Matthew8

1जखन यीशु पहाड़स' नीचा गेलथि, तखन एकटा बड़का भीड़ हुनका पाछु चलए लागल।2भीड़ सबस' यीशु चलि गेलाकबाद, तखने एकटा मनुष्य आएल जेकरा छालाके रोग लागल छल से आएल आ हुनका आगु ठेहुनियां दैत अभिवादन कएलक। ओ यीशुके कहलकनि, “प्रभु, हमरा कोढ़िस' चंगा क' दिअ, किएकत' हम जनैत छी जे यदि अहाँक इच्छा अछि, त' अहाँ हमरा चंगा क' सकैत छी।”3तखन यीशु अपन हाथ बढ़ाक' ओहि कोढ़ि फुटल मनुष्यके छुबि देलथिन। ओ ओकरा कहलनि, “अहाँ चंगा भ' जाउ से हम चाहैत छी, आ हम अहाँके चंगा करैत छी!” तुरन्ते ओ मनुष्य अपन बेमारीस' चंगा भ' गेल।4तखन यीशु ओकरा कहलखिन, “ई निश्चित करु जे हम अहाँके चंगा कएलहुं से पुजारी छोड़ि केकरो नहि कहबनि। तेकरबाद, यरूशलेमक मन्दिरमे जाउ आ मूसा आज्ञा देने अनुसारके चढ़ौना चढ़ाउ जाहिस' लोकसब एहि विषयमे गवाही होइक।” 
5जखन यीशु कफरनहूम नगरमे गेलथि, एकटा रोमी अधिकारी जेकरा अधीनमे सयटा सिपाही छल ओ व्यक्ति यीशु लग आएल। ओ यीशुस' ओकरा मदति करबाक लेल विनती कएलनि।6ओ हुनका कहलनि, “प्रभु, हमर दास घरमे बिछाओनपर पड़ल अछि आ ओकरा लकवा मारने अछि, आ ओकरा बड़ दर्द भ' रहल अछि।”7यीशु ओकरा कहलखिन, “हम अहाँके घरे जा' क' आ चंगा क' देबै।”8मुदा अधिकारी हुनका कहलनि, “यौ प्रभु, अहाँ हमर घरमे आएब ताहिके योग्य हम नहि छी। बल्कि, अहाँ आज्ञा द' दिऔ जे अहाँक दास चंगा भ' गेल, आ तखन ओ चंगा भ' जएतैक।9हमरासंगे एहने होइत अछि। हम एकटा सिपाही छी; हमरा अपन कप्तानके आदेश मानए पड़ैत अछि आ हमरो अधीनमे किछु सिपाही अछि जे हमर आदेश मानैत अछि। जखन हम ओकरासबमे केकरो कहैत छी, ‘आउ!’ ओ अबैत अछि। दोसरके कहैत छी, ‘जाउ!’ ओ जाइत अछि। जखन हम अपन दासके कहैत छी, ‘ई काज कर!’ ओ करैत अछि।”10जखन यीशु ई सुनलखिन, ओ अचम्भित भेलथि। ओ भीड़के कहलखिन जे हुनकासंग चलैत छल, “हम अहाँके सत्य कहैत छी: हम एहन व्यक्ति नहि भेटल छलहुं जे केओ हमरापर एहि गैर-यहूदी जेहन विश्वास करैत होइक। इजराएलमे नहि, जत हम लोकसबके एहन विश्वास करए से अपेक्षा करैत छी, की हमरा एहन केओ भेटल अछि जे केओ एतेक विश्वास हमरापर करए!11हम अहाँके सांच्चे कहैत छी जे बहुते गैर-यहूदी लोकसब हमरापर विश्वास करत, आ ओसब बेसी दुराहुत देश, एतधरि जे सुदूर पूर्व आ सुदूर पश्चिमके देशस' सेहो आओत, आ ओसब अब्राहम, इसहाक, याकूबसंगे भोजमे बैसल जहिया परमेश्वर स्वर्गस' सबकिछुपर पूर्णरुपस' शासन करथिन।12मुदा यहूदी जे शासन करए से परमेश्वरके आशय छलनि, ओ ओकरासबके नरकमे फेक देथिन, जत बिलकुल अन्हार होइत अछि। ओसब ओतए कष्ट होएबाक कारण कानत, आ ओकरासबके बेसी दर्द भेलास' दांत पिसत।”13तेकरबाद यीशु ओहि रोमी अधिकारीके कहलखिन, “अहाँ अपन घर जाउ। जेना अहाँक विश्वास अछि ओहिना होएत।” तखन ओ अधिकारी अपन घर चलि गेल आ ओ अपन दासके ओहि समय चंगा भ' गेल देखलनि जखन यीशु कहने छलथि जे ओ चंगा भ' जाएत।
14जखन यीशु आ हुनक किछु चेलासब पत्रुसके घर गेलाह, यीशु पत्रुसके सासुके देखलनि। ओ बिछाओनपर पड़ल छलीह किएकत हुनका बोखार लागल छलनि।15ओ हुनक हाथ छुलथि, आ तुरन्ते हुनक बोखार उतरि गेलनि। तखन ओ उठिक' हुनकासबके किछु खाएलेल द' क' सेवा-टहल कएलीह।
16ओहि राति जं विश्रामक दिन समाप्त भेल, भीड़ बहुते गोटेके यीशु लग ल' गेल जेकरा दुष्टात्मा लागल छल, आ जेसब बेमार छल। ओ ओकरासबमेस बाजएस' दुष्टात्मा नियन्त्रित देलथिन, ओसब रोगीके चंगा क' देलथिन।17जं ओ एना कएलखिन, प्रवक्ता यशायाह लिखने बात सांच भेल, “ओ अपनासबके बेमारीसबके अपना उपर ल' लेलकनि।” 
18यीशु अपन चारुभर भीड़के देख चेलासबके आदेश देलथिन जे झीलके काते-काते ओहिपार जाएलेल एकटा नाव तैयार करए।19जेना ओसब ओमहर नाव दिस चलैत छलथि, एकटा मनुष्य जे शास्त्री छल से हुनकालग आबि कहलनि, “गुरुजी, अहाँसंगे अहाँ जत जाएब ओत हमहूं जाएब।”20यीशु हुनका कहलथिन, “खिखिरसबके रहबाकलेल सोइन अछि, आ आकाशके चिड़ैसबके खोंता, मुदा हम मनुष्यक पुत्र होइतो, हमरा सुतबाक लेल घर नहि अछि।”21एकटा दोसर मनुष्य जे यीशुके चेलासबमेस एकगोटे छल से हुनका कहलनि, “प्रभु, हमर पहिने अपन घर जाएके आज्ञा देल जाओ। हमर बाबू मरि गेल छथि, हुनका हम गाड़ि देबै, तखन हम अहाँ पाछु आएब।” 22मुदा यीशु ओकरा कहलखिन, “हमरा पाछु अहाँ अखिने आउ। जे लोकसब आत्मिकरुपस' मरल अछि, ओकरासबके अपन मरल लोकके दफनबैक।”
23तेकर बाद यीशु नावमे बैसि गेलथि आ हुनक चेलासब हुनका पाछु आबि गेल।24अचानक बड़ी जोड़स' पानिपर बिहारि चलए लागल, आ एहि कारणे पानिक हिलकोरा नावपर बजरए लागल आ नावके भरए लागल। मुदा यीशु सुतल छलथि।25ओसब हुनकालग गेल आ हुनका उठएलनि, आ हुनका कहलनि, “प्रभु, हमरासबके बचाउ! हमसब डुबए लागल छी!”26ओ ओकरासबके कहलखिन, “यौ अल्प विश्वासीसब, अहाँसब नहि भयभीत होउ! अहाँसब ओतेक विश्वास नहि करैत छी जे हम अहाँसबके बचाबए सकैत छी।” तेकर बाद ओ उठिक' बिहारिके डांटि देलथिन आ कहलखिन पानिक हिलकोरा शान्त भ' जो। तुरन्ते ओ बिहारि शान्त भ गेल आ पानि सेहो शान्त भ' गेल।27ओ चेलासब अचम्भित भ' गेल, आ ओसब अपनामे कहलनि, “ई मनुष्य कोनो विशेष व्यक्ति छथि! सबकिछु हुनके अधीनमे अछि! हवा बिहारि सेहो हिनकर आज्ञा मानैत अछि!”
28जखन ओसब झीलके पूर्व दिस अएलथिन, जत गदरेनीसब रहैत छल से क्षेत्रमे पहुंच गेलथि। तखन दूटा मनुष्य जेकरा दुष्टात्मा नियन्त्रित छल से कबरिस्तानमेस' निकलि आएल ओसब ओतए रहैत छल। किएकत' ओसब बेसी बौकार रहए आ लोकसबके आक्रमण सेहो करैत रहथि, ओहिबाटे केओ नहि चलैत छल।29झटस ओसब यीशुपर चिचिआएल, “अहाँ परमेश्वरके पुत्र छी! किएकत' हमरासबसंगे अहाँके किछु सझिया नहि अछि, हमरासबके एसगरे छोड़ि दिअ! परमेश्वर हमरासबके सजाए देबएलेल नियुक्त कएने दिनस' पहिने दुख देब अहाँ आएल छी?” 30ओतए लगमे सुगरसबहक एकटा हुंज चरैत छल।31तएं दुष्टात्मा यीशुसंगे विनतीक' क' कहलनि, “अहाँ हमरासबके एहि मनुष्य सबमे भगाबए चाहैत छी, त' हमरासबके ओहि सुगरसबमे पठा दिअ!”32यीशु ओकरासबके कहलखिन, “तोंसब इहे चाहैत छे त', जो!” एहिलेल दुष्टात्मासब ओहि लोकसबके छोड़िक आ सुगरमे पसि गेल। तुरन्ते सुगरक हुंजके सबटा सुगरसब बमकैत गेल आ उपरस' झीलके पानिमे खसि पड़ल आ डुबिक' मरि गेल।33सुगरके चरबाही करएबला लोकसब डेरा गेल आ दौड़िक नगरमे गेल आ सबकिछु जे भेल छल से सविस्तार सुना देलनि, दूटा मनुष्य जेकरा दुष्टात्मा नियन्त्रित छल तेकरा की भेल सेहो सुना देलनि।34तखन ई बुझाति छल जेना नगरके सब लोकसब यीशुके देखए चलि गेल। जखन ओसब हुनका देखलनि आ दूटा मनुष्यके सेहो देखलनि जेकरा पहिने दुष्टात्मा लागल छल, ओसब हुनकास' विनती कएलनि जे ओ ओकरासबके क्षेत्रस' चलि जाथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67