Matthew6
1यीशु भीड़ संगे बतिआबि जारी रखलाह। ई निश्चित करु जे जखन अहाँ धर्मी काजसब करैत छी त' अहाँसब ई एहिलेल नहि करैत छी जे अहाँ की करैत छी से लोकसब देख सकैक। यदि नीक काज करबाक इहे कारण अछि त, परमेश्वर, अहाँक पिता जे स्वर्गमे छथि, ओ अहाँसबके कोनो इनाम नहि देथिन।2तएं जखन अहाँ कोनो गरीबके किछु दैत छी, लोकसबके एना नहि दिऔ जेना अहाँ बिगुल बजबैत छी। एहन त' पाखण्डीसब सभाघरमे आ मूल सड़कपर करैत अछि जे लोकसब ओकरा बड़ाइ करए। हम चाहैत छी जे अहाँ ई सत्य बुझू जे ओसब इनाम पाबि लेलक!3ओसब जेना करैत अछि तहिना करएके उनटा, जखन अहाँ कोनो गरीब किछु दैत छी, केओ नहि जानए जे अहाँ की करैत छी।4एहि तरहें, अहाँ गरीबसबके गुप्त दान दैत रहबैक। ताहिके परिणाम स्वरुप अहाँके पिता, परमेश्वर जे केओ नहि देखैत काल देखैत छथि, आ अहाँके इनाम देत।5अहाँ जखन प्रार्थना करैत छी तखनो, पाखण्डीसब जेना करैत अछि तेना नहि करु। ओसब सभाघरमे आ मुख्य सड़कके मोड़सबपर ठाढ़ भ' क' प्रार्थना करब नीक लगैत अछि, जे लोकसब ओकरासबके देखए आ ओकरासबके विषयमे नीक सोंचए। निश्चय, अहाँसब ई सत्य बुझू से हम चाहैत छी जे इहे इनाम ई सब पाओत।6मुदा, जहांधरि अहाँसबहक बात अछि त, जखन अहाँसब प्रार्थना करैत छी, व्यक्तिगत कोठलीमे अहाँ जाउ आ परमेश्वर, अहाँसबहक पितासंग प्रार्थना करबाक लेल केबाड़ी लगा लिअ, जेकरा केओ नहि देखैत अछि। अहाँक पिता अहाँके देखए आ अहाँके इनाम दिए।7जखन अहाँ प्रार्थना करैत छी, शब्दसब बेसी बेर नहि दोहराउ ओहि लोकसब जेहन परमेश्वरके नहि जानएबला आन जातिसब करैत अछि जखन ओ प्रार्थना करैत अछि। ओसब सोंचैत अछि जे यदि ओसब बहुते शब्दसब प्रयोग करत त, ओकरासबहक ईश्वर सुनतैक आ ओसब की मगैत अछि से देतैक।8ओसब जेना करैत तेना शब्दसबके नहि दोहराउ, किएकत' परमेश्वर अहाँक पिता जनैत छथि जे अहाँके की आवश्यक अछि हुनकास' मांगएस' पहिने।9तएं एहि तरहें प्रार्थना करु:हमर पिता जे स्वर्गमे छी,सब केओ अहाँ नामके आदर करए। 10अहाँ सबकिछु आ सब केओ पर पूर्णरुपस' शासन करी।पृथ्वीपर अहाँक इच्छा कएने अनुसार होइक, जेना स्वर्गमे होइत अछि।11प्रतिदिन हमरासबके आवश्यक भोजन दिअ।12हमरासबहक पाप क्षमाक' दिअ ओहिना जेना हमरा विरुद्ध पाप कएने लोकके हमसब क्षमा कएने छी।13आ हमरासबके परीक्षामे नहि ल' जाउ, बल्कि हमरासबके दुष्टस' बचाउ।14अहाँके विरुद्ध पाप करएबलासबके क्षमा दिऔ, किएकत', यदि अहाँ एना करब त', परमेश्वर, पिता जे स्वर्गमे छथि, अहूंके पाप क्षमाक' दिए।15मुदा यदि अहाँ आओर लोकसबके क्षमा नहि करब, त' अहाँक पिता सेहो अहाँसबके पाप क्षमा नहि करताह।16यीशु आओर कहलखिन जे जखन अहाँ परमेश्वरके प्रसन्न करएलेल उपास करैत छी, त' पाखण्डी जेहन उदासी नहि देखाउ। ओसब अपन चेहरा उदास बना लैत अछि जे लोकसब ओकरा देखतैक जे ओसब उपास कएने छै। हम चाहैत छी जे ई सत्य जानि लिअ जे ओहे इनाम ओकरासबके भेटत!17बल्कि, अहाँसबमे केओ, जखन अहाँसब उपास करैत छी, अहाँसब केशमे तेल लगाउ आ ककहीस' सोंटू आ आओर दिन जेहन मुंह धोउ,18जाहिस' जे लोकसब देखए आ ई नहि बुझि पबैक जे अहाँ उपास बैसल छी। मुदा परमेश्वर, अहाँके पिता, जिनका केओ नहि देखैत अछि, अहाँके देखत जे अहाँ उपास बैसल छी। केओ नहि देखए तइयो ओ अहाँके देखए, आ ओ अहाँसबके इनाम देत।19यीशु आओर कहलखिन जे स्वार्थी ढंगस बेसी धन आ भौतिक सम्पत्ति एहि पृथ्वीपर अपनालेल जम्मा नहि करु, किएकत' पृथ्वीपर सब किछु नाश होइत अछि, जत कीड़ा कपड़ा खा' लैत अछि, बीझ धातुके खा' लैत अछि, आ लोकसबके समानसब चोर चोरी क' लैत अछि।20बल्कि, एहन काज करु जे परमेश्वरके प्रसन्न क' दिऐक एहिलेल अहाँके धन स्वर्गमे जम्मा होएत। स्वर्गमे किछु नहि नाश होइत अछि। स्वर्गमे कोनो कीड़ा कपड़ा नहि खा' सकैत अछि, ओत बीझ नहि लगैत अछि, स' ओतए कोनो चोर नहि अछि जे केकरो समान चोरी क' सकैत अछि।21स्मरण राखू जे अहाँके लेल महत्वपूर्ण धन अछि, ओहिके विषयमे अहाँ सोंचबैक।22यीशु आओर कहलखिन जे अहाँक आंखि अहाँक शरीरके लेल इजोत अछि, किएकत' ई अहाँके सबकिछु देखएमे सहायता करैत अछि। एहिलेल यदि परमेश्वर जेना वस्तुके देखैत छथि तेना देखबैत', ई एना होएत जेना अहाँक सम्पूर्ण शरीर इजोतस' भरल अछि।23मुदा जं अहाँक आंखि अधलाह अछि त' अहाँक सम्पूर्ण शरीर अन्हार भ' जाएत। तएं जं अहाँमे जे इजोत अछि से अन्हार भ' जाएत त' ओ अन्हार कतबो पैघ होएत!24यीशु आओर कहलखिन, “दूटा मालिकके एकबेर केओ सेवा नहि क' सकैत अछि। यदि ओ एना करब कोशिस कएलक त', ओ एकटाके घृणा करत आ एकटाके प्रेम, वा एकटाके प्रति बेसी भक्त रहत आ दोसरके तुच्छ मानत। ओहने, अहाँ परमेश्वर आ धनके एकबेर नहि सेवा क' सकैत छी।”25एहिलेल हम अहाँके कहैत छी जे अहाँसबके जीवन जिअएलेल की आवश्यक अछि ताहिके विषयमे चिन्ता करबाक नहि चाही। चिन्ता नहि करु जे अहाँके खाएलेल पिबएलेल पर्याप्त होएत की नहि वा पहिरए लेल पर्याप्त वस्त्र होएत की नहि। अहाँके शरीर सब वस्तुस' बेसी महत्वपूर्ण अछि।26चिड़ैसबके विषयमे सोंचियौ। ओसब नहि बिआ रोपैत अछि, आ ओ बालि कटनी नहि करैत अछि वा बखारीमे जम्मा क' क' नहि रखैत अछि। ओकरा खाएलेल सबदिन भोजन होइत अछि किएकत' परमेश्वर, अहाँके पिता जे स्वर्गमे छथि, ओकरासबके भोजन जुटबैत छथि। निश्चय अहाँसब चिड़ैसबस' बेसी मूल्यके छी! त' अहाँसब भरोसा क' सकैत छी जे परमेश्वर अहाँके आवश्यकता पूर्ति क' देथिन।27अहाँसबमेस' केओ नहि, चिन्ता क' क', अपन जीवनमे किछु साल आयु थपि सकैत छी। अहाँसब कनिको समय नहि जीवनमे थपि सकैत छी! त' अहाँसबके जे आवश्यक अछि ताहिके विषयमे चिन्ता नहि करबाक चाही।28अहाँसबके पहिरए लेल पर्याप्त वस्त्र होएत की नहि से विषयमे चिन्ता नहि करु। खेतक फूल कोनो बढ़ैत अछि से सोंचियौ। ओसब धन कमाएलेल मेहनति नहि करैत अछि, आ ओसब अपनालेल वस्त्र नहि बनबैत अछि।29मुदा हम अहाँके कहैत छी सुलेमान राजा सेहो, जे बहुते दिन पहिने रहैक, ओ बाद महिमामय वस्त्र पहिरने रहैक, ई फूलसबमे एकोटा जेहन सुन्दर वस्त्र नहि छल।30परमेश्वर मैदानके हरियर घासके बड़ सुन्दर बनबैत छथि, मुदा ओसब खेतमे छोट समयमे बढ़ि जाइत अछि। एकदिन ओसब बढ़ैत अछि, आ दोसर दिन लोकसब ओकरा जराबएलेल चुल्हिमे धरैत अछि। मुदा अहाँसब जंगली गाछसबस' बेसी महत्वपूर्ण छी, आ अहाँसब बेसी दिन सेहो जीवित छी। अहाँसब अल्प विश्वासी छी!31“एहिलेल चिन्ता नहि करु आ कहियौ, ‘की हमरा सबके खाएलेल किछु होएत?’ वा ‘की हमरासबके पीबएलेल किछु होएत?’ वा ‘की हमरासबके पहिरलेल वस्त्र होएत?’32जे परमेश्वरके नहि चिन्हएबला आन जातिसब एहिसबके विषयमे चिन्ता करैत छै। मुदा परमेश्वर, अहाँक पिता जे स्वर्गमे छथि, ई सब किछु अहाँके आवश्यक अछि से जनैत छथि।33एहिके बदला, पहिने परमेश्वरके राज्य आ धार्मिकताके खोज करु, तखन ई सबटा बात अहाँसबके देल जाएत। 34त' दोसर दिन अहाँके संग की होएत ताहिके विषयमे चिन्ता नहि करु, किएकत' जं दोसर आओत, ओहिके विषयमे चिन्ता करबाक पर्याप्त होएत। त' समयस' पहिने चिन्ता नहि करु।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.