Esther1
1ई ओहि समयमे भेल रहए जहिया फारस देशपर क्षयर्ष नामक राजा शासन करैत छलथि। एहि राजाक साम्राज्यमे एक सय सताइस प्रान्त छल। ई भारत आ इथियोपिया बीचके क्षेत्र पड़ैत छल। 2ओहि समयमे राजा क्षयर्ष अपन साम्राज्य फारसक राजधानी शूशनस' सत्ताके सिंहासनस' शासन करैत छलाह। 3तेसर वर्षमे, जहिया क्षयर्ष अपन साम्राज्यपर शासन करैत छलाह, तखन ओ अपन सब अधिकारी आ हुनकालेल काज करएबला महत्वपूर्ण व्यक्तिके लेल भोज कएलनि। ओ धनीक आ जमिन्दारसबके सेहो नौतलनि ओहिसंगे प्रान्तके अधिकारीसब आ ओहू अधिकारीसबके जे फारस आ मादै राज्यके एकीकृत सेनामे सेवारत छलथि। भोजक आगत-भागत करबाक लेल राजा स्वयं ओतए उपस्थित छलाह।4क्षयर्ष अपन अतिथिसबके भव्य मनोरंजन करबैत रहथि कारण ओ ई प्रदर्शित करए चाहैत छलाह जे हुनकर राज्य बहुत समृद्ध अछि आ ओ बहुत धनीक आ शक्तिशाली राजा छथि। जत छौ मासधरि भोज चलैत रहल।5ओहि छौ मासक अन्तमे, भोज समाप्त भेलाक बाद, राजा फेरु दोसरो भोज कएलथि। ई भोज शूशनक साम्राज्य लोकसबके लेल रहए, जाहिमे धनीक आ गरीब दुनू सामेल छल। भोजक आयोजन ओ अपन महलक बगीचामे कएलथि। भोज एक सप्ताह धरि एहिना चलैत रहल।6आंगनमे संगमरमरके खम्हापर चानीके औंठीबला उज्जर आ बैगनी रंगके डोरीपर उज्जर आ नील रंगके पर्दा लटकल छल। सोना-चानीक बनल सोफापर पाहुनसबके बैसाओल गेल छलथि। ईसब लाल संगमरमर, उज्जर संगमरमर आ मोतीस' बनल मोजेक फर्शपर पड़ल छल आ एकर सीमा कारी संगमरमरस' गछेरल छल।7परिचरसब उपस्थित लोकसबके सोनाके' प्यालामे दाखमद्य परसलनि। आ ओहिमेके कोनो प्याला एक समान नहि छल। राजाक अपन राज्यके दाखमद्य पाहुनलेल बेसी मात्रामे उपलब्ध छल।8राजा क्षयर्ष अपन पाहुनसबके एकटा विशेष सौभाग्य देने छलथि। ओ ई नियम लगौलनि जे परिचर लोकनिके दाखमद्य परोसबा काल ई पालन करबाक चाही: “जं केओ दाखमद्य नहि पिबए चाहैत अछि त' ओकरा पिबहि पड़तसे जरुरी नहि अछि।” पाहुनसब जतेक चाहथि ततेक कम पीबि सकैत छथि।9जखन राजा दरबारमे पुरुषसबके मनोरंजन करबैत छलाह, रानी वशती, महिलासबके लेल भोजक आयोजन क' रहल छलीह। ओ एहिके राजमहलक भीतर आयोजना कएलीह जत राजा क्षयर्ष रहैत छलाह।10सातम दिन जखन राजा क्षयर्षके दाखमद्य पीबिक बहुत नीक लागि रहल छलनि, तखन ओ टहल करएबला सातो गोटेके बजौलनि, जे हुनक व्यक्तिगत रुपस' सेवा करैत छल। एकरासबके नाम रहैक महुमान, बिजता, हर्बोना, बिगता, अबगता, जेतेर आ कर्कस। 11रानी वशती बहुत सुन्दरि नारी छलीह। क्षयर्ष राज दरबारमे सेवारत लोक आ अधिकारीसबके ई देखाबए चाहैत छलथि जे ओ कतेक सुन्दरि छलीह। तएं राजा अपन सातगोट निजी सेवकके कहलनि नि जे रानी वशतीके अपनालग बजाओल जाए। ओ हुनकासबके राजमुकुट पहिराबएलेल सेहो12मुदा जखन नपुंसकसब आबि रानी वशतीके राजाक आदेश सुनौलनि त' ओ आबएस' अस्वीकारक' देलनि। नपुंसकसब एहि बातक सूचना राजाके देलनि, आ राजा बहुत क्रोधित भ' गेलाह।13राजाक आदति छलनि जे किछु सलाहकारसबस' सलाह लैत छलाह, जे कानूनके जनैत छलाह आ नीक निर्णय ल' सकथि। तएं ओ सलाहकारसबस' बातचित कएलनि जे काज करबाक सही तरीका जनैत छलाह।14राजाक निकटतम सलाहकारमे कर्शना, शेतार, अदमाता, तर्शीश, मेरेस, मार्सना, आ ममुकान छलाह। फारस आ मादैके ई सातो अधिकारी अलग-अलग स्थानक छलथि। ओ व्यक्तिगत रुपस' राजाके सलाह देलनि। साम्राज्यक सबस' शक्तिशाली अधिकारी छलथि।15राजा हुनकासबके कहलनि, “हम, क्षयर्ष ओहि नपुंसकसबके रानी वशती लग आदेश संग पठा देने छलहुं, मुदा ओ हमर बात नहि सुनलीह। हमरासबके कानूनक अनुसार रानीक संग की करबाक चाही?”16तखन ममुकान राजाके उत्तर देलनि, ओ बजलाह, “रानी वशती राजाक संग मात्रे नहि, ओहि सब प्रान्तके अधिकारी आ लोकक समूहक संग सेहो गलत काज कएने छथि जत राजा क्षयर्षक शासन अछि।17आब एहन होएत। रानीक काज पूरा राज्यके महिलासब सुनत। ओसब कहतीह, ‘राजा क्षयर्ष अपन नोकरसबके आदेश देलथिन जे रानी वशतीके हुनकालग ल' जएबाक चाही, मुदा ओ नहि आएल छलीह! तएं यदि रानी सेहो राजाक बातके अवज्ञा क' सकैत छथि त' हमरोबके अपन पतिक बात किएक मानबाक चाही?’ तखन स्त्रीगण अपन पतिसबहक आदर करब छोड़ि देतीह।18एतधरि जे आइ जखन फारस आ मादैके प्रमुख महिलासब ई सुनतीह जे रानी की कएने छलीह। ओहोसब अपन पतिसबहक आज्ञा नहि मानए लगतीह, जखन ओसब राजाक अधिकारी छथि। ओसब हुनकासबहक संग अनादर व्यवहार करैत छथि, आ एहिस' हुनकर पतिसब हुनकासबपर क्रोधित भ' जएताह। ई अपने-आपमे बहुत खराब होएत।19आ यदि जं एहिमे अहाँके प्रसन्नता होइत अछि, त' हे राजा, तखन अपने व्यक्तिगत रुपस' एकटा राजकीय आज्ञा जारी कएल जाए आ ओकरा फारस आ मादिके नियममे जोड़ि देल जाए, जेकरा केओ नहि बदलि सकैत अछि। जे वशती कहियो फेरु अहाँ क्षयर्षके सोझा नहि आबि सकए। तखन अहाँके अपन रानी बनएबाक लेल कोनो आने महिलाके चुनबाक चाही, जे अहाँक बात मानि सकए।20एहि तरहे, यद्यपि अहाँक राज्य विशाल अछि, मुदा ओहिमे सब लोक अहाँक राजत्वक विषयमे सुनत आ ई जानि सकए जे जं कोनो पत्नी अपन पतिक आज्ञा नहि मानत त' ओकरा तलाक द' सकैत अछि, जेना अपने वशतीक संग कएने रही। तखन सब स्त्रीगण अपन पतिके आदर करतीह आ हुनकर बात मानतीह। साम्राज्यक सबहे पतिक लेल ई बात सही रहत।” 21ई राजा आ हुनक अधिकारीलोकनिक नीक विचार बुझाति छलनि। तएं राजा क्षयर्ष ममुकानक सलाहके पालन कएलथि।22राजा अपन साम्राज्यक सब प्रान्तमे पत्र पठौने छलाह। ओ प्रत्येक प्रान्तके अपन वर्णमाला आ प्रत्येक लोकक समूहक अपन भाषाके प्रयोग क लिखने छलाह। चिट्ठीमे लिखल छल जे पुरुषके अपन पत्नी आ बच्चाक संरक्षक बनबाक चाही। ओ इहो कहलनि जे पतिके पत्नीक ओकर मातृभाषामे आदेश देबएमे सक्षम होएबाक चाही आ ओकरा बुझबाक चाही आ ओकर पालन करबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.