Nehemiah4

1जखन सामरियाके शासक सम्बल्लत सुनलक जे हमसब नगरक देवाल पुनर्निर्माण क' रहल छी त' ओ बड़ पीता गेलै आ ओ यहूदीसबके मजाक उरओलक।2ओ आओर सामरिया प्रान्त अधिकारी आ सेनाके अधिकारीसब संगे बतिअएलै। ओ एना कहलनि, “ई कमजोर यहूदीसब किछु नहि क' सकैत अछि! ओसब एहि शहरके बसाब' मे ओकरासबके परमेश्वर कहियो ने ओकरासबके मदति करत। एकरासबके नहि बुझल छनि जे ओहि देवालके मरम्मत करएमे कतेक समय लागि सकैत अछि। एकेटा तरीका छै जे ओसब पत्थलके कूड़ाके ढेरी स' बाहर निकालिक' अनैक। ओना बेबिलोनीसब शहरके जड़ा देने रहैक, तएं ओ पत्थलसब सम्भवत कमजोर भ' गेल होएतै।”3अम्मोनी तोबियाह सम्बल्लतके पजरामे ठाढ़ रहए। ओ यहूदीसबके मजाक उड़बैत कहलक, “ठीके अछि! जाहि देवालके ओसब फेरुस' बना रहल अछि, से एतेक कमजोर अछि जे जं ओ कोनो नढ़ियो ओहिपर चढ़िते त' खसि पड़तै!”4जखन हम ओकरासबके बात सुनलहुं त' परमेश्वरस' प्रार्थना कएलहुं, “हे हमर परमेश्वर, सुनियौ जे ओसब हमरासबके कोना मजाक उड़ा रहल अछि! हमरासबके रोकएके जे ओसब प्रयास क' रहल अछि तेकरा विफल क' दिऔ, जाहिस' आन लोकसब ओकरेसबके मजाक उड़ाबैक! ओकर शत्रुसब ओकरासबके बंदी बनाक' आन देशमे जाएलेल बाध्य क' दैक!5ओसब दोषी अछि, आ ओसब अहाँके विरुद्ध पाप कएने अछि। ओकरासबके दोषके नहि बिसरु, आ ओकर पापके क्षमा नहि करु! किएक त' ओसब आओर गोटेके सेहो देवाल बनएनिहार सबपर खिसियाएलेल कहि रहल अछि!6मुदा हमसब देवाल बनबैत रहलहुं, आ किछु समयके बाद, हमसब सौंसे शहरके चारुकात देवाल जतेक उंचाई होए चाही ताहिके लगभग आधा बना लेलहुं। एकरा पूरा करबाक लेल सब केओ मन बना लेने रहैक।7मुदा जखन सम्बल्लत, तोबियाह, अरब देशके लोकसब, अम्मोनी देशके लोकसब आ अश्दोदी लोकसब सुनलक जे हमसब यरूशलेमके देवालके मरम्मत करएमे आ ओहि रहल भूंरभांरसब भरएमे लागल छी, त' ओसब बेसी पीता गेलै।8ओसब मिलक' यरूशलेमके लोकसबस' लड़एके योजना बनौलक। ओसब शहरके भीतरके लोकसबके भरमाक' फूटा देब' चाहैत रहए।9मुदा हमसब अपन परमेश्वरस' प्रार्थना कएलहुं जे ओ हमरासबके रक्षा करथि, आ हमसब पहरदारसबके देबालसब पर राखि देलिऐ जे ओकरासबपर हठसारि नजरि रखथि।10तखन यहूदाके लोकसब एना कहए' लागल,“पत्थल ल' क' चलनिहार सबके सामर्थ्य कम भ' रहल छै।कूड़ा-करकट बेसी छै। हमसब देवालके फेरुस' बनाक' समपन्न नहि क' सकब।”
11तखन हमरासबके शत्रुसब अपनामे कहए' लागल, “यहूदीसबके ई बुझएमे आब' स' पहिने जे हमसब आबि रहल छी, हमसब ओकरासबपर आक्रमण क' क' मारि देब आ देबालपर चलएबला कामके बंद क' दैक!”12तब जे किछु यहूदीसब हमरासबके शत्रुसबके लगमे रहैत छल से यरूशलेममे आएल, तखन ओसब बेर-बेर हमरासबस' निहोरा कएलक, “हमर लोकसबके घरे जाए देल जाउ जाहिस' ओसब हमरासबके रक्षा करथि!” 13मुदा हम देवालके पाछु ओहि ठाम पहरदार राखि देलिऐ जत' ओसब कम लोक रहए वा जत' बेसी भूंरभांरसब रहए। हमरालग प्रत्येक परिवारके समूहके पुरुष तरुआरि, भाला आ तीरधनुष ल' क' ठाढ़ रहैक।14हमसब किछु गोटेके जांच कएलाके बाद हम नाम चल लोक आ नगरके अधिकारीसब आ बहुते लोकके बजाक' कहलिऐ, “अपनासबके शत्रुसबस' नहि डेराउ! प्रभु महान आ भययोग्य छथि, तएं सोंचू जे ओ की क' सकैत छथि। आ अपन परिवार, बेटा-बेटी, पत्नी आ घरके रक्षा करएलेल लड़ी!”15जखन हमरासबके शत्रुसबके जानकारी भेलै जे हमरासबके ओकर योजनाके विषयमे पता चलि गेल, तखन ओसब बुझि गेलै जे परमेश्वर ओकरासबके आक्रमण करएके योजनाके विफल बना देलनि। ओसब हमरासबपर आक्रमण नहि करबाक निर्णय लेलक। तएं हमसब फेरु देवालके काजमे लागि गेलहुं। सब केओ पहिने जकां काज करैत रहलहुं।16मुदा तेकरबाद हमर आधा सेवकसब मात्र देबालपर काज करैत रहए। दोसर दिस आधा सेवकसब भाला, ढाल, तीरधनुष आ आओर हतियार स' लैस पहरदार सब ठाढ़ छल। हमरासबके अधिकारीसब यहूदाके घराना सबके पाछु प्रोत्साहित करएलेल आ आक्रमणके स्थितिमे आदेश देबएलेल ठाढ़ रहए।17जे लोकसब देवाल बनबैत छल आ जे बेसी भार ल' क' चलैत छल, ओकरासबके संग अपन हथियार रहैक, जाहिस' आक्रमणके स्थितिमे लड़एलेल तरम तैयार रहए।18प्रत्येक राज मिस्त्री अपन डांढ़मे तरुआरि बान्हिक' काज करैत रहए। जं हमरासबके कोनो संकेत चाही ताहिके लेल हम अपन बगलमे एगोटेके तुरही बजाबएलेल तैनात क' देलिऐ। 19तखन हम नाम चलल लोकसब, नगरके अधिकारीसब आ बहुते लोकके कहलिऐ, “हमसब बहुत नमहर इलाकामे काजक' रहल छी, आ देबालपर एक-दोसरस' बेसी दूर रहैत छी।20मुदा जतए-जतए अहाँ ओहि आदमीके तुरही बजबैत सुनब, ओहि ठाम हमरासबके चारुकात ठाढ़ भ' जाएब। अपनासबके परमेश्वर अपनासबलेल लड़तथि!”21तएं हमसब देवालके पुनर्निर्माणके काज भोरेस' सांझ धरि काज करैत रहलहुं। आधा लोक पहरदारके काज करैत रहए, आ अपन हथियारक सदिखन तैयारे रखने रहैक।22ओहि समयमे हम ओकरासबके इहो कहलिऐ, “प्रत्येक मजदूर आ ओकर सेवकके यरूशलेममे राति बिताबए पड़त, आ जं ओसब शहरस' बाहर रहैत अछि त' घर नहि जाइक। एहि तरहे नगरमे रातिमे बहुते पहरदार रहैत छल, आ ओसब दिनमे देबालपर काज करैत छल।”23ओहि समय हम सबकेओ काजे करएबला वस्त्र पहिरने सुतलहुं। हम आ ने हमर भायसब , हमर नोकर, आ हमर व्यक्तिगत अंगरक्षक सेहो। हम सबगोटे सदिखन अपन हथियार अपन संगेमे रखने छलहुं, जखन हमसब पानि लग जाइत छलहुं तखनो संगे रहैत छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67