Nehemiah10

1ईसब ओहि लोकसबके सूची अछि जे समझौता पर हस्ताक्षर कएने रहए: हकल्याहके बेटा राज्यपाल नहेम्याह; शास्त्री सिदकिय्याह।2समझौता पर हस्ताक्षर करएबला पुजारीसब ईसब रहए: सरायाह, अजर्याह, यिर्मयाह;3पशहूर, अमर्याह, मल्किय्याह;4हत्तूश, शबन्याह, मल्लूक;5हारीम, मरेमोत, ओबद्याह;6दानिय्येल, गिन्‍नतोन, बारूक;7मशुल्लाम, अबिय्याह, मिय्यामीन;8माज्याह, बिलगै, आ शमायाह ईसब पुजारी रहैक।9समझौता वा सहमती पर हस्ताक्षर कर' बला लेवीसब ई रहए: आजन्याहके बेटा येशुअ, हेनादादके कुलमेस' बिन्नूई, कदमीएल10ओकर किछु सहयोगीसब मे स' किछु समझौता पर हस्ताक्षर कएलनि, जाहिमे ईसब रहए: शबन्याह, होदिय्याह, कलीता, पलायाह, हानान,11मीका, रहोब, हशब्याह;12जक्कूर, शेरेब्याह, शबन्याह,13होदिय्याह, बानी आ बनीनू।14इजराएली अगुवा जे समझौता पर हस्ताक्षर कएने छल से सब ई रहए: परोश, पहत्मोआब, एलाम, जत्तू, बानी,15बुन्नी, अजगाद, बेबै,16अदोनिय्याह, बिगवै, आदीन,17आतेर, हिजकिय्याह, अज्जूर,18होदिय्याह, हाशूम, बेसै,19हारीफ, अनातोत, नोबै,20मग्पीआश, मशुल्लाम, हेजीर,21मशेजबेल, सादोक, यद्दू,22पलत्याह, हानान, अनायाह,23होशे, हनन्याह, हश्शूब,24हल्लोहेश, पिल्हा, शोबेक,25रहूम, हशब्ना, मासेयाह,26अहिय्याह, हानान, आनान,27मल्लूक, हारीम आ बानाह।28बांकी इजराएलीसब जे एहि गम्भीर समझौतामे सेहो सहभागी भेल रहए। एहिमे पुजारी, लेवी, द्वारपाल, गबैया आ मन्दिरके सेवकसब सहभागी छल। एहिमे ओहो लोकसब ओसब अपन पत्नी आ अपन बुझनिहार धियापुताके संग सहभागी छल जे केवल इजराएलके परमेश्वरके आराधना आ आज्ञा मानएलेल सहमत छल।29ओसब अपन अगुवासबके संग मिलि गेल, जे शूरवीर रहए, आ ओसब मिलिक' मूसाद्वारा परमेश्वर देने व्यवस्थाके पालन कर' लेल एकटा शपथ खएलनि। ओसब सहमत भेलनि जे ओहि सबबातके पालन करब जे हमरासबके परमेश्वर यहोवा आज्ञा देने छलथि, हं, ओहि सब निर्देशनके।30ई काज ओसब प्रण लेलकए: “हमसब अपन बेटीसबके विवाहमे एहि देशमे रहि रहल विदेशी लोकसबके नहि देब जे यहोवाके आराधना नहि करैत अछि। हमसब अपन बेटासबके ओकरासबके बेटीसंगे विवाह नहि करब।31एहि देशमे रहनिहार लोकसबके आन समूहसब अपन मालजाल आ सब प्रकारके भोजनके विश्राम-दिनमे बेचएलेल आनि सकैत अछि। मुदा हमसब विश्रामके दिन वा कोनो आन पवित्र दिन ओकरासबस' किछु नहि किनब। सब सातम सालमे हमसब अपन खेतके सुस्ताए देब आ कोनो बालि नहि लगाएब। ओहि वर्ष हम केकरो ओकरापर कोनो बांकी कर्ज कोनो आन व्यक्तिके नहि तिरए देब।  32हम सबगोटे एकटा प्रण पर सेहो सहमत भ' गेलहुं जे परमेश्वरके भवनमे सेवाके लेल जे सामग्री चाही ओहिलेल सब साल 4 ग्राम चानी देब।33एत' ओहि सामग्रीके सूची अछि। पवित्र रोटी जे परमेश्वरके समक्ष राखल जाइत अछि। जे अनाज सबदिन वेदीपर जराओल जाइत अछि। जे जानवरसब दिन वेदीपर पूर्णरुपस' जराओल जाइत अछि। विश्रामके दिन लेल पवित्र बलिदान आ सब नव चन्द्रमा पावनि आओर आन निर्धारीत पावनिसब मनाबए लेल जे परमेश्वर हमरासबके मनाबए लेल कहने छथि। आन चढौना जे परमेश्वरके समर्पित अछि। इजराएलीसबके पापके प्रायश्चितके लेल पशुके पापबलि देब पड़त। मन्दिरके रेखदेख काजके लेल आन किछु जे आवश्यक हुवए।34हमसब ई जानएलेल अंकुर फेकलिऐ जे पुजारी, लेवी आ प्रत्येक कुलके बांकी रहल लोकसब कहिया वेदीपर जराब' लेल जरना अपन भेट मन्दिरमे ल' क' जाइक। प्रत्येक कुल एकरा प्रतिवर्ष अपन निर्धारीत समयपर ल' क' जाएत। लेवीसब ओहि जरनाके उपयोग हमरासबके परमेश्वर यहोवाके वेदीपर बलिदान जरएबाक लेल करितए। ओ व्यवस्थामे ई आज्ञा देने रहथि जे ओ मूसाद्वारा देलथिन। 35हमसब अपन फसलके पहिन अनाज सेहोसब साल आ अपन सबगाछस सब पहिन फल जे उपजबैत अछि चढौना के रुपमे यहोवाके भवनमे आनब। 36हमसब आओर किछु करब जे परमेश्वर व्यवस्था देने छथि। हम अपन जेठ बेटासबके मन्दिरमे समर्पण कर' लेल आनब, आ अपन पहिनुका बच्छा आ हेंड़के भेंड़ बकरीके बलिदानक रुपमे मन्दिरमे सेवा करएबला पुजारीसबके समक्ष आनब।37हम पुजारीसबलेल समान सेहो आनब जे ओसब परमेश्वरके भवनमे संग्रहित क' सकैत अछि। एहिमे पहिन अनाज जे हमसब कटैत छी, पहिन आंटा जे हम सानब, हमर गाछके पहिन फल, आ नव दाखरस आ जैतूनके तेल हमसब उत्पादन करैत छी। हमसब अपन 10 प्रतिशत फसल सेहो लेवीसब लग आनि देब। हम ओकरासबके ई 10 प्रतिशत ओहि शहरमे संग्रह कर' के अनुमति देब जत' हमसब चढ़ौनाके काज करैत छी। 38एकटा पुजारी, जे हारूनके वंशजमेस' एकगोटे, लेवीसबके संग रहैत आ जखन ओसब ओहि दस प्रतिशतके जमा करत, त' लेवीसबके जे किछु भेटल अछि ताहिमेस' 10 प्रतिशत परमेश्वरके भवनमे आनए चाही। पुजारीसब एकरा भंडारमे राखत आ ई ओकरेसबके मदति करत। 39एहि तरहे काज होएत। इजराएली आओर लेवी अपन अनाज, दाखरस आ जैतून तेलके चढ़ौना ओहि भंडारमे आनत। एत' पुजारी मन्दिरके वर्तनसब रखतए। आ एतहि भोजन राखल जाएत ओहि समयमे सेवा करएबला पुजारी, द्वारपाल आ गबैयासबलेल। हमसब प्रण करैत छी जे परमेश्वरके भवनके देखभाल करैत रहब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67