Numbers27

1एकदिन तखन मूसालग यूसुफके पुत्र मनश्शेक कुलक पुत्र माकीरक पुत्र गिलादके पुत्र सलोफाद हेपेरक पुत्री आ यूसुफके पुत्र मनश्शेक कुलक बेटी अएलीह। ई ओकर बेटीसबहक नाम छल: महला, नोवा, होग्ला, मिल्का, आ तिर्सा।2ओसब मूसाक सामने ठाढ़ छल, पुजारी एलीआजर, अगरियासब, आ मिलापके तम्बूके प्रवेशद्वारपर सारा समुदायक सामने ठाढ़ छल। ओ कहलक,3“हमर पिता जंगलमे मरि गेलाह। ओ ओहि लोकसबमे नहि छलाह जे कोरहके संगे यहोवाक विरुद्ध षड्यन्त्र कएलनि। ओ अपन पापक लेल मरि गेल, आ ओकरा कोनो पुत्र नहि छलनि।4हमर पिताक नाम हुनक कूलक सदस्यसबस' किएक छिन लेल जाइक किएक त' ओ निपुतर छलनि? हमरासबके पिताके सगा-सम्बन्धीके बीच हमरासबके जमीन दिअ।”5तें मूसा ओकरासबके मामिला के यहोवाके आगु ल क' आएल।6यहोवा मूसा संगे बजएलखिन आ कहलखिन,7“सलोफादके बेटीसब ठीके बाजि रहल छथि। ओकरासबके पिताके ओकर सगा-सम्बन्धीके बीचमे विरासत अवश्य देबएके चाही, आ अहाँ निश्चित करु जे ओकरा पिताके नीज भाग ओकरासबके देल जाइक।8अहाँ इजराएली लोकसबसंगे अवश्य बाजू आ कहियौ, ‘यदि कोनो मनुष्य मरि जाइक आ ओकरा कोनो बेटा नहि होइक, तखन अहाँ ओकर अंश ओकर बेटीसबमे बांटि देल जाएके चाही।9यदि ओकरा बेटियो नहि होइक त ओकरा अंश ओकर भाइसबमे बांटि देबै।10यदि ओकरा भाइयो नहि रहैक, तब अहाँ ओकर अंशके ओकरा बाबुके भायसब मे बांटि देबै।11यही ओकरा बाबुके कोनो भायसब नहि रहैक, तब ओकर कुलके नजदीकके सखा-सम्बन्धीके ओकर अंश बांटि देबै, आ ओ ओकरा अपने जकां लेबा के चाही।’ ई इजराएल लोकसबके लेल विधिद्वारा स्थापित व्यवस्था होइक, जेना यहोवा हमर आदेश देने छथि।”12एकदिन, यहोवा मूसाके कहलखिन, “अबारीमके पहाड़पर अहाँ जाउ आ ओहि भूमिके देखू जे हम इजराएली लोकसबके देने छी। 13अहाँ ओकरा देखलेलाके बाद, अहाँ मरि जाएब आ अपन मरल लोकसबसंग मिलि जाएब, जेना अहाँक भैया हारून कएलनि।14ई एहिलेल होएत जे अहाँ दुनूगोटे सीनके मरुभूमिमे हमर आदेशके विद्रोह कएलीह। ओत', जखन चट्टानस पानि निकलि आएल, अहाँ अपन क्रोधमे सारा समुदायके नजरिमे हमरा पवित्र जकां आदर कएनाइ भुलि गेली।” ई सीनके मरुभूमिमे कादेश नगरमे मरीबाके स्रोत रहए। 15तन मूसा यहोवा संगे प्रार्थना कएलक आ कहलक,16“अहाँ, यहोवा, सारा मनुष्य प्राणीके यहोवा, समुदायके उपर कोनो मनुष्य नियुक्त क' लेल जाओ, 17ओ मनुष्य जे निकलि अबैक आ ओकरासबके अगुवाइ करए आ ओहि देशमे ल' जाइक, एहिलेल जे यहोवा अहाँके समुदाय चरबाह बिनाके हेंड़के भेंड़ नहि होइक।” 18यहोवा मूसाके कहलखिन, “नूनके पुत्र यहोशूके ल क' जाउ, ई मनुष्य जेकरामे हमर आत्मा अछि, आ अपन हाथ ओकरापर ध' दिऔ।19ओकरा एलीआजर पुजारीके आ सारा समुदायके आगु राखू, आ ओकरासबके अगुवाइ करबाक लेल ओकरासबके नजरिके आगु ओकरा आज्ञा दिऔ।20अहाँ अपन किछु अधिकार सेहो ओकरापर ध' देबै, जाहिस इजराएली लोकके सारा समुदाय ओकर बात मानि सकैक।21यहोशू एलीआजर पुजारीलग उरिमद्वारा निर्णय लेब' हमर आने यहोवाके इच्छा बुझएलेल जएतैक ई ओकरे आदेश मे होतैक जे लोकसब बाहर आ भीतर करत, दुनू ओ आ ओकरासंगे इजराएलके सारा लोक, सारा समुदाय।”22एहिलेल मूसा ओहिना कएलक जेना यहोवा ओकरा आदेश देने रहथि। ओ यहोशूके ल क' एलीआजर पुजारी आ सारा समुदायके आगुराखि देल।23मूसा अपन हाथ ओकरापर राखिक अपन उत्तराधिकारी नियुक्त कएलक, जेना यहोवा करबाक लेल ओकरा आदेश देने रहथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67