Nehemiah12
1ईसब ओहि पुजारी आ लेवीसबके नाम अछि जे शालतीएलके बेटा जरुब्बाबेल आ प्रधानपूजारी येशुअके संग बेबिलोनस' घुरल छलनि। पुजारीसबके सरायाह, यिर्मयाह, एज्रा,2अमर्याह, मल्लूक, हत्तूश,3शकन्याह, रहूम, मरेमोत,4इद्दो, गिन्नतोई, अबिय्याह,5मिय्यामीन, माद्याह, बिल्गा,6शमायाह, योयारीब, यदायाह,7सल्लू, आमोक, हिल्किय्याह आ यदायाह। येशुअके दिनमे पुजारीसब आ ओकर भाइसबके मुख्य-मुख्य पुरुष, इहे सब रहए।8लेवी जे घुरिक' आएलमेस' येशुअ, बिन्नूई, कदमीएल, शेरेब्याह, यहूदा और मत्तन्याह रहए। मत्तन्याह आ ओकर संगीसब भजन गाबए' बला लोकसबके परमेश्वरके प्रति धन्यवाद देब' लेल अगुवाइ कएने रहैक।9ओकर संगी लेवी बकबुक्याह आ उन्नो आराधना सभामे ओकरासबके सामने ठाढ़ रहए आओर गीतसबके उतरामे गाबएबला गबैया दलके आगुवाई करैत रहए।10येशुअ प्रधान पुजारी योयाकीमके बाबु, योयाकीम एल्याशीबके बाबु आ एल्याशीब योयादाके बाबु रहए।11योयादा योनातानके बाबु आ योनातान यद्दूके बाबु रहए।12जखन योयाकीम प्रधान पुजारी रहनि, त' ई पुजारीसब अपन पन कुलके मुखिया रहए। मरायाह सरायाहके कुलके मुखिया रहए। हनन्याह यिर्मयाहके कुलके मुखिया रहए।13मशुल्लाम एज्राके कुलके मुखिया रहए। यहोहानान अमर्याहके कुलके मुखिया रहए।14योनातान मल्लूकीके कुलके मुखिया रहए। यूसुफ शबन्याहके कुलके मुखिया रहए।15अदना हारीमके कुलके मुखिया रहए। हेलकै मरायोतके कुलके मुखिया रहए।16जकर्याह इद्दोके कुलके अगुवा रहए। मशुल्लाम गिन्नतोनके कुलके अगुवा रहए।17जिक्री अबियाहके कुलके मुखिया रहए। पिलतै मिन्यामीनके कुलके मुखिया आ मोअद्याहके कुलके मुखिया रहए।18शम्मू बिल्गाके कुलके मुखिया रहए। यहोनातान शमायाहके कुलके अगुवा रहए।19मत्तनै योयारीबके कुलके मुखिया रहए। उज्जी यदायाहके कुलके मुखिया रहए।20कल्लै सल्लैके कुलके मुखिया छल। एबेर आमोकक कुलके मुखिया छल।21हशब्याह हिल्किय्याहके कुलके मुखिया रहए। नतनेल यदायाहके कुलके मुखिया रहए।22एल्याशीब, योयादा, योहानान आ यद्दू प्रधान पुजारीसबके समयमे किछु शास्त्रीसब लेवीसबके कुलके मुखियासबके नाम लिखलकए। फारसी राजा दाराके समयमे ओसब पुजारीके कुलके मुखियाके नाम लिखलकए।23शास्त्री एल्याशीबके बेटा प्रधान पुजारी योहानानके समय धरि लेवीके कुलके मुखियाके नाम अपन अभिलेख पुस्तकमे दर्ज क' लेलकए।24हशब्याह, शेरेब्याह आ कदमीएलके बेटा येशुअ लेवीके अगुवा रहए जे एक गायन दलके निर्देशन करैत रहए। गबैयासब एक-दोसरके आगु ठाढ़ भ' क' परमेश्वरके स्तुति आ धन्यवाद देलक। राजा दाऊद, ओ एहन आदमी छलथि जे निष्ठापूर्वक परमेश्वरके सेवा करैत छलथि, ओहे एना कर' के निर्देशन देने रहथि।25मत्तन्याह, बकबुक्याह, ओबद्याह, मशुल्लाम, तल्मोन आ अक्कूब द्वारपाल रहए। फाटक लगके भंडारके पहरा दैत ठाढ़ रहए।26ओसब ओ काज ओहि समयमे कएलक जहिया येशुअके बेटा आ योसादाकके पोता योयाकीम प्रधान पुजारी रहए। ओसब ई काज फेरु ओहि समयमे कएलक जहिया नहेम्याह राज्यपालके रुपमे सेवा करैत छलनि आ एज्रा पुजारी आ शास्त्रीके रुपमे सेवा करैत छलनि।27जं हम यरूशलेमके चारुकातके देवालके समर्पित कएलहुं, त' हमसब लेवीसबके ओहि सब ठामस' बजाब' लेल पठएलहुं जत' ओसब रहैत रहए। हमसब ओकरासबके यरूशलेम अनलहुं जे ओसब आनन्दित होथि आ धन्यवाद देथि आ झालि, सारंगी, अन्य तार वाद्ययंत्र बजाक' गाबि देवालके समर्पित करएमे मदति करथि।28हमसब ओहि लेवीसबके बजएलहुं जेकरसबके एकसंग गीत गाबएके लूरि रहए। ओसब यरूशलेमके लगपासक क्षेत्रस' आएल रहए, जत' ओसब शहरके चारुकात बैसि गेल रहए। ओसब सेहो नतोपा गामके लगपासक सबठाम जे यरूशलेमस' दक्षिण-पूर्वमे रहए ओत' स' आएल रहैक।29ओसब उत्तर-पूर्वमे तीनू ठाम यरूशलेम, बेतगिलगाल आ गेबा अज्मावेतके लगपासक इलाकास' सेहो आएल रहए। ओ गबैयासबके हमसब बजएलहुं किएक त' ओसब यरूशलेमके लगमे रह' लेल एकटा गाम बनएने रहैक।30पुजारीसब आ लेवीसब अपनाके परमेश्वरके लेल शुद्धीके विधि कएलनि। तब ओसब आओर लोकसबके, फाटकसबके आ नगरके देवालके शुद्ध करएबला विधि कएलनि।31तब हम यहूदाके अगुवासबके देवालके उपरमे जमा कएल। हम ओकरासबके दूटा नमहर दलके अगुवाइ करबाक लेल नियुक्त कएलहुं, जे परमेश्वरके धन्यवाद दैत देबालपर शहरके चारुदिस जुलूस करितै। जहिना ओसब शहर दिस घुमलनि त' एकटा दल दहिनाकात कूड़ा फाटक दिस बढ़लए।32होशायाह आ यहूदाके आधा अगुवासब ओहि समूहके पाछुक जुलूसमे निकलि गेलए।33ओहि समूहसंगे जुलूसमे भाग लेनिहारमे अजर्याह, एज्रा, मशुल्लाम,34यहूदा, बिन्यामीन, शमायाह आ यिर्मयाह रहनि।35पुजारीसबके किछु बेटा बाजा बज' बैत रहए ओसब ओहि समूहसंगे जुलूस करैत रहए एहिमे योनातानके बेटा जकर्याह रहए, जे शमायाहके बेटा, मत्तन्याहके बेटा, मीकायाहके बेटा, आसापके बेटा, जक्कूरके बेटा रहए।36जकर्याहके किछु सहयोगीसब सेहो जुलूस निकाललक आ बाजा बजबैत रहए। ओसब शमायाह, अजरेल, मिललै, गिललै, माऐ, नतनेल, यहूदा आ हनानी रहए। ओसब ओहने बाजा बजा रहल रहए जे राजा दाऊद लेने रहथि, जे बहुत निष्ठापूर्वक विश्वासयोग्यताके साथ परमेश्वरके सेवा कएने रहथि, लेवी संगीतकारसबके कतेको वर्ष पहिने बजाबएलेल कहने छलथि। एहि दलके आगु शास्त्री एज्रा जुलूस ल' क' चललए।37जखन एहि दलके आदमीसब सोता फाटकपर पहुंचलए त' ओसब सिरहीपर चढ़ि गेलए दाऊदके शहरके नामस' जानल जाएबला इलाका जे आब ओकरासबके सोझा छल। तखन ओसब दाऊदके राजकीय महलके स्थानस' गुजरिक' देवालके उपर धरि पहुंचलए, आ फेरु पुर्व दिस मन्दिरके कातमे जलफाटक धरि पहुंचलए।38जे गाबि रहल रहए आ यहोवाके धन्यवाद द' रहल रहए ओकर दोसर दल बामा कात देवालके उपर जुलूस निकालि लेलक। हम आधा लोकके संग ओकरासबके पाछु-पाछु चललहुं। भट्ठीके बूर्ज स' चौड़ा देवाल धरि जुलूस कएलहुं।39ओत' स' इफ्राइमके फाटक, पुरना फाटक, माछ नामके फाटक, हननेलके बुर्ज आ सय सैनिकके बुर्जस' भेंड़ा नामक फाटक दिस बढ़लहुं। हमसब ओहि दुआरिपर पहुंचक' जुलूस समाप्त कएलहुं जे मन्दिर क्षेत्र दिस जाइत अछि।40दुनू दल धन्यवाद दैत गबैत परमेश्वरके भवनमे पहुंचलए। ओसब अपन अपन स्थानपर ठाढ़ भ' गेल। हम ओत' शहरके आधा अधिकारीसबके संग जे हमरासंग आएल रहए।41हमर दलमे एल्याकीम, मासेयाह, मिन्यामीन, मीकायाह, एल्योएनै, जकर्याह आ हन्नायाह नामके पुजारी रहए। सब तुरही बजाबि रहल रहए।42आ दोसर लोक जे तुरही बजा रहल छल से मासेयाह, शमायाह, एलीआजर, उज्जी, यहोहानान, मल्किय्याह, एलाम आ एजेर रहए। गायकसब यिज्रह्याहके संग गबैत रहए जे ओकरासबके अगुवा रहए।43ओहि दिन लोकसब बहुते बलि चढ़एलनि। ओसब आनन्दित भेलए, कारण परमेश्वर ओकरासबके बहुत प्रसन्न कएने छलथि। पुरुषके संगे-संगे महिला आ बालबच्चासब सेहो आनन्दित भेलए, जाहिस' यरूशलेममे उत्सवके आवाज एतेक जोरस कएने रहैक जे दूर-दूर धरि सुनाइ दैत रहए।44ओहि दिन हमसब भंडारके रखबार लोकसबके नियुक्त कएलहुं। ई ओ स्थान छल जत' पुजारीसब पाइ आ भोजन आ अनाज आ दसम भाग, भेट रखैत रहए। लोकसब एहिसबके शहरसब लगके खेतसबस', पुजारीसब आ लेवीसबके लेल भंडारस' अनलकनि, जेना मूसाके व्यवस्थामे आज्ञा देल गेल रहए। यहूदाके लोकसब ईसब एहिलेल कएलक जे ओसब मन्दिरमे सेवा करएबला पुजारीसब आ लेवीसब स' बहुत हर्षित रहए।45पुजारीसब आ लेवीसब सबकिछुके शुद्ध करबाक लेल विधि करैत परमेश्वरके सेवा करैत रहए। गबैया आ द्वारपाल सेहो अपन काज करैत रहए जेना राजा दाऊद आ हुनकर बेटा सुलैमान घोषणा कएने छलथि।46हमसब ईसब काज कएलहुं किएक त' पहिने एहि तरहे होइत रहए, जं दाऊद राजा छलथि आ आसाप मन्दिरके संगीतकारके रेखदेख करएबला रहए। गायकसबके नेतृत्व केओ रहए, आ ओसब परमेश्वरके स्तुति आ धन्यवादके गीत गबैत रहए।47जाहि समयमे जरुब्बाबेल राज्यपाल रहए, ओहि समयमे इजराएलके सबलोक ओहि भोजनमे योगदान दैत रहए जे गायक आ मन्दिरके द्वारपालसबके प्रतिदिन आवश्यक रहए। जहिया नहेम्याह राज्यपाल रहए त' ओसब सेहो एहने कएलक। ओसब अपन फसलके दसम भाग अलग क' क' लेवीसबके देलक, आ लेवीसब पुजारीसबके देलक जे पहिन प्रधान पुजारी हारूनके वंशज रहए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.