Matthew9

1तब यीशु आ हुनका चेलासब ओहि नावपर बैसि गेलथि। ओसब झीलमे नाव चलाक चलि दोसर नगरमे गेलथि। 2किछु लोकसब हुनकालग एकटा लकवा मारने मनुष्यके ल' क' आएल जे बिछाओनपर पड़ल छल। जखन यीशु बुझि गेलथि जे ओसब हुनकापर विश्वास करैत छथि, ओ ओहि मनुष्यके चंगा क' सकैत छथि, ओ ओकरा कहलखिन, “हे युवक, साहस करु! हम अहाँके पापसब क्षमाक' दैत छी।”3किछु लोकसब जे शास्त्री छल से अपमान कहलनि, “ई मनुष्य सोंचैत अछि जे ओ परमेश्वर छथि; ओ पापसब क्षमा नहि करए सकैत छै। ई परमेश्वरके निन्दा करैत अछि!”4यीशु जानि गेलथि जे ओसब की सोंचैत अछि, तएं ओ कहलखिन, “अहाँसब दुष्ट बात नहि सोंचू!5की हलुक अछि, ओकर पापसब क्षमा भ' गेल से कहब वा उठू आ चलि जाउ से कहब?6तएं हम किछु करए जाइछी जाहिस' अहाँसब बुझि सकी जे मनुष्यक पुत्र, पृथ्वीपर पापसब क्षमा करबाक परमेश्वर हमरा अधिकार देने छथि।” तखने ओ ओहि लकवा मारने व्यक्तिके कहलखिन, “उठू, अपन बिछाओन उठाउ, आ अपन घर जाउ!”7तुरन्ते ओ मनुष्य बिछाओन उठएलनि, आ घर चलि गेल!8जखन भीड़ एहन देखलक, ओसब भयभीत भ' गेल। ओसब लोकसबके एहन अधिकार देबाक लेल परमेश्वरके प्रशंसा कएलनि।
9जेना यीशु ओतएस' दोसर ठाम जाइत छलथि, ओ मत्ती नामक व्यक्तिके देखलनि। ओ कर असूल करएबला स्थानपर बैसल छल जत स' ओ रोमी सरकारके लेल कर उठबैत छल। यीशु ओकरा कहलखिन, “हमरा पाछु आउ आ हमर चेला बनि जाउ!” तएं मत्ती उठिक आ हुनका पाछु लागि गेल।10यीशु आ हुनक चेलासब भोजनक लेल एकटा घरमे बैसि गेलथि। जखन ओसब भोजन करैत छलथि, बहुते कर उठाबएबलासब आ आओर पापीसब आबिक' आ हुनकासबसंगे खएलनि। 11जखन किछु फरिसीसब ई देखलनि, त' ओसब चेलासब लग जा' क' कहलनि, “ई कतेक खराब बात अछि जे अहाँके गुरु कर उठाबएबला आ ओहने पापीसबसंगे भोजन करैत अछि आ संगत करैत अछि।”12ओसब जे कहलनि से यीशु सुनि लेलखिन, तएं ओ ओकरासबके ई दृष्टान्त कहलखिन: “जे लोक स्वस्थ अछि तेकरा नहि बल्कि जे बेमार अछि तेकरा वैद्यके आवश्यकता अछि।13धर्मशास्त्र की कहैत अछि से अहाँसबके सिखाएब आवश्यक अछि, ‘हम चाहैत छी जे लोकसबसंगे कृपापूर्ण व्यवहार करु मात्र बलिदान नहि चढ़ाउ।’ ई बात मनमे राखू जे हम अहाँसबलग अएलहुं, ओहन लोकके बजाबए मात्र नहि आएल छी जे स्वयंके धर्मी सोंचैत अछि, मुदा पापीसबके बजाबए आएल छी जे हमर चेला बनैक।” 
14एकदिन, बपतिस्मा देनिहार यूहन्नाके चेलासब यीशु लग आएल आ हुनकास' पुछलनि, “हमसब आ फरिसीसब प्राय परमेश्वरके प्रसन्न करबाक लेल उपास करैत छी, मुदा अहाँके चेलासब एना नहि करैत अछि। ओसब किएक नहि ओना करैत अछि?”15यीशु उत्तर देलथिन, “जं वर विवाह भवनमे बरातीके संग रहैत अछि, त' बरातीसब शोक मनबैत अछि? नहि, ओहि समय ओसब दुखित नहि होइत अछि। मुदा जखन वर ओकरासबस' दूर चलि जाइत अछि, त' ओसब उपासमे रहत, किएकत' ओसब दुखित रहत।”
16लोकसब पुरना वस्त्र फटलाहा भूंड़मे नव वस्त्रके पेउन नहि लगबैत अछि। यदि ओसब एना करत त', जखन ओसब वस्त्रके धोक', पेउन उखारिक' आ ओहि वस्त्रके आओर फाड़ि देत, आ ओ भूंड़ आओर नमहर भ' जाएत।17जं केओ टटका अंगूरक रस पुरना चमड़ाक थैलीमे रखैत अछि। यदि केओ एना करत त', ओ चमड़ाक थैलीसब फाटि जाएत जखन ओ रस मद्य बनत। ओसब रस थैलीमेस' बेबालि भ' जाएत, आ मद्य सेहो भुइयांमे चुबि जाएत। बल्कि, लोक नव मद्य नव थैलीमे रखैत अछि आ रस जखन मद्य बनत त' थैली नमरि जएतैक। एहि तरहें, मद्य आ थैली दुनू सुरक्षित रहि जाएत।
18जखन यीशु ई बातसब कहैत छलथि, नगरके एकटा यहूदी अगुवा आएल आ हुनका आगु झुकि गेल। ओहिके बाद ओ कहलनि, “हमर बेटी अखिने मरि गेलीह! मुदा यदि अहाँ आबिक' आ अपन हाथ ओकरापर ध' देबनि, त' ओ फेरुस' जीवित भ' जएतीह!”19एहिलेल यीशु उठि गेलाह, आ ओ हुनकर चेलासब ओहि मनुष्य संगे चलि गेलथि।20तखन ओ स्त्री जे बारह वर्षस' अनवरत लेहू बहबाक बेमारीस' पीड़ित छलीह से यीशु लगमे आबि गेलीह। ओ हुनक पाछुस' अएलीह आ हुनक वस्त्रके खूंट छुबि लेलीह।21ओ स्वयंके कहने छलीह, “यदि हम हुनक वस्त्रके एकटा खूंट छुलेब त' हम चंगा भ' जाएब।”22तखन यीशु पाछु घुमिक देखलनि जे के हमरा छुलथि। जखन ओ ओहि स्त्रीके देखलनि, त' ओकरा कहलखिन, “साहस करु, हे नारी। किएकत' अहाँ विश्वास कएलीह जे अहाँ चंगा भ' सकैत छी, हम अहाँके चंगा क' देने छी।” ओ स्त्री ओहि क्षण चंगा भ' गेलीह।
23यीशु ओहि शासकके घर अएलथिन आ देखलनि दफनके लेल बौसली बजाबएबलासब शोक धुन बजा रहल अछि; ओ बहुते रोदन पसारएबला सब जोर-जोरस' कनैत छल किएकत' ओ बचिया मरि गेल छलीह।24ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब चलि जाउ आ शोक धुन नहि बजाउ आ कानब बंद करु, किएकत ई बचिया मरल नहि अछि! ओ मात्र सुतल अछि!” लोकसब हुनका बातपर हंसए लागल, किएकत' ओसब जनैत छल जे ओ बचिया मरि गेल छलीह।25मुदा यीशु ओकरासबके घरस' बाहर जाए कहलखिन। तेकर बाद ओ कोठली गेलथि जत ओ बचिया छलीह। ओ ओकर हाथ पकड़ि लेलखिन आ ओ फेरुस' जीवित भ' गेलीह आ उठि गेलीह।26आ ओहि सारा क्षेत्रके सबलोक एहि विषयमे सुनलक।
27जहिना यीशु ओतएस' चलि गेलाह, दूटा अन्हार व्यक्ति हुनका पाछु-पाछु चलए लागल आ चिचिआक' कहलकनि, “हे राजा दाऊदके वंशज! हमरासबपर दया करु आ हमरासबके चंगा क' दिअ।”28यीशु एकटा घरमे गेलथि, आ तखन ओ अन्हार मनुष्यसब सेहो भितरीमे सेहो गेल। यीशु ओकरासबके कहलखिन, “अहाँसब विश्वास करैत छी हम अहाँसबके चंगा क' सकैत छी?” ओसब हुनका कहलनि, “हं, प्रभु!”29तखन ओ ओकरासबके आंखिके छुबि देलथिन आ ओकरासबके कहलखिन, “किएकत' अहाँसब विश्वास कएलहुं जे हम अहाँके आंखि चंगा क' सकैत छी, हम अहाँके एखने चंगा क' दैत छी!”30आ ओसब आब देख सकैत छल! तखन यीशु ओकरासबके डांटिक' कहलखिन, “निश्चित करी जे ई बात अहाँसबके केकरो नहि कहबनि जे हम अहाँसबहक लेल की कएलहुं!”31मुदा ओसब बाहर गेल आ अपन देश क्षेत्रमे सब जगह एहि खबरिके पसारि देलनि।
32जेना ओ दुनू मनुष्य ओतएस' जाइत छल, किछु लोकसब यीशुलग एकटा एहन लोकके ल' क' आएल जे बाजएमे सक्षम नहि छल किएकत' ओकरा कोनो दुष्टात्मा लागल छल।33यीशु ओकरामेस' दुष्टात्मा भगएलाके बाद, ओ मनुष्य बाजए लागल! भीड़ ई देखलक आ सब अचम्भित भ' गेल आ कहलकनि, “इजराएलमे भेल एहन अचरजके बात कहियो नहि देखने छलहुं!”34मुदा फरिसीसब कहलकनि, “ई शैतान अछि, जे दुष्टात्माके शासक अछि, जे लोकसबमेस' दुष्टात्मा भगाबए एहि मनुष्यके योग्य करैत अछि।”
35तेकर बाद यीशु अपन चेलासबहक संग गलीलके बहुत नगर आ गामसबमे गेलथि। ओ सभाघरसबमे सिखबैत आ स्वर्गस' परमेश्वरके शासनके विषयमे सुसमाचार प्रचार करैत छलथि। ओ ओहन लोकसबके चंगा सेहो करैत छलथि जेकरा भिन्न-भिन्न रोग आ बेमारी लागल छल।36जखन ओ लोकसबके एकटा भीड़ देखलनि, ओ ओकरासबपर दया देखएलथि किएकत' ओसब बेसी दुखित आ परेशान छल। ओसब एहन भेंड़ जकां छल जेकरा कोनो रखबार नहि होइक। 37तेकरबाद ओ अपन चेलासबके कहलथि, “ई लोकसब हमर सन्देश ग्रहण करबाक लेल तैयार छै जेना कटनी करबाक लेल कोनो खेतक अन्न पाकि गेल होइक। मुदा खेत कटनिहार लोकसबके अछि।38तएं प्रभु परमेश्वरसंगे प्रार्थना करु आ मांगू जे ओ अपन बालि काटएलेल बहुत मजदूरसबके पठा दिए।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67