Nehemiah6
1जखन सम्बल्लत, तोबियाह, अरबी गेशेम, आ हमरासबके आन-आन दुश्मनसबके पता चललै जे हमसब देवालके पुनर्निर्माण सम्पन्न क' लेने छी, आ आब ओहिमे कोनो भुंरभार नहि बचल छै। मुदा हमसब एखनधरि दरबाजापर पल्ला नहि लगएने रही।2तखन सम्बल्लत आ गेशेम हमरा एकटा समाद पठौलनि, “हमसब अहाँस' ओनो मैदानके कोनो एकटा गाममे भेट करए चाहैत छी।” मुदा हमरा बुझल रहए जे ओसब ई एहिलेल कहि रहल अछि जे ओसब हमरा हानि पहुंचाब' के मन बनएने अछि।3तएं हम समाद ल' क' आएल ओहि दूतस' ई कहिक' पठौलिऐ, “हम एत' जे काज क' रहल छी, से सबस' बेसी महत्वपूर्ण अछि। हम नहि आबि सकैत छी किएक त' एत' काज चलि रहल अछि। ई काज छोड़िक हम अहाँके भेट करए जाउ आ ई काज रुकि जाए ताहिमे हमरा कोनो तर्क नहि बुझा रहल अछि।”4ओ हमरा चारि बेर एकहिटा समाद पठौलनि, आ सब बेर हम ओकरा ओएह कारणस' अस्वीकार करैत रहलिऐनि।5तखन सम्बल्लत अपन एकटा नोकरके पांचम बेर ओएह विनती हमरालग पठौलनि। एहि बेर चिट्ठी लिखल गेल छल, मुदा ओहिपर सील बंद नहि कएने रहए। एहिलेल सम्बल्लत चिट्ठीपर सील खुलले छोड़ि देने रहैक जे आन लोकके सेहो बुझएमे चलि आबए जे ओ की कहए चाहैत अछि, कारण ओ हमरापर भेट करबाक दबाव बनाबए चाहैत रहए। 6चिट्ठीमे ई लिखल रहए, “हमरासबके चारु दिसके देशमे रहनिहार लोकसब कहि रहल अछि, आ गेशेम पुष्टि करैत अछि ई सत्य छै, जे अहाँ आ यहूदीसब राजा अर्तक्षत्रके विरुद्ध विद्रोह कर' के योजना बना रहल छी। ताहिके लेल अहाँसब देवालके फेरुस' पुनर्निर्माण क' रहल छी। ओसब इहो कहि रहल छथि जे अहाँ स्वयं यहूदीसबके राजा बनएके मनसूबा रखने छी।7ई लोकसब इहो कहि रहल अछि जे अहाँ यरूशलेममे अहाँके विषयमे ई समर्थन करएलेल प्रवक्तासबके नियुक्त कएने छी। ओसब कहैत अछि, ‘यहूदाके आब अपने राजा अछि!’ राजा अर्तक्षत्र ई खबरि अवश्य सुनताह, आ जखन ई होएत तखन ओ अहाँपर अत्यन्त क्रोधित होएताह। तएं हमरासबके एहि विषयमे छलफल करएलेल वास्तवमे अपनासबके भेट करबाक चाही।”8हम ओकरा फेरु उत्तर पठौलिऐ, “अहाँ जे कहि रहल छी ताहिमेस' कोनो बात सत्य नहि अछि। अहाँ अपने मनस' बात गढ़ि रहल छी।”9हमरा बुझल छल जे ओसब हमरासबके डेराबएके प्रयास क' रहल अछि। ओसब सोंचलक, “यहूदीसब एतेक भयभीत भ' जएतै जे ओसब देवाल बनएबाक काज छोड़ि देत, आ ओसब कहियो पुनर्निर्माण पूरा नहि क' सकत।” तएं हम परमेश्वरस' प्रार्थना कएलहुं, “हे परमेश्वर, हमरा साहस दिअ।”10एहि समयमे हम दलायाहके बेटा आ महेतबेलके पोता शमायाहस' ओकरा घरपर भेट करए गेलहुं, कारण ओ अपन घरस' नहि निकलि रहल छलनि। ओ एकटा पुजारी रहथि, आ ओ ई देखाबए चाहैत छलनि जे यहूदी अगुवासबके लेल सार्वजनिकरुपस' बाहर निकलब सुरक्षित नहि अछि। ओ हमरा कहलनि, “हमसब एत' सेहो सुरक्षित नहि छी। हमरासबके परमेश्वरके भवनमे जा क' दुआरिके बंद क' क' ताला लगा देब' चाही, कारण लोक अहाँके मारि देबएके प्रयास क' रहल अछि। कोनो राति ओसब आबिक' अहाँके मारि देत।”11हम उत्तर देलिऐ, “हम काजस' भागि जाएबला व्यक्ति नहि छी! एकर अतिरिक्त हम शासक सेहो छी, आ सब हमरा चिन्हैत अछि, तएं मन्दिरमे नुकएबाक प्रयासस' हम अपन जान नहि बचा सकैत छी। हम एना नहि करब!”12अचानक हमरा बुझाएल जे परमेश्वर शमायाहके हमरालेल कोनो भविष्यवाणीके सन्देश नहि देने छथि। बल्कि ओ ई बात एहिलेल कहि रहल छलनि जे तोबियाह आ सम्बल्लत ओकरा एना कहएलेल घूस देने रहैक।13ओसब ओकरा विशेषरुपस' हमरा डेराबलेल घूस द' क' भाड़ापर' लेने रहैक। ओसब आशा करैत रहैक जे हमर जिम्मेवारी छोड़ा आ मन्दिरमे नुकाक' ओसब हमरास' पाप करा सकए। जं हम एना कएने रहितहुं, ओसब हमर प्रतिष्ठाके नाश क' क' बदनाम क' दितैक।14तएं हम प्रार्थना कएलहुं, “हे हमर परमेश्वर, तोबियाह आ सम्बल्लतके ठीक ओहिना करु जेना ओसब कएने छथि। भविष्यवादिनी नोअद्याह आ अन्य सब प्रवक्तासब जे हमरा डेराबएके प्रयास क' रहल छथि, ओकरोसबके ओहिना करु।”15हम एलूल महिनाके पचीसम् दिन ओहिपर काज कएलाक बाद बाबन दिनमे देवाल पुनर्निर्माण क' लेलहुं। 16जखन हमरसब शत्रुके पता चललनि जे हमसब एतेक कम समयमे पुनर्निर्माण पूराक' लेने छी त' ओकरासबके बुझाएल जे ई ओकर परमेश्वरके मदति स' कएने होएतै। एहिस' हमरा लगपासक देशके लोकसब बड़ डेरा गेलए।17एहि समयमे यहूदाके अगुवासब तोबियाहके बहुते चिट्ठी लिखक' हमरा विषयमे जानकारी दैत रहए, आ ओ ओकरासबके निर्देशन दैत चिट्ठी वापस पठाबि रहल रहए।18तोबियाहके विवाह समाजके एकटा शक्तिशाली आ प्रभावशाली सदस्य आरहके बेटा शकन्याहके बेटीस' भेल रहए। ओकर बेटा यहोहानानके विवाह बेरेक्याहक बेटा मशुल्लाम एक अन्य शक्तिशाली आ प्रभावशाली व्यक्तिक बेटीस' भेल रहए। तएं, यहूदामे बहुते लोक तोबियाहके प्रति निष्ठावान रहबाक शपथके मालिक बनौने रहैक।19जे व्यक्ति तोबियाहके प्रति वफादार रहए से लोकसब हमरालग आबिक' हमरा कहलक जे ओ कोन नीक काजसब क' रहल छलनि, आ तखन ओसब ओहिके जबाबमे हमर कहल बात ओकरा सूचना दैत छलनि। तोबियाह सेहो हमरा डेराबएके प्रयासमे कतेको पत्र पठएने छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.