Numbers14

1कनानके विषयमे प्रतिवेदन सुनला के बाद, भरि राति सारा इजराएली समुदायके लोकसब जोर-जोर स कानए लागल। 2दोसर दिन ओ इजराएली समुदायके सबलोक हारून आ मूसापर गनगन करए लागल। सब आदमी कहलैक, “हमरासबहक इच्छा अछि की हमसब मिस्रमे, आ एहि जंगलमे मरि जाहि! 3यहोवा हमरासबहक' एहि देशमे किएक ल' जा' रहल छथि, जत हमरासबके तरुआरि स मारल जाएत? आ हमरासबहक घरवाली आ बालबच्चासबके अपन दास बनबाक लेल हमरा सबस' छिन लेत। कनान जएबाक बदला हमरासबहक लेल मिस्र घुरि जएबाक नीक होएत!”4तखन किछुगोटे एक-दोसर स कहलक, “हमरासबके एकटा एहन मुखिया चुनबाक चाही जे हमरासबके मिस्र ल' जएताह!” 5तखन हारून आ मूसा ओतए जमा भेल सब इजराएली लोकक आगु प्रार्थना करबाक लेल घुटना पर बसि गेल।6नूनके बेटा यहोशू आ यपुन्नेके बेटा कालेब, दूगोटे जे देशके जासूसी करए गेल छल, ओकरासबके बहुत निराश कएलाक कारणे अपन कपड़ा फाड़ि देलक।7ओसब इजराएली समुदायके लोकसबके कहलनि, “हमसब जे देशके जासूसी कएलहुं से बहुत नीक अछि।8जं यहोवा हमरासब स प्रसन्न छथि त' ओ हमरासबके ओहि उपजाउ भूमिमे ल' जएताह आ ओ देश हमरासबके द' देथिन।9तएं यहोवाके विरुद्ध गनगन नहि करु! आ ओहि भूमिक लोक स नहि डेराउ! हमसब ओकरासबपर अधिकार करब! ओकरासबमे एहन केओ नहि अछि जे ओकरासबहक रक्षा करत, मुदा यहोवा हमरासबहक संग छथि आ हमरासबहक मदति करताह। तएं ओकरासबस नहि डेराउ!” 10तखन सब इजराएली समुदायके लोक कालेब आ यहोशूके पथराब क' क' मारएलेल कहए लागल। मुदा अचानक पवित्र तम्बूमे यहोवाक महिमा हुनकासबपर प्रगट भेलनि।11तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “ई लोकसब हमरा कहिया धरि अस्वीकार करत? हम थाकि गेल छी जे ओकरासबहक बीच हम बहुते आश्चर्यकर्म कएने छी, तेकरबादो जे हम की क' सकैत छी ताहिपर विश्वास नहि क' रहल अछि।12तएं हम ओकरासबहक बीच मरकी पठा देब आ ओकरासबके ओतएस' स निकालि देब। मुदा हम अहाँस' एकटा पैघ जाति बनाएब। ओसब एहन जाति होएत जे एहि लोकसब स बहुत पैघ आ बलवान होएत।”13मुदा मूसा यहोवास' कहलनि, “कृपया एहन नहि करु, किएक त' मिस्रके लोकसब ई बात सुनत। अहाँ अपन महान शक्ति स एहि इजराएली लोकसबके मिस्र स अनलहुं,14आ मिस्रके लोकसब एहि देशमे रहनिहार कनानीसबके कहत। यहोवा, ओसब अहाँक विषयमे पहिनेस सुनने अछि। हुनकासबके पत्ता अछि जे अहाँ एहि लोकसबके बीचमे बास करैत छी आओर ओसब अहाँके सोझामे देखने अछि। ओसब सुनने अछि जे अहाँक बादल एकटा विशाल खम्हा जकां अछि जे ओकरासबहक उपर रहैत अछि, आ ओहि बादलक लगस अहाँ ओकरासबके दिनमे ल' जाइत छी, आ बादल रातिमे आगि जकां बनि जाइत अछि जे ओकरासबके इजोत दैत अछि।15जं अहाँ एक बेरमे एहिसब लोकसबके मारि देब त' अहाँक सामर्थ्यके विषयमे सुननिहार लोकसब कहत,16‘यहोवा इजराएलीसबके ओहि देशमे नहि आनि सकलाह जे ओ हुनकासबके देबाक शपथ कएने छलाह, तएं ओ ओकरासबके जंगलमे मारि देलक।’ 17तएं यहोवा, आबि ई देखाउ जे अहाँ बहुत शक्तिशाली छी। अहाँ कहलहुं, 18‘हम, यहोवा क्रोध करएमे धैर्य करैत छी। मुदा हम करुणामय छी, आ लोकके पापक लेल आ नियम पालन नहि करएबलाके माफ करैत छी। मुदा जे गलत काज करबाक दोषी अछि ओकरा हम सदिखन सजाए देब। जखन माय-बाबू पाप करत त' हम ओकरासबके सजाए देब, मुदा ओकर बच्चासब, ओकर पोता-पोती, ओकर परपोता आ ओकर परपोता सबके सेहो दण्डित करब।’ 19तएं, अहाँ अपन लोकसब स बहुत पैघ प्रतिज्ञाक कारणे निष्ठापूर्वक मिस्रस' ल' क' एखनोधरि प्रेम करैत छी, तएं पाप क्षमा करु।”20तखन यहोवा उत्तर देलनि, “अहाँके विनती के कारण हम ओकरासबके क्षमाक' देब।21मुदा, जहिना हम, यहोवा जीबित छी आ पूरा संसारक लोक हमर महिमा देख सकैत अछि, हम सत्य निष्ठापूर्वक घोषणा करैत छी जे 22ई सबलोक हमर महिमा आ ओसब आश्चर्यकर्म देखलनि जे हम मिस्र आ जंगलमे कएलहुं। मुदा ओसब हमर आज्ञा नहि मानलक, आ कतेको बेर ओसब परीक्षा कएलक जे हम ओकरासबके दण्डित नहि कएलहुं ओसब अधलाह काज करितौंह। 23एहि कारणे, ओकरासबमे स केओ ओ देश नहि देखत जे हम ओकरासबहक पूर्वजसब स प्रतिज्ञा कएने रही जे हम हुनकासबके देबनि। जे हमरा अस्वीकार कएलक से ओ भूमि नहि देखत।24मुदा कालेब, जे हमर नीक सेवा करैत अछि, ओ आन लोक स अलग अछि। ओ हमर पूर्णत बात मानैत अछि। तएं हम ओकरा ओहि देशमे ल' जाएब जे ओ पहिनेस देख आएल अछि, आ ओकर कुलके ओहिमे स किछु उत्तराधिकार भेटत।25तएं कनानक उपत्यकामे रहनिहार अमालेकी आ कनानक वंशज बहुत बलवान अछि, तएं काल्हि जखन अहाँसब एत' स निकलब तखन कनान दिस जएबाक बदला लाल समुद्रके बाट स जंगलमे जाउ।”26तखन यहोवा हारून आ मूसाके आओर आगु कहलनि,27“एहि जातिक दुष्टलोकसब कहिया धरि हमरापर गनगनाइत रहत? हम सबकिछु सुनने छी जे इजराएली सारा समुदाय हमरापर गनगन करैत अछि।28आबि ओकरासबके ई बात कहिऔ, ‘जहिना हम यहोवा जीबित छी, तहिना हम ठीक ओएह काज करब जे अहाँ कहली।29हम अहाँसबके एत' एहि जंगलमे मारि देब! किएक त' अहाँसब हमरा विरुद्ध गनगनाइत छली, अहाँसबमे स केओ बीस वर्ष स बेसी उमेरक आ जे मूसा सबके गनला पर गनल गेल छल। 30ओहि देशमे प्रवेश करत जे हम सत्यनिष्ठा स' अहाँके देबाक वचन देने रही। ओहि देशमे मात्र यपुन्नेके बेटा कालेब आ यहोशू प्रवेश करत।31ओसब कहने छल जे ओकरासबहक बच्चासबके ओकरासब स दास बनाबए लेल ल' जाएत, मुदा हम ओकरासबके ओहि देशमे ल' जाएब आ ओसब ओहि देशमे नीक जकां रहत जेकरा ओसब अस्वीकार कएलक।32मुदा अहाँसब पैघ लोकसब एतहि एहि जंगलमे मरि जाएब।33अहाँक बच्चासब चालीस वर्ष धरि एहि जंगलमे चरबाह बनि घुमैत रहत। कारण अहाँ प्रौढ़ लोकनि हमरा प्रति वफादार नहि छलहुं, अहाँक बच्चासब ताधरि कष्ट उठाओत जाधरि अहाँसब जंगलमे नहि मरि जाएब।34अहाँ चालीस वर्ष धरि अपन पापक लेल कष्ट भोगब। जे चालीस दिनमे स प्रत्येक दिनक लेल एक साल होएत जे बारह आदमी कनान भूमिक जासुसी कएलक। आ अहाँसब जानब जे हमरा अहाँसबके विरुद्ध बनओनाइके की मतलब होइत अछि! 35ई बात अवश्य होएत किएक त' हम यहोवा ई बात कहने छी! हम एहि समुदायमे जे हमरा विरुद्ध षड्यन्त्र गनगन कएने रहए ओकरासंगे ईसब काज करब। ओसब एतहि एहि जंगलमे मरि जाएत!’”36तखन यहोवा कोप ओहि दस आदमीपर पड़ल जे लोकसबके हतोत्साहित कएने छल, जाहिस ओसब मरि गेल। ईसब ओ आदमी छल जे कनानके जासूसी कएने छल आ फेरु लोकसबके कहने छल जे हमसब जमीनपर कब्जा नहि क' सकैत छी। ओहि आदमीसबके कारणे समुदायके लोकसब मूसाक विरोधमे बाजल छल।38जे बारह आदमी कनानमे जा' क' जासूसी कएने छल, ओहिमे स केवल नूनके बेटा यहोशू आ यपुन्नेके बेटा कालेब जीवित रहि गेल।39जखन मूसा इजराएली लोकसबके यहोवाक कहल बातक जानकारी देलनि त' हुनकासबमे स बहुते लोक बहुत दुखित भ' गेल।40दोसर दिन भोरे-पराते लोकसब उठि कनानक पहाड़ी इलाका दिस विदा भेल। ओसब कहलक, “हमसब जनैत छी जे हमसब पाप कएली, मुदा आब हमसब ओहि देशमे प्रवेश करबाक लेल तैयार छी जे यहोवा हमरासबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह।”41मुदा मूसा कहलनि, “यहोवा अहाँसबके मरुभूमिमे घुरि जएबाक आज्ञा देने छथि, तखन अहाँसब आबि हुनकर आज्ञा किएक नहि मानैत छी? अहाँसब सफल नहि होएब।42आबि एहि देशमे प्रवेश करबाक प्रयास नहि करु! जं अहाँ प्रयास करब त' अहाँक शत्रु अहाँके पराजीत क' देत, किएक त' यहोवा अहाँक संग नहि रहत।43जखन अहाँ अमालेकी आ कनानक वंशज स लड़ब तखन ओसब अहाँसबके मारि देत! यहोवा अहाँसबके छोड़ि देत, किएक त' अहाँ हुनका छोड़ि देने छी।”44मुदा मूसा शिविरस' बाहर नहि निकललि आ यहोवाके करारके सन्दूक शिविर स नहि हटाएल गेल, मुदा लोकसब कनानक पहाड़ी इलाका दिस जाए लागल।45तखन ओहि पहाड़सबपर रहनिहार अमालेकी आ कनानीके वंशजसब उतरिक' इजराएलीसबपर आक्रमण क' देलक। ओसब ओकरासबके दक्षिण दिस होर्मा धरि खेहटा कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67