Numbers5
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,2“इजराएली लोकसबके ई कहि दिऔ जे, ‘अहाँसब अपन डेरा स जे कोनो पुरुष वा स्त्रीके चमररोग स ग्रसित अछि आ जिनकास किछु द्रव बहैत होए, ओकरा विदा क' दिअ शरीर, आ जे केओ लाशके छुएलाके कारण यहोवाके सामने अशुद्ध भ' गेल अछि।3ओकरासबके विदा करु जाहिस ओसब ओहि शिविर क्षेत्रमे लोकके नहि छुबिक' हमरालेल अशुद्ध बनाबथि।’”4तएं इजराएली लोकसब एहन लोकसबके जेकरा त्वचा रोग वा शारीरिक बहैत होइत अछि निकालिक' मूसाके आदेश अनुसार यहोवाके आज्ञापालन कएलनि।5यहोवा मूसाके सेहो कहलथिन,6“इजराएली लोकसबके ई कहि दिऔ: ‘जं केओ दोसर व्यक्तिक संग कोनो अपराध करैत अछि त' हम ई बुझति छी जे ओ व्यक्ति हमरासंग विश्वासघात कएने अछि आ दोषी अछि।7ओहि व्यक्तिके ई सार्वजानिक रुपमे स्वीकार करबाक चाही जे ओ दोषी अछि, आ ओकरा ओहि व्यक्तिके ओहि व्यक्ति केओ भुक्तान करबाक चाही जेकरा दोसर लोक ओकराद्वारा कएल गेल काजक उचित भुक्तान मानैत अछि, आ ओकरा 20 प्रतिशत अतिरिक्त देबाक चाही8जं ओ व्यक्ति मरि गेल अछि जेकरा विरुद्ध अन्याय भेलैक आ छोड़ाबएलेल कोनो सगा-सम्बन्धी नहि अछि जेकरा स पाइ देल जा सकैत अछि त' ओ पाइ हम, यहोवाके अछि आ पुजारीके देबाक चाही। एकर अलावा जे गलत काम कएलनि ओकरा एक नर भेंड़ पुजारीके बलिदानक लेली देबाक चाही ताकि ओ व्यक्तिके पाप क्षमा भ' सकए।9इजराएलीसब जे सब पवित्र उपहार पुजारीक समक्ष आनिक' हमरालेल दैत छथि से पुजारीक होएत।10पुजारी ओहि उपहारसबके राखि सकैत छथि।’”11यहोवा मूसाके ई बात सेहो कहलथिन,12“इजराएली लोकके ई बात कहि दिऔ: मानि लिअ जे कोनो आदमी ई सोंचैत अछि जे ओकर पत्नी सदिखन विश्वासपूर्वक नहि सुतल अछि मात्र हुनकासंग।13मानि लिअ जे ओ सोंचैत अछि जे ओ दोसर पुरुषक संग सुतिक अशुद्ध भ' गेल अछि, मुदा ओकर पतिके ई बात नहि बुझल छै जे ई बात सांच अछि वा नहि, किएक त' ओ ओकरा ई काज करैत नहि देखलक। ओ एहि काजमे नहि पकड़एलीह आ वास्तबमे ओ पतिके देने शपथ तोड़बाक बात साबित नहि भ' सकल किएक त' केओ ओकरा एना करैत नहि देखलक।14मुदा जं स्त्रीके पति ईर्ष्या करैत छथि आ हुनका शंका होइत छनि जे ओ व्यभिचार कएने छथि, आ ओ ई जानए चाहैत छथि जे ई बात सत्य अछि वा नहि, आ तएं एकटा परीक्षा होएत अछि जे ओ अशुद्ध छलीह वा नहि।”15ई परेखबाक लेल जे ओ व्यभिचार कएने अछि की नहि, ओ अपन पत्नीके पुजारीक लग ल' जएबाक चाही। दू लीटर जौके आंटा चढ़ौनाक रुपमे अपने संग अवश्य ल' जएबाक चाही। पुजारीके ओहिपर जैतूनक तेल आ धूप-दीप नहि ढारबाक चाही, किएक त' ई एहन बलिदान अछि जे ओ आदमी ईर्ष्या करबाक कारणे अनने अछि। ई एकटा चढ़ौना अछि जे ई पता लगाओल जाए जे ओ दोषी छथि वा नहि।16पुजारीके ओहि महिलाके कहबाक चाही जे ओ हमरा उपस्थितिमे वेदीके सोझा ठाढ़ रहू।17पुजारी माटिक वर्तनमे किछु पवित्र पानि राखि देथिन, आ तखन पवित्र तम्बूक सतहस' किछु बालु पानिमे राखि देथिन।18ओहि स्त्रीके यहोवाके आगु ठाढ़ कराक' केश खोलए पड़तैक। तखन ओकरा हाथमे ओ आंटाके चढ़ओना जे ओकर ईर्ष्यालु पति चढ़ा रहल अछि, से निर्धारीत करबाक चाही जे ओ व्यभिचार कएने अछि वा नहि। पुरोहितके ओहि बासन के पकड़य पड़तनि जाहिमे तीत पानि रहैत छै जाहिस स्त्री दोषी भेलापर सरापित भ' जाएत।19पुजारीके हुनकास' प्रतिज्ञा करबाक आग्रह करए पड़तनि जे ओ सत्य बजतीह। ओ ओकरा अवश्य कहथिन, “की अहाँक संग कोनो दोसर आदमी सुति गेल अछि? की अहाँ निष्ठापूर्वक मात्र अपन पतिक संग सुतल छी वा नहि? जं अहाँ दोसर पुरुषक संग सुतिक अशुद्ध नहि छी त' पानि पीबला पर अहाँपर कोनो सराप नहि आओत।20मुदा जं अहाँ दोसरक संग सुतिक' अशुद्ध भेल छी त यहोवा अहाँसबके सराप देत।21पुजारी ओकरा किरिया खियाओत जे अहाँक कोंखि सुखिक' घोंकैच जाएत आ पेट फूलि जाएत। अहाँ कहियो बच्चा नहि पैदा क' सकब, आ परिणाम स्वरुप सब केओ जानत, ‘यहोवाके सराप अहाँके उपर अछि। जं अहाँ व्यभिचार कएने छी त' जखन ई पानि पीबि तखन अहाँक संग सेहो एहने होएत।22ई पानि जे सराप दैत अछि ओ अहाँक पेटमे जाएत आ अहाँक पेट फूलि जाएत आ अहाँक जांघ बेबालि भ' जाएत।’ स्त्रीके उत्तर देबाक अछि, ‘हं, जं हम दोषी छी तखन एहन होएबाक चाही।’”23तखन पुजारीके एकटा छोट चर्मपत्र पर सियाही मसि स' ई सराप लिखबाक चाही आ फेरु सियाही मसिके तीत पानिमे धोबए पड़तैक।24पुजारी ओहि स्त्रीके ओ तीत पानि पियाबहि पड़त जे सराप दैत अछि। जे पानि सराप दैत अछि ओ ओकरामे प्रवेश क' तीत भ' जाएत।25पुजारीके स्त्रीके हाथ जलनबला जौके आंटा जे चढ़ौना छनि, से लेबए पड़तनि। हमरा समर्पित करबाक लेल ओकरा उपर उठाबए पड़तैक। तखन ओकरा वेदीपर राखए पड़तैक26पुजारीके प्रतिनिधि बलि रुपमे मुट्ठी भरि अन्नबलि लेबाक चाही, आ ओकरा वेदीपर जराबय पड़त। तखन स्त्रीके तीत पानि अवश्य पीबि पड़तनि।27जं स्त्री केवल पतिक संग निष्ठापूर्वक सुतबाक बदला व्यभिचार क' क' विश्वासघात कएने अछि आ अशुद्ध भेल अछि, त' पानि ओकरा बहुत कष्ट देतैक। ओकर पेट फुलि जएतै आ ओकर कोंखि घोंकैच जएतै, आ ओ बच्चा पैदा करबामे असमर्थ भ' जएतै। आ तखन ओकर परिजन ओकरा सराप देतैक।28मुदा जं अशुद्ध नहि बल्कि ओ निर्दोष छथि त' हुनकर शरीरपर कोनो नोक्सान नहि होएत आ ओ एखनो सन्तान पैदा क' सकैत छथि।29इर्ष्याके व्यवस्था इएह अछि। जे विवाहित स्त्री व्यभिचार क' क' पाप कएने अछि आ अशुद्ध भेल अछि।30अथवा जखन कोनो पुरुषके ईर्ष्या होइत छै आ ओकरा शंका होइत छै जे ओकर पत्नी दोसर पुरुषक संग सुतल छै। पुजारीके ओहि महिलाके कहए पड़तनि जे हम, यहोवाके समक्ष वेदीपर ठाढ़ भ' क' एहि निर्देश सबहक पालन करु।31जं पतिके शंका छलनि से स्त्री नहि कएने होथि, मुदा अपन स्त्रीके पुजारीलग अनबाक कोनो खराब काज करबाक दोषस मुक्त भ' जएतनि। मुदा जं ओकर पत्नी दोषी हेतीह त' ओकर परिणाममे ओकरा कष्ट भ' जएतै।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.