Numbers4
1यहोवा मूसा आ हारूनके आओर आगु कहलथिन।2“लेवीसबमेस' कहातीक कुलक वंशजक लोकसबके नाम लिखू।330 स 50 वर्षक बीचक पुरुषक नाम लिखू। ईसब एहन पुरुष होएताह जे पवित्र तम्बूपर काज करताह।4कहातीक एहि वंशजसबहक काज ओहि पवित्र वस्तुसबके देखभाल करब होएत जेकर उपयोग पवित्र तम्बूमे आराधना करैत काल कएल जाइत अछि।5जखन अहाँ इजराएलीसब दोसर स्थानपर चलि जाएब तखन हारून आ हुनकर पुत्रसबके ओहि पर्दाके उतारबाक लेल तम्बूमे प्रवेश करबाक चाही जे पवित्र तम्बूमे पवित्र स्थानके पवित्र स्थानस' अलग करैत अछि। गवाहीके सन्दूकके ओहि पर्दास' झांपि देबाक चाही।6तखन ओकरासबके सीलके चमड़ास' बनल आवरणस' झांपि देबाक चाही। ताहिपर नील रंगके कपड़ा पसारि देथिन। तखन ओकरा सन्दूकपर राखल करीमे ओकरा ढोबए लेल खंभा काठ घुसाबए पड़तैक।7तखन ओकरासबके टेबुलपर नील रंगके कपड़ा लगाबए पड़तैक जाहिपर पुजारीसब यहोवाक बुझएमे रोटी राखि देत। कपड़ाके उपर धूपके बासन, कड़ाही, आन वर्तन, दाखरसके जार जे बलिदानमे चढ़ल जाएत आ पवित्र रोटी राखए पड़तनि।8एहिसबपर लाल रंगके कपड़ा पसारि देथिन। अन्तमे उपरमे चमड़ाक सीलके खालस' बनल आवरण अवश्य लगाबए पड़तनि। तखन ओकरासबके टेबुलक कोन मे राखल करीमे ओकरा ढोबए लेल खंभा काठ घुसाबए पड़तैक।9तखन ओसब दीपक ठाढ़ि, दीप, दीपक धुंआधर, सामदान आ जैतूनक तेलक विशेष जार सबके दोसर नील रंगके कपड़ा स झांपि देथि जे दीपमे जरएबाक लेल।10ओसब दीपक ठाढ़ि आ आन सब वस्तुके चमड़ाक सीलके चमड़ास' बनल आवरण स झांपि देथिन। ईसब चीज ओकरा ढोबए लेल फ्रेम पर राखए पड़तैक।11तखन ओसब सोनाके वेदीपर एकटा आओर नील रंगके कपड़ा पसारि देथिन जे धूप जरएबाक लेल उपयोग कएल जाइत अछि। एहिपर सीलके चमड़ास' बनल आवरण पसारए पड़तनि। तखन ओहि वेदीके करीमे ओकरा ढोबए लेल खंभा काठ घुसाबए पड़तनि।12पवित्र तम्बूक भीतर जे आन सब वस्तु अछि, ओकरासबके नील रंगके कपड़ामे लपेटिक' ओकरा सीलके चमड़ास' बनल आवरणस' झांपि देबाक चाही आ ओकरा ढोब' लेल ओहिपर राखि देबाक चाही।13तखन ओकरासबके ओहि वेदी स भस्म निकालबाक चाही जाहिपर ओसब बलिदान द' देने छथि। तखन वेदीके बैगनी रंगके कपड़ा स झांपि देबाक चाही।14तखन ओसब वेदीपर प्रयुक्त सब वस्तु ओहि कपड़ाके उपर पसारि देथिन — गरम कोइला ल' जएबाक कड़ाही, माउसक हंसुआ, फावड़ा, लोकसबपर छिटबाक लेल लेहू रखबाक कटोरा आ सब अन्य पात्र। तखन ओहि सब वस्तुपर सीलके चमड़ास' बनल आवरण पसारि देथि। तखन वेदीके कातमे राखल करीमे ओकरा ढोबए लेल खंभा काठ घुसाबए पड़तनि।15जखन हारून आ ओकर पुत्रसब एहिसब पवित्र वस्तुसबके झांपिक' क' लेताह तखन इजराएली लोकसब नव स्थानपर जएबाक लेल तैयार भ' जएताह। कहातीक वंशजसबके आबिक' सब पवित्र वस्तुसबके ओहि ठाम ल' जएबाक चाही, जत इजराएलीसब अपन तम्बू लगाओत। मुदा कहा तीहक वंशजके एहिमे स कोनो पवित्र वस्तुके स्पर्श नहि करबाक चाही, किएक त' ओकरा स्पर्श कएलापर ओ तुरन्त मरि जाएत। ओसब एहिसब वस्तुसबके ल' क' चलत, मुदा ओकरासबके स्पर्श नहि करबाक चाही।16हारूनके पुत्र एलीआजरके दीप सबहक लेल जैतूनक तेल, सुगन्धित धूप, आंटा जे वेदीपर प्रतिदिन जराओल जाएत, आ पुजारी सबहक अभिषेकके लेल जैतूनक तेल। एलाजार ओएह छथि जे पवित्र तम्बूमे जे काज होइत अछि आ ओहिमे जे किछु अछि तेकरा सम्हारय बला आदमीसबके रेखदेख करताह।”17तखन यहोवा हारून आ मूसाके आगु आओर कहलथिन।18“कहातीके कुलके लेवी लोकसब बीचस' हटए नहि दिऔ।19हारून आ ओकर बेटासबके रक्षा करु, ताकि ओ जीवित रहि सकए आ एना करैत, मरि नहि जाए। जखन ओ सबस' पवित्र चीजके लग जाइत अछि।20ओकरासबके एको क्षणके लेल सेहो पवित्र स्थान देखबा लेल भीतर नहि जएबाक चाही, नहि त' ओसब मारल जएबाक चाही। हारून आ ओकर बेटाके भीतर जएबाक चाही, आ तखन हारून आ हुनक बेटाके कहातीसबमेस' प्रत्येकके अपन काजमे, अपन विशेष कार्यमे नियुक्त करबाक चाही।”21यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,22“गेर्शोनक कुलक वंशजक सब पुरुषक नाम लिखू।23तीस स पचास वर्षक बीचक पुरुषक नाम लिखू। ओसब एहन पुरुष होएताह जे पवित्र तम्बूपर काज सेहो करताह।24ई सेवाके काम गेर्शोनसबके कुलके करए पड़तनि आ ओ चीज जे हुनकासबके ल' क' चलए पड़तनि जखन अहाँ कोनो नव स्थानपर जाएब:25हुनकासबके पवित्र तम्बूके पर्दा अवश्य ल' जएबाक चाही। हुनकासबके पवित्र तम्बू आ ओकरा झांपल सब चीजके ल' जएबाक चाही, जाहिमे सीलके खालस' बनल बाहरी आवरण, आ पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर पर्दा सहभागी अछि।26पवित्र तम्बू आ वेदीके चारुकात आंगनके चारुकात देवाल बनबैत पर्दा, आंगनके प्रवेशद्वारपर जे पर्दा अछि आ पर्दाके बान्हबला रस्सा सब सेहो ल' क' सेवा करबाक चाही। एहिसब चीजके समेटिक आ राख सेहो हुनकासबके पड़तन्हि27हारून आ ओकर बेटासब गेर्शोनसबके वंशजक काजक रेखदेख करताह। ओहि काजमे ओहि चीजके ढोबए आओर दोसर काज करनाइ सहभागी अछि जे ओकरा हिलाबए लेल जरुरी अछि। ओकरासबके गेशेमके एक-एकटा वंशजके ई कहए पड़तैक जे ओकरासबके कोन-कोन चीज ल' जएबाक चाही।28पवित्र तम्बूके ओसब काज अहाँसबके ओहि लोकसबके देबाक चाही जे गेर्शोनसबके वंशजक कुलमे छथि। पुजारी हारूनके बेटा ईतामारे हुनक कामके रेखदेख करत।29मरारीक कुलक वंशजक लोकसबके सेहो गनती करु।30तीस स पचास वर्षक बीचक पुरुषक नाम लिखू। ओसब एहन पुरुष होएताह जे पवित्र तम्बूपर सेहो काज करताह।31हुनकासबहक काज पवित्र तम्बूके उपर राखएबला ढांचा, लाठीसब, पर्दाके उपर राखएबला खंभा आ आधारके लऽ कऽ चलब होएत।32हुनकासबके आंगनके देवाल बनेनिहार पर्दाक खंभा आ खंभा सबहक आधार, तम्बूक खूंटा आ पर्दाके बन्हबाक लेल रस्सा सेहो ल' क' चलबाक चाही। प्रत्येक आदमीके कहि दिऔ जे ओकरा कोन-कोन चीज ल' जएबाक चाही।33ओसब काज मरारीक वंशजके पवित्र तम्बूमे करबाक चाही। हारूनके बेटा ईतामार त' हुनकासबहक रेखदेख करत।”34तखन हारून आ मूसा आ इजराएली समुदायके अगुवासब कहातीक वंशजक गणना कएलनि आ अपन कुल आ वंशके समूहक नाम सेहो लिख लेलनि।35ओसब तीस स पचास वर्षक बीचक ओहि सब पुरुषक गनती कएलनि जे पवित्र तम्बूमे काज करबामे सक्षम छलाह।36कुल 2,750 आदमी छल।37ओसब कहातीक वंशज छल जे पवित्र तम्बूमे काज करबामे सक्षम छल। हारून आ मूसा ओकरासबके ओहिना गनलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।38ओसब गेर्शोनक वंशजक गणना करैत अपन कुल आ कुल-परिवारक नाम सेहो लिख लेलक।39ओसब तीस स पचास वर्षक बीचक सब पुरुषक गनती कएलनि जे पवित्र तम्बूमे काज करबामे सक्षम छलाह।40कुल 2,630 लेवी आदमीसब छल।41ओसब गेर्शोनक वंशज छल जे पवित्र तम्बूमे काज करबामे सक्षम छल। हारून आ मूसा हुनकासबके यहोवाक आज्ञाक अनुसार गनलनि।42ओसब मरारीक वंशजक गणना सेहो कएलनि आ अपन कुल आ कुल-परिवारक नाम सेहो लिखैत छलाह।43ओसब तीस स पचास वर्षक बीचक ओहि सब पुरुषक गनती कएलनि जे पवित्र तम्बूमे काज करबामे सक्षम छलाह।44कुल 3,200 आदमी छल।45ओसब मरारीक वंशज छल जे काज करबामे सक्षम छल। हारून आ मूसा ओकरासबके ओहिना गनलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।46तखन हारून आ मूसा आ इजराएली अगुवासब लेवीके सब वंशजक गणना कएलनि आ अपन कुल आ कुल-परिवारक नाम सेहो लिख लेलनि।47ओसब तीस स पचास वर्षक बीचक सब पुरुषक गनती कएलनि। ओसब एहन छलाह जे पवित्र तम्बूपर काज करबामे सक्षम छलाह आ तम्बू आ ओहिस' जुड़ल सब किछुके ल' क' चलैत छलाह।48कुल 8, 580 आदमी छल।49ओसब लेवीके सब वंशजक गनती पूरा कएलनि, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह। आ ओसब एक-एक आदमीके कहैत छल जे ओकरा कोन काज करबाक छै आ जखन ओसब नव स्थानपर आबि जाएत तखन ओकरा कोन-कोन चीज ल' जएबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.