Matthew28

1सप्ताहके पहिन दिन भोरे जखन विश्रामक दिन समाप्त भेल, तखन मगदला नगरक मरियम आ एकटा आओर महिला जिनकर नाम मरियम छलनि, यीशुक कबर देखए लेल गेलीह।2अचानक शक्तिशाली भूकम्प आबि गेल, कारण प्रभुक एकटा स्वर्गदूत स्वर्गस' उत्तर छलथि। ओ कबर दिस गेलाह आ ओहि विशाल पत्थलके कबरक प्रवेशद्वारस' हटा देलनि। तखन ओ ओहि पत्थलपर बैसि गेलाह।3ओ स्वर्गदूत बिजली जकां चमकैत छल, आ हुनकर वस्त्र बर्फ जकां उज्जर छल।4पहरदारी करएबला सिपाहीसब स्वर्गदूतस' डेरा गेलाक कारणे कांपि उठल, तखन ओसब मरि गेल जकां खसि पड़ल।5स्वर्गदूत ओहि दुनू स्त्रीके कहलनि, “नहि डेराउ! हम जनैत छी जे अहाँ यीशुके ताकि रहल छी, जिनका लोकसब क्रूसपर चढ़ा देलक।6मुदा ओ एत नहि छथि, कारण परमेश्वर हुनका फेरुस' जीवित स' देने छथि! ई ठीक ओहिना भेल जेना यीशु अहाँके ई घटना घटित होएबाक विषयमे कहलनि! आउ आ देखू ओ स्थान कबरमे जत हुनकर लास पड़ल छल!7तखन जल्दी-जल्दी जाउ आ हुनकर चेलासबके कहि दिऔ, ‘परमेश्वर हुनका मृत्युमेस' जीवित क' देलनि अछि! सुनू! ओ अहाँसबस' पहिने गलील प्रदेशमे जएताह। ओतए अहाँ हुनका देखबनि।’ जे हम अहाँके कहने छी, से सुनू!”8तएं ओ दुनू स्त्री जल्दी-जल्दी कबरमेस' चलि गेलीह। ओ भयभीत भ' गेल छलीह, मुदा बहुत आनन्दित सेहो छलीह। जत हुनकर चेलासब तैनात छलाह ओसब ओतए भागि गेलाह जाहिस' की भेल छल हुनकासबके बुझा सकथि।9अचानक यीशु हुनकालग प्रगट भेलाह। ओ कहलनि, “अहाँसबके शान्ति!” ओ दुनू महिला हुनकालग आबि गेलीह। ओसब हुनकर पयर पकड़िक' प्रणाम कएलनि।10तब, यीशु हुनकासबके कहलनि, “डेराउ नहि! जाउ आ हमर चेलासबके कहि दिअ जे गलील प्रदेशमे जाउ। ओसब हमरा ओतहि देखताह।”11जखन दुनू महिला यीशुक चेलासब लग जा' रहल छलीह तखन किछु सिपाही जे यीशुक कबरपर पहरा दैत छलाह, यरूशलेम गेलाह। ओ मुख्य पुजारीसबके कबरपर जे किछु भेल छल, तेकर सूचना देलनि।12तएं मुख्य पुजारी आ यहूदीसबहक बूढ़-पुरानसब एकठाम जमा भ' क' निर्णय लेलनि जे ओसब की करतथि। ओहि सिपाहीसबके ओ बहुत पाइ घूसक रुपमे देलक।13ओ कहलनि, “सब लोकसबके कहि दिऔ जे रातिमे जखन अहाँ सुतल रही तखन हुनकर चेलासब आबिक' हुनकर लास चोरा लेलनि।14जं राज्यपाल ई बात सुनि लेताह त' हमसब स्वयं हुनका मना लेबनि जे अहाँसबके सजाए नहि देथि। तएं अहाँके चिन्ता करबाक कोनो जरुरति नहि अछि।”15तखन सिपाहीसब जे यीशुक कबरक पहरा दैत छल, ओ सब घूसक रुपमे पाइ ल' क' जे काज मुख्य पुजारी आ बुजुर्ग लोकसब कहने छल से कएलक। आ लोक एखनो यहूदीसबहक बीच ई कथा कहैत अछि।16बादमे यीशुक एगारहटा चेला गलील प्रान्त गेलाह। ओसब ओहि पहाड़पर गेलाह जत यीशु हुनकासबके जएबाक लेल कहने रहथि।17हुनका ओतए देख ओसब प्रणाम कएलनि। मुदा, किछु गोटेके शंका छलनि जे ई वास्तवमे यीशु छथि की नहि।18तखन यीशु हुनकासबलग आबिक' कहलनि, “हमर पिता हमरासब स्वर्ग आ पृथ्वीपर वस्तु आ सब लोकपर शासन करबाक अधिकार देने छथि।19तएं जाउ आ हमर सन्देश सब जातिके लोकसबमे प्रचार करु जाहिस' ओसब हमर चेला बनि सकए। हुनकासबके ई प्रगट करबाक लेल बपतिस्मा दिअ जे ओसब स्वयंके पिता, पुत्र आ पवित्र आत्माके नाममे समर्पित क' देने छथि।20हुनकासबके सिखाउ जे हम अहाँके जे किछु आज्ञा देने छी, ओकर पालन करथि। आ ई निश्चयक' लिअ, हम सदिखन अहाँक संग रहब, जाधरि ओ समय नहि आबि जाएत ताधरि संसारके अन्त नहि भ' जाएत।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67