Numbers29
1“प्रत्येक वर्षके सातम महिनाके पहिन दिनमे, यहोवाके आदर करबाक लेल पवित्र सभा लगाएब। ओहि दिन अहाँसब अपन कोनो नियमित काज नहि करब। ओ दिन अहाँसबहक लेल नरसिंगा फुकएबला दिन होएत। 2यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध देबएलेल होमबलि अवश्य चढ़ाएब। अहाँ एकटा बच्छा, एकटा भेंड़, आ सातटा न्र मेमना जे एक सालके आ निर्दोष होइक चढ़ाएब।3ओकरा प्रत्येकके अहाँ अन्नबलिके संग चढ़ाएब, तीन किलो मिहीन अंटा जैतूनके तेलमे मिलाक, दू किलो आंटा बच्छाके लेल, दू दसम भाग भेंड़के लेल,4आ एक दसम भाग प्रत्येक सात नर मेमनाके लेल।5एकटा छागरके पापबलिके रुपमे अहाँसबहक प्रायश्चितके लेल अवश्य चढ़ाएब।6ई चढ़ओना सब सातम महिनामे बनाएब आओर चढ़ओनाके अतिरिक्त ई चढ़ओनाके प्रत्येक महिनाके पहिन दिनमे तैयार करब: एहि संगे विशेष होमबलि आ अन्नबलि जएतैक। ई नियमित होमबलि, अन्नबलि आ अर्घबलिके अलावा होएबाक चाही। जेना अहाँ एहि बलिसबके तैयार करब, ओहि बातके आदेश पालन करब जे यहोवाके लेल आगिमे जारिक मधुर सुगन्ध बनबैत होइक। 7सातम महिनाके दसम दिनमे, प्रायश्चितके दिनमे यहोवाके आदरमे पवित्र सभा लगाएब। अहाँ अपने-आपके अपन पापके लेल उपासद्वारा दीन बनाएब आ कोनो काज नहि करब।8यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध के लेल होमबलि अवश्य चढ़ाएब। एकटा बच्छा, एकटा भेंड़, आ एक सालके सातगो नर मेमना चढ़ाएब। ओसब निस्खोट होबए के चाही।9ओहिके संगे अहाँ अन्नबलि, जैतूनके तेलमे मिलाएल तीन किलो मिहीन आंटा तीन दू किलो आंटा बच्छाके लेल, दू दसम भेंड़के लेल,10आ दसम भाग सातो मेमनाके लेल।11एकटा छागर पापबलिके रुपमे अहाँके प्रायश्चितके लेल सेहो चढ़ाएब। ई प्रायश्चितके पापबलि, नियमित होमबलि, अन्नबलि, आ अर्घबलिके अतिरिक्त होएत।12सातम महिनाके पन्द्रहम दिनमे यहोवाके आदरमे अहाँ एकटा पवित्र सभा लगाएब। ओहि दिन अहाँ नियमित काजसब नहि करब, आ अहाँ हुनकालेल ई पर्व सात दिनधरि मनाएब। 13यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध देबएबला आगि जराक' होमबलि अवश्य चढ़ाएब। अहाँसब तेरहगो बच्छा, दूटा भेंड़, आ एक सालके चौदहगो नर मेमना चढ़ाएब, प्रत्येक निर्दोष होइक,14ओहिके संगे अहाँ प्रत्येक बच्छाके लेल, जैतूनके तेल मिलाएल तीन किलो मिहीन अंटा, दू किलो आंटा प्रत्येक भेंड़के लेल,15आ प्रत्येक चौदह मेमनाके लेल, एपा के दसम भाग चढ़ाएब।16नियमित होमबलि, अन्नबलि आ अर्घबलिके अलावा अहाँ एकटा छागर पापबलिके रुपमे अहाँसबके प्रायश्चितके लेल चढ़ाएब।17सात दिनबला पर्वके दोसर दिन, अहाँ बारहगो बच्छा, दूटा भेंड़, आ चौदहगो एक सालके नर मेमना चढ़ाएब जे निस्खोट होइक।18ओकरासब संगे अन्नबलि, अर्घ बलि, बच्छा, भेंड़, आ मेमनाके लेल ओतबे बलि चढ़ाबए जतेक आदेश देल गेल अछि।19अहाँ नियमित होमबलि, अन्नबलि, अर्घबलिके संगे एकटा छागर पापबलिके रुपमे सेहो चढ़ाएब।20पर्वके तेसर दिन, अहाँ एगार्गो बच्छा, दूटा भेंड़, आ चौदहगो एक सालके नर मेमना चढ़ाएब, प्रत्येक बिना पयके होइक।21ओहिके संगे अहाँ बच्छाके लेल, भेंड़के लेल, मेमनाके लेल अन्नबलि, अर्घ बलि चढ़ाएब, जैन आदेश देल गेल अछि।22नियमित होमबलि, अन्नबलि, आ अर्घबलिके संगे अहाँ एकटा छागर पापबलिके रुपमे चढ़ाएब।23पर्वके चारिम दिन, अहाँ दशगो बच्छा, दूटा भेंड़, आ चौदहगो एक सालके निर्दोष नर मेमना चढ़ाएब।24अहाँ ओहिके संगे बच्छाके लेल, भेंड़के लेल, मेमनाके लेल अन्नबलि, अर्घ बलि ओतबे चढ़ाएब जतेक आदेश देल गेल अछि।25एकटा छागर पापबलिके अलावा ओकर नियमित होमबलि, अन्नबलि, आ अर्घ बलि चढ़ाएब।26सात दिनबला पर्वके पांचम दिनमे, नअ गो बच्छा, दूटा भेंड़, आ एक सालके नर मेमना जे निस्खोट होइक चढ़ाएब।27ओकरासबके लेल अन्नबलि, आ अर्घ बलि बच्छा, भेंड़, मेमनाके लेल चढ़ाएब, जतेक बलि आदेश देल गेल रहैक ओतबे होएबाक चाही।28नियमित अन्नबलि, होमबलि, आ अर्घबलिके अलावा एकटा छागर पापबलिके रुपमे सेहो चढ़ाएब।29सात दिनबला पर्वके छठम दिनमे, आठटा बच्छा, दूटा भेंड़ आ चौदहगो निस्खोट एक सालके नर मेमना चढ़ाएब।30बच्छा, भेंड़ आ मेमनाके लेल ओकर अन्नबलि, अर्घ बलि चढ़ाएब जतेक आदेश देल गेल ओतबे।31एकटा छागर पापबलिके रुपमे नियमित होमबलि, अन्नबलि, आ अर्घबलिके अलावा चढ़ाएब।32सात दिनबला पर्वके सातम दिन, अहाँ सातगो बच्छा, दूटा भेंड़, आ चौदह नर मेमना जे एक सालके निस्खोट होइक से चढ़ाएब।33बच्छासब, भेंड़, आ मेमना सबके लेल अन्नबलि, अर्घ बलि ओतेक चढ़ाएब जतेक आदेश देल गेल अछि।34एकटा छागर पापबलिके अलावा ओकर नियमित होमबलि, अन्नबलि, आ अर्घ बलि चढ़ाएब।35सात दिनबला पर्वके आठम दिन अहाँसब दोसर सभा लगाएब। ओहि दिन अहाँसब कोनो आन काज नहि करब।36यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध देबएबला आगि जराक' होमबलि अवश्य चढ़ाएब। अहाँसब एगो बच्छा, एगो भेंड़, आ एक सालके सातगो नर मेमना चढ़ाएब। सब बिना कोनो पयके होएबाक चाही।37बच्छासब, भेंड़, आ मेमना सबके लेल अन्नबलि, अर्घ बलि ओतेक चढ़ाएब जतेक आदेश देल गेल अछि।38नियमित अन्नबलि, होमबलि, आ अर्घबलिके अलावा एकटा छागर पापबलिके रुपमे सेहो चढ़ाएब।39इस यहोवाके लेल पावनि निर्धारीत मे अहाँसबके चढ़ाबके अछि। ई अहाँके कबूलासब आ स्वेच्छा के चढ़ओनाके अलावा होइक ई बलिसब अन्नबलि, अर्घ बलि, होमबलि आ मेलबलिके रुपमे चढाएब।”40मूसा इजराएलके लोकसबके कहलनि जे यहोवा हुनका कहबाकलेल आदेश देने रहथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.