Matthew27

1दोसर दिन भोरे-पराते, मुख्य पुजारी आ यहूदीसबपर शासन करएबला बूढ़-पुरान लोकसब एकसंग मिलक' रोमीसबके यीशुके मारबाक लेल मनएबाक योजना बनौलनि।2तखन ओसब अपन पहरदार सब यीशुके हाथ बान्हएलेल आदेश देलक। ओसब हुनका रोमी राज्यपाल पिलातुस लग ल' गेल।3जे यहूदा यीशुक शत्रुसबके पकड़बामे मदति कएने छलाह, हुनका बुझएमे अएलनि जे मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसब निर्णय कएने छथि जे यीशुके दोषी ठहराओल जाइक। तएं हुनका ओकरासबके मदति कएने बातपर पछतावा भेलनि। जे हुनका चानीके तीसटा सिक्का देल गेल छल ओहिके ल' क' ओ मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसबलग घुरि गेलाह।4ओ कहलनि, “हम पाप कएलहुं। एकटा निर्दोष व्यक्तिके मृत्युके सजाए देबएमे हम अहाँक मदति कएलहुं।” ओसब जबाब देलथिन, “हमरासबहक लेल एकर कोनो मतलब नहि अछि! ई अहाँक समस्या अछि!”5तएं यहूदा ओहि चानीके रुपैयासबके मन्दिरमे फेक देलनि। तखन जा' क फांसी लगा लेलनि।6मुख्य पुजारीसब यहूदाद्वारा फेकल गेल सिक्का उठा लेलनि। ओ बजलाह, “ई पाइ अछि जे हमसब कोनो व्यक्तिके मृत्युके लेल चुका देने छी। तएं हमरासबके एहि पाइके मन्दिरक खजानामे राखब व्यवस्था अनुसार उचित नहि अछि।”7तएं, एहि विषयपर आगु चर्चा कएलाक बाद ओसब ओहि चानीके रुपैयास' एकटा खेत किनलक जेकरा लोक कुम्हारके खेत कहैत छल। ओहि खेतके एहिलेल किनलक जे ओहिके एकटा एहन जगह बनाओल जाए जत ओसब यरूशलेममे मरि गेल विदेशीसबके दफन क' सकथि।8ताहिके लेल लोकसब एखनो ओहि स्थानके “लेहूके खेत” कहैत अछि।9ओहि खेतके किनक' ओसब एहि बातके पूरा कएलनि जे यर्मियाह प्रवक्ता पवित्र शास्त्रमे लिखने छथि। “ओसब चानीके 30 टा रुपैया ल' लेलनि, जेकर मूल्य इजराएलीसब निर्धारीत कएने छल ,10आ ओहि पाइस' कुम्हारके खेत किन लेलनि। ओसब ओहिलेल कएलनि जेना प्रभु आज्ञा देने छलाह।”11तखन यीशु पिलातुस राज्यपालके समक्ष ठाढ़ भ' गेलाह। पिलातुस हुनकास' पुछलनि, “की अहाँ कहैत छी जे अहाँ यहूदीसबहक राजा छी?” यीशु हुनका उत्तर देलनि, “अहींसब एना कहैत छी।”12मुदा जखन मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसब यहूदीसबहक यीशुपर विविध गलत काज करबाक आरोप लगौलनि तखन ओ कोनो उत्तर नहि देलनि।13तखन पिलातुस हुनका कहलनि, “अहाँ ई सब बात सुनैत छी जे ओसब अहाँपर आरोप लगा रहल छथि! एहिपर अहाँके किछु कहबाक चाही!”14मुदा यीशु हुनकासबके एकटा बातके उत्तरमे किछु नहि कहलनि। परिणाम स्वरुप राज्यपाल बहुत आश्चर्यचकित भ' गेलाह।15प्रत्येक वर्ष फसह पवनिक अवसरपर राज्यपालद्वारा एकगोटेके जहलस' छोड़ि देबाक प्रथा अछि। जेकरा लोक चाहैत छल ओ ओकरा छोड़ि दैत छलथि।16ओहि समयमे रोमीसब एकटा प्रसिद्ध भाइके यरूशलेममे बंदी बनाक' रखने छल। हुनकर नाम बरब्बा छल।17जखन लोकसब जमा भेल तखन पिलातुस हुनकासबके पुछलनि, “अहाँसब चाहैत छी जे हम अहाँसबहक लेल कोन भाइके छोड़ि दी: बरब्बा वा यीशुके, जेकरा अहाँसबमेस' किछु लोक मसीह कहैत छी?”18ओ ई प्रश्न कएलनि कारण ओ जनैत छलाह जे यहूदी नेतासब यीशुके हुनकालग मात्र एहिलेल अनने छथि जे हुनकासबके यीशुस' ईर्ष्या भेलनि।19जखन पिलातुस ओहि न्यायक आसनपर बैसल छलाह जत स' ओ प्राय न्याय करैत छलाह, तखन हुनकर पत्नी हुनका ई सन्देश पठौलनि, “आइ हमरा ओहि आदमीक विषयमे एकटा सपना देखलहुं अछि, आ ई हमरा बहुत परेशान कएलक। तएं ओहि धर्मी आदमीके निन्दा नहि करु!”20यहूदीसबहक मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसब ओहि ठाम जमा भेल लोकसबके मना लेलनि जे पिलातुस बरब्बाके छोड़ि दिए आ यीशुके मारि देबाक लेल कहथि।21राज्यपाल हुनकास' पुछैत उत्तर देलनि, “अहाँ चाहैत छी जे हम अहाँके एहि दुनू आदमीमेस' कोन आदमीके छोड़ि दी?” ओ उत्तर देलनि, “हमसब चाहैत छी जे अहाँ बरब्बाके छोड़ि दिऔक!”22पिलातुस हुनकासबस' पुछलनि, “तखन हम यीशुके संग की करु, जिनका अहाँसबमेस' किछुगोटे मसीह कहैत छिऐ?” ओसब उत्तर देलक, “अपन सिपाहीसबके ओकरा क्रूसपर चढ़ाबके आज्ञा दिऔ!”23पिलातुस उत्तर देलनि, “नहि! ओ कोनो अपराध नहि कएने छथि!” मुदा ओसब आओर जोरस' चिचिआ उठल, “अपन सिपाहीसबके ओकरा क्रूसपर चढ़एबाक आज्ञा दिऔ!”24पिलातुसके बुझाएल जे ओ किछुओ पूरा नहि क' रहल छथि। बल्कि लोक दंगा करए लागल छल। तएं ओ एकटा घैलामेस' पानि ल' क' हाथ धो लेलनि जखन की भीड़ हुनका देखैत छल। ओ बजलाह, “हाथ धोक' हम अहाँके ई तथ्य उजागर क' देलहुं जे हम एहि आदमीके मारबाक कोनो दोषी नहि छी! ई अहाँक समस्या अछि!”25आ सब लोक उत्तर देलक, “एहि आदमीके हत्या क जिम्मेवार हमसब आ हमरासबहक वंशज अछि!”26तखन पिलातुस सिपाहीसबके बरब्बाके छोड़ि देबाक लेल आदेश देलनि। मुदा ओ अपन सिपाहीसबके यीशुके चमड़ाक पट्टास' कोड़ा मारबाक आदेश देलनि, जाहिमे ओसब धातुक टुकड़ी आ हड्डी बान्हि दैत छलाह। तखन ओ सिपाहीसबके कहलनि जे यीशुके ल' क' क्रूसपर चढ़ा दिऔ।27तखन पिलातुसके सिपाहीसब यीशुके सरकारी मुख्यालय ल' गेलाह। तखन सेवामे उपस्थित सैनिकसबके पूरा समूह यीशुक चारुकात जमा भ' गेल।28ओसब हुनकर उपरका वस्त्र उतारिक' लाल रंगके वस्त्र पहिरा देलक जाहिस' ओ राजाक नाटक क' सकथि।29किछु कांटकुश डाढ़िसबके बुनिक मुकुट बना हुनकर माथपर राखि देलक। दहिना हाथमे नरकटके लाठी पकड़ने छलाह। तखन ओसब हुनका सोझा ठेहुनियां दैत हुनकर उपहास करैत कहलनि, “यहूदीसबहक शासन करएबला राजाके नमस्कार!”30हुनकापर थूकैत रहल। हुनकास' नरकटके लाठी ल' क' माथपर मारैत रहल।31जखन ओकरासबके हुनकर उपहास करए भ' गेल त' हुनकर वस्त्र उतारि ओसब अपन कपड़ा पहिरा देलक। तखन हुनका क्रूसपर चढ़ाबए लेल सरकारी मुख्यालयस' ल' गेल।32जखन ओसब यरूशलेमस' बाहर जा' रहल छल तखन सिपाहीसब कुरेन नगरक एकटा आदमीके देखलक। हुनकर नाम सिमोन छल। ओसब ओकरा यीशुक लेल क्रूस उठाबए बाध्य क' देलक।33ओसब एकटा एहन स्थानपर पहुंचलाह जेकरा लोक गुलगुता कहैत छल। ओहि नामक अर्थ होइत छै “खोपड़ीक स्थान।”34तखन ओसब यीशुके दाखरस देलनि जे ओसब दवाइमे मिला देने रहैक जे ओ पीबि लैक। ओकरा चिखलाक बाद यीशु पिबएस' मना क' देलनि।35यीशुके क्रूसपर चढ़ाएल गेलाकबाद ओसब हुनकर कपड़ाक लेल जुआ खेलक' ओकरा अपनामे बांटि लेलक। 36तखन ओ सिपाहीसब हुनकर पहरा देब लेल बैसल छल जाहिस' केओ हुनका नहि बचा सकए।37ओसब यीशुक माथके उपर क्रूसपर एकटा पटहा ठोकि देने छल जाहिपर केओ लिखने छल जे ओसब हुनका क्रूसपर किएक चढ़ा देलनि। ओहिपर लिखल छल, “ई व्यक्ति, यहूदीसबहक राजा, यीशु छथि।”38यीशुक संग ओसब आओर दूगोटेके क्रूसपर चढ़ा देलक जे डकैत छल। ओसब एकटाके यीशुक दहिनाकात आ दोसरके यीशुक बामा कात क्रूसपर चढ़ा देलक।39ओहि द' क' अबैत जाइत लोकसब माथ हिलबैत हुनकर अपमान करैत छल।40ओ हुनका कहलनि, “अहाँ कहलहुं जे अहाँ मन्दिरके नाश क' देब आ फेरु तीन दिनमे बना देब। जं अहाँ से क' सकैत छी त' स्वयंके बचाउ! जं अहाँ सचमुच परमेश्वरक पुत्र छी, तखन ओहि क्रूसस' उतरिक' सिद्ध करु!”41एहि तरहें मुख्य पुजारी, शास्त्री आ बूढ़-पुरानसब यीशुक उपहास कएलनि। ओसब एक-दोसरस' कहलनि,42“लोक दाबी करैत अछि जे ओ दोसरके खतरास' बचा लेलक, मुदा ओ स्वयंके नहि बचा सकैत छथि! ओ दाबी करैत छथि जे ओ एकटा एहन राजा छी जे इजराएलके लोकपर शासन करैत छथि। जं हुनकर बात सत्य अछि, तखन हुनका एखन क्रूसस' उतरए पड़तनि! तखन हमसब हुनकापर विश्वास करब!43ओ कहैत छथि जे हुनका परमेश्वरपर भरोसा अछि, आ ओ परमेश्वरक पुत्र छथि। तएं जं परमेश्वर हुनकास' प्रसन्न छथि त' परमेश्वर हुनका एखनहि उद्धार करथि!”44तहिना दुनू डकैत, जेकरा सिपाहीसब यीशुक बगलमे क्रूसपर कांटी ठोकि देने छल, ओकर अपमान कएलक।45दुपहरमे पूरा देश अन्हार भ' गेल। ई अन्हार दुपहर तीन बजे धरि रहल।46लगभग तीन बजे यीशु जोर-जोरस' आवाज देलनि, “एली, एली, लामा सबक्तानी?” एकर अर्थ होइत छै, “हमर परमेश्वर, हमर परमेश्वर, अहाँ हमरा किएक छोड़ि देलहुं?” 47जखन ठाढ़ किछु लोकसब सुनलनि ओ ई बात कहलनि त' ओसब गलत बुझिक' कहलकनि, “ओ एलियाहके प्रवक्ता कहि रहल छथि!”48ओहि समयमे एकगोटे दौड़ल आ एकटा पनिसोखा अनलकनि। ओकरा नरकटके लाठीपर राखि उपर उठएलनि जाहिस' यीशु ओहिमेस' तिताह दाखमद्य पीबाक प्रयास करथि।49मुदा ओतए आन लोकसब कहलकनि, “रुकू! देखू जे एलियाह ओकरा बचाब' अबैत छथि वा नहि!”50तखन फेरु जोर-जोरस' चिचिअएलाक बाद यीशु स्वेच्छास' अपन प्राण त्यागिक' मरि गेलाह।51तखन मन्दिरक मोटका पर्दा जे पवित्र स्थानके घेरने छल उपरस' नीचा धरि दू भागमे फाटि गेल। परमेश्वर पृथ्वीके सेहो हिला देलनि आ किछु चट्टानके तोड़ि देलथिन।52परमेश्वर कबर खोललनि। अपन कतेको पवित्र लोकक मृत शरीरके सेहो जीवित उठएलनि।53यीशु मृत्युमेस' जीवित भ' उठलाक बाद ओसब कबरस' बाहर निकलि पवित्र शहर यरूशलेम चलि गेलाह। बहुत लोक हुनका ओतए देखलनि।54जखन सेनापति जे सिपाही सबहक आज्ञा द' रहल छल आ जे सिपाहीसब यीशुक संग हुनकर पहरा द' रहल छल, भूकम्पके अनुभूति कएलनि आ सब किछु देखलनि त' ओसब भयभीत भ' गेलाह। ओसब चिचिआए लगलाह, “ई निश्चय रुपस', ई यीशु परमेश्वरक पुत्र छलाह!”55कतेको स्त्रीसब दूरस' देखैत छलीह। ई महिलासब यीशुक संग गलील प्रदेशस' आएल छलीह जाहिस' हुनकर सेवा क' सकए।56एहि स्त्रीसबमे मगदला निवासी मरियम, एकटा आओर मरियम जे याकूब आ यूसुफके माय छलीह, आ जब्दीके पुत्र याकूब आ यूहन्नाक माय छलीह।57जखन सांझ शुरु भेल त' एकटा सेठ ओतए आबि गेल। हुनकर नाम यूसुफ छलनि आ ओ अरिमतिया नगरक छलाह। ओ यीशुक चेला सेहो छलाह।58यूसुफ पिलातुस लग गेलाह आ हुनकास' यीशुक लासके ल' जएबाक आ ओकरा गाड़बाक अनुमति मंगलनि। पिलातुस अपन सिपाहीसबके आदेश देलनि जे ओसब ओहि लासके ल' जाइक।59तएं यूसुफ आ आन लोकनि ओहि लासके ल' लेलनि। ओ एकरा शुद्ध मलमलके वस्त्रमे लपेटि लेलक।60तखन ओसब यीशुक लास यूसुफके नव कबरमे राखि देलक, जेकरा मजदूरसब एकटा चट्टानस' काटि देने छल। तखन ओसब कबरक प्रवेशद्वारके आगु एकटा विशाल समतल पत्थल गुड़कौलनि। तेकरबाद ओसब चलि गेलाह।61मगदला नगरक मरियम आ दोसर महिला, जेकर नाम मरियम छल, कबरके सामने बैसल छल।62दोसर दिन यहूदीसबके विश्राम-दिनके तैयारीके दिन छल। ओहि दिन मुख्य पुजारी आ किछु फरिसीसब एकठाम जमा भ' पिलातुसस' भेटल। 63ओ ओकरा कहलनि, “हे स्वामी, हमरासबके मन अछि जे जखन ओ जीवित छलाह तखन ओ कहने छलाह जे परमेश्वर हुनका तेसर दिन फेरुस' जीवित करताह।64तएं हमसब अहाँस' आग्रह करैत छी जे अपन सिपाहीसबके तीन दिन धरि ओहि कबरके पहरा देखबाक लेल आदेश दिऔ। जं अहाँ ई काज नहि करब त' हुनकर चेलासब ओतए जा' क' लासके चोरा सकैत अछि। तखन लोकसबके कहताह जे परमेश्वर हुनका मरलाक बाद जीवित उठएलनि अछि। जं ओ लोकसबके एहि तरहें धोखा देत तखन ई पहिनेस' बेसी खराब होएत जाहि तरहें ओ लोकके धोखा देलक।”65पिलातुस हुनकासबके कहलनि, “ठीक अछि, किछु सिपाहीसबके ल' जाउ। आ ओहि कबरके रक्षा जतेक सम्भव भ' सकए ओतेक करु।”66तएं, ओसब कबर दिस गेलाह आ कबरक प्रवेशद्वार आगु विशाल समतल पत्थलके मुंहपर छाप लगाक' सुरक्षित क' लेलनि। ओतहि किछु सिपाहीके सेहो छोड़िक' कबरके पहरा देब लेल छोड़ि देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67