Matthew7

1आओर लोकसब कतेक पापपूर्ण व्यवहार कएने छै ताहिके विषयमे न्याय नहि करु, एहिदुआरे जे अहाँ पापपूर्ण व्यवहार कएने छी से परमेश्वर सेहो अहाँके न्याय नहि करतथि।2यदि अहाँ आन लोकके न्याय नहि करबनि, त' परमेश्वरो अहाँके न्याय नहि करताह। जतेक दोषी अहाँ लोकके ठहरएबै, ओतबे दोषी अहूं ठहराओल जाएब।3“अहाँसबमेस' केओ केकरो छोट गलतके विषयमे ध्यान नहि दिऔ! ई ओहि व्यक्तिक आंखिमे कुन्नीके ध्यान द' क' देखब जकां अछि। मुदा अहाँके अपन बड़का गलतके विषयमे ध्यान देब' जरुरी अछि किएकत' अहाँ अपने आंखिमे रहल ढेंग नहि देखैत छी।4अहाँसब लोकके छोट गलतके विषयमे नहि कहियौ, ‘अहाँक आंखिमेस' खैंक निकालि दिअ!’ जखन जे अहाँके अपने आंखिमे ढेंग अछि।5यदि अहाँ एना करब त', अहाँ पाखण्डी छी! केकरो आंखिमेस' खैंक निकालएस' पहिने अहाँ अपने आंखिमेस' ढेंग निकालू।”
6आओर कहलखिन जे परमेश्वरके पवित्र वस्तु कुकुरसबके नहि दिऔ जे अहाँके काटि लैत अछि। अहाँसब मूल्यवान वस्तुसब सुगरके आगु नहि फेकू, किएकत ओसब ओहिके अखिना अखिना क' सकैत अछि। एहि तरहें, अजगुत बातसब एहन लोकसबके नहि कहूं जेकरा अहाँसब जनैत छी जे ओसब ओहिके बदलामे खराबी करए।7आओर कहलखिन जे अहाँके की चाही से परमेश्वरसंग मंगिते रहू, आ ओ अहाँके दिए से अहाँ अपेक्षा करैत रहू।8किएकत' केओ परमेश्वरस' जे किछु मंगैत अछि, आ जे ओ ओकरा द' दिए से अपेक्षा करैत अछि, से ओहिके प्राप्त करत।
9यदि अहाँक बेटा अहाँके कहए जे हमरा रोटी दिअ, अहाँसबमेस' केओ ओकरा पत्थल नहि देबै, देब त?10यदि अहाँके बेटा अहाँके कहए जे हमरा माछ दिअ, अहाँसबमेस' केओ निश्चय ओकरा सांप नहि देबै।11अहाँसब दुष्ट होइतो, अहाँसबके मालूम अछि जे अपन धियापुताके नीक वस्तु कोनो देबाक चाही। त' परमेश्वर, अहाँक पिता जे स्वर्गमे छथि, हुनकासंग मांगएबलास' कतेक नीक वस्तुसब द' सकैत छथि। 
12त' लोक अहाँसबसंगे जेना व्यवहार करए से चाहैत छी, त' ओहने ओकरासबसंगे व्यवहार करियौ, किएकत' मूसाके व्यवस्था आ बहुत पहिने प्रवक्तासब जे लिखने छलनि ताहिके अर्थ इहे अछि।13आओर कहलखिन, “परमेश्वरसंगे सब दिनके लेल स्वर्गमे रहब बेसी कठिन अछि; ई जेना विनाशक रस्ता अछि जे अहाँसब जाहिमे चलैत छी। एकटा आओर रस्ता अछि, जाहिमे बेसी लोकसब चलए चाहैत अछि। ओ रस्ता चौड़गर अछि; ओसब एहिपर चौड़गर दुआरिपर नहि पहुंचए धरि चलैत अछि, मुदा जखन ओसब एहि भ' क' जाइत अछि, ओसब मरि जाएत। एहिलेल हम अहाँके कहैत छी जे अहाँसब कठिन रस्ता पकड़ि लिअ आ सकेत दुआरि दने प्रवेश करु जे अहाँ परमेश्वरसंगे सबदिनके लेल जीवन जीवि सकी।”
15आओर कहलखिन जे झुट्ठा प्रवक्तासबस' सावधान रहू जे अहाँ लग झूठ बाजिक' अबैत अछि, ओसब नढ़ियासब जेहन अछि जे अपनाके भेंड़ाके खाल ओढ़िकए हानि नहि करएबला जकां देखाइत अछि मुदा ओ अहाँसबके आक्रमण करत। 16ओ गाछ फड़ौने फल देखक' अहाँसब जानि सकैत छी जे ओ कोन प्रकारके गाछ अछि। कांटकुश अंगूर नहि फड़ाबए सकैत अछि बगीया कांटक गाछस' अंजीर नहि फड़ि सकैत अछि।17एत' दोसरो उदाहरण अछि: सबटा नीक गाछ नीक फल फड़बैत अछि, मुदा सब अधलाह गाछ अधलाह फल फड़बैत अछि।18कोनो नीक गाछ अधलाह फल नहि फड़ाबए सकैत अछि, आ कोनो अधलाह गाछ नीक फल फड़ाबए सकैत अछि।19गाछ कटनिहारसब नीक फल नहि फड़एबला सबटा गाछके काटिक' सबके जरा देतैक।20गाछ केहन फल फड़बैत अछि से देखक', अहाँसब जानि सकैत छी जे ई केहन गाछ अछि। ओहिना, अहाँसब देख सकैत छी जे लोकसब अहाँसबलग अबैत अछि से की करैत अछि, ओहिना अहाँसब झुट्ठा प्रवक्तासब की क' रहल अछि ताहिस' ओकरासबके चिन्ह सकैत छिऐ।
21आओर कहलखिन, “बहुते लोक हमरा प्रभु कहिक' बजाओत, ई मानिक' जे ओकरासबलग हमरा अधिकार अछि, ओकरासबमेस' किछु लोकपर स्वर्गस' परमेश्वर शासन करब सहमत नहि होथि, किएकत' ओसब हुनक इच्छा की करैत छथि से ओ नहि करैत अछि। हमर पिता जे इच्छा करैत अछि से पूरा करएबला किछु लोकसबपर शासन करए सहमत होथि। 22ओहि दिन जहिया परमेश्वर सबगोटेके न्याय करथिन, बहुते लोक हमरा ई कहत, ‘यौ प्रभु, हमसब परमेश्वरके भविष्यवाणी अहाँक प्रेरित जकां बजने रहिऐक! अहाँक प्रेरित जकां हमसब लोकसबमेस' अहाँके नामस' दुष्टात्मासब भगएने रहिऐक! आ अहाँक प्रेरित जकां, बहुत बेर आश्चर्यजनक काजसब सेहो कएलहुं!’23तखन हम ओकरासबके सोझे कहबनि, ‘हम तोरा कहियो अपन मानबे नहि कएलियौ। हमरा लगस' चलि जो, तों जे कएले से सब अधर्मके काज छल!’”
24आओर कहलखिन, “हमरा सुनएबलासबके हम की कहैत छी आ हम की आज्ञा दैत छी से करत त' ओ एकटा बुद्धिमान लोक जकां अछि जे चट्टानपर घर बनबैत होइक।25ओहिपर भारी वर्षा भेल आ नदीमे बाढ़ि आएल, आ अन्हड़-बिहारि बहल आ ओहि घरपर बजरल, ई घर नहि खसल किएकत' एहि घरके नओ चट्टानपर बनाओल गेल छल।26दोसर दिस, केओ हम की कहैत छी से सुनैत अछि मुदा हमर बात नहि पालन करैत अछि से एकटा मूर्ख मनुष्य जकां होएत जे अपन घर बालुपर बनौलक।27जं वर्षा भेल, आ नदीमे बाढ़ि आएल, आ जोरस' हवा बहल आ ओहि घरपर ठोकराएल, घर खसि पड़ल आ टुकड़ा-टुकड़ा भ' गेल किएकत' ई बालुपर बनाओल गेल छल। तएं अहाँसबके हम की कहैत छी से पालन करबाक चाही।”
28जखन यीशु अपन शिक्षण समाप्त क' लेलखिन, सुनएबला भीड़सब ओ जे सिखऔने छलथि ताहिस ओसब चकित भ' गेल।29कारण ओ हुनकासबके एना सिखा रहल छलाह जेना हुनका अधिकार होनि, नहि की हुनकासबके व्यवस्थाके शिक्षकसब जेना।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67