Matthew5
1जखन यीशु भीड़के देखलनि, त' ओ छोटका पहाड़पर चढ़ि गेलथि। ओ ओतए बैसिक' आ अपन चेलासबके सिखाबए लगलथिन। ओसब हुनक बात सुनएलेल लगमे आएल।2तेकर बाद ओ ओकरासबके एना कहिक सिखाएब शुरु कएलखिन,3परमेश्वर ओहन लोकस प्रसन्न होइत अछि जे मनमे कमजोर होइक आ जे स्वीकार करए जे ओकरा हुनक आवश्यक अछि; ओ ओकरासबपर स्वर्गस' शासन करएलेल सहमत होएतथि।4एहि पापपूर्ण संसारके कारणे शोक करएबला संगे परमेश्वर प्रसन्न छथि; ओ ओकरासबके उत्साह देथिन।5जे लोक नम्र छै ओकरासंगे परमेश्वर प्रसन्न छथि; ओसब पृथ्वीपर अधिकार करत जेकरा परमेश्वर नव बनौथिन। 6परमेश्वर ओहन लोकस' प्रसन्न छथि जे धार्मिकतामे जिअएके इच्छा करैत होइक ओहिना जेना केओ खएबाक आ पिबाक इच्छा करैत अछि; ओ ओकरासबके धार्मिकतामे जिअएलेल योग्य बनौथिन।7
परमेश्वर ओहन लोकसंगे प्रसन्न होइत अछि जे दोसर दिस दयालु व्यवहार करैत होइक; ओ ओकरासबसंगे कृपापूर्ण व्यवहार करथिन।8
धन्य अछि ओ लोकसब, जिनका मन शुद्ध अछि किएकत' ओ परमेश्वरके देखत।9
परमेश्वर ओहन लोकसबसंगे प्रसन्न छथि जे आओर लोकके शान्तिपूर्वक जिअएलेल मदति करैत होइक; ओ ओकरासबके अपने सन्तान जकां मानि लेथिन।10
परमेश्वर ओहन लोकसबसंगे प्रसन्न होइत अछि जे धार्मिकतामे जिअए चाहैत होइक; हुनक महिमा होएतै जखन ओकर धार्मिकताके जिअके कारण दुष्टलोकसब ओकरा अपमान आ खराब व्यवहार करत। परमेश्वर ओहि धर्मी लोकसबके जीवनपर स्वर्गस' शासन करैत छथि।11
परमेश्वर अहाँस' प्रसन्न छथि जखन अहाँके आओर लोकसब अपमान करैत अछि, आ हुनक महिमा होइत अछि जखन लोकसब अहाँसंगे दुष्टकाजसब करैत अछि आ जखन ओसब अहाँके विषयमे झूठ बात कहत, जे अहाँ दुष्ट छी।12
जखन ई होएतै, अहाँसब आनन्द मनाउ आ खुशी होउ, किएकत' परमेश्वर स्वर्गमे अहाँके नमहर इनाम देथिन। स्मरण करु, जे एहने ढंगस ओसब बहुत दिन पहिने प्रवक्तासबके सतएने रहैक।13“नून भोजनके की करैत अछि, सेहे अहाँसब संसारके करियौ। मुदा नून अपन सामर्थ्य हेरा लेत त', केओ एहिके फेरुस' नूनगर नहि बना सकैत अछि। लोकसब एहिके फेक देत आ एहि पर चलत।14लोकसबके लेल अन्हारमे ज्योति की करैत अछि, सएह अहाँसब संसारक लेल करियौ। सब केओ अहाँके देखत, जेना पहाड़पर बनल नगरके सब केओ देखैत अछि।15केओ नहि डिबिया बारिक आ मौनी तर नहि धरैत अछि। बल्कि, ओहिके दिहैटपर धरैत अछि एहि घरमे रहनिहार सबगोटेके इजोत द' सकैक।16एहि तरहें अहाँसबके नीक काज करबाक चाही जे आओर लोकसब देख सकैक जे अहाँ की क' रहल छी। जखन ओसब एहिके देखत, ओसब अहाँक पिताके प्रशंसा करए जे स्वर्गमे छथि।”17“अहाँसब ई नहि बुझू जे हम व्यवस्थाके हटाबए आएल छी जे परमेश्वर मूसाके देलथिन वा जे प्रवक्तासब लिखलनि। बल्कि, ओहिमे जे लिखल बातसब अछि से सब भ' जाइक ताहिके लेल अएलहुं अछि। 18ई कहावत सत्य अछि: परमेश्वर स्वर्ग आ पृथ्वी मेटा द' सकैत छथि, मुदा परमेश्वर व्यवस्थामेस' किछु नहि मेटौतथि, एहिमेस छोटको बात नहि वा छोट बिन्दुओ नहि जे वाक्यके अन्तमे अबैत होइक, जाधरि परमेश्वर व्यवस्थामे रहल सब किछु पूरा नहि क' दैत छथि, जेना ओ कहने रहथि।19एहि कारण, जे केओ एहि छोटस छोट आज्ञासबमेस' कोनोके नहि मानैक, आ आओर लोकके ओहने करबाक शिक्षा दैत अछि, त ओ स्वर्गके राज्यमे सबस छोट कहाओत। मुदा केओ ओहिके पालन करत आ ओकर शिक्षा देत, ओ मनुष्य स्वर्गके राज्यमे महान कहाओत।20हम अहाँसबके कहैत छी जे अहाँसब ओहि व्यवस्थाके शिक्षकसबके बेसी नीक जकां व्यवस्था पालन करबाक चाही, आ जे ठीक अछि से अपन हृदयस' करबाक चाही। आ अहाँसबके धार्मिकता फरिसीसबस' नीक होएबाक चाही नहि त' अहाँसब स्वर्गस' परमेश्वरके शासनके अधीन कहियो नहि आबि सकैत छी।21“लोकसब अहाँके कहने अछि जे परमेश्वर अपनासबके पूर्वज संगे की कहने रहथि, ‘अहाँ केकरो हत्या नहि करब’, आ, ‘यदि अहाँ केकरो हत्या करब, न्यायिक शासन अहाँके सजाय द' सकैत अछि।’ 22मुदा हम अहाँके कहैत छी जे यदि अहाँ केकरोसंगे खिसिया गेल छी त', परमेश्वर अपने अहाँसबके न्याय करथिन। यदि अहाँ केकरो कहैत छी, ‘अहाँ बेकार छी’, सरकार अहाँके सजाय द' सकैत अछि। यदि अहाँ केकरो कहबनि, ‘अहाँ मूर्ख छी’, परमेश्वर अहाँके नरकके आगिमे झोंकि देथिन।23एहिना जखन अहाँ अपन चढ़ौना परमेश्वरके वेदीपर चढ़ाबए जाइत छी, यदि अहाँके मन पड़ि जाए जे अहाँ लग अहाँके भाइके विरुद्ध कोनो शिकायत अछि,24त' अपन चढ़ौना वेदीए लग ध' क', आ पहिने ओहि व्यक्ति लग जाक' मिलाप करु, जेकर मन दुखएने छी। ओहि व्यक्तिके कहियौ जे अहाँ जे ओकरासंगे कएने छिऐ ताहिके लेल अहाँ दुखित छी, आ ओ व्यक्ति अहाँके क्षमाक' दिए। तेकरबाद घुरिक जाउ आ अपन चढ़ौना परमेश्वरके चढ़ाउ।25यदि दोष लगौनिहार अहाँ किछु गलत काज कएने छी से कोनो दोष लगाबएलेल सिपाही अहाँके अदालतमे ल' जाएत, न्यायाधीशलग आबएके समयस' पहिने, जल्दीस' ओहि व्यक्तिसंग मिलापके' लिअ। कहूं एना नहि होइक जे न्यायाधीश अहाँके जहलमे ध' दिए। 26ई बात सत्य अछि जे अहाँ जहलमे जाएब, ओतएस' अहाँ कहियो नहि निकलि सकब जाधरि न्यायाधीश जे पाइ दण्ड स्वरुप अहाँके देब कहए से अहाँ नहि द' देब। तएं स्मरण करु जे अपन भाइसब संगे शान्तिमे रहू।”27“अहाँसब सुनने छी जे परमेश्वर अपनासबके पूर्वजसबके कहने छथि, ‘व्यभिचार नहि करु।’ 28मुदा हम अहाँके कहैत छी से ई अछि: यदि कोनो मनुष्य कोनो स्त्रीके संग सुतबाक सोंच राखिक देखए, परमेश्वर ओहन लोकके मानैत छथि जे ओ ओकरासंगे मनमे व्यभिचार क' लेने अछि।29मुदा जं अहाँके दहिना आंखि अहाँके ठोकरके कारण होएत अछि त' ओकरा निकलिक' फेक दिऔ। कारण, अहाँक पूरे शरीर नरकमे फेकल जाएस' नीक होएत जे अहाँ एकटा अंग नाश भ' जाइक।30आ यदि अहाँके एकटा हाथ पाप कराबए, अपन हाथ प्रयोग करब बंद करु। अपन हाथ काटिक फेक पड़ए तइयो फेक दिअ, एना करु यदि एना कएलास' पाप करब छुटि जाइक। परमेश्वर अहाँके सशरीर नरकमे फेकएस' नीक शरीरके कोनो अंग गुमा लिअ।”31अहाँसब सिखाओल गेल अछि, “परमेश्वर शास्त्रमे कहने छथि, ‘यदि मनुष्य अपन पत्नीस सम्बन्ध विच्छेद करए, ओ एकटा कागजपर लिख दिए जे ओ ओकरास' सम्बन्ध विच्छेद क' रहल अछि।’ 32मुदा हम जे कहैत छी से ध्यानस' सुनू: कोनो मनुष्य अपन पत्नीके ओ व्यभिचार कएने अवस्थामे सम्बन्ध विच्छेद क' सकैत अछि। यदि मनुष्य अपन स्त्रीके आन कोनो कारणस छोड़एके, ओ ओकरास व्यभिचार करबैत अछि, ओ स्त्री दोसर विवाह करए त' ओ पाप करतीह। आ कोनो पुरुष ओकरासंगे विवाह करैत अछि त' सेहो व्यभिचार करैत अछि।”33“अहाँसब इहो सुनने छी जे लोकसबके कहल गेल छल, ‘अहाँसब झूठ बाजिक' सपत कहियो नहि खाएब! बल्कि अहाँसब अपन प्रतिज्ञा एना करब जेना प्रभु परमेश्वर अपने अहाँक आगु ठाढ़ भेल होइक।’ 34आब हम अहाँक किछु आओर बेसी कहब: कोनो कारण अहाँसब सपत नहि खाउ! अहाँक अपन प्रतिज्ञा पूरा करबाक लेल परमेश्वरके स्थान स्वर्गके जमानी नहि राखू। ओ त' सामर्थ्यके सबस' नमहर आसन अछि आ ओ ओतएस' सब किछुपर शासन करैत छथि। 35आ एहन कोनो सपत नहि खाउ जाहिके साक्षी पृथ्वी बनैक। एना नहि करु, किएकत' पृथ्वी परमेश्वरके पांवदान अछि। यरूशलेम नगरके नामस' सपत नहि खाउ, किएकत' यरूशलेमके नगर अपनासबके महान राजा, परमेश्वरके अछि। ”36आ अहाँसब अपन ज्ञानके अधिकारस एहनो महत्वपूर्ण प्रतिज्ञा कोनाक' सकैत छी, जं अहाँ अपन मूड़ीमे केश कनिको रंग परिवर्तन नहि क' सकैत छी।37“यदि अहाँ किछु करबाक विषयमे बात करब, मात्र एना करियौ, ‘हं, हम ई करब’, वा ‘नहि, हम नहि करब।’ यदि एहिस' बेसी किछु कहबनि, त' दुष्टस' अछि जे अहाँके एहि तरहें बात करबाक सुझाव दैत अछि।”38“हं अहाँसब सुनने छी हमरासबहक पूर्वजसबके कहल गेल छल, ‘यदि केओ अहाँके एकटा आंखिके नोक्सान करए, त' ओसब ओकरो आंखिके नोक्सान क' दिए। यदि केओ अहाँके एकटा दांत तोड़ि दिए, त' ओसब ओकरा दांत सेहो तोड़ि दिए।’ 39मुदा हम कहैत छी से कनि सुनू: दुष्ट अहाँके हानि करए तेकर बदला लेबएस' बेसी, ओकरा रोकएके प्रयास नहि करियौ। बल्कि, यदि केओ अहाँके एक गालपर मारिक' अपमान करए, त अहाँ अपन दोसरो गाल द' दिऔ जे ओ ओहूमे मारि सकए।40यदि केओ मुकदमा क' क' अहाँक अंगा लेबए चाहए त' ओकरा ओढ़ना सेहो, द' दिऔ, जे अहाँके लेल बेसी मोलके अछि।41आ यदि रोमी सिपाही डेढ़ किलो मीटर धरि ओकर समान बोकिक' चलएलेल बाध्य करए, ओकरा तीन किलो मीटर धरि बोकि दिऔ। 42यदि केओ अहाँके किछु पैंचा मांगए, त' ओकरा उधार द' दिऔ।”43“अहाँसब सुनने छी जे परमेश्वर हमरासबहक पूर्वजसबके कहने छलथि, ‘अपन संगी इजराएलीसबके प्रेम करु आ विदेशीसबके घृणा करु, किएकत' ओसब अहाँके शत्रु अछि।’ 44मुदा आब सुनू हम अहाँसबके की कहैत छी: अपन मित्रके प्रेम करु आ अपन शत्रुके सेहो प्रेम करु, आ जे अहाँके दुख दैत अछि तेकरालेल प्रार्थना करु। 45जे अहाँसबके परमेश्वर पिता जे स्वर्गमे छथि, हुनका सन होबएलेल एना करु। ओसब लोकसंगे दयालु व्यवहार करैत छथि। उदाहरणके लेल, ओ धर्मी आ दुष्ट व्यक्तिपर बरोबरि सूर्य उगबैत छथि।46यदि अहाँके प्रेम करएबलाके मात्र प्रेम करैत छी त, परमेश्वर अहाँके इनाम दिए से आशा साफे नहि करु! जे लोकसब खराब काज करैत अछि, जेना कर उठाबएबलासब , सेहो प्रेम करएबलाके प्रेम करैत अछि। अहाँसबके ओकरासबस' नीक व्यवहार करबाक चाही!47हं, यदि अहाँ अपन मित्रके मात्र अभिवादन करैत छी आ परमेश्वरस' ओकरालेल आशीष मंगैत छी, त' अहाँ आओर लोकसबस' नीक काज नहि करैत छी। आन जातिसब, जे परमेश्वरके व्यवस्था नहि पालन करैत अछि, सेहो ओहने काज करैत अछि!48तएं अहाँसबके पूर्णरुपस' स्वर्गमे भेल पिता परमेश्वर प्रति विश्वासयोग्य होएबाक आवश्यक अछि, जेना ओ अहाँसबपर पूर्णरुपस' विश्वासयोग्य छथि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.