Matthew3
1कतेको वर्षक बाद, जहिया यीशु नासरते शहरमे रहथि, यूहन्ना, जिनका लोकसब बपतिस्मा देनिहार कहैत छलनि, यहूदिया प्रान्तके एकटा निर्जन क्षेत्रमे चलि गेलाह। ओ ओतए आएल लोकसबके उपदेश दैत छलथि। ओ प्रचार क' रहल छलथि,2ओ कहलथिन, “पश्चाताप करु, किएकत' स्वर्गके राज्य लग आबि गेल अछि।”3जखन यूहन्ना प्रचार करब शुरु कएलनि, त' यशायाह प्रवक्ताद्वारा बहुत पहिने कहल बात सांच भ' गेल। ओ कहलनि, “निर्जन क्षेत्रमे केओ चिचिआइत अबैत केकरो आवाज सुनल गेल, ‘जं प्रभु अबैत छथि त' हुनका ग्रहण करबाक लेल सोझ बाट तैयार करु! सब किछु हुनकालेल तैयार करियौ!’” 4यूहन्ना ऊंटके रोइंयास' बनल खरखरौवा वस्त्र पहिरैत छल। बहुत पहिने एलियाह प्रवक्ता एना कएने रहथि, तहिना ओ अपन डांढ़मे चमड़ाके डरकस पहिरैत छलथि। ओकर भोजन फनिगा आ मधु छल जे निर्जन क्षेत्रमे पाओल जाइत छल। 5यरूशलेमक रहनिहार, आ यहूदिया प्रदेशमे रहनिहार लोकसब, आ आओर लोकसब जे यरदन नदीके लगपास रहनिहार लोकसब यूहन्नाके प्रचार सुनबाक लेल ओकरा लग आएल।6ओकरा सुनालक वाद, ओसब खुला रुपमे अपन पाप स्वीकार कएलनि, आ तखन ओ ओकरासबके यरदन नदीमे बपतिस्मा देलनि।7मुदा यूहन्ना देखलनि जे बहुते फरिसीसब आ सदुकीसब हुनकालग बपतिस्मा लेबए आबि रहल छलनि। ओ हुनका कहलनि, “हे बिषधर सांपके बच्चासब! यदि तोंसब इमानदारीस क्षमा नहि मंगबे त ई नहि सोंच जे तोंसब परमेश्वरके क्रोधस' बांचि जएबे!8यदि सांच्चेके पापस' पश्चाताप कएने छी त', एहिके देखाएब सही काज करए'।9हम जनैत छी जे परमेश्वर अब्राहमके सन्तानसंगे रहबाक प्रतिज्ञा कएने छथि। मुदा तोंसब स्वयंके ई नहि कह, ‘किएकत' हमसब हमर पूर्वज अब्राहमके शारीरिक सन्तान छी, हमसब पाप कएनहुं रहब त' परमेश्वर हमरासबके दण्ड नहि देथिन।’ नहि! हम कहैत छी जे ओ एहि पत्थलसबके अब्राहमके सन्तान बनाबए सकैत छथि!10परमेश्वर अहाँसबके दण्ड देबएलेल एखने तैयार छथि, एहन मनुष्य जकां जे नीक फल नहि फड़एबला सबटा फलक गाछके जड़िस' काटएलेल परमेश्वरके न्यायके कुड़हरि शुरु भ' गेल अछि। एहन सबटा गाछके काटिक आगिमे फेक देतनि।”11“जहांधरि हमर प्रश्न अछि, हम ओतेक महत्वपूर्ण नहि छी, किएकत हम अहाँसबके पानिस' बपतिस्मा दैत छी। ई हम तखने दैत छी जखन लोकसब अपन पापके लेल पश्चाताप करैत अछि। मुदा केओ आओर जल्दिए औथिन जे सामर्थी काजसब करथिन। ओ हमरास' बेसी महान छथि, एतधरि जे हम हुनक दास बनिक हुनक जुता उठाबएके योग्य नहि छी। ओ अहाँसबके पवित्र आत्मामे आ आगिस' बपतिस्मा देताह।12ओ सुप ल' क' ठाढ़ छथि, अन्नके भूंसास अलग करबाक लेल तैयार छथि। ओ दौनी कएने खढ़िहानमेस' काज नहि लागएबला भूंसा उड़ाबएलेल तैयार छथि। ओ धर्मी लोकसबके घरमे ल' जएताह, जेना किसान अपन गहुमके बखारीमे भण्डार क' क' रखैत अछि; मुदा ओ दुष्ट लोकके जरा देताह, जेना केओ भूंसाके जरबैत होइक, एहन आगि जे कहियो नहि मिझाएल होइक।” 13किछु समयके बाद, यीशु गलील प्रदेशस' यरदन नदीलग गेलथि, जत बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना छलथि।14जं यीशु यूहन्नाके बपतिस्मा देब कहलखिन, त' यूहन्ना अस्वीकार क' देलनि; ओ कहलनि, “हमरा अहाँस' बपतिस्मा लेब आवश्यक अछि! मुदा अहाँ त' पापी नहि छी, तखन हमरालग किएक अएलहुं?”15मुदा यीशु बपतिस्मा देबएबला यूहन्नाके कहलनि, “एखन हमरा बपतिस्मा दिअ, किएकत' हमरासबके लेल सब धार्मिकताके पूरा करब एहि तरहें उचित अछि।” तखन यूहन्ना हुनका बपतिस्मा देब लेल तैयार भेलथि।16तेकर बाद तुरन्ते, यीशुके तुरन्ते बपतिस्मा भ' पानिस' बाहर अएलाह। तखन, आकाश खुजल जकां भेल, आ यीशु परमेश्वरके आत्माके एकटा पड़वाके रुपमे नीचा अबैत आ हुनकापर बैसल देखलनि।17फेरु परमेश्वर स्वर्गस' बजलथि, “ई हमर पुत्र छथि। हम हिनका प्रेम करैत छी, आ हम हिनकास' बेसी प्रसन्न छी।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.