Numbers13
1यहोवा मूसाके फेरु कहलनि,2“किछु लोकके कनान देशके ओतहि के भेद जानएलेल पठाउ। ओ देश हम अहाँसब इजराएलीसबके देब। अपन कुलके मुखिया पुरुषके भेजू।”3तखन मूसा यहोवाक आज्ञाक' अनुसार कएलनि। ओ बारह इजराएली पुरुषके कनान देशमे भेजलनि जे सब अपन कुलक मुखिया छलाह। ओहि बारह पुरुषसबके पारानके मरुभूमी के शिविर स भेजलनि।4ईसब पुरुषक आ ओकरासबहक कुलक नाम अछि, रूबेन कुलक जक्कूरक पुत्र शम्मू।5शिमोनक कुलक होरीक पुत्र शापात।6यहूदा कुलक यपुन्नेके पुत्र कालेब।7इस्साकारक कुलक यूसुफके पुत्र यिगाल।8इफ्राइम कुलके नूनक' पुत्र होशे।9बिन्यामीन कुलक रापूके पुत्र पलती।10जबूलून कुलक सोदीके पुत्र गद्दीएल।11यूसुफके कुलमेस' मनश्शेक सूसीक पुत्र गद्दी।12दानके कुलक गमल्लीके पुत्र अम्मीएल।13आशेरक कुलक मीकाएलके पुत्र सतूर।14नप्तालीक कुलक वोप्सीके पुत्र नहूबी।15गाद कुलक माकीक पुत्र गूएल।16ओसब ओहि पुरुष सबहक नाम अछि, जिनका मूसा कनानक जासूसी करबाक लेल कनान देशमे भेजलनि। ओसब जाए स पहिने मूसा होशेके एकटा नव नाम देलनि, यहोशू , जेकर अर्थ होइत अछि यहोवा उद्धारकर्ता छथि।17मूसा हुनकासबके कनान जासूसी करबाक लेल भेज' स पहिने ओकरासबस' कहलनि, “नेगेवके इलाका भ' क' जाउ आ फेरु उत्तर दिस पहाड़ी देशमे जाउ।18पत्ता करु जे देश केहन अछि। पत्ता करु जे ओतए रहए बाला लोकसब बलवान अछि की कमजोर। पत्ता करु जे बहुत लोक अछि आ की किछुए लोक।19पत्ता करु जे ओसब कोन प्रकारक भूमिमे रहैत अछि। नीक अछि, की बेजाए? जाहि शहरमे ओसब रहैत अछि, ओकर विषयमे पत्ता करु। चारुकात देवाल खड़ा कएने अछि आ नहि?20माटिके विषयमे पत्ता करु। उपजाउ अछि आ नहि? ओतए' के गाछ-बिरिछ अछि की नहि से पत्ता करु। ओहि भूमिमे जे फल फड़इत अछि ओहिमेस' घुरैतकाल किछु पहिन फल अनबाक प्रयास करु।” ओ एहिलेल कहलनि जे अंगूर कटनीक समयक शुरुआत छल।21ओ बारहो पुरुषसब कनान चलि गेल। ओसब पूरा देशमे घुमि गेल, दक्षिणमे सीनके जंगल स ल' क' उत्तरमे लेबो हमातके समीप रहोब नगर धरि।22कनानके दक्षिणी मरुभूमि होइत ओसब हेब्रोन गेल, जत' अनाकके कुलके अहीमन, शेशै आ तल्मै, विशालकाय दैत्य समान लोक रहैत छल। हेब्रोन नगर एकटा एहन शहर छल जे मिस्रमे सोअन नगरके निर्माण स सात वर्ष पहिने बैसाएल गेल छल। 23एशकोल उपत्यकामे, ओसब अंगूरक लत्ती स एकटा डाइढ सहित अंगूरक थौंकाके काटि लेलक। बहुत पैघ होएबाक कारणे एकरा भारि बनाक दु आदमी बोकलक। किछु अनार आ किछु जैतूनके सेहो तोड़िक' अपन शिविर घुरैतकाल ल' गेल।24ओसब ओहि स्थानके एशकोल कहलक जेकर अर्थ होइत छै थौंकाके थौंका, किएक त' ओ इजराएलीसब ओहि विशाल अंगूरक गुच्छाके काटि लेने छल।25चालीस दिन धरि ओहि देशके जासूसी कएलाक बाद ओसब अपन शिविर पर आबि गेल।26ओसब पारानके मरुभूमिमे कादेश लग हारून आ मूसा आ बांकी इजराएली समुदायके लोकके लग आबि गेल। जे देखलनि से सबके जानकारी कएलनि। जे फल घुरैत कालमे अनने छल से सेहो देखा देलनि।27मुदा ओसब मूसाके ई बात कहलनि जे, “हमसब ओहि देशमे पहुंचली जेकरा अहाँ हमरासबके जासूसी करबाक लेल पठौने छलहुं। सचमुच ई एकटा सुन्दर भूमि अछि। ई बहुत उपजाउ भूमि अछि। एत किछु फल अछि जे हमसब ल' क' आएल छी।28मुदा ओतए' रहनिहार लोक बहुत बलवान अछि। ओकरा लोकनिक शहर पैघ आ चारुकात देवाल स घेरल अछि। एतधरि जे ओतए' किछु अनाकक कुलक सेहो देखली।29अमालेकके कुलके देशके दक्षिण भागमे रहैत अछि आ हित्ती, यबूसी आ एमोरीक वंशज उत्तरमे पहाड़ी इलाकामे रहैत अछि। कनानीसब भूमध्य सागरक तट आ यरदन नदीक कातमे रहैत अछि।”30कालेब मूसाक लगमे ठाढ़ लोकसबके चुप रहबाक लेल कहलनि। तखन ओ कहलनि, “हमरासबके ओतए' जा क' ओहि भूमिके ल' लेबाक चाही, किएक त' हमसब निश्चितरुपस ओकरा जीतए मे सक्षम छी!”31मुदा हुनकासंग गेल लोकसब कहलक, “नहि, हमसब ओहि लोकसबपर आक्रमण क' क' पराजीत नहि क' सकैत छी। ओसब हमरासबस बहुत बेसी बलवान अछि!”32ओ सबलोक इजराएली लोकसबके ओहि देशके विषयमे अधलाह खबरि देलक जे ओसब जासूसी क' क' आएल छल। ओसब कहलक, “हमसब जाहि देशके जासूसी कएलिऐ, ओहिपर आक्रमण करबाक प्रयास करएबला लोकक जीवनके ओसब नाश क' दैत अछि। आ ओतए रहए बाला सब लोक बहुत लम्बा अछि।33हमसब ओतए दैत्य सब जकां आदमी सेहो देखलिऐ। ओसब अनाक जे नेफिलिम, ओहि दैत्य जकां लोकसब स आएल अछि के कुलक अछि। जखन हमसब एहि दैत्य जकां सबके देखलिऐ त' हमसब ओकरासबहक आगु फनगा जकां छोट लगली आ ओकरो सबहक सोंचमे सेहो फनगा जकां लगैत छली।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.