Nehemiah5

1किछु समयके बाद, किछु पुरुष आ ओकर पत्नीसब एहि बातके कड़ुआएल उपराग देलनि जे ओकर संगी यहूदी ओकरासबके संग की क' रहल अछि।2किछुगोटे कहए' लागल, “हमरासबके बहुते धियापुतासब अछि। हमरासबके सबगोटेके पेट भरबाकलेल बेसी भोजन चाही।”3आओर लोक कहलनि, “हमरासबके अपन खेत, अंगूर बगान आ घरसबके बन्हकी राख' पड़ल, जं हमसब ओहि पाइके फेरुस' घुराक' नहि देब' सकैत छी जे ओकरासबस' हमसब उधार लेने छी। हमरासबके ओहि समयमे भोजन खरीदएलेल उधार लेब' पड़ल छल जखन भोजन भेटब कठिन रहए।”4तथापि किछुगोटे कहलनि, “हमरासबके अपन खेत आ अंगूर बगानपर जे राजकर देबएलेल राजा आज्ञा देने रहए से चुकाबएलेल पाइ उधार लेबए' पड़ल अछि।5एहने अन्हेर घटना घटल अछि। हमसब अपन बालबच्चासबके गुलामीमे बेचि रहल छी। बन्हकी रखनिहारसब हमरासबके खेत आ अंगूर बगान ल' लेलक, तएं हमसब किछु नहि क' सकैत छलहुं। मुदा हमसब संगी यहूदी छी, ठीक ओहिना जेना हमरासबके संग ईसब काज क' रहल अछि!”6ईसब बात सुनिक' हमरा बहुत पित्त लहरल जेकर ओसब शिकायत क' रहल रहए।7हम बहुत सोंचलहुं जे की कएल जाए। तखन हम शहरके नाम चलल लोकसब आ अधिकारीसब पर आरोप लगा देलिऐ। हम ओकरासबपर लागल आरोप सुनएलेल बहुते लोकसबके बजाओल गेल। हम एहि अगुवासबके कहलिऐ, “अहाँसब अपन संगी यहूदीसबस' ब्याज ल' रहल छी। अहाँसब जनैत छी जे मूसाके व्यवस्थामे एहिके अस्वीकार कएल अछि।”8हम ओकरासबके कहलिऐ, “जखन-कखनो हमरासबके संगी यहूदीसबके अपनाके आन देशके लोकके गुलामीमे बेचि' पड़ल अछि, त' हमसब अपन क्षमताक अनुसार ओकरासबके वापस किन रहल छी। मुदा अहाँसब ओकरासबके गुलामीमे फेरु बेचि रहल छी जाहिस' अहाँ सबकेओ पाइ निकलि सकए जे ओसब कर्ज लेने रहैक!” तब ओसब चुप भ' गेलैक, आ अपन बचाबमे कोनो शब्द नहि रहि गेलै।9ओकरासबके हम कहलिऐ, “अहाँ जे क' रहल छी से अनरगल अछि! अहाँके परमेश्वरके आज्ञा मानएके चाही आ जे उचित अछि से करबाक चाही! नहि त' अपनासबके शत्रु जातिसब अपनासबके आओर बेसी मजाक उड़ाओत।10हम अपने, आ हमर नातेदार आ हमर सेवक बिना ब्याजेके पाइ आ अनाज उधार दैत आबिरहल छी। अपनासबके ब्याजपर कर्ज लगाएब बंद करबाक चाही।11ओकरासबके अपन खेत, अंगूर बगान, जैतूनके बगीचा आ घर फिर्ता-घुरता क' दिऔ। आ से अखिने करु! आ सालाना ब्याज जे अहाँ ल' रहल छी ओकर बारह प्रतिशत ओहि पाइ, अनाज, दाखरस, आ जैतूनके तेल पर घुरा दिऔ जे अहाँ ओकरासबके उधार देने रहिऐ।”12ई अगुवासब उत्तर देलनि, “हं, अहाँ जे कहब से हमसब करब। हम ओकरेसबके खेत, अंगूर बगान, जैतूनके गाछ, आ घर घुरा देब। आ हमसब ओकरासबस' ब्याज लेनाइ बंद क' देब।”
तखन हम पुजारीसबके बजाक' अगुवासबके परमेश्वरके समक्ष शपथ दिएलिऐ जे ओसब जे करएके प्रतिज्ञा कएने अछि से पूरा करत।
13हम अपन वस्त्रके जोरस' झारैत कहलिऐ, “जे केओ ई शपथ नहि मानत त, परमेश्वर ओकरा सबकिछु एहिनाक' झाड़ि देथिन। हं, ओ व्यक्ति छुच्छे हाथ रहि जाएत!”
तखन ओत' उपस्थित सबगोटे बजलनि, “हमसब सहमती छी!” आ ओसब यहोवाके स्तुति कएलनि। तेकरबाद केओ यहूदी कर्ज पर जीवन यापन करबाक लेल घर वा खेत नहि लेलक आ केओ ब्याज नहि लेलक। 
14एकटा आओर काज सेहो अछि जे हम लोकसब मदति करएलेल कएलहुं। फारसके राजा अर्तक्षत्र, हमरा अपन शासनके बीसम् वर्षमे यहूदा प्रान्तके शासक नियुक्त कएलनि। राजाके शासनके बत्तीसम् वर्ष धरि जहियास' ओ हमरा नियुक्ती कएलनि, तहियास' बारह वर्ष धरि, हम अधिकारीके भोजन भत्ता स्वीकार नहि कएलहुं, आ हम एकर उपयोग हमर सम्बन्धीसबके भोजन करएमे सेहो नहि कएलहुं। हमरा बुझल रहए जे लोक गरीब अछि आ एकर बदला पाइ नहि चुका सकैत अछि।15हमरास' पहिनुका शासकसब जनताके जीवन अत्यन्त कठिन बना देने रहैक। ओ मांग कएने रहैक जे लोक ओकरासब दिन रोटी आ दाखमद्य आ चालीस शेकेल चानीके इंतजाम करए। ओकर नोकर धरि लोकसबके परेशान कएने रहैक। मुदा हम परमेश्वरके आदर आ समान करैत रहलाके कारण हम ओकरापर अत्याचार नहि कएलहुं। 16हम देवालके पुनर्निर्माणके काजमे अपनेके समर्पित क' देलहुं। हम आ हमर सखा सम्बन्धी कोनो संपत्ति नहि किनलहुं, ओना त' गरीब लोकसब बेचएलेल बेसी फिरिसान रहलाक कारणे सस्तामे भेटि सकैत छल। हम अपन सब नोकरके सेहो देबालपर काज करएलेल नियुक्त कएलहुं।17शासकके रुपमे, हमर जिम्मेवारी छल जे संगी यहूदी अगुवा आ शहरके एक सय पचास अधिकारीसबके भोजन कराबी। पड़ोसी देशसबस' आएल यहूदी आगंतुकसबस' सेहो भेट भेल।18सबदिन हम अपन नोकरसबके कहलिऐ जे हमरा सेवाके लेल एकटा बैल, हेंड़मेस' छौटा नीक भेंड़, आ अलग-अलग प्रकारके मुर्गा मुरगी तैयार करु। हम एहिसबके पाइ द' देलिऐ। दस दिनमे एक बेर हम भरपूर प्रकारके दाखरस ल' क' अबैत छलहुं। मुदा हमरा बुझल रहए जे लोकसब जीबाकलेल संघर्ष क' रहल अछि, आ तएं हम अपने खर्च पर एहिसबकिछुके भुक्तान कएलहुं। हम फेरुस' कएलिऐ जे हम शासकके भोजन भत्ता नहि लेलहुं।19हे हमर परमेश्वर, हम अहाँस' प्रार्थना करैत छी हमरा विषयमे सोंचू, आ हम यहूदाके लोकसबके संग जे नीक काज कएलहुं तेकर फल देब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67