Numbers26

1महामारीस' इजराएलीसबके मरएस' यहोवा रोकि देलाके बाद, यहोवा मूसा आ पुजारी हारूनके पुत्र एलीआजरके संगे बजलनि। ओ कहलखिन,2“पुर्खाके परिवार अनुसार बीस बरीस आ ओहिस उपरके लोकसबके जे युद्धमे जाएलेल योग्य अछि, इजराएलके सारा समुदायके लोकसबके गनती करु।”3तें मूसा आ एलीआजर पुजारी इजराएलीसबसंग यरदनके यरीहोमे मोआबके मैदानमे बात कएलनि आ कहलनि,4“जेना यहोवा मूसा आ इजराएलके लोकसबके आदेश देने अनुसार, जे मिस्र देशस' निकलि आएल छल, तेकरासबके बीस बरीस आ ओहिस' उपरके लोकसबके गनती करु।”5रूबेन इजराएलके जेठ बेटा रहैक। ओकर पुत्र हनोक स हनोकीसब के कूल भेल; आ पल्लू स पल्लूई सबहक कूल भेल।6हेस्रोन स हेस्रोनसबके कूल भेल। कर्मी स कर्मी सबहक कूल भेल।7रूबेनके कुलसब इहे छल, जेकर संख्या 43,730 छल।8एलीआब पल्लू के पुत्र रहैक।9एलीआबके पुत्रसब रहए नमूएल, दातान, आ अबिराम। ई ओहे दातान आ अबीराम रहैक जं ओसब मूसा आ हारूनके चुनौती देलक त ईसब ओकरासबके साथ देलक आ कोरहके मण्डलीसब यहोवाके विरुद्ध विद्रोह कएलक।10पृथ्वी अपन मुंह खोलिक ओकरासबके कोरहके संगे ओकरा पाछु चलबला सबके गिंट लेलक आ ओसब मरि गेल। ओहि समयमे 250 लोकसब आगि भष्म क देलक, जे चेतावनीके चेन्ह भेल।11मुदा कोरहके घरानिसब नहि मरल छल।12शिमोनके कूल जेकरामेस ईसब आएल छल; अर्थात् नमूएल, जेकरामेस नमूएली सबहक कूल निकलल; आ यामीन स यामीनी सबहक कूल भेल, याकीन स याकीनी सबहक कूल भेल,13जेरहस' जेरहके कुल निकलल, शाऊल स शाऊल सबहक कूल निकलल।14शिमोनीके सन्तानके कूलसब इहे छल, जे 22,200 संख्यामे रहैक।15गादके सन्तानसब ई रहैक: सपोन स सपोनी सबहक कुल भेल, हाग्गै स हाग्गी सबके कूल भेल, शूनीस' शूनीसबहक कूल भेल,16ओजनी स ओजनीसबके कूल, अरोदस' अरोदीके कुलके शुरुआत भेल,17अरोदस अरोदीके कूल, अरेली स अरेलीसबके कूल।18ई गादके सन्तानसब छल, जेकर लोकसबके संख्या 40,500 भेल।19यहूदाके पुत्र एर आ ओनान भेल त' मुदा ओसब कनाने देशमे मरि गेल। 20यहूदाके सन्तानके आओर कूल ईसब छल: शेला स, शेलीसब, पेरेस स' पेरेसीसबके कूल भेल, आ जेरहस जेरह सबहक कूल शुरुआत भेल।21पेरेसके सन्तानसब ई छल: हेस्रोन स हेस्रोनीसबके कूल, हामूल स हमूलके कूल भेल।22ईसब यहूदाके सन्तानसब छल, जेकर लोकक संख्या 76,500 रहैक।23इस्साकारके सन्तानस आएल कूल ईसब छल: तोला स तोलासबहक कूल, पुव्वा स' पुव्वा सबहक कूल,24याशूब स याशूबी सबहक कूल। शिम्रोन स' शिम्रोन सबहक कूल।25ई इस्साकारके कूलसब छल जेकर संख्या 64,300 छल।26जबूलूनके सन्तानस आएल कूल ईसब छल: सरेद स सेरेदी सबहक कूल, एलोन स एलोनी सबहक कूल आएल, यहलेल स यहेलेली सबहक कूल भेल।27जबूलूनी सबहक कूल छल, जेकर संख्या 60,500 लोक छल।28यूसुफके सन्तान मनश्शे आ इफ्राइमस आएल कूलसब छल।29मनश्शेके सन्तानसब ई छल: माकीर स माकीरी सबहक कूल माकीर गिलादके पिता छल, गिलाद स गिलादी सबहक कूल आएल।30गिलादके सन्तानसब ई छल: ईएजर स ईएजर सबहक कूल भेल, हेलेक स हेलेकी सबहक कूल,31अस्रीएल स अस्रीली सबहक कूल, शेकेमस' शेकेमी सबहक कूल,32शमीदाके सबहक कूलस' शमिदी सब, हेफेर स हेपेरी सबहक कूल।33सलोफाद हेफेर के पुत्र निपुतर रहैक, मुदा बेटीसब मात्र छल। ओकर बेटीसबहक नाम महला, नोवा, होग्ला, मिल्का आ तिर्सा छल।34मनश्शेके कूलसब छल, जेकर संख्या 52,700 लोक छल।35इफ्राइमके सन्तानके कुलसब ई छल: शूतेलह स शूतेलही सबहक कूल, बेकेर स बेकेरी सबहक कूल, तहन स तहनी सबहक कूल भेल।36शूतेलह के सन्तानसब ई छल, एरान स एरानी सबहक कूल।37ई इफ्राइमके सन्तानसबके कूल छल, जेकर लोकसबके संख्या 32,500 रहैक। ईसब यूसुफके सन्तानसब छल, जे कूल कुलके अनुसार गनती भेल छल।38बिन्यामीनके सन्तानसबके कूल ई छल: बेला स बेलिसबहक कूल, अश्बेल स अश्बेलीसब, अहिराम स अहिरामीसबके कुल,39शपूपाम स शपूपामी सब, हुपाम स हुपामी सबहक कूल भेल।40बेलाके पुत्र आर्द आ नामान छल; आ आर्द स अर्दी सबहक कूल, आ नामान स नमानी सबहक कूल आएल।41ईसब बिन्यामीनके सन्तानसबस आएल कूल छल। ओसब 45,000 के संख्यामे छल।42दानके सन्तानसबस आएल कूलसब ई छल, शूहाम स' शूहामी सबहक कूल आएल, दानके सन्तानके कूलसब इहे छल।43शूहामी कुलके संख्या 64,400 लोकसब छल।44आशेरके सन्तानस आएल सबहक कूल ई छल: यिम्ना स यिम्ना सबहक कूल, यिश्वी सबस इश्बी सबहक कूल, बरीआ स बेरीसबहक कूल।45बरीआके सन्तानसब ई छल: हेब्र स हेबेर सबहक कूल भेल, मल्कीएल सबस मल्कीएली सबहक कूल भेल।46आशेरके बेटीके नाम सेरह छल।47ईसब आशेरके सन्तानके कूलसब छल, जेकर संख्या 53,400 लोक छल।48नप्ताली सबहक सन्तानसब ई छल: यहसेल स यहसीली सबहक कूल चलल; गूनी स गूनी सबहक कुल,49येसेर स येसेरी सबहक कूल, शिल्लेम स शिल्लेमी सबहक कूल।50ई नप्तालीके सन्तानस आएल कूलसब छल, जेकर संख्या 45,400 छल।51इजराएलीसबके बीचमे पुरुष सबहक ई पूरा गनती छल: 601,73052यहोवा फेरुस मूसाके संग बजएलखिन आ कहलखिन,53“एकरा सबहक नामक गनती अनुसार विरासतके रुपमे देशके बंटबरा कएल जाएके चाही।54नमहर कुलके बेसी विरासत, आ छोट कुलके कम विरासत देबै। प्रत्येक परिवारके गनती भेल पुरुषके संख्या अनुसार विरासत देबै।55तइयो, देशके भूमिके अंकुर लगाक' फाटि देबै। ओकरासबके ओहि भूमिके अधिकार करबाक चाही जेना ओकरासबके कुलके नाममे बांटल जएतै।”56विरासत नमहर स छोट कूलमे बांटल जाइक, ओकरासबके अंकुर फेकक बांटि देबएके चाही।57लेवी सबहक कूल कूल अनुसार गनल गेल से एना रहैक: गेर्शोन स गेर्शेनी सबहक कूल, कहातस कहाती सबहक कूल; मरारी स मरारी सबहक कूल आएल।58लेवी सबहक कूल ई छल: लिब्नी सबहक कूल, हेब्रोनी सबहक कूल, महली सबहक कूल, मूशी सबहक कूल आ कोरहके कूल। कहात अम्रामके पूर्वज छल।59अम्रामके पत्नीके नाम योकेबेद छल, जे लेवीके सन्तान छलीह जे मिस्रमे लेवी कूलमे जन्म लेने रहैक। जे अम्राम द्वारा हारून आ मूसा आ ओकर बहिन मिरियमके जन्म देलीह।60हारूनस नादाब आ अबीहू, एलीआजर आ ईतामार जनमल।61नादाब आ अबीहू मरि गेल जखन यहोवाके अशुद्ध आगि चढ़एने छल। 62ओकरासबमे के पुरुष जे गनती भेल छल से तेइस हजार रहैक, सब पुरुषसब एक महिना आ ओहिस उपरके रहैक। मुदा ओसब इजराएलके सन्तानके गनती मे नहि गनल रहैक किएक त ओकरासबके इजराएली लोकसबमे कोनो विरासत नहि देल गेल छल।63ईसब मूसा आ एलीआजर पुजारीद्वारा गनल गेल छल। मोआबके मैदानमे यरदन लग यरीहोमे ओसब इजराएलके लोकसबके गनती कएने रहैक।64मुदा एहिसबमे ओ कोनो पुरुष नहि छल जे सीनैके मरुभूमिमे मूसा आ पुजारी हारूनद्वारा इजराएलके सन्तानसबके पहिन बेर गनणा कएने रहैक।65किएक त यहोवा कहने छलथि जे ओसब इजराएली जे अनाज्ञाकारी रहैक से एहि मरुभूमिमे अवश्य मरि जाएत। ओकरासबमेस कोनो पुरुष बांकी नहि रहल छल, कालेबके बेटा यपुन्ने, आ नूनके पुत्र यहोशूके बाहेक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67