Nehemiah9
1 दू दिनके बाद इजराएलीसब फेरुस' जमा भेल। अपन उपास करैत पापके पश्चाताप करएलेल चट्टीके बोरास' बनल कपड़ा पहिरक', आ माथपर छाउर लगबैत रहए।2इजराएलके सन्तानसब विदेशीके सब सन्तानसबस' अपने-आपके अलग कएलक। ओसब ठाढ़ भ' क' अपन पापसब आ अपन पूर्वजद्वारा कएल गेल ओहि दुष्ट काजसबके स्वीकार कएलनि।3लेवीसब एकठाम ठाढ़ भ' क' तीन घन्टा धरि केकरोस' अपन परमेश्वरके व्यवस्थाके पुस्तकस' वचन सुनैत रहलनि। तखन ओसब तीन घण्टा आओर अपन पाप स्वीकार कएलनि आ अपन परमेश्वर यहोवाके दण्डवत कएलनि आ आराधना कएलनि।4किछु लेवी सिरहीपर ठाढ़ छल, जाहिमे येशुअ, बानी, कदमीएल, शबन्याह, बुन्नी, शेरेब्याह, कनानी, आ बानी नामके एकटा आओर व्यक्ति छल। ओसब अपन परमेश्वर यहोवाके लग कानिक' पुकार कएलनि।5तखन किछु लेवी बाजल। ओकरेसबके नाम येशुअ, कदमीएल, बानी, हशबन्याह, शेरेब्याह, होदिय्याह, शबन्याह आ पतह्याह रहए।
ओ लोकसबके कहलनि:
“ठाढ़ भ' क' अपन परमेश्वर यहोवाके आशीष दैत कहू, जे सदिखन स' छथि आ अनन्तकालधरि रहथिन! हे प्रभु, हम अहाँके महिमामय नामके स्तुति करैत छी! अहाँके नाम ओ सबकिछु जे नीक आ अद्भुत अछि ताहि सबस' बेसी महत्वपूर्ण अछि!6 अहाँ एसगरे ओहे यहोवा छी: अहीं ओहि स्वर्गके बनएलिऐ जे सबस' उपर अछि, आ स्वर्गमे भेल सबकिछु जे पृथ्वीस' उपर अछि ताहिके अहाँ रचलिऐ। पृथ्वी आ ओहिपर जे किछु अछि से अहीं बनएलिऐ, आ समुद्र आ ओहिमे जे किछु अछि सेहो अहीं बनएलिऐ। सब जीवके जीवित रहएके कारण अहीं छी। पृथ्वीस' उपर स्वर्गमे जे किछु जीवित अछि से सब अहाँके आराधना करैत अछि। 7अहाँ यहोवा छी! अहाँ ओहे परमेश्वर छी जे अब्रामके चुनिक' ऊर नगरस' बाहर अनलहुं जत कल्दी लोकसब रहैत रहए। अहाँ ओकर नाम बदलिक' अब्राहम राखि देलिऐ। 8अहाँ देखलहुं जे ओ अपन भीतरी हृदयस' अहाँक प्रति विश्वासयोग्य अछि। अहाँ ओकरासंगे लेहूस' करार बन्हलहुं जे अहाँ ओहि देशके ओकरा आ ओकर वंशजके देबै। ई ओ देश रहए जत' कनानी, हित्ती, एमोरी, परिज्जी, यबूसी आ गिर्गाशी रहैत छल। आ अहाँ जे प्रतिज्ञा पूरा सेहो कएलहुं, कारण अहाँ सदिखन जे ठीक अछि सेहे काज करैत छी।9अहाँ देखलहुं जे मिस्रीसब मिस्रमे हमरासबके पूर्वजसबसंगे कोना दुर्व्यवहार कएलक। जखन ओसब लाल समुद्रके कातमे रहैक त' अहाँ ओकरासबके सहायताके लेल कन्ना रोहटि सुनलहुं।10अहाँके बुझल छल जे मिस्रके अगुवासब हमर' पूर्वजके संग घमण्ड स' भरल दुर्व्यवहार करैत रहए। तएं अहाँ फिरौन आ ओकर अधिकारीसब आ मिस्रके सबलोकलेल चमत्कार कएलहुं। ई साबित भेल जे अहाँ सच्चा परमेश्वर छी। अहाँ अपन नाम पैघ बनएलहुं, आ आइधरि पैघ अछि! 11अहाँ अपन लोक इजराएलके सोझा समुद्रके बांटि देलहुं, आ ओसब समुद्रके बीचोबीच सुखल जमीनपर चलिक पार कएलकऐ। मुदा अहाँ मिस्रके सेनाके पानिमे डूबा देलिऐ। जेना पत्थल गहींर पानिमे डुबि जाइत अछि तहिना ओसब डुबि गेलै!12दिनमे अहाँ अपन लोकके विशाल खम्हा जकां लागएबला एकटा बादलद्वारा नेतृत्व कएलिऐ। रातिमे अहाँ ओकरासबके एकटा विशाल खम्हा जकां लागएबला आगिस' अगुवाइ कएलिऐ। जाहि रस्ता दने ओकरासबके चल' पड़ैत रहए ताहिपर इजोत दैत रहए।13जहिया हमर पूर्वजसब सीनै पहाड़पर रहए त' अहाँ ओकरासबलग प्रगट भेलहुं आ स्वर्गस' बजलहुं। अहाँ ओकरासबके प्रत्यक्ष निर्देशन आ विश्वसनीय व्यवस्था देलिऐ। अहाँ ओकरासबके ठीक नियम आ आज्ञा देलिऐ।14अहाँ ओकरासबके अपन विश्रामके दिनके विषयमे सिखबैत छलहुं। एकरा सप्ताहके आनदिनस' अलग राखल गेल अछि। अहाँ अपन सेवक मूसाद्वारा लोकसबके आज्ञा, विधिसब आ व्यवस्था देलहुं।15जखन ओसब भूखल रहए त' अहाँ ओकरासबके स्वर्गस' रोटी देलिऐ। जखन ओसब पियासल रहए त' अहाँ ओकरासबके चट्टानस' पानि देलिऐ। अहाँ ओकरासबके कहलिऐ जे जाक' ओहि कनान देशपर कब्जा करु, जे अहाँ ओकरासबके देबएलेल शपथस' प्रतिज्ञा कएने रहिऐ। 16मुदा हमरासबके पूर्वज घमण्डी आ जिद्दी रहए। ओसब अहाँके देल आज्ञा मान' स' मनाक' देलक।17ओसब अहाँके बात सुनएस' मनाक' देलनि। अहाँ जे चमत्कार ओकरासबलेल कएलहुं ताहिपर ओसब विचार नहि कएलनि। ओसब जिद्दी भ' गेलनि आ अहाँके विरुद्ध विद्रोह कर' लागल। ओ एकटा नेता नियुक्त कएलनि जे ओकरासबके घुराक' मिस्र ल' जएतैक, जत' ओसब पुनः गुलामीमे रहैत! मुदा अहाँ एहन परमेश्वर छी जे हमरासबके क्षमा करैत छी। अहाँ हमरासब प्रति अनुग्रही आ दयावान छी। अहाँ रसे-रसे तमसाए छी। बल्कि, अहाँ निष्ठापूर्वक हमरासबस' बहुत प्रेम करैत छी। ताहिके लेल अहाँ हमर पूर्वजसबके एसगरे मरुभूमिमे नहि छोड़लहुं।18सत्ते अहाँ ओकरासबके एसगरे नहि छोड़लहुं, यद्यपि ओसब अपनालेल बच्छाके मूर्ति बनौलनि। ओसब ओहि मूर्तिके विषयमे कहलक, ‘ई हमरासबके परमेश्वर छथि, जे हमरासबके मिस्रस' बाहर निकाललथि।’ एहि तरहे ओसब अहाँके बहुत अपमान कएलक। 19मुदा अहाँ सदिखन दया करैत छी तएं ओकरासबके मरुभूमिमे एसगरे नहि छोड़लहुं। दिनमे खम्हा जकां विशाल एकटा बादल ओकरासबके उपरस' ओहि रास्तापर अगुवाइ करैत रहए जत' जाएके अहाँके इच्छा रहैक जे ओसब चलए। आ रातिमे आगिके खम्हा जकां अत्यन्त विशाल बुझाति छल से आगुके रास्तापर इजोत करैत छल जाहिपर ओकरासबके चलबाक रहैक।20अहाँ ओकरासबके मार्गदर्शन करएलेल अपन नीक आत्मा देलिऐ। जं ओसब भूखल रहए त' अहाँ ओकरासबके खाएलेल निरन्तर मन्ना दैत रहलिऐ, आ पियासल रहए त' ओकरासबके पानि पिअबैत रहलिऐ।21चालीस साल धरि अहाँ मरुभूमिमे ओकरासबके देखभाल कएलहुं। एहि समयमे ओकरासबलग जरुरतिके सबकिछु छलनि। ओकरासबके कपड़ा नाश फटलए। ओसब चलैत रहलऐ तइयो ओकरासबके पयर नहि फुल लऐ।22अहाँ हमर पूर्वजसबके बहुते राजासबके पराजीत करएमे सहयोग कएलहुं जे सब विशाल सेनासबके संग शासन करैत रहए। एनाक' क' अहाँ हमर पूर्वजसबके एहि भूमिके प्रत्येक भागमे बसोवासके अनुमति देलहुं। ओसब ओहि ठामके कब्जा क' लेलक जे राजा सीहोन हेशबोन नगरस' शासन करैत रहए आ बाशान क्षेत्रके सेहो कब्जा क' लेलक जाहिपर राजा ओग शासन करैत रहए।23अहाँ हमरासबके पूर्वजके एतेक सन्तान देलहुं जे ओसब आकाशके तरेगनसब जकां रहैक। अहाँ ओकरासबके एहि भूमिपर अनलहुं, जेकरालेल अहाँ ओकरासबके माय बाबुके कहलिऐ जे एहिमे प्रवेश करु आ एहिपर कब्जा करु जाहिस' ओसब ओत' रहि सकथि।24ओकर वंशसब भीतर जाक' जमीन कब्जा लेलक। अहाँ ओकरासबके ओत' रह' बला लोकके पराजीत कर' मे सक्षम कएलहुं। ओसब कनानके वंशके रहैक। अहाँ ओकरासबके अपन राजा आ ओत' जीवित सब लोकपर विजयी बनएमे सक्षम बनएलहुं। ओकरासबसंगे जे चाहथि से क' सकैत रहए।25हमर पूर्वजसब ओहि शहरसब पर कब्जा क' लेलक जेकर चारुकात देवाल रहए। उब्जाउ खेतपर कब्जा क' लेलक। ओसब ओहि घरसबपर कब्जा क' लेलक जे पहिनेस' तरह-तरहके नीक चीजस' भरल छल, आ इनार जे पहिनेस' खनल छल। ओसब अनेक दाखके बगीचा आ जैतूनके गाछ आ फलदार गाछके बगीचापर अपन कब्जा जमा लेलक। ओसब जतेक चाहैत छल से खा' लेलक आ हष्ट-पुष्ट ओजस्वी भ' गेलए। ओसब सब नीक काजके आनन्द लेलक जे अहाँ ओकरासबके लेल कएने रहिऐ।26मुदा ओसब अहाँके विरुद्ध भ' गेल। ओसब अहाँके व्यवस्थाके पालन करब मनाक' देलक। ओसब ओहि प्रवक्तासबके मारि देलकऐ जे ओकरासबके आज्ञाकारीतामे घुरि जएबाक चेतावनी देलक। ओसब बहुत खराब काजसब अहाँके विरुद्ध कएलक।27एहि तरहे अहाँ ओकरासबके शत्रुके ओकरासबके पराजीत करबाक अनुमति देलिऐ। मुदा जखन ओकरासबके शत्रु ओकरासबके कष्ट देलकनि तखन ओसब अहाँके कानिक' पुकार कएलक। अहाँ अपन स्वर्गस' सुनलहुं, आ अहाँ बहुत दयालु होएबाक कारणे लोकसबके ओकरासबके मदति करबाक लेल पठएलहुं। ओ अगुवासब ओकरासबके अपन शत्रुस' मुक्त कएलनि।28मुदा जखन फेरु शान्तिके समय भेल त' हमर पूर्वजसब फेरु एहन अधलाह काज कएलनि जेकरा अहाँ घृणा करैत छी। ताहिके लेल अहाँ ओकर दुश्मनके जीत' देलिऐ आ ओकरापर शासन कर' देलिऐ। मुदा जखन-कखनो ओसब अहाँ लग घुरिक' आबि गेलए आ अहाँके फेरुस' अहाँके सहायताके लेल पुकार कएलक त', अहाँ अपन स्वर्गस' ओकरेसबके बात सुनलहुं। अहाँ ओकरासबके कतेको बेर बचएने छिऐ, कारण अहाँ सदिखन दयालु छी।29अहाँ ओकरासबके चेतावनी देलिऐ जे फेरुस' अहाँके व्यवस्था पालन कर' लेल घुमिक' आबि जाउ। मुदा लोकसब अहंकारी आ जिद्दी भ' गेलए। ओसब अहाँके आज्ञा नहि मानलक। अहाँके विधिसबके अवहेलना क' क' ओसब पाप कएलक, ओना त' कोनो व्यक्ति ओकर पालन क' क' जिबैत अछि। अहाँ जे काज करबाक आज्ञा देने छलहुं, तेकरा ओसब जानि बुझिक' अनदेखि क' देलक। ओसब जिद्दी भ' गेल आ आज्ञा मानब मनाक' देलक।30अहाँ ओकरासबके बहुत दिन धरि सहन कएलहुं। अहाँ ओकरासबके अपन प्रवक्तासबके देल गेल अहाँके संदेशसबद्वारा चेतावनी देलहुं। मुदा ओसब संदेशसब नहि सुनलनि। तएं एकबेर फेरु अहाँ ओकरासबके पड़ोसी राष्ट्रके सेनास' पराजीत होबए देलिऐ।31मुदा अहाँ बहुत दया देखएलहुं तएं ओकरासबके पूर्णरुपस' नाश नहि कएलहुं। अहाँ कहियो ओकरासबके एसगरे नहि छोड़लहुं। हं, अहाँ बहुत अनुग्रहकारी आ दयालु परमेश्वर छी!32हमर परमेश्वर, अहाँ महान आ पराक्रमी आ भययोग्य छी! अहाँ सदिखन अपन करारके प्रतिज्ञा पूरा करु आ सदा निष्ठापूर्वक हमरासबस' प्रेम करैत छी! तएं आब हमसब प्रार्थना क' रहल छी: हमरासबके कष्टके अनदेखी नहि करु। हमरासबके राजा, अगुवा, पुजारी, प्रवक्ता, पूर्वजसब आ जे लोकसब समस्याके अनुभव कएने अछि, ताहिपर ध्यान कएल जाओ। जहियास' अश्शूरके राजासब हमरासबके जीत लेलक तहियास' हमरासबके एहि समस्याके सामना करए पड़ैत अछि। आइयो हमसब ओहिके अनुभव क' रहल छी।33हमरासबके बुझल अछि जे अहाँ हमरासबके संग ईसब होबए देबएमे ठीक व्यवहार कएने छी। हं, अहाँ हमरासबके संग ओहिना व्यवहार कएलहुं जेकर योग्य छलहुं। मुदा हमसब अधलाह काज कएलहुं।34विगतमे हमरासबके राजा, अगुवा, पुजारी आ हमरसबके आन पूर्वजसब अहाँके व्यवस्थाके पालन नहि कएलक। ओसब अहाँके आज्ञा वा गवाहीके नहि सुनलक जे अहाँ ओकरासबके देलिऐ।35ओकरासबके अपने राजा रहैक। अहाँद्वारा उपलब्ध कराओल गेल एहि विशाल आ उब्जाउ भूमिमे ओसब बहुत नीक चीजसबके आनन्द लेलक। मुदा तइयो, ओसब अहाँके सेवा नहि कएलक। ओसब अधलाह काज करब नहि छोड़लक।36हमरासबके स्थितिपर ध्यान देल जाओ! आइ हमसब दास बनि एहि भूमि जमीनमे रहैत छी जे अहाँ हमरासबके पूर्वजके देने रहिऐ। अहाँ ओकरासबके ई जमीन एहिलेल देलिऐ जे ओसब एत' जे नीक-नीक चीजसब उब्जैत अछि, ओकर आनन्द ल' सकए। मुदा आब हमरासबपर ध्यान देल जाओ! हमसब एहि ठाम गुलाम जकां छी। 37अहाँ जाहि राजासबके हमरासबपर शासन करबाक अनुमति देने छिऐ, ओसब एत' उपजएबला सबटा नीक चीजसबके आनन्द ल' रहल अछि। ई एहिलेल अछि जे हमसब पाप कएलहुं। ओसब हमरासबके शरीर आ हमरासबके जानवरपर राज करैत अछि। जे चाहैत छै से करितो छै। हमरासबके असहय पीड़ा होइत अछि।38एहिसबके कारण हमसब सारा इजराएल विश्वासयोग्य भ' क' आ हमसब एहिके लिखक' सेहो करारक' रहल छी। हमसब अपन अगुवा, लेवी आ पुजारीसबके नाम लिखब। तब हमसब ओहिपर सहिछाप सेहो क' देबै।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.