Numbers12

1कूशी स्त्रीके कारण जेकरासंग मूसा विवाह कएने रहथि, हसरोतमे रहैत काल, मूसा दिदी मिरियम आ ओकर भैया हारून मूसास' ईर्ष्या करैत पुछलनि, “की यहोवा केवल मूसाके' द्वारा मात्रे हमरासबके बताबएलेल अपन सन्देश दैत छथि? की यहोवा हमरा दुनू गोटेक' माध्यमे सेहो सन्देश नहि दैत छथि?”2ओसब मूसाक आलोचना सेहो कएलक, कारण ओ एकटा एहन महिलास विवाह कएने छल जे कुश लोकक समूहक कुलस' छल। यहोवा मरियम आ हारूनके मूसाक निन्दा करैत सुनलनि।3सांचे कहि त' मूसा बहुत विनम्र मनुष्य छलाह। ओ पृथ्वीपर सबस बेसी विनम्र छलाह।4तखने, तुरन्त यहोवा मूसा आ हारून आ मिरियम स बात कएलनि। ओ कहलनि, “अहाँ तीनूगोटेके पवित्र तम्बू लग जा' क' ठाढ़ भ' जाउ।” तएं ओसब ओहिना कएलनि।5तखन यहोवा एकटा विशाल उज्जर खम्हा जकां मेघमे बैसिक' तम्बूक प्रवेशद्वारपर उतरलाह। ओ हारून आ मिरियमके आगु आबएलेल कहलनि, तएं ओसब आगु आएल।6तखन यहोवा हुनकासबस' कहलनि, “हमर बात सुनू! जखन कोनो प्रवक्ता अहाँसबहक बीच रहैत अछि, हम ओकरा दर्शन देखबाक अनुमति द' क' ओकरा सामने अपनेके प्रगट करैत छी, आ हम ओकरा सपना स' मे बातचित करैत छी।7मुदा हम अपन दास मूसा स एना नहि बजैत छी। हमरा विश्वास अछि जे ओसब इजराएलमे विश्वासयोग्य अछि। 8तएं हम, यहोवा हुनकास' सोझा सामने बातचित करैत छी। हम हुनका स स्पष्टरुपस' बात करैत छी, ओकरास' बातचित करएलेल दृष्टान्त प्रयोग नहि करैत छी। एतधरि जे ओ देखने छथि जे हम केहन लगैत छी। तएं अहाँसबके हमर दास मूसाक निन्दा करए काल डर नहि लागल!”9यहोवा मरियम आ हारून पर बहुत क्रोधित भ' गेलाह।10जखन पवित्र तम्बू स बादल उठि गेल त' हारून मिरियम दिस तकलनि आ देखलक जे ओकर चमररोग बरफ जकां उज्जर भ' गेल अछि, किएक त' ओकरा तखने कोढ़ फुटि गेल छल।11हारून मूसाके कहलनि, “हमर मालिक, हमरासबहक' एहि पापक लेल सजाय नहि दिअ जे हमसब मूर्खतापूर्वक कएलहुं।12मरियमके ओहि बच्चा जकां नहि बनए दिऔ जे जन्मक समय पहिनेस मरि गेल अछि आ ओकर माउस आधा सड़ि गेल अछि!”13तखन मूसा यहोवास' जोर-जोरस' निंगहोरिया करए लागल, “यहोवा, हम अहाँ स निहोरा करैत छी जे हुनका ठीक क' दिअनि!”14मुदा यहोवा उत्तर देलनि मूसा, “जं ओकर पिता ओकरा मुंहपर थूक द' क' कोनो अधलाह काज करबाक कारणे डांटि देने रहित त' ओ सात दिनधरि लज्जित रहित। जे काज कएने अछि ताहि कारणे ओकरा लाज होएबाक चाही। तएं ओकरा सात दिनक लेल शिविरस बाहर पठा दिऔ। तखन ओकरा आब कोढ़ नहि होएत, आ ओ शिविरमे वापस आबि सकैत अछि।”15ओसब मिरियमके सात दिनक लेल शिबिरक बाहर पठा देलक। जाधरि धरि ओ वापस नहि आबि गेलीह ताधरि लोक दोसर स्थानपर नहि गेलाह।16मुदा ओकरा घुरलाक बाद इजराएलीसब हसेरोत छोड़ि उत्तर दिस पारान मरुभूमिमे चलि गेल आ ओतहि अपन शिविर रखलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67