Numbers18
1यहोवा हारूनके कहलखिन, “अहाँ, अहाँक बेटासब, आ अहाँक पुरखाके घराना पवित्र वेदीके विरुद्ध कएल गेल सबटा पापक जिम्मेवार होएब। मुदा अहाँ आ अहाँक बेटासब पुजारीके विरुद्ध कएल गेल पापक जिम्मेवार होएब।2लेवी कुलके अहाँक संगी सदस्यसबके लेल, अहाँक पुरखाक घराना, अहाँ ओकरासबके ल' क' आएब जे ओसब अहाँक साथ पुड़ए आ मदति करए जखन अहाँ आ अहाँक बेटासब गवाहीके तम्बूमे सेवा करब।3हारूनके संगी लेवीसब सारा तम्बूके सेवामे अहाँके सेवा करहीके चाही। तइयो, ओसब वेदीके संग जुड़ल कोनो चीज वा पवित्र स्थानके निकट नहि आबैक, नहि त ओसब मरि जएतैक आ अहूं मरि जाएब।4ओसब अहाँके साथ पुड़ए आ तम्बूके सेवा आ तम्बूस जुड़ल सबटा काज सम्हारए। लेवीसबके अतिरिक्त केओ आन अहाँके काज करएबला स्थानके निकट नहि आबैक।5पवित्र स्थान आ वेदीके जिम्मा अहाँ आ अहाँके बेटासबके लेब पड़त जाहिस जे हमर क्रोध इजराएलके लोकसबपर फेरुस नहि अबैक।6देखू, हम, यहोवा अपनेस' इजराएली सन्तानमे स' लेवीसबके अहाँके संगी लेवीसबके चुनने छी। ओसब अहाँक लेल वरदान छथि, हमर तम्बूके सेवा संग सम्बन्धित काज करबाक लेल देल गेल छै। 7मुदा वेदी आ पर्दाके भीतर ओहिस सम्बन्धित काजसब अहाँ आ अहाँक बेटासब मात्र पुजारीपन के सेवा करब। अहाँके अपने ओहि जिम्मेवारीसब के पूरा करए पड़त। हम अहाँके पुजारीके वरदानके द' रहल छी। कोनो विदेशी जे लगमे आबए तेकरा मारल जाइक।”8तब यहोवा हारूनके आओर आगु कहलखिन, “देखू, हम अहाँके ओ अधिकार देने छी जे चढ़ओना हमरालेल चढ़ाएल जाइक आ सबटा भेंटी जे इजराएलके लोकसब हमरा देने अछि ओकरा सम्हारु। हम अहाँके आ अहाँक बेटासबके सब दिनके लेल अहाँक भागके लेल विधि देने छी। 9ईसब पवित्र चीजसब अहाँके अछि जे जराब स बंचि गेल अछि। ओकरासबके सबटा भेट स — प्रत्येक अन्नबलि, प्रत्येक पापबलि, आ प्रत्येक दोषबली — ओसब अहाँक लेल आ अहाँक बेटासबहक लेल अलग कएल गेल अछि।10ई भेटसब बहुत बेसी पवित्र अछि; प्रत्येक पुरुष ई खाए सकैत अछि, किएक त ओसब अहाँक लेल पवित्र अछि।11इहे भेंटी सब अछि जे अहाँक होएत, ओकरासबके सबके हिलाबबला दान जे इजराएलके लोकसब चढ़ाओत। हम ओकरा अहाँके, अहाँक धियापुतासबके सदाके लेल भाग द देने छी। अहाँक परिवारमे जे केओ विधिवत रुपमे शुद्ध अछि से सब केओ एहि बलिदानसब मे स खा सकैत अछि।12सबटा उत्तम तेल, सबटा उत्तम दाखरस आ अन्न, पहिन फल जे लोकसब हमरा दैत अछि — से सब किछु हम अहाँके देने छी।13ओकरासबके अपन खेतमे उपजल पहिन पाकल बालि, जे इजराएलीसब हमरालेल ल क आओत, से अहाँके होएत। अहाँक परिवारमे जे केओ शुद्ध अछि से ईसब खा सकैत अछि।14इजराएलमे समर्पित सबटा चीज अहाँके होएत।15मनुष्य आ मालजालके कोंखिस जन्मल, सबटा पहिलौठा लोकसब जे यहोवाके लेल चढ़बैत अछि, से सबटा अहाँके अछि। मुदा अहाँके प्रत्येक जेठ जनमल बच्चाके वापस किनबाक लेल लोकसबस' भुक्तान स्वीकार करए पड़त, आ प्रत्येक जानबरके पहिन जनमल सबके सेहो भुक्तान स्वीकार करए पड़त जे विधिपूर्वक अशुद्ध अछि।16जेकरास के किन लेबके चाही ओसब एक महिना भ गेलापर किनलेल जाएके चाही। तब लोकसब ओकरा पांच सेकेल के मोलमे, खरिद लेबके चाही जे पवित्र वेदीके तौल अनुसार, जे बीस गेरा बरोबरि होइत अछि। 17मुदा गाइके पहिलौठा, वा भेंड़ आ बकरीके पहिलौठा के — अहाँसब एहि जानबरसबके फेरुस नहि खरीद करब; ओसब हमरालेल अलग कएल गेल अछि। अहाँ एकर सबके लहुके वेदीपर छिट देबै आ यहोवाके लेल प्रसन्न करएबला सुगन्धि के रुपमे, ओकर चर्बीके आगिमे जराबए वला बलिदान चढ़ादेब।18ओकरासबके माउस अहाँके होएत। हिला क' चढ़ाएल शीना आ फिलाके माउस अहाँके होएत।19सबटा पवित्र बलिदान जे इजराएलीसब यहोवालेल चढ़ाओत, सब दिनक लेल रहनिहार अंशके रुपमे, हम अहाँके संगे अहाँके धियापुताके द' देने छी। यहोवाके आगु दुनूगोटे अहाँ आ अहाँक सन्तानक लेल, ई अनन्तके नूनके करार अछि, सदाके लेल बान्हिक राखएबला करार अछि।”20यहोवा हारूनके आओर आगु कहलखिन, “लोकसबके जमीनमे अहाँक कोनो उतराधिकार नहि होएत, ने लोकसबके बीचमे अहाँक अपन सम्पत्तिके कोनो अंश होएत। इजराएलके लोकसबके बीचमे हम ही अहाँके अंश आ उतराधिकार छी।21लेवीके सन्तानक लेल, देखू, ओसब मिलापके तम्बूमे सेवा करबाक बदलामे हम इजराएलीसबके सबटा दशमांश ओकरासबके उतराधिकार के रुपमे देने छी। 22एखन स पुजारीसब बाहेक इजराएली लोकसब मिलापके तम्बूके निकट नहि अबैक, नहि त ओसब मारल जाएत।23मिलापके तम्बू संगे जोड़ल काजसबमे लेवीसबके मात्र करबाक चाही। ओहिके संगे जुड़ल कोनो पापक जिम्मेवार ओहेसब होएत। ई अहाँक लोकक पुस्तामे स्थायी व्यवस्था होएत। इजराएलके लोकसबके बीचमे अहाँसबके कोनो उतराधिकार नहि होएत।24इजराएली लोकसबके दशांश, जे ओसब हमरालेल दान करत — ईसब हम लेवीसबके ओकरा उतराधिकार के रुपमे द' देने छी। एहिलेल हम ओकरासबके कहलिऐ, ‘ओकरासबके लोकक बीचमे कोनो उतराधिकार नहि होइक।’”25यहोवा मूसा संग बात कएलखिन आ कहलखिन,26“अहाँ लेवीसब संगे अवश्य कहू, ‘जखन अहाँसब इजराएली लोकसबस दशांश प्राप्त करब जे हम अहाँके उतराधिकार के रुपमे ओकरासबस' देने छी, ताहि दशांशमे स अहाँ यहोवाके लेल दशांश के दशांश दान करब।27अहाँक दान अहाँद्वारा एहन होइक जेना ई खरिहान वा दाखकोल्हूस' अन्नके दशमांश होइक।28एहिनाक' सबटा दशांश जे अहाँ इजराएलके लोकसबस अहाँ लेवीसब प्राप्त करब यहोवाके चढ़ाएब। ओहिमे अहाँ अवश्य पुजारी हारूनके दान करब।29सबटा दान जे अहाँसब प्राप्त करब, अहाँसब सबटा यहोवाके दान करब। ई अहाँसबस उत्तम आ बहुत बेसी पवित्र चीज जे अहाँके देल गेल अछि।’30एहिलेल अहाँ ओकरासबके कहबनि, ‘जखन अहाँसब एहिमे उत्तम चीज चढ़ाएब, तखन ई लेवी सबहक लेल ई खरिहान आ दाखकोल्हूस उत्पादन भेल उत्पादन जकां होएत।31अहाँ आ अहाँक परिवारसब एहिमेस किछु त कोनो स्थानमे खा सकैत छी, किएक त मिलापके तम्बूमे अहाँक काजक बदलामे ई बोइन अछि। 32एहिमेस किछु खा क' आ पीबिक' अपने-आपके दोषी नहि ठहराउ, यदि अहाँ प्राप्त कएने चीजसब मे स यहोवाके लेल उत्तम देने छी त। मुदा अहाँ सुनिश्चित करु जे उत्तम भाग चढ़एबास' पहिने कोनो चढ़ाबा खा कऽ इजराएलीसबके पवित्र चढ़ओनाबाके अपवित्र नहि करबैक, नहि त' अहाँसब मरि जाएब।’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.