Numbers30
1मूसा इजराएलके कुलके सब अगुवासबके बजबाक आ ओकरासबके कहलनि जे यहोवा एहन आदेश देने छथि:2“कोनो मनुष्य यहोवा संगे कबूला करैत अछि, वा प्रतिवध्दता स बान्हिक शपथ खाए, ओ अपन वचन नहि तोडैक। करबाक लेल ओकरा मुंहस निकलल सब किछु ओकरा करबाक चाही। 3मानि लिअ जे कोनो कुमारि एखनो अपन बाबूएमाय संगे रहैत काल जे किछु मनता यहोवाके संगे करैत होइक, आ अपने-आपके ओ प्रतिवध्दता स बान्हि दैत अछि,4यदि ओकरा बाबु ओकरा मनता आ प्रतिवध्दता करैत सुनने होइक जाहि ओ अपने-आपके बन्हने होइक, आ यदि ओ ओकरा अपन वचन फिर्ता लेब नहि कहलक, त ओकरा सबटा मनता स्थिर बनल रहि जाएत, आ ओकरासब सपथ रहिऐ जाइत।5मुदा ओकरा बाबु सुनिते मातर विरोध करैत अछि, त ओकर कोनो सपथ वा मनता पूरा करबाक लेल बाध्य नहि रहतीह; यहोवा ओकर पाप क्षमाक' देथिन किएक त ओकर बाबु ओकरा मनाक देने रहैक।6यदि अविवाहित स्त्री विवाहित भ' जाइक तेकरबाद ओ कोनो सपथ वा मनता करए वा ओपन ठोढस किछु उच्चारनो करए, त ओहिस ओ अपने-आपके बान्हैत अछि,7आ ओकरा पति ओहिके विषयमे सुनलक, आ ओकरा एहिके विषय केकरो किछु नहि कहलक, त ओकर मनता पक्का भ' गेल, आ जे ओ प्रतिवध्दता कएने छथि ओहिपर ओकरा स्थिर रहबाक पडत।8मुदा ओकरा पति जहिया सुनलक तहिये ओकर चढ़ौना मनाक' देलक, त ओकरा मुहक' बोलीस ओ बान्हल नहि रहतीह, आ यहोवा ओकरा क्षमाक' देथिन।9मुदा कोनो मनता जे कोनो विधवा वा छुट्टापतर भेल स्त्री कएने होइक से रहिऐ जाइत।10यदि कोनो स्त्री अपन पतिके घरमे कोनो मनता कएने होइक वा शपथ द्वारा बान्हल गेल होइक,11आ ओकर आपति ओहि चढ़ौना विषयमे सुनैत अछि आ ओकरा किछु नहि कहैत अछि आ विरोधो नहि करैत अछि, त ओकरा प्रतिवध्दता टिकले रहि जाइत, आ ओ ओहिस बान्हल रहतीह।12मुदा ओकरा पति ओकरा सुनिते ओहि चढ़ौना रद्द करैत अछि, तब जे किछु ओकरा मुंहस निकलल होइक से प्रतिवध्दता वा सपथ करगर नहि रहत। ओकर पति ओहिके रद्द क देने अछि, यहोवा ओकरा क्षमाक' देथिन।13कोनो मनता वा बान्हबला शपथ ओकरा अपने दुख देबएके होइक, ओकरा पति ओकर आपति ओहिके रही दिअ सकैत अछि वा रद्द क देब सकैत अछि।14मुदा ओकर पति ओकरा नित दिन किछु नहि कहैत अछि, त ओ ओहिके पक्का करैत अछि आ ओकरा मनता वा बान्हबला सपथ जे ओ कएने छलीह, से ओ पक्का रहत, किएक त ओकरा पति ओहिके सुनलहा दिन ओकरा किछु आपति नहि जनएलक।15यदि ओकर पति अपन पत्नीके मन्ता सुनिते मातर ओहिके रद्द क' दैक, त ओकर दोषके विषयमे पति जिम्मेवार होएत।”16ई यहोवाके विधिसब छल जे मूसाके आदेश देने रहथि पति आ पत्नीके बीचके विधि, बाबु आ बेटीके विधि जं ओ कुमारि अवस्थामे अपन बाबुके घरमे रहैक होइक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.