Matthew10

1यीशु अपन बारहो चेलासबके अपनालग बजौलनि। तेकर बाद ओ हुनकासबके दुष्टात्मासबके भगाबएके अधिकार देलथिन जे लोकसबमे लगैत देलनि अछि। ओ हुनकालग लोकसबमेस अनेक प्रकारके रोग बेमारीसबस' चंगा करबाक योग्य बनौलनि।2ओ बारहो चेलासबहक नाम एहि तरहें अछि, जेकरा ओ प्रेरित कहने छलथि। चेलासबहक नाम सिमोन, जेकरा ओ नाम देलथिन पत्रुस; अन्द्रेयास, पत्रुसके छोट भाइ; याकूब जब्दीके पुत्र, यूहन्ना, याकूबके छोट भाइ;3फिलिपुस; बरतुल्मै; थोमा; मत्ती; जे कर उठबैत छल; याकूब अल्फेयासके पुत्र; तद्दै;4सिमोन देशभक्त; आ यहूदा इस्करियोती, जे यीशुके धोखा देलक आ अधिकारीसब पकड़ि सकए से ओ देखा देलक।
5जखन यीशु अपन बारहो प्रेरितसबके सुसमाचार सुनाबए विभिन्न स्थानमे पठाबएबला छलथि, ओ ओकरासबके एहन निर्देशनसब देलथिन: जत गैर-यहूदी रहैत होइक ओत नहि जाउ वा ओहि नगरमे नहि जाउ जत सामरी लोकसब रहैत होइक। 6बल्कि, इजराएल लोकसबलग जाउ; ओसब एहन भेंड़ अछि जे अपन चरबाहस' भटकि गेल होअए।7जखन अहाँ ओतए जाएब, ओकरासबके घोषणा करब जे परमेश्वर जल्दिए स्वर्गस' शासन करएबला छथि।8रोगीसबके चंगा करब, मरलसबके जीवित करब, कोढ़ि फुटल रोगीसबके चंगा करब आ ओकरासबके समाजमे ल' क' आएब, आ दुष्टात्मा जेकरा पकड़ने होइक ओकरामेस' दुष्टात्मा भगाएब। ई काजसब करबाक लेल हम अहाँसबके अधिकार देने छी। लोकसबके सहयोग करबाक लेल धन नहि लियौ, किएकत' परमेश्वर अहाँसबके सहयोगके बदला कोनो धन नहि मंगने छथि।9अपना बटुआमे कोनो पाइकौड़ी ल' क' नहि जाउ,10अहाँ अपनासंगे कोनो झोरा नहि राखू। अपनासंगमे अहाँ एकटास' बेसी जुता नहि लिअ, नहि वस्त्र, नहि चलबाक लेल लाठी लिअ। प्रत्येक मजदूर जेकरालेल काज करैत होइक तेकरास' बोइन ल' सकैत अछि, तएं अहाँ ओकरासबस' भोजन प्राप्त करबाक लेल योग्य छी जेकरालग अहाँसब जाइछी।11कोनो नगर वा गाममे अहाँ प्रवेश करैत छी, एहन लोकके खोजू जेकरा घरमे अहाँ रहि सकी।12जेना ओहि घरमे अहाँ जाएब, ओहि घरमे रहनिहार लोकसबके शान्तिके आशीर्वाद दिऔ। दोसर नगर आ गाममे नहि जाएधरि ओहि घरमे रहू।13यदि ओहि घरमे रहनिहारसब अहाँके नीक जकां स्वागत नहि करए, तखन अहाँके शान्ति ओकरापर काज नहि करत, आ परमेश्वर ओकरासबसंगे नीक नहि करतथि।14यदि कोनो घर वा नगरके लोकसब अहाँके स्वागत नहि करए, वा अहाँके सन्देशके नहि सुनए, ओहि स्थानके छोड़िक' चलि जाउ। जखन अहाँसब ओहि स्थानके छोड़िक' जाएब, अहाँ अपन पयरके गरदा झाड़ि लेब। एना कएलास', अहाँ ओकरासबके चेतावनी दैत छी जे परमेश्वर ओकरासबके अस्वीकार करथिन जेना ओसब अहाँके अस्वीकार कएने छै। 15ई सत्य बात अछि ध्यान राखू: ओहि समय जहिया परमेश्वर सबलोकके न्याय करथिन, ओ ओहि दुष्ट लोकसबके न्याय करथिन जे सदोम आ गमोरा नगरसबमे रहैत अछि। मुदा यदि कोनो नगरमे रहनिहार अहाँके अस्वीकार करए, परमेश्वर ओकरोसबके बेसी निदरदयी भ' क' दण्ड देथिन। 
16ध्यान दिअ, जखन हम अहाँसबके बाहर पठाएब, अहाँ भेंड़ जकां असहाय होएब, ओकरासबके बीचमे जे लोकसब नढ़िया जकां खतरनाक अछि। तएं जेना सांप सावधान रहैक तहिना सावधान रहू आ जेना पड़वा निर्दोष होइत अछि तहिना अहाँसब निर्दोष बनू।17एहन लोकसबस' सचेत सेहो रहू, किएकत' ओसब अहाँके पकड़िक ल' जाएत आ जहलमे धरएलेल शासकसबके हाथमे सोंपि देत। ओसब अपन सभाघरमे अहाँके कोड़ास' मारत।18आ किएकत अहाँ हमर छी, ओसब अहाँके राजासब आ शासक सबहक आगु ल' जाएत जे ओसब अहाँके थानामे ध' दिए आ दण्ड दिए। मुदा अहाँ ओहि शासकसबके आ गैर-यहूदीसबके हमरा विषयमे गवाही देबै।19जखन ई लोकसब अहाँके पकड़त, अहाँसब ओकरा की कहबनि ताहिके विषयमे चिन्तित नहि होएब, किएकत' अहाँके कोन शब्द कहबाक अछि से अहाँ लग चलि आओत।20ई अहाँ नहि निर्णय करब जे की कहबाक अछि। बल्कि, अहाँ ओहे कहबनि जे अहाँक स्वर्गीय पिताके आत्मा कहथिन।21ओसब अहाँके अधिकारीसब लग मारि देबएलेल ल' क' जाएत किएकत' अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी। उदाहरणके लेल, लोकसब अपन भाइसबके संग, आ बाबूसब अपन बच्चासबके संग करत। बच्चासब अपन माय-बाबूके विरुद्ध विद्रोह करत आ ओ ओकरासबके मरबा देत। 22बहुते लोकसब हमर नामके कारण अहाँके सताव करत किएकत' अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी। मुदा केओ सतावके अन्तधरि हमर उपर भरोसा करत, ओकरासबके परमेश्वर बचा लेथिन।23जं अहाँके लोकसब एकटा शहरमे दुख दैत अछि त', दोसर शहरमे भागि जाउ। ध्यान दिऔ: अहाँसब एक शहरमे दोसर शहरमे लोकसबके इजराएल भरिमे बताबएस' पहिने हम, मनुष्यक पुत्र, निश्चय पृथ्वीपर घुरिक' आएब।
24“एकटा चेला अपन गुरुस' बड़का होएबाक अपेक्षा नहि क' सकैत अछि, आ दास अपन मालिकस' उपर नहि होइत अछि।25लोकसब अहाँसबके गुरुस' बेसी नीक जकां अहाँ चेलासबके व्यवहार करएस' अपेक्षा नहि क' सकैत छी, वा ओसब दासके मालिकस' बेसी नीक जकां व्यवहार करत से अपेक्षा नहि क' सकैत छी। ओहिना, किएकत' हम अहाँके गुरु आ मालिक छी, लोकसबस' अहाँके दुर्व्यवहार करबास' अपेक्षा क' सकैत छी, किएकत' ओसब हमरा दुर्व्यवहार कएने अछि। हम घरके एकटा अगुवा जकां छी, जेकरा ओसब बालजबूल कहैत अछि। यदि ओसब एतेक खराब व्यवहार हमरासंग क' सकैत अछि त', अहाँके कोना बुझाइए ओसब केहन व्यवहार अहाँसंगे करत?”
26“ओहि लोकसबसंगे नहि भयभीत होउ जे मसीहके सन्देशके स्वीकार नहि करैत अछि। जे किछु झांपल अछि से उघार भ' जएतैक, आ सबटा गुप्त बातक भण्डा फुटि जएतैक।27तएं, भयभीत होएबाक बदला, हम अहाँके जे किछु गुप्तरुपस' कहैत छी, से लोकसबके दिनमे कहि दिऔ। जे किछु अहाँसबके व्यक्तिगत रुपमे जेना लोकसब कनफुसकी क' क' कहैत होइक, अहाँ ओहिके घरके छतपर घोषणा दिऔ।28जे लोकसब अहाँके शरीरके मारि देब' सकैत अछि मुदा अहाँके आत्माके नहि नाश क' सकैत अछि तेहन लोकस' नहि डेराउ। बल्कि, परमेश्वरस' डेराउ, किएकत' ओ अहाँके शरीर आ आत्मा दुनूके नरकमे नाश क' सकैत छथि।29बगड़ासबके विषयमे सोंचियौ। ओसब कम मोलके अछि जे एक पाइमे दूटा किन सकैत छी। मुदा कोनो बगड़ा भूमिपर खसि जाएत आ मरि जाइत अछि, परमेश्वर अहाँके स्वर्गीय पिता, जनैत छथि, किएकत' ओसब किछु जनैत छथि।30ओ अहाँके विषयमे सेहो, सबकिछु जनैत छथि। ओ जनैत छथि जे अहाँके माथपर कएटा केश अछि! 31परमेश्वर बगड़ास' बेसी अहाँके महत्व दैत छथि। तएं, अहाँसब ओहि लोकसबस' नहि डेराउ जे अहाँके मारि देबएके धमकी दैत अछि!32यदि लोकसब ई कहए चाहैत अछि जे अहाँ हमर लोक छी, हम ओकरा स्वर्गमे रहल हमर पिताके आगु स्वीकार करब जे अहाँ हमर छी।33मुदा जे केओ लोकसबके आगु ई कहब डेराइत अछि जे ओ हमर अछि, हम अपन पिताके कहबनि, जे स्वर्गमे छथि, जे ओसब हमर नहि अछि।”
34“ई नहि सोंचू जे हम पृथ्वीपर एहिलेल अएलहुं अछि जे लोकसब शान्तिक संग रहि सकए। किएकत' हम एहिलेल आएल छी जे हमरा पाछु चलएबलास' किछु लोक मरि जाइक ताहिके लेल आएल छी।35किएकत' हम पृथ्वीपर आएल छी, जे लोकसब हमरा नहि विश्वास करैत अछि से हमरापर विश्वास करएबला विरुद्ध होइक। उदाहरणके लेल, किछु पुत्रसब अपन बाबूके विरोध करत, किछु बेटीसब अपन मायके विरोध करत, आ किछु पुतहुसब अपन सासुके विरोध करत।36ई एहि बातके देखबैत अछि जे लोकके शत्रु ओकर परिवारके लोकसब होएतै। 37जे लोक अपन माय-बाबूके हमरास' बेसी प्रेम करैत अछि से हमर चेलाके योग्य नहि भ' सकैत अछि। आ जे लोक अपन बेटा-बेटीके हमरास' बेसी प्रेम करैत होइक सेहो हमर योग्य नहि भ' सकैत अछि। 38यदि अहाँ हमरालेल अपन दुखके क्रूस ल' क' मरएलेल तैयार नहि छी, तखन अहाँ हमर चेलाके योग्य नहि छी।39हमरापर विश्वास करएबला लोक हमरा एहिलेल अस्वीकार करैत अछि जे ओकर जीवन बांचि जाइक ओ परमेश्वरसंगे अनन्ततामे नहि रहए सकैत अछि, मुदा केओ हमरापर विश्वास करैत अछि आ अपन जान देबएलेल इच्छुक अछि से परमेश्वरके संग अनन्ततामे रहत।”
40“जे केओ अहाँके स्वागत करैत अछि से हमरा स्वागत करैत अछि आ तेकरा परमेश्वर विचार करथिन, आ ओ विचार करैत छथि जे केओ हमरा स्वागत करैत अछि से हुनका स्वागत करैत अछि, परमेश्वर जे हमरा पठौने छथि।41जे केओ केकरो स्वागत करैत अछि जे ओ जनैत अछि जे ओ प्रवक्ता अछि जे ओ ओहे इनाम पाओत जे प्रवक्ता परमेश्वर दिसस पाओत। तहिना, केओ कोनो व्यक्ति केओ धर्मी अछि से जानिक' ओकरा स्वागत करैत अछि, त' ओ परमेश्वर दिसस' धर्मी लोकसबमे पाबएबला इनाम पाओत।42ई ध्यान दिअ, मानि लिअ जे लोक अहाँके पियासल देखए आ एक लोटा ठंढा पानि पिया दिए एहिलेल जे ओ जनैत जे अहाँ हमर चेला छी, यदि अहाँ ओतेक महत्वपूर्ण व्यक्ति नहिओ छी त'। परमेश्वर ओकरा निश्चय इनाम देथिन।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67