा अछि जाहिस हमरासंग संगति फेरु स भ' सकए।19भेंड़के कान्हपर स निकलल माउस सीझ जएबाक चाही। एकरा पकलाक बाद पुजारी एकरा एकटा अखमीरी रोटी आ एकटा पपड़ी ल' क' जएताह जाहिमे जैतूनक तेल लगाएल गेल अछि आ अहाँ नाजीर सबहक हाथमे राखि देताह।20तखन पुजारी ओकरा भेट सबके वापस ल' क' ओकरासबके उपर उठाक' हमरा समर्पित क' देत। आब ओसब पुरोहितक अछि, आ ओकरा मेढ़क कान्ह आ ओकर पजरामेस हड्डी आ ओकर एकटा जांघ स किछु माउस खाएके अनुमति छै, कारण ओ माउस ओकर बलिदानमे ओकर हिस्सा छै। तेकरबाद आब अहाँ नाजीर नहि रहब, आ फेरु दाखरस पीबाक अनुमति भेटत।21ओसब ओहि चढ़ाबा विषयमे नियम अछि जे नजीर हमरालग समर्पित करबाक समय समाप्त करबाक लेल गम्भीरतापूर्वक वादा करैत छथि। ईसब प्रसाद अवश्य आनब, मुदा जं चाहथि त' अतिरिक्त प्रसाद आनि सकैत छथि। आ हमरा समर्पित करैत काल जे किछु गम्भीरतापूर्वक वादा कएने छलाह से हुनकासबके करए पड़तनि।”22यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन।23“हारून आ हुनकर बेटासबके कहि दिअ जे जखन ओसब हमरास इजराएली लोकसबके आशीष देबाक लेल कहथिन त' ओसब कहथिन।24‘यहोवा अहाँसबके आशीर्वाद देथि आ अहाँक रक्षा करथि।25ओ यहोवा अहाँपर मुस्कुराइत आ अहाँक प्रति दयालु व्यवहार करथि।26ओ यहोवा अहाँसबहक लेल नीक होथि आ अहाँसबहक लेल नीक काज करथि।’”27तखन यहोवा एना कहलथिन, “जं हारून आ हुनकर पुत्रसब हमरास इजराएली लोकसबके हमर नामके आशीर्वाद घोषित करत, त' हम हुनकासबके आशीष देबनि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.