Numbers20

1तें इजराएली लोकसब, सारा समुदाय, सालके पहिन महिनामे सीनके मरुभूमिमे गेल; ओसब कादेशमे ठहरल। ओतहि मिरियम मरि गेलीह आ गाड़ल गेलीह।2ओत समुदायके पिबएलेल पानि नहि छल, तें ओसब मूसा आ हारूनके विरुद्धमे एकट्ठा भेल।3लोकसब मूसा आ हारूनके विरुद्धमे गंजन कएलक। संगी इजराएलीसब कहलक, “यहोवाके आगु जेना आओर इजराएलीसब मरि गेल रहैक तहिना हमहूंसब मरि जइती त निमने होएतै!4अहाँसब किएक यहोवाके समुदायके मरुभूमिमे मर लेल ल क आएल छी, हमरासबके आ हमरसबके मालजालसबके?5अहाँसब किएक हमरासबके मिश्र देशस एहन अधलाह स्थानमे किएक ल क अएलहुं? एत कोनो बालि नहि अछि, ने जैतून, दाख वा अनार, आ ने पिब लेल पानि।”6तें मूसा आ हारून सभाके आगुस चलि गेलाह। ओसब मिलापके तम्बूके द्वार पर गेलाह आ पीड़ामे मुंहे भरे गिर गेलाह। ओत यहोवाके तेज महिमा ओकरासबलग प्रगट भेल।7यहोवा मूसा आ हारून संगे बात कएलखिन,8“अहाँ आ अहाँक भैया हारून लाठी ल क' आ सभा बजाउ। ओकरासबहक आंखिके सामने ओहि चट्टान संगे बात करु, आ आज्ञा दिऔ जे ओ पानि बहादैक। अहाँ ओकरासबहक लेल चट्टानस पानि निकालबैक आ सबलोक आ मालजालसबके पिबाकलेल पानि देबै।”9मूसा यहोवाके समुने स ओ लाठी लेलक, आ जेना यहोवा ओकरा करबाक लेल आदेश देने छलथि।10तखन मूसा आ हारून समुदायके सभा चट्टानके आगु एकट्ठा कएलक। मूसा ओकरासबके कहलक, “आब सुनू, अहाँ विद्रोही सब। की हम अहाँसबके लेल एहि चट्टानस अहाँसबहक लेल पानि निकालिए दू?”
11तखन मूसा अपन हाथ उठाकए आ अपन लाठीस ओहि चट्टानके दू बेर मारलक, आ बहुते पानि निकलि आएल। सारा समुदाय आ सब मालजाल पानि पीबलक। 12तखन यहोवा मूसा आ हारूनके कहलखिन, “किएक त अहाँ हमरा इजराएलके लोकसबके आंखिके सामने हमरा पवित्र जेहन आदर वा भरोसा नहि कएलहुं, अहाँ एहि समुदायके हम देने देशमे अहाँ ल क नहि जाएब।”13एहि स्थानके मरीबाके पानि कहल गेल किएक त इजराएलके लोकसब यहोवा संगे ओत झगड़ा कएने रहए, आ ओ अपने-आपके पवित्र देखौलथि। 14मूसा कादेशस' एदोमके राजालग ई सन्देशके संग क देशके समीप इजराएलके शिविरस किछु दूतसब पठौलनि: “अहाँक नातेदार इजराएल ई कहैत अछि: हमरासबके उपर भेल सब आफत विपत्त अहाँके मालूमे होएत।15अहाँके अवगते होएत जे बहुत पहिने हमरासबहक पूर्वजसब मिस्रमे गेल रहथि आ ओतहि बसि गेल रहथि। मिस्रीसब हमर पूर्वजसबके आ हमरासबके सेहो दुर्व्यवहार कएलक।16जखन हमसब यहोवाके पुकार कएलहुं, ओ हमरसबके पुकार सुनलनि आ स्वर्गदूत पठौलनि आ हमरासबके मिश्र स बाहर निकाललनि। देखियौ, आब हमसब कादेश, अहाँसबहक देशके सिमाना के नगरमे छी।17हमसब अनुरोध करैत छी जे हमरासबके अहाँक अपन देश दने जाए दिअ। हमसब अहाँक खेत वा अंगूर बगान दने नहि जाएब, वा हमसब अहाँक इनारस पानिओ नहि पीबि। हमसब राजे मार्ग भ' क जाएब। हमसब दायां वा बायां नहि मुड़ब जाधरि हमसब सिमाना नहि पार करब।”18मुदा एदोमके राजा जबाब देलक, “अहाँसब एहि बाटे नहि जा सकैत छी। यदि अहाँसब एना करब त, हम अहाँपर आक्रमण करबाक लेल तरुआरि ल क आएब।”19तखन इजराएलके लोकसब जबाब देलक, “हमसब राजे मार्ग भ' क' जाएब। यदि हमसब वा हमरासबके मालजाल अहाँक पानिओ पिअत त, हमसब ओकर दाम द' देब। मात्र किछु कएने बिना, हमरासबके पैदल यात्रा करए दिअ।”20मुदा एदोमके राजा उत्तर देलक, “अहाँसब नहि जा सकैत छी।” तें एदोमके राजा इजराएलके विरुद्ध अपन सेना ल क' मजगुती स' ठाढ़ भेल।21एदोमके राजा इजराएलीसबके अपन देश दने सीमा पार करए नहि देलक। एहिलेल, इजराएलीसब एदोमके सीमास घुरिगेल।22एहिलेल सारा इजराएली कादेशस यात्रा कएलक। इजराएली लोकसब, सारा समुदाय, होर पर्वत लग आबि गेल।23एदोमके सीमामे, यहोवा होर पर्वतपर मूसा आ हारून संगे बात कएलखिन। ओ कहलखिन,24“हारून मरिक अपन मरल पूर्वजसब लग चलि जएतैक, किएक त ओहो ओहि देशमे नहि जा सकैत अछि जे हम इजराएली लोकके देने छी। ई एहिलेल जे मूसा आ हारून, अहाँ दुनूगोटे मरीबाके पानिमे हमर वचनके अवहेलना कएने छलहुं। 25हारून आ ओकर बेटा एलीआजरके ल क' आ ओकरासबके होरके पर्वतपर ल क' आउ।26हारूनस' पुजारीके वस्त्र ल क' एलीआजर ओकर बेटाके पहिरा दिऔ। हारून मरि जएतैक आ अपन मरल पूर्वजसब लग चलि जएतैक।”27मूसा ओहिना कएलक जेना यहोवा कहने रहथि। ओसब सारा समुदायके सामने होर पर्वतपर गेल।28मूसा हारूनस' पुजारीके वस्त्र उतारिक ओकरा बेटा एलीआजरके पहिरा देलक। पर्वतके चोटीए पर हारून ओतहि मरि गेल। तखन मूसा आ एलीआजर उतरिक नीचा आएल।29जखन इजराएलके सारा समुदाय देखलक जे हारून मरि गेलैथ, सारा समुदाय हारूनके लेल तीस दिन धरि शोक मनौलक। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67