Nehemiah8

1सातम महिनाके पहिन दिनमे, पानि फाटक लगके चौकमे इजराएलके सबलोक एकट्ठा भेलए। ओसब शास्त्री एज्राके मूसाके व्यवस्थाके पुस्तक बाहर आनएलेल कहलनि, जे इजराएलीसबके पालन करबाक लेल यहोवा देने रहथि। 2पुजारी एज्रा व्यवस्थाके सबलोक, दुनू स्त्री आ पुरुष, आ पढ़ल बात बुझि सकएबला धियापुतासब लग बाहर अनलनि। ओ ओहि सालके सातम महिनाके पहिन दिन एना कएलनि। 3एहि तरहे ओ भोरस दुपहर धरि ओहि पुस्तकके पानि फाटक लगके चौक पर जोर-जोरस' पढ़ैत रहलनि। ओ एकरा ओहि सबलोकके, स्त्री आ पुरुष आ ओहि धियापुतासबके सोझा पढ़लनि जे एकरा पढ़ल बात बुझि सकैत छल। आ सब लोकसब ओहि मूसाके व्यवस्थाके ध्यानस' सुनैत रहल जे ओहि पुस्तकमे लिखल गेल छल।4शास्त्री एज्रा एकटा उंचगर लकड़ीके मंच पर ठाढ़ छलनि जे लोकसब एहि काजके लेल बनौने रहए। हुनकर दहिनाकात मत्तित्याह, शेमा, अनायाह, ऊरिय्याह, हिल्किय्याह आ मासेयाह ठाढ़ रहए। हुनकर बामा कात पदायाह, मीशाएल, मल्किय्याह, हाशूम, हशबद्दाना, जकर्याह आ मशुल्लाम ठाढ़ रहए।5एज्रा सब लोकस' उपर एकटा मंच पर ठाढ़ रहए जाहिस' सबकेओ हुनका देखए। ओ ओहि पुस्तकके खोललनि, आ एना करैत काल सबगोटे ठाढ़ भगेलए।6तखन एज्रा महान परमेश्वर यहोवाके स्तुति कएलनि आ सबलोक हाथ उठएलनि ई देखाबएलेल जे ओसब हुनकासंग प्रार्थना क' रहल छथि। अपन प्रार्थनाक अन्तमे ओसब कहलनि, “हमसब सहमत छी!” तखन ओसब ठेहुनियां द' क' आ अपन नाक भुइयांमे छुवाक' यहोवाके आराधना कएलनि। 7तखन येशुअ, बानी, शेरेब्याह, यामीन, अक्कूब, शब्बतै, होदिय्याह, मासेयाह, कलीता, अजर्याह, योजाबाद, हानान, पलायाह, ईसब लेवी लोकसबके मूसाके व्यवस्थाके अर्थ बुझौलनि।8ओसब परमेश्वरके व्यवस्थाके पुस्तकस' साफ-साफ पढ़ैत छलनि आ ओकर अर्थ बुझबैत छलनि, जे एज्रा आ आन लोकसब की पढ़ि रहल छथि से लोकसब बुझि सकथि।9तखन व्यवस्थाके वचन सुनिक' लोकसब दुखित भ' क' कानए लागल। तखन नहेम्याह जे राज्यपाल रहथि, एज्रा पुजारी आ शास्त्री आ लेवीसब जे लोकसबके एकर अर्थ बुझबैत छलनि, सबलोकके कहलनि, “आइ एकटा यहोवाके उत्सवके पवित्र दिन अछि जाहिमे अहाँसब अपन परमेश्वर, यहोवाके आराधना करु।” तएं ने दुखित होउ आ ने कानू!10तखन नहेम्याह आओर ओकरासबके कहलनि, “आब घर जाउ, किछु नीक-नीक भोजन करु आ किछु मीठ पीबू। आ किछु ओहि लोकसबके बांटियो दिऔ जे नीक भोजन आ मीठ रसके खर्चके सामर्थ्य नहि रखैत छथि, कारण आइ एकटा पवित्र दिन अछि जे हमरासबके प्रभुके आराधना करबाक लेल अलग दिन अछि। तएं दुखित नहि होउ, किएक त' यहोवा जे आनन्द देथिन से अहाँसबके मजगूत करत।”11लेवीसब सेहो ओहि लोकसबके जे कनैत रहए तेकरा चुप होबएलेल कहलनि, “आइ पवित्र दिन अछि! तएं चुप रहू। विलाप नहि करु।”12तएं सबगोटे खाए पीबएलेल आ जे किछु ओकरासबलग रहए से जरूरतमंदमे बांटि देबएलेल घर गेलनि। ओसब बहुत आनन्दित भेलनि, किएक त' ओसब ओहि शब्दसबके अर्थ बुझि गेल रहए जे एज्रा पढ़ने रहए आ दोसर लोकसब ओकरासबके बुझौने रहए।13एकरबाद दोसर दिन, सबलोकके कुलके अगुवासब आ पुजारी आ लेवीसब शास्त्री एज्रासंगे भेट कएलनि। ओसब व्यवस्थाके ध्यानपूर्वक अध्ययन कर' चाहैत छलनि जे यहोवा मूसाके देने छलथि। ओसब एकरा नीकस' बुझए' चाहैत छलनि।14ओकरासबके पता चललनि जे व्यवस्थामे कहल गेल अछि जे यहोवा मूसाके कहने छलथि जे सातम मासमे एकटा पावनिके समयमे इजराएलीसबके झोपड़ीमे रहबाक आज्ञा दिऔ। ई एहन भेल जे ओकरासबके मोन पड़ि गेलनि जे मिस्रस' निकललाके बाद ओकर पूर्वजसब मरुभूमि स' जाइत काल झोपड़ीमे रहैत रहए। 15ओसब इहो जानि लेलक जे ओसब अपन सब नगर आ यरूशलेममे सार्वजनिकरुपस' घोषणा करथि जे लोकसब पहाड़पर जाथि आ डाढ़ि कटबाक चाही। ई जैतून, तेलके गाछ, मेंहदी, खजूर और छांहीबला सेहो होएबाक चाही। ओकरासबके ई डाढ़िसबके आनिक' पावनिमे रहएलेल झोपड़ी बनाबए पड़तै। व्यवस्था एहने निर्देशन देने रहए।16एहिलेल ओसब बाहर निकलि गेलनि डाढ़ि-पातसबके काटिक' अपनालेल झोपड़ी बनाबएलेल अनलनि। ओसब अपन घरके छतपर, अपन आंगनमे, परमेश्वरके भवनके आंगनमे, पानि फाटक लगके चौक पर आ इफ्राइमके फाटक लगके चौक पर झोपड़ी बनौलनि।17बेबिलोनके निर्वाशनस' घुरिक' आएलसब इजराएलीसब झोपड़ी बनाक' ओहिमे एक सप्ताह धरि रहैत रहलनि। जहियास' नूनके बेटा यहोशू ओकरासबके एहि इलाकामे ल' गेल रहए तहियास' एखन धरि इजराएली लोक कहियो एहन पावनि नहि मनौने रहए। ओसब पहिन बेर ई काज क' रहल रहए। आ लोकसब गदगद भ' गेलए।18ओहि सप्ताहके प्रत्येक दिन एज्रा परमेश्वरके व्यवस्थाके पुस्तकस' लोकसबके जोर-जोरस' पढ़िक सुनौलनि। पावनिके पहिन दिनस' अन्तिम सात दिनधरि पावनि मनबैत रहलनि। आठम दिन ओ सबलोकके एकठाम आबएलेल कहलनि जाहिस' पावनिके अन्तमे कोनो समारोहके आयोजन क' सकथि। व्यवस्थाके आवश्यकता अनुसार एहने निर्देश रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67