Numbers19
1तेकरबाद, यहोवा मूसा आ हारून संगे बात कएलखिन। ओ कहलखिन,2जे ई हमर विधान, व्यवस्था जे हम, यहोवा अहाँके आदेश दैत छी: इजराएलके लोक कहियौ जे ओसब लाल बाछी अहाँ लग लबैक जे कोनो ऐब वा दोषपूर्ण नहि होइक, जे कहियो कोनो जुवा नहि बोकने होइक।3ओहि बाछीके एलीआजर पुजारीके देबै। ओ ओहि बाछीके छावनीके बाहर ल' जाइक, आ केओ ओकरा आगु ओहिके मारएक।4एलीआजर पुजारी ओकर लहुके अपन औंरीक मे ल' क' आ सात बेर मिलापके तम्बू दिस छिटैक।5दोसर पुजारी ओहि बाछीके ओकरा आगु जराबए। ओ ओकर खाल, माउस, लेहू आ ओकर गोबर समेत सब किछु जरा देबै।6पुजारीके देवदारके लकड़ी, हिसप, आ लाल रंगके ऊन ल क, आ ओहि बाछी जरैत आगिमे फेक दैक। 7तेकरबाद, पुजारी अपन हाथ धोक पानिमे नहा लेथि। तेकरबाद ओ छावनीमे आबैक, जत ओ सांझ धरि अशुद्ध रहतैक।8जे बाछी जे जरौने रहए से अपन वस्त्र पानिमे धोइक आ पानिस नहा लेथि। ओहो सांझ धरि अशुद्ध रहत।9जे केओ शुद्ध अछि से ओहि बाछीके जरलहवा छाउरके ल' क' आ छावनीस बाहर शुद्ध स्थानमे ध' दैक। ई छाउरके इजराएलके समुदायके लेल भण्डार कएल जाइक। ओसब ओहि छाउरके पानिमे मिलाक ओकरा ओसब अशुद्धि हटाब बला विधिमे उपयोग करए, किएक त ओ छाउर पापबलिमे स छल। 10जे केओ ओहि बाछीके छाउर बटोरत तेकरा अपन वस्त्र धो लेबके चाही। ओ सांझ धरि अशुद्ध रहत। ई इजराएल लोकसब आ ओकरासब संगे रहनिहार विदेशी लोकसबके लेल स्थायी विधि रहत।11जे केओ कोनो मनुष्यके मरल शरीरके छुअत से सात दिनधरि अशुद्ध रहत।12ओहन आदमी अपने-आपके तेसर आ सातम दिनमे शुद्ध क' लेथि। तखन ओ शुद्ध भ' जाएत। मुदा ओ अपने-आपके तेसर दिनमे शुद्ध नहि करत त ओ सातम दिनमे शुद्ध नहि होएत।13जे केओ कोनो आदमीके मरल शरीर छुअए, आ अपने-आपके शुद्ध नहि करए — ओ आदमी यहोवाके तम्बूके अशुद्ध करैत अछि। ओहन आदमीके यहोवाके इजराएली आदमी नहि मानल जाए किएक त अशुद्धता स शुद्ध करएबला पानि ओकरापर नहि छिटल गेल। ओ अशुद्धे रहत; ओकर अशुद्धता ओकरे पर रहत।14छावनी केओ मरि जाइक त इहे विधि अछि। जे कोनो लोक ओहि छावनी जाएत आ जे केओ ओहि छावनीमे पहिने छल से सात दिनधरि अशुद्ध रहत ई व्यवस्था होएत।15ओहि तम्बूमे कोनो वर्तन बिना ढकनाके वा ओकर मुंह झांपएलेल कोनो जौरी नहि बान्हल अछि त ओ अशुद्ध रहत।16ओहिना, छावनीके बाहर तलबारस अमर गेल व्यक्तिके छुअए, कोनो आओर आदमीके मरल शरीर, आदमीके हड्डी, वा कबरके छुअए — ओ मनुष्य सात दिनधरि अशुद्ध रहत।17अशुद्ध आदमीके लेल एना करु: पापबलिके छाउर ल क आ ओकर टटका पानिमे एगो वर्तनमे मिला दिऔ।18जे केओ शुद्ध अछि से हिसप ल क, ओहि पानिमे चोपकारिक, आ छावनी पर छिट दैक, छावनीके भीतर भेल सबटा वर्तन पर सेहो, जे आदमीसब ओत छल तेकरो सबपर, आ जे केओ कोनो हड्डी छुने छल तेकरो पर, जे मरि गेल अछि तेकरो पर, जे केओ मारल गेल छल तेकरो पर आ चाहे कबरपर छिट दैक।19तेसर दिन आ सातम दिनमे, शुद्ध आदमी अशुद्ध आदमीपर छिट दैक। सातम दिनमे अशुद्ध आदमी अपने-आपके शुद्ध क' लेबाक चाही। ओकरा अपन वस्त्र धो लेबाक चाही आ पानिस नहा लेबके चाही। आ सांझमे ओ शुद्ध भ' जाएत।20मुदा केओ अशुद्ध रहि गेल त, जे अपने-आपके शुद्ध करएस' अस्वीकार करए — ओहन आदमीके यहोवाके आदमी नहि मानल जाए किएक त ओ यहोवाके पवित्रताके अशुद्ध कएने छै। अशुद्धता स निकालबला पानि ओकरापर नहि छिटल होइक त ओ अशुद्ध रहत।21एहन परिस्थितिके लेल निरन्तर चलएवला विधि रहत। जे केओ अशुद्धता हटाबए वला पानि छिटक ओकरा अपन वस्त्र धो' लेबके चाही। जे केओ ओहि अशुद्धता हटाब वला पानि छुअए से सांझ धरि अशुद्ध रहत।22अशुद्ध आदमी जे किछु छुअत से अशुद्ध भ' जाएत। जं कोनो व्यक्ति ओहि आदमीके छुअए त ओ सांझ धरि अशुद्ध भ' जाएत।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.