Numbers11

1एकदिन इजराएली लोकसब अपन परेशानी सबहक उपराग यहोवा स कएलक। ओकरासबहक बात सुनि यहोवा क्रोधित भ' गेलाह। तएं ओ आगि पठौलनि जे तम्बूके एक कातस' दोसर कात धरि लोकसबके बीच पसरि गेल आ तम्बूके एक छोडिक जरा देलक।2तखन लोकसब मूसालग आबिक' मदतिके लेल चिचिआए लागल आ ओ यहोवा स प्रार्थना कएलनि। तखने आगि बुझागेल।3ओसब ओहि स्थानके तबेरा नाम राखि देलक, जेकर अर्थ होइत अछि, जड़ि रहल, किएक त' हुनकासबहक बीच यहोवाक आगि लागल छल।4तेकरबाद, एकदिन इजराएलीसबके संग किछु परदेशीसब यात्रा करैत रहए से किछु उपद्रवी सबके नीक भोजनक इच्छा होबए लागल। आ जखन ओसब उपराग करए लागल तखन इजराएली लोकसब सेहो उपराग करए लागल। ओसब कहि लागल, “एह, हमरासबके किछु माउस खाएके मोन भ' रहल अछि! 5हमरासबके ओहि माछ सबहक मोन पड़ैत अछि जे हमसब मिस्रमे रहैत काल खाइत छलहुं, जे माछ हमरासबके बिना कोनो मोलके देल गेल छल। आ हमरासबलग ओसब खीरा, खरबूज, कन्दसब, पियाउज, आ लहसुन छल जे हमसब खा सकैत छलहुं।6मुदा आब हमरासबहक इच्छा मरि गेल अछि, किएक त' हमरासबके मन्ना खाए पड़ि रहल अछि!”7मन्ना धनियाके बिआ जकां छल। देखमे मोती जकां छल।8सबदिन भोरे-पराते लोकसब बाहर निकलिक' कनि-कनि जमीनपरस' जमा करैत छल। तखन ओकरा जंतामे पीसि क' आ ढेकीमे कूट क' आंटा बनबैत छलाह। तखन ओहिके पानिमे उसैन दैत छल, आ ओहिस' सादा रोटी बनाक' सेदैत छल। रोटीके स्वाद जैतूनके तेलस' सेकल रोटी जकां होइत छल।9सदिखन रातिमे ओहि जमीनपर मन्ना शीत जकां गिरैत छल जत' हुनकालोकनिक डेरा छलनि। 10मूसा अपन तम्बूक प्रवेशद्वारपर ठाढ़ भ' इजराएलीसब घरानिके लोकक गनगन सुनलनि। यहोवा बहुत क्रोधित भ' गेलाह आ मूसा सेहो बहुत परेशान भ' गेलाह।11मूसा पवित्र तम्बूमे जा क' यहोवास प्रार्थना क' क' पुछलनि, “अहाँ अपन सेवक हमरापर ई कष्ट किएक अनलहुं? हमरापर दया करु! हम की गलती कएलहुं, जेकर परिणाम ई भेल जे अहाँ हमरा एहिसब लोकक देखभाल करबाक लेल नियुक्त कएलहुं?12हम ओकरासबहक पिता नहि छी। अहाँ हमरा किएक कहलहुं जे ओकरासबहक देखभाल करु जेना स्त्री अपन बच्चाके ल' क' घुमा-फिरा क' दूध पियबैत अछि? हम कोना ओकरासबके ओहि जगहपर ल' जा' सकब जे अहाँ हमरासबहक पूर्वजके देबाक शपथ देने रही।13हम एहि सबलोकके खिआबएलेल माउस कत स वन्दोबस्त क' सकैत छी? ओसब हमरास उपराग करैत अछि जे, ‘हमरासबके खाए लेल माउस दिअ!’14हम एहिसब लोकक भार नहि उठा सकैत छी! हमरालेल ओसब भारी भार जकां अछि, आ आबि हम एहि बहुत भारी भार के नहि उठाबए सकैत छी।15जं अहाँसब हमरासंग एहि प्रकारक व्यवहार करबाक इच्छा रखैत छी त' एखनहि हमरा मारि दिअ। जं अहाँ सचमुच हमरालेल चिन्तित छी त' हमरापर दया करु आ हमरा मारि दिअ जाहिस ओकरासबहक देखभाल करबाक प्रयासमे हमर दुर्दशा समाप्त भ' जाए!”16तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “सत्तरि आदमीके बजाउ, जेकरा अहाँ जनैत छी जे इजराएली लोकमे प्रमुख अछि। हुनकासबके कहू जे पवित्र तम्बूक आगुमे अहाँक संग ठाढ़ रहए।17हम ओतए' नीचा उतरिक' अहाँसबस बातचित करब। तखन हम अपन आत्माके किछु सामर्थ्य जे अहाँसबलग अछि से ल' लेब आ ओ सामर्थ्य ओकरासबके सेहो द' देब। ओ अहाँके किछु एहन चीजके ध्यान राखएमे मदति करत जेकर चिन्ता लोकके अछि, जाहिस' अहाँके एसगरे करएके जरुरति नहि पडत।18संगहि लोकसब स कहू जे, ‘हमरालेल अपनेके पवित्र बनाउ, आ काल्हि अहाँसबके भोजनमे माउस मिलत। अहाँ उपराग क' रहल छलहुं, तखन यहोवा अहाँक बात सुनैत छलाह जखन अहाँ कहैत छलहुं, “हमरासबके किछु माउस चाही। मिस्रमे हमरासबके नीक भोजन भेटैत छल!” आब यहोवा अहाँसबके किछु माउस दैत आ अहाँसब ओकरा खाएब।19अहाँसब मात्र एक-दू दिनक लेल नहि, आ नहि मात्र पांच-दस-बीस दिन धरि माउस खाएब।20एक मासधरि अहाँसब दिन माउस खाएब, तखन अहाँसब ओकरा स उबि जाएब, आ एहिस अहाँके उल्टी करबाक इच्छा होएत। ई एहिलेल होएत जे अहाँसब अहाँसबहक बीच एत रहनिहार यहोवाके अस्वीकारक' देलहुं आ हुनकर आगुमे विलाप कएलहुं जे “मिस्र छोडने नहि रहितहुं त' हमरासबके नीक भोजन मिलैत रहैत।”’”21मुदा मूसा यहोवाके उत्तर देलनि, “हमरासंग एत छह लाख पुरुष आओर स्त्री आ बच्चासब अछि, तखन अहाँ किएक कहैत छी ‘हम ओकरासबके एक मासधरि सबदिन भरपूर माउस देबनि!’22जं हमसब हेंड़मेके भेंड़ आ मालजालके मारि देब तखनो ओकरासबके भोजनक भरण-पोषण करबाक लेल पर्याप्त नहि होएत! समुद्रके सबटा माछ पकड़िक' ओकरासबके द' देब त' प्रयाप्त नहि होएत!”23मुदा यहोवा मूसाके कहलनि, “की अहाँ सोंचैत छी जे हमरालग कोनो शक्ति नहि अछि? अहाँ आब देखब जे हम जे कहब से क' सकैत छी की नहि।”24तखन मूसा पवित्र तम्बू स बाहर निकलिक' इजराएली लोकसबके कहलनि जे यहोवा कहने छलाह। तखन ओ सत्तरि मुखियासबके जमाक' क' कहलनि जे पवित्र तम्बूक चारुकात ठाढ़ भ' जाउ।25तखन यहोवा तम्बूक उपर मेघमे नीचा उतरिक' मूसा स बात कएलनि। ओ मूसाके जे आत्माके सामर्थ्य देने छलाह, ताहिमे स किछु ल' क' सत्तरि मुखियासबके द' देलथिन। हुनकासबहक भीतरका आत्माके सामर्थ्यद्वारा ओसब भविष्यवाणी कएलनि, मुदा ओसब एक बेर मात्र एहन काज कएलनि।26मूसा जे मुखियासब नियुक्त कएने छल, सत्तरिमे दूटा मे स दूगोटे एलदाद आ मेदाद ओतए' नहि छल, जखन ओसब बांकी सब जमा भेल। ओसब अपन शिविर छोड़ि पवित्र तम्बूक चारुकात जा क' ठाढ़ नहि भेल छल। मुदा यहोवाद्वारा देल गेल आत्मा ओकरासबपर सेहो आबि गेल आ ओसब भविष्यवाणी कर' लागल।27एक युवक दौड़क' आ क' मूसाके' कहलनि, “एलदाद आ मेदाद भविष्यवाणी क' रहल अछि जत' हुनकर सबटा शिविर अछि!”28यहोशू जे मूसाके जवानी स मदतिक' रहल छलाह, कहलनि, “मालिक, हुनकासबके कहिऔ जे ई काज रोकि देब!”29मुदा मूसा उत्तर देलनि, “की अहाँ चिन्तित छी जे ओसब हमर प्रतिष्ठाके चोट पहुंचा सकैत अछि? एह, यहोवाक सब लोक भविष्यवाणी क' सकतिए। एह, यहोवा हुनकासबके अपन आत्माके सामर्थ्य द देथि!” 30तखन मूसा आ सत्तरि इजराएली अगुवासब अपन तम्बू दिस चलि गेलाह।31तखन यहोवा समुद्र स तेज हवा बहओलनि। लगभग एकदिनके पैदल यात्रा दूरमे तम्बूक चारुकातक इलाकामे हवाके संग बटेरक', आ बटेर जमीनपर बैसि गेल। एक मीटर उंच जमीनपर बैसि गेल छल!32तखन लोकसब ओहि दिन भरि राति आ दोसर दिन बटेर जमाक' लेलक। जेना एक-एकगोटे दू घन मीटर जमाक' लेने होअए! ओसब बटेरके शिबिरक चारुकात जमीनपर पसारि देलक, जाहिसं बटेरक नमी खतम भ' जाए।33तखन ओसब ओकरासबके पकाक' खाए लागल। मुदा जखन ओसब एखनो माउस खा रहल छल तखन यहोवा बहुत क्रोधित भ' गेलाह। ओ हुनकासबपर एकटा भयंकर विपत्ति पठौलनि, आ बहुते लोक मरि गेलाह।34जे लोकसब मरि गेल आ गाड़ल गेल छल, ओसब कहने छल जे ओसब ओहिना माउस खाए चाहैत अछि जेना पहिने मिस्रमे खाइत छल। तएं ओसब ओहि स्थानके किब्रोतहत्तावा नामके स्थान, जेकर अर्थ होइत छै लालच कएनिहार सबहक कब्र। 35तब, ओतहि स इजराएलीसब किब्रोतहत्तावा दिस बढ़ैत रहलाह जाधरि ओसब हसेरोत नामके स्थान नहि पहुंच गेलाह, जत ओसब रुकिक' बहुत दिन धरि रहलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67