Matthew4

1तखन पवित्र आत्मा यीशुके निर्जन क्षेत्रमे ल' गेलथि जत शैतानद्वारा परीक्षा लेल जाएत।2ओ चालीस दिन आ चालीस रातिधरि उपास कएलक बाद, तखन हुनका भूख लगलनि।3परीक्षा लेनिहार , हुनकालग आएल आ कहलकनि, “यदि अहाँ सांच्चे परमेश्वरके पुत्र छी त', एहि पत्थलसबके आज्ञा दिऔ जे रोटी भ' जएतैक जे अहाँ खाएब!”4मुदा यीशु ओकरा कहलखिन, “नहि! हम एना नहि करब, किएकत' पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, ‘लोकसबके सांच्चेके जीवित रहएलेल, भोजन मात्र नहि ओहूस' किछु बेसी आवश्यक अछि; अर्थात् ओसब परमेश्वरद्वारा कहल गेल प्रत्येक वचन सुनथि।’”5तखन यीशुके शैतान पवित्र नगर यरूशलेममे ल' गेल, ओ नगर जे खास क' क' परमेश्वरक लेल छल। ओ हुनका मन्दिरमे सबस' उंचगर स्थानपर चढ़ा देलनि।6आ हुनका कहलनि, “यदि अहाँ सांच्चे परमेश्वरक पुत्र छी त', नीचा कुदि जाउ। अहाँ निश्चय, कुदि सकैत छी, अहाँके चोट नहि लागत, किएकत' पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, ‘परमेश्वर अपन दूतसबके अहाँके सुरक्षा करबाक लेल आदेश देथिन। ओसब अहाँके अपन हाथेहाथ उठालेत जखन अहाँ खसए लागब, तखन ओसब अहाँके पयरमे ठेंस नहि लागए देत।’” 7मुदा यीशु कहलखिन, “नहि! हम नीचा नहि कुदब, किएकत' पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, ‘प्रभु परमेश्वर ओ के छथि से परीक्षा करएके प्रयास नहि करब।’”8तेकर बाद शैतान हुनका एकटा नमहर पहाड़के चोटीपर ल' गेल। ओतए ओ हुनका संसारके सबटा राज्यसब देखएलनि आ ओहि देशसबके वैभव देखएलनि।9तखन ओ हुनका कहलकनि, “हम अहाँके एहि सब देशके शासन करए देब आ सारा वैभव अहाँके द' देब यदि अहाँ हमरालग झुकिक' आराधना करब।”10मुदा यीशु ओकरा कहलखिन, “नहि, शैतान, हम तोहर आराधना नहि करब, एतस' चलि जो! पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, ‘अहाँ अपन प्रभु परमेश्वरके आगु मात्र झुकब आ हुनका मात्र अहाँ आराधना करब!’” 11तेकर बाद शैतान चलि गेल, आ ओहि क्षण, स्वर्गदूतसब आबिक' हुनक सेवा-टहल कएलनि।
12जखन यीशु यहूदिया प्रदेशमे रहथि, यूहन्ना बपतिस्मा देबएबलाके चेलासब हुनकालग आएल आ हुनका कहलनि, “जे राजा हेरोद यूहन्नाके जहलमे ध' देने अछि। एहिलेल यीशु गलील प्रदेशके, नासरत नगरमे चलि गेलाह।”13तखन ओ नासरत छोड़िक' कफरनहूम नगरमे रहबाक लेल चलि गेलाह। कफरनहूम गलीलके झील कातमे अवस्थित अछि जे पहिने जबूलून आ नप्तालीक कुलके क्षेत्र छल।14ओ ओतए गेलाह जे यशायाह प्रवक्ताद्वारा बहुत दिन पहिने पवित्र शास्त्रमे लिखल गेल बात सांच भेल :15“नप्ताली आ जबूलूनके क्षेत्रसब, झीलदिस जाएबला बाट दिसके क्षेत्रसब, यरदन नदीके पूर्व दिस, गलील प्रदेशके क्षेत्रसब, गैर-यहूदीसबके वासस्थान!16जे लोकसब परमेश्वरके नहि जनैत अछि, जेना ओसब अन्हारमे रहैत होइक, मुदा ओसब सत्य सिखतैक, जेना ओकरासबपर एकटा बेसी चमकौआ इजोत चमकल होइक। हं, ओसब मरएस' बेसी डेराएल अछि, मुदा एकटा बेसी इजोतगर ज्योति ओकरासबपर चमकल अछि!”
17ओहि समय, जखन यीशु कफरनहूम नगरमे छलाह, ओ लोकसबके प्रचार करबाक शुरु कएलखिन, “स्वर्गस परमेश्वरके शासन बहुत निकट अछि, आ ओ अहाँके न्याय करत जं ओ राज करताह। तएं पापस' पश्चाताप करु!” 
18एकदिन जं यीशु गलीलके झील कातमे घुमैत छलाह, दूगोटेके देखलनि, सिमोन, जे बादमे पत्रुस कहल गेल, आ अन्द्रेयास, ओकर छोटका भाइ। ओसब माछ मारएलेल पानिमे अपन जाल फेकैत छल किएकत' ओसब माछ पकड़िक' बेचैत छल।19यीशु ओकरासब कहलखिन, “हमरासंगे आउ आ हम अहाँके सिखाएब जे हमर चेला बनएलेल लोकसबके कोना एकट्ठा क' सकैत छी।”20ओसब तुरन्ते जे काज करैत छल से ओहि जालके छोड़ि देलक आ हुनकासंगे चलि गेल।
21जेना-जेना तीनू गोटे ओतएस' आगु बढ़ैत गेलाह तखन यीशु दूटा आओर भाइसबके देखलनि, याकूब आ याकूबके छोट भाइ यूहन्नाके। ओसब अपन नावमे अपन पिता जब्दीके संग माछ मारबाक लेल जाल ठीक क' रहल छलाह। यीशु ओकरासबके कहलनि जे अपन काज छोड़ि यीशुक पाछु लागि जाउ।22तुरन्ते ओसब अपन नाव आ अपन बाबूके छोड़ि देलक आ यीशुसंगे चलि गेल।
23यीशु ओहि चारु गोटेके गलीलके प्रदेश ल' गेलथि। ओ सभाघरसबमे लोकसबके शिक्षा दैत छलथि। ओ परमेश्वरके शासन केहन अछि ताहि विषयमे लोकसबके सुसमाचार प्रचार करैत छलथि। ओ बेमार लोकसबके चंगा सेहो करैत छलथि।24जखन लोकसब सीरिया प्रान्तके क्षेत्रमे छल से सुनलक जे ओ की करैत छलाह, ओसब हुनकालग बेमार लोकसबके ल' क' आएल, एहन लोकसब जे विभिन्न प्रकारके रोगस ग्रस्त छल, एहन लोकसब जे बहुत दर्दस' गुजरैत छल, जे लोकसबके दुष्टात्मा नियन्त्रित छल, जेकरा दुष्टात्मा लागल छल, आ जेकरा लकवा भेल छल तेकरा ल' क' आएल। आ यीशु ओकरासबके चंगा कएलखिन।25तखन एकटा नमहर भीड़ हुनका पाछु-पाछु चलए लागल। ओसब गलील, दिकापुलिस , यरूशलेम, यहूदियाके आन-आन भागस, आ यरदन नदीके पूर्व दिसस छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67