Nehemiah13

1तब केओ लोकसबके परमेश्वर मूसाद्वारा देने व्यवस्थाके पुस्तक पढ़िक' सुनौलक। ओसब सिखलक जे व्यवस्था कहैत अछि जे परमेश्वरके आराधना करएलेल इजराएलीसब जं एकट्ठा होए त ओकरासबसंगे अम्मोनी वा मोआबीसब सामेल नहि होएबाक चाही। 2व्यवस्थामे ई बात कहल गेल छल किएक त' जहिया इजराएलीसब मिस्र छोड़िक' ओकरासबके इलाका दने जाएत रहैक त', अम्मोनी आ मोआबीसब कोनो भोजन आ पानि नहि देलक। बल्कि ओसब बिलामके पाइ द' क' बजौलक जे ओ इजराएलीसबके सराप दैक। मुदा हमरासबके परमेश्वर इजराएलके सराप देबएके ओहि प्रयासके आशीर्वादमे बदलि देलथिन।3ताहिके लेल लोकसब ओहि नियमके पालन कएलक। ओसब सबटा विदेशी लोकसबके इजराएली समुदायस' भगा देलक जेकर पूर्वज आन देशस' आएल रहए।
4एल्याशीब जहिया प्रधान पुजारी बनलनि त' ओ परमेश्वरके भवनके भंडार पर नियन्त्रण क' लेलनि। आ ओकर परिजन तोबियाह रहए।5ओ तोबियाहके एकटा नमहर कोठलीमे रह' के अनुमति देलनि, जाहिमे पुजारीसबके समान राखल जाइत रहए। एहिमे अन्नबली आ धूप, मन्दिरके वर्तनसब आ अनाज, दाखरस आ जैतूनके तेलके दसम भाग रहए। परमेश्वर लोकसबके आज्ञा देलनि जे ओकरासबके लेवीसब, गायकसब आ द्वारपालसब लग आनल जाए। पुजारीके भेंटी सेहो एहि कोठलीमे राखल जाइत छल।6हम ओहि समयमे यरूशलेममे नहि छलहुं, किएक त' अर्तक्षत्रके बत्तीसम् वर्षमे जहिया ओ बाबेलके राजा रहए त', हम की क' रहल छी, से राजाके सूचित करबाक लेल ओत' घुरिक' चलि। ओत' किछु समय रहलाके बाद हम राजास' कहलिऐ जे हमरा फेरु यरूशलेम जाएके अनुमति देल जाओ।
7जं हम यरूशलेम पहुंचलहुं त' हमरा बुझएमे आएल जे एल्याशीब परमेश्वरके भवनके इलाकामे तोबियाहके एहि कोठलीके उपयोग करबाक अनुमति द' क' दुष्टकाज कएने छै।8एहिस' हमरा बहुत दुख भेल। हम तोबियाहके सबटा समान कोठलीस' बाहर फेक देलियऐ।9तखन हम ओहि कोठलीके पुजारीसबके शुद्धीकरणके विधिके आदेश देलिऐ आ ओ फेरुस' एकरा शुद्ध क' देलकऐ। हम आज्ञा देलिऐ जे परमेश्वरके भवनके वर्तनसब, अन्नबली आ धूपके ओहि कोठलीमे जत रहए ओतहि फेरुस' राखल जाए।
10हमरा इहो जानकारीमे आएल जे मन्दिरके सेवाके जिम्मेवार गबैयासब आ आन लेवीसब यरूशलेम छोड़िक' चलि गेल छै। ओसब अपन खेतमे काज कर' घुरिगेल छै, कारण लोकसब ओकरासबके अपन फसलके दस प्रतिशत देब' बंद क' देने रहए, किएक त' तोबियाह भंडार पर कब्जा क' लेने रहए।11तब हम नगरके अधिकारीसबके डांटि देलिऐ। हम ओकरासबके कहलिऐ, “अहाँसब परमेश्वरके मन्दिरके काजके उपेक्षा कएलहुं!” तब हम लेवीसब आ गबैयासबके फेरुस' मन्दिरमे अनलहुं आ कहलिऐ जे अपन काज फेरुस' करु।12तखन सारा यहूदाके लोक अन्न, दाखमद्य आ जैतूनके तेलके दसम भाग मन्दिरके भंडारमे आन' लागल।13हम किछु पुरुषके भंडारके प्रभारी बना देलिऐ। ईसब रहए शेलेम्याह पुजारी, सादोक शास्त्री आ पदायाह लेवी। हम जक्कूरके बेटा हानान आ मत्तन्याहके पोताके सेहो ओकरासबके सहायता करबाक लेल नियुक्त कएलहुं। हम एहि पुरुषसबके एहिलेल नियुक्त कएलहुं जे सबके बुझल रहए जे ईसब विश्वासयोग्य होतैक आ अपन सहयोगीसबके निष्पक्षतापूर्वक भेंटी बांटि देत।
14हम प्रार्थना कएलहुं, “हे हमर परमेश्वर, हमरा एहिलेल आशीर्वाद दिअ।”
15ओहि दिन हम यहूदामे किछु लोकके देखलहुं जे विश्राम-दिनमे काज क' रहल रहए। किछुगोटे अंगूरक गाछक' दाखमद्य बनबैत रहए। दोसर लोक अपन अनाज ल' क' गदहापर लादि रहल रहए। दोसर लोकसब सेहो गदहापर दाखमद्यके बोरा, अंगूरक टोकरी, जैतून आओर बहुते किछु ल' क' विश्राम-दिनमे यरूशलेम आबि रहल रहए। हम ओकरासबके चेतावनी देलिऐ जे विश्राम-दिनमे यहूदियाके लोकसबके भोजनके समान नहि बेचू।16हम सोर शहरके किछु गोटेके देखलहुं जे ओसब यरूशलेममे रहैत रहए मुदा विश्राम-दिनमे यहूदाके लोकसबसंगे बेचि' लेल माछ आ आन बस्तुसब यरूशलेममे ल' जाइत छल।17तएं हम यहूदासबके मुखियासबके डांटि देलहुं। हम ओकरा कहलिऐ, “ई बहुत खराब काज अछि जे अहाँक' रहल छी! अहाँ विश्राम-दिनके एहन अपवित्र बना रहल छी जे परमेश्वर कहियो नहि चाहैत रहथि।18अहाँसब जनैत छी जे अहाँके पूर्वज सेहो एहने काज कएने रहए आ परमेश्वर एहि नगरके हमरासबके देशपर बहुत विपत्ति आनि देलथिन। मुदा आब अहाँसब विश्राम-दिनके अपवित्र बना रहल छी। अहाँ एकबेर फेरु इजराएलके राष्ट्र पर परमेश्वरके क्रोधित बना देबै। ओ हमरासबके आओर बेसी सजाए देथिन!”
19तएं हम द्वारपालसबके आदेश देलिऐ जे शुक्र दिन सांझमे अन्हार भेलापर शहरके प्रबेशद्वार बंद क' दिऔ। हम आदेश देलिऐ जे शनिदिन सांझ धरि द्वार नहि खुजए। हम अपन किछु आदमीके द्वारिपर सेहो राखि देलिऐ ई सुनिश्चित करएलेल जे शहरमे विश्राम-दिनके समयमे केओ बेचएलेल समान नहि आनए।20एक-दू बेर सब प्रकारके समान बेचएबला व्यापारीसब आ दोकानदारसब रातिमे विश्राम-दिन स' पहिने शहरके बाहर डेरा खसा देलकऐ एहि आशामे जे दोसर दिन किछु बेचब।21हम ओकरासबके चेता देलिऐ। हम ओकरासबके कहलिऐ, “शुक्रके रातिमे शहरके देवालस' बाहर डेरा देनाइ अहाँसबके लेल बेकार अछि। जं अहाँ फेरु एहिना करब त' हम अहाँके जबरदस्ती पकड़ि लेब!” तेकरबाद विश्राम-दिनमे ओसब नहि अएलनि।
22हम लेवीसबके सेहो आज्ञा देलिऐ जे ओसब अपनेके शुद्ध करथि, आ फेरु नगरके प्रबेशद्वार पर पहरा देथि। हम चाहैत छलहुं जे ओसब ई सुनिश्चित करथि जे विश्रामक दिन पवित्र राखल जाए ओहि पवित्र दिन व्यापारीसबके शहरमे प्रवेश नहि कर' देल जाए।
“हे परमेश्वर, हमरा सेहो एहिना कर' लेल आशीर्वाद दिअ! आ हमरापर दया करु, कारण अहाँ बहुत दयावंत छी।”
23ओहि दिनमे हमरा इहो बुझएमे आएल जे बहुते यहूदी पुरुष अश्दोदी शहरस' आ अम्मोनी आ मोआबी महिलास' विवाह कएने रहए।24तएं ओकरासबके बच्चासबमे स' अधिकांश विदेशी भाषा बजैत रहए आ इब्रानी भाषा बाजए' नहि अबैत रहए। ओसब ओएह विदेशी अशदोदी भाषा बजैत रहए जे ओकरेसबके माता-पिता बजैत रहए।25हम ओहि लोकसबके डंटलहुं। हम परमेश्वरस' आग्रह कएलहुं जे ओकरासबके सराप देथि। हम किछु गोटेके मुक्का ल' क' मारलिऐ। हम ओकरेसबके केश नोचि लेलिऐ। तखन हम ओकरासबके जबरदस्ती गम्भीर सपथ लिएलिऐ जे ई जानि लिअ जे परमेश्वर सुनैत छथि। हम ओकरासबस' प्रतिज्ञा करएलहुं जे आब ओसब अपन बेटीसबके विदेशी पुरुषस' विवाह नहि करत। हम ओकरासबके वचन देलिऐ जे ओ आ ओकर बेटासब परदेशी स्त्रीसबस' विवाह नहि करए।26हम ओकरासबके कहलिऐ, “अहाँसब जनैत छी जे मूर्तिके पूजा करएबला विदेशी स्त्रीसबस' विवाह क' क' इजराएलके राजा सुलैमान पाप कएलनि! अहाँसब जनैत छी जे ओ आन जातिके राजासबमे स' नामी रहए। परमेश्वर ओकरास' प्रेम कएलनि ओकरा इजराएलके राजा बनौलथि। मुदा ओकर विदेशी पत्नीसब सेहो ओकरा पाप करएलीह!27अहाँसबके विषयमे ई बात सुनि हमरा दुख होइत अछि! अहाँसब परदेशी पत्नीसबके विवाह कएने छी जे मूर्तिके पूजा करैत अछि। हमरासबके परमेश्वरके विरुद्ध अहाँसब बहुत पाप विश्वासघात कएलहुं!”
28एक आदमी जे योयादाके बेटा रहए आ प्रधान पुजारी एल्याशीबके पोता रहए, ओ होरोनी सम्बल्लत हमरासबके शत्रुके बेटीस' विवाह कएने रहए तएं हम ओहि पुरुषके यरूशलेम छोड़ि' लेल मजबूर कएलहुं।29हम प्रार्थना कएलहुं, “हे हमर परमेश्वर, ईसब पुजारीसब आ लेवीसबके करारके तोड़िक' पुजारीपदके लज्जित क' देने अछि। ओकरासबके जेना चाहैत छी तेना दण्डित करु!”30हम ओहि पुजारीसबके शुद्ध कएलहुं जे किछु आन देश आ धर्म स' आएल रहए, हम पुजारीसब आ लेवीसबके लेल सेहो नियम स्थापित कएलहुं जे ओसब जानि सकए जे ओकरासबमे केकरा कोन काज करबाक अछि।31हम लोकसबके लेल समय निर्धारीत कएलहुं जे बलिदानक वेदीपर जराब' लेल जरना आ भरि सालके सब फसलके पहिन भाग आनल जाए।
“हे परमेश्वर, अपने ध्यान दिऔ जे हम ईसब काज कएने छी, आ हमरा ईसब करएलेल आशीर्वाद दिअ।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67