Matthew2
1यीशुके जन्म यहूदिया प्रदेशके बेतलेहम शहरमे भेलनि रहनि, ओहि समयमे राजा हेरोदेस ओतए शासन करैत रहथि। यीशुके जन्म भेलाक किछु समय बाद, पूर्व दिसस' किछुगोटे तरेगन सम्बन्धमे अध्ययन करबाक लेल यरूशलेम नगरमे आएल रहथि।2ओसब लोकसबके पुछलनि, “यहूदीसबहक राजा भ' क' जनमलथि से कत छथि? हमसब एकटा तरेगन देखलहुं जं ई पूर्वमे देखाएल त ई एहि बातके देखएलनि जे ओ जनमल छथि, एहिलेल हमसब हुनक आराधना करए आएल छी।” 3ओसब लोकसबस' जाहि विषयमे पुछैत छल से सुनिक' राजा हेरोदेस समेत यरूशलेमके लोकसब बेसी बेचैन भ' गेल।4तखन हेरोद मुख्य पुजारी आ यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसबके बजौलनि। ओ हुनकासबस' पुछलनि जे प्रवक्तासब मसीहके जन्म कत होएत से भविष्यवाणी कएने छथि।5ओसब हुनका कहलनि, “ओ यहूदिया प्रदेशके बेतलेहम गाममे जन्म लेतथि, किएकत' मीका प्रवक्ता बहुत पहिने धर्मशास्त्रमे लिखने छथि,6‘अहाँ जे यहूदियाके बेतलेहममे रहनिहारसब छी, अहाँसबहक नगर सांच्चेके बेसी महत्वपूर्ण अछि, किएकत' एकगोटे अहाँक नगरस शासक होएत। हमर लोकसब जे इजराएलमे रहैत अछि तेकरा अगुवाइ करताह।’” 7तखन हेरोद राजा गुप्तमे तरेगन सम्बन्धी अध्ययन करएबला लोकसबके बजौलनि। ओ हुनकासबस' पुछलनि जे वास्तबमे प्रथम बेर तरेगन कहिया देखाइ देने रहैक।8तखन ओ हुनकासबके कहलनि, “बेतलेहममे जा' क आ नीक जकां पता लगाउ जे ओ बालक कत अछि। जं अहाँसब ओकरा पता लगा लैत छी, हमरालग आबि प्रतिवेदन पेश करु जे हम, अपने, हुनका सेहो, आराधना करए जा' सकी।”9ओसब राजाके निवेदन सुनलाकबाद, बेतलेहम दिस चलि गेलथि। ओकरासबके चकित करएलेल, जे तरेगन ओसब पूर्वमे देखने छल से तरेगन फेरुस ओकरासबहक आगु-आगु ओ बालकके रहल घरके उपर रुकि गेल।10जखन ओसब तरेगनके देखलनि, त' ओसब बहुत आनन्दित भेलथि आ ओहिके पाछु-पाछु चलि गेलथि। 11ओसब ओहि घरके पता लगाक, ओहिमे प्रवेश कएलनि, आ बालकके आ हुनक माय, मरियमके देखलनि। ओसब शिर निहुराक आ हुनक आराधना कएलनि। तेकरबाद ओसब अपन अपन बकसा खोलिक सोना, बहुमूल्य सुगन्धित धूप आ गन्धरस उपहार देलनि।12बादमे परमेश्वर ओकरासबके सपनामे दर्शन द' क' चेतावनी देलनि जे घुरिक' राजा हेरोद लग नहि जाएब। एहिलेल ओसब अपन देश चलि गेलथि, ओसब जाहि रस्ता आएल छलथि, ओहि द' क' नहि गेलथि।13तरेगन अध्ययन करएबला लोकसब बेतलेहम छोड़िक चलि गेलथि, प्रभुके एकटा दूत यूसुफ लग सपनामे प्रगट भेलथि। ओ कहलनि, “उठू, बालक आ मायके ल' क' मिस्रमे भागि जाउ। हम अहाँके ओतएस' आबए नहि कहए धरि ओतहि रहू, किएकत' राजा हेरोद अपन सेना पठाक' आ बालकके खोजत जे ओसब ओकरा मारि सकए।”14तएं यूसुफ ओहि राति उठिक; ओ बालक आ मायके लेलनि, आ ओसब मिस्रमे भागि गेल।15ओसब ओत हेरोद राजा नहि मरए धरि रहलथि, आ तखन ओसब मिस्रस' घुरिक आएल। एहि तरहें, जे प्रभु होशे प्रवक्ताद्वारा कहल गेल बात जे लिखने रहथि से पूरा भेल, “हम अपन पुत्रके मिस्रस' बजौली।” 16राजा हेरोद मरएस' पहिने, हुनका महसूस भेल जे ओ लोकसब ओकरा ठकि लेने छै, आ ओ बेसी क्रोधित भ' गेल। किएकत ओ सोंचलक जे यीशु एखनो बेतलेहमके लगपासबला गाममे होएतै, हेरोद सेना पठौलनि जे दू सालस' कम उमेरक बच्चासबके मारि देल जाए। हेरोद हिसाब कएलनि जे ओ बालक कतेक वर्षके भ' गेल होएतै, ओ तरेगनके अध्ययन करएबला लोकसब पहिन बेर देखाइ देने तरेगन अनुसार।17जं हेरोद एना कएलनि त', जे बहुत दिन पहिने यर्मियाह प्रवक्ता लिखने बात सांच भेल, जं ओ बेतलेहमके लगमे रहल नगर रामाके विषयमे लिखलनि:18रामाहमे रहल स्त्रीसब कनैत छलीह आ जोरस' विलाप करैत छलीह। ओहि स्त्रीसबहक पूर्वज राहेल, जे अपन मरल बच्चासबके लेल विलाप करैत छलीह। लोकसब ओकरा सान्त्वना देब चाहलक, मुदा ओसब नहि देब सकलथि, किएकत' सब बालक मरि गेल छल। 19राजा हेरोद मरलाके बाद आ जखन यूसुफ आ हुनक परिवार मिस्रेमे रहैक, प्रभुद्वारा पठाओल गेल एकटा दूत यूसुफ लग सपनामे प्रगट भेलथि। ओ यूसुफके कहलनि,20“उठू आ बालक आ ओकर मायके लिअ आ इजराएल देशमे रहएलेल चलि जाउ किएकत' जे लोक बालकके प्राण लिअ चाहएबला छल से मरि गेल अछि।”21तएं यूसुफ बालक आ ओकर मायके लेलथि, आ इजराएल देश चलि गेलथि।22जं यूसुफ सुनलनि जे यहूदिया प्रदेशमे अपन पिता, राजा हेरोदके स्थानमे अरखिलाउस शासन करैत अछि, ओ ओत जाएस' डेरा गेल। तब परमेश्वर यूसुफके सपनामे निर्देशन देलनि जे की करबाक अछि, तएं यूसुफ, मरियम, आ बालक गलील प्रदेशमे गेल।23ओसब रहएलेल नासरत नगरमे गेल। यीशुके विषयमे बहुत दिन पहिने जे प्रवक्ता कहने रहथि से सांच भेल: “लोकसब कहत जे ओ नासरत स' अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.