Numbers28

1यहोवा मूसा संगे आओर बजलखिन आ कहलखिन,2“इजराएलके लोकसबके आदेश दिऔ आ ओकरासबके कहियौ, ‘हमरालेल मधुर सुगन्ध उत्पन्न करबाक लेल आगिद्वारा चढ़ाएल गेल होमबलि हमर भोजनक भेट, अहाँके हमरालेल तोकल गेल समयपर चढ़ौना चढ़ाबए पड़त।’3अहाँके ओकरासबस' ई सेहो कहबाक चाही, ‘ई आगिद्वारा बनाओल गेल होमबलि अछि जे अहाँके यहोवाके अवश्य अर्पित करबाक चाही एक सालक निर्दोष भेंड़के बच्चा, प्रत्येक दिन दूटा, नियमित रुपस' होमबलिक रुपमे चढ़ाएब।4एकटा मेमना भोरमे, आ दोसर मेमना सांझमे जरुर चढ़ाएब।5अहाँ एक किलो मेही आंटाके दसम भाग अनाजके चढ़ओनाबाके रुपमे अवश्य चढ़एबाक चाही, जे एक लीटर जैतूनके उत्तम तेलक संग मिलाएल जाइक।6ई नियमित रूपसं होमबलि अछि जेकरा सीनै पर्वतपर मधुर सुगन्ध उत्पन्न करबाक आदेश देल गेल छल, जे यहोवाके आगिद्वारा होम कएल गेल चढ़ाबा छल।7अर्घबलिके संगे हिन के एक-चौथाइ प्रति मेमना होएबाक चाही। अहाँ पवित्र स्थानमे यहोवाके लेल अर्घबलिके एक लीटर मद्य जरुर उझैल देबै।8दोसर मेमनाके अनाजके बलि संगे सांझमे चढ़ाएब जेना भोरमे चढ़एने रही। अहाँ एहिके संगे अर्घबलि सेहो चढ़ाएब, ओ होमबलिके चढ़ाबा, जे यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध दैत हुवे।9विश्राम-दिनमे अहाँ दूटा मेमना जरुर चढ़ाएब, प्रत्येक एक सालके निर्दोष होइक, दू किलो मेही अंटाके दू दसम भाग अन्नबलिके रुपमे, जैतूनके तेलमे मिलाएल होइक, आ एहिके संगे अर्घबलि सेहो होइक।10ई प्रत्येक विश्रामके लेल होमबलि होएत, संगहि नियमित होमबलि आ एहिके संगे अर्घबलि सेहो होएबाक चाही।11प्रत्येक महिनाक शुरुमे, अहाँसब यहोवाके लेल होमबलि जरुर चढ़ाएब। अहाँसबके दूटा बच्छा, एकटा भेंड़, आ सातटा एक सालके निर्दोष मेमना जरुर चढ़ाएब।12एपा के मेही अंटाके तीन दसम भाग तेलमे मिलाएल अन्नबलिके रुपमे प्रत्येक बच्छाके लेल, आ दू किलो मिहीन अंटाके दू दसम भाग जैतूनके तेल मिलाएल अन्नबलि भेंड़के लेल।13अहाँ प्रत्येक मेमनाक लेल सेहो एक किलो मेही अंटाके तेलमे मिलाक अन्नबलि चढ़ाएब। ई होमबलिके रुपमे होइक, जे मधुर सुगन्ध दैक, यहोवाकलेल ई आगिद्वारा जराओल जाएक।14लोकसबके अर्घ बलि एकटा बच्छाके लेल आधा हिन मद्य, भेंड़के लेल एक तिहाइ हिन मद्य, आ मेमनाके लेल एक-चौथाइ हिन मद्य चढ़ाएब। ई सालक महिना सब भरि प्रत्येक महिनाके लेल होमबलि होएबाक चाही।15यहोवाके लेल एकटा छागर पापबलि जरुर चढ़ाएब। ई नियमित होमबलि आ अर्धबलि के संगहि ई फाजिल चढ़ौना होएत।16प्रत्येक वर्षके पहिन महिनाके चौदहम दिनमे, यहोवाके फसहके पर्व अबैत अछि।17एहि महिनाके पन्द्रहमा दिनमे एकटा धार्मिक पर्व मनाएल जाएके चाही। सात दिनधरि, बिना खमीरके रोटीके पर्व मनाएल जाएके चाही। 18पर्वके दिन, यहोवाके आदरमे एकटा पवित्र सभा होएबाक चाही। ओहि दिन अहाँसब नियमित काजसब नहि करब।19तइयो, अहाँसब यहोवाके लेल होमबलि जे आगिमे जराओल जाइत अछि से चढ़ाएब। अहाँसब दूटा बच्छा चढ़ाएब, एकटा भेंड़, आ सातटा न्र मेमना जे एक सालके आ निर्दोष होइक से चढ़ाएब।20बच्छाके संगहि, अहाँसब अन्नबलि सेहो चढ़ाएब जाहिमे तीन किलो मेही अंटाके तीन दसम भागमे जैतूनके तेल मिलाएल होइक, भेंड़के संगे दू किलो मिहीन अंटा जैतून तेलमे मिलाएल होइक।21प्रत्येक सात मेमना संगे, अहाँसब एक किलो अंटाके दसम भाग जे तेलमे मिलाएल होइक से चढ़ाएब,22आ एकटा छागर तोरा अपनासबके प्रायश्चितके लेल पापबलि अवश्य चढ़ाएब।23अहाँसब नियमित होमबलिके अलावा चढ़ाएब जे प्रत्येक भोर आवश्यक होइक अछि।24जे एहि ठाम व्याख्या कएल गेल अनुसार, ई बलिदानसबके नित दिन चढ़ाएब, पर्वके प्रत्येक सातो दिन धरि, आगिद्वारा जे चढ़ाएल गेल भोजन अछि, से यहोवाके ले मधुर सुगन्ध जकां होइत। एहिके संगे नितदिनके होमबलि आ अर्घबलिके संगहि चढ़ाएल जाइक।25पर्वके अन्तिम दिन, सातम दिनमे यहोवाके आदरमे अहाँसब एकटा पवित्र सभा लगाएब, आ ओहि दिनमे नियमित काज नहि करब।26पहिन कटनीके पर्वके प्रथम दिनमे सेहो अहाँसब एकटा पवित्र सभा लगाएब आ नियमित काज नहि करब जाहि दिन अहाँसब पहिनुका फड़ के दिन, जहिया अहाँसब नव अन्न यहोवाके चढ़ाएब अहाँसबके सप्ताहके पर्वमे।27अहाँसब यहोवाके लेल मधुर सुगन्ध दिअ वला होमबलि अवश्य चढ़ाएब। अहाँसब दूटा बच्छा, एकटा भेंड़, आ सातटा नर मेमना चढ़ाएब जे एक सालके होइक।28ओहिके संगे अन्नबलि सेहो जाए देबै: तेलमे मिलाएल तीन किलो मिहीन अंटा, प्रत्येक बच्छाके लेल तीन दसम भाग दू किलो मिहीन अंटा जैतूनके तेलमे मिलाएल होइक आ दू दसम भाग भेंड़के लेल।29तेलमे मिलाएल एक किलो मिहीन अंटा प्रत्येक सातटा न्र मेमनाके लेल,30आ एकटा तोरा अपने सबहक प्रायश्चितके लेल छागर चढ़ाएब।31जन अहाँसब ओहि जानबरसबके चढ़ाएब से निर्दोष होइक, ओकर अर्घबलिके संगे, ई नितदिनके अन्नबलि आ होमबलिके अलावा ई चढ़ाएब।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67