Mark1
1ई परमेश्वरक पुत्र यीशु मसीहके सुसमाचारके शुरुआत अछि।2एहि सुसमाचारके शुरुआत ओहिना भेल जेना यशायाह प्रवक्ताके पुस्तकमे लिखल अछि, “देखू, हम अहाँसबके आगु अपन एकटा दूत पठा रहल छी। अहाँके आगमनके समय ओ लोकसबके तैयार करताह।3ओ निर्जन स्थानमे हुनकर बात सुनएबलासबके लेल जोर-जोरस' बजैत आवाज, जे सुनाइ देत, ‘प्रभुके स्वागत करबाक लेल सबगोटे तैयार रहू। हुनकर आगमनके लेल सब किछु सोझ करु।’”4यशायाह जाहि दूतके विषयमे लिखने रहथि, ओ यूहन्ना छलाह। लोकसब हुनका “बपतिस्मा देबएबला” कहैत छलनि। ओ यरदन नदीलग एकटा निर्जन स्थानमे रहैत छलाह। ओ लोकसबके बपतिस्मा दैत घोषणा करैत छलथि जे जं ओसब अपन पापके पश्चाताप करत त' ओ ओकरा बपतिस्मा देतनि आ परमेश्वर ओकरासबके पाप क्षमा करताह।5यहूदिया प्रदेशक आ यरूशलेम नगरक बहुते लोकसब यूहन्नाके वचन सुनबाक लेल निर्जन स्थानमे आबि गेल। हुनकर बात सुनएबला बहुते लोक एहि बातस' सहमत रहए जे ओसब पाप कएने अछि। तखन यूहन्ना ओहि सबगोटेके यरदन नदीमे बपतिस्मा देलनि।6 यूहन्ना ऊंटके केशस' बनल वस्त्र आ डांढ़मे चमड़ाके डरकस पहिरने छलाह। ओहि निर्जन क्षेत्रमे भेटएबला एक प्रकारके फनिगा आ वन-मधु मात्र खाइत छल।7ओ एना प्रचार करैत छलाह, “ओ जल्दिए आबएबला जे छथि ओ बड्ड महान छथि। हुनका आगु हम किछुओ नहि छी। हम झुकिक' हुनक जुताके डोंरी खोलि सकी ताहि योग्य सेहो नहि छी।8हम अहाँसबके पानिस' बपतिस्मा दैत छी, मुदा ओ अहाँसबके पवित्र आत्मास' बपतिस्मा देताह।”9जखन यूहन्ना प्रचार करैत छलाह, तखने यीशु गलील प्रदेशक नासरत नगरस' अएलथि। जत यूहन्ना प्रचार करैत छलाह, ओ ओत गेलाह आ यूहन्ना हुनका यरदन नदीमे बपतिस्मा देलनि।10जखन यीशु पानिमेस' उपर अएलाह, ओ आकाशके खुजैत आ परमेश्वरके आत्माके अपना उपर उतरैत देखलथि। परमेश्वरके आत्मा पेड़ुकी रुपमे आकाशस' उतरलथि।11तखन परमेश्वर आकाशमेस' कहलनि, “अहाँ हमर प्रिय पुत्र छी, अहाँस' हम अगाध प्रेम करैत छी। हम अहाँस' बहुत प्रसन्न छी।”12तखन परमेश्वरके आत्मा यीशुके निर्जन स्थानमे ल' गेलथि।13यीशु ओतए चालीस दिन धरि रहलथि। ओतए, शैतान हुनकर परीक्षा लेलक। ओतए वनैया पशुसब सेहो संगे रहए, आ स्वर्गदूत हुनक सेवा करैत रहए।14जखन राज्यपाल हेरोद एन्तिपास बपतिस्मा देनिहार यूहन्नाके जहलमे बंद क' देलकनि, तब यीशु गलील प्रदेशमे गेलाह। ओतहि, ओ परमेश्वरके राज्यके सुसमाचार प्रचार करए लगलथि।15ओ प्रचार करैत कहलथि, “अन्तिम समय आबि गेल अछि। परमेश्वर जल्दिए देखौथिन जे ओ राजा छथि। पश्चाताप करु आ सुसमाचारपर विश्वास करु।”16एकदिन यीशु गलीलके झील कात दने जाइत काल, सिमोन आ ओकर भाइ अन्द्रेयासके देखलनि। ओसब माछ पकड़एलेल अपन जाल झीलमे फेकैत रहए। ओसब माछ मारैत छल आ ओकरा बेचक' धन कमाइत छल।17तखन यीशु ओकरासबके कहलकनि, “जेना अहाँसब माछ पकड़ैत छी, हमर पाछु चलू, आ हम अहाँसबके सिखाएब जे हमर चेला बनाबएलेल लोकसबके कोना एकठाम जमा कएल जाए।”18यीशुके कहलाक' बाद, लगले ओसब जाल छोड़िक' हुनकासंग लागि गेल।19ओकरासब कनिके आगु बढ़लाक बाद, यीशु दूगोटे आओर पुरुष याकूब आ ओकर भाइ यूहन्नाके देखलनि। ओसब जब्दी नामके एक आदमीके बेटा छल। ओसब नावमे माछक' जालके सोझरा रहल छल।20जहिना यीशु ओकरासबके देखलनि, त' ओ ओहि भाइसबके हुनकासंग चलए लेल कहलनि। तएं ओ अपन बाबू जब्दीके नोकरसबसंगे नावमे छोड़िक' यीशुसंगे चलि गेल।21यीशु आ हुनकर चेलासब लगके नगर कफरनहूममे अएलाह। ओतए विश्राम-दिनमे यीशु यहूदीसबके सभाघरमे शिक्षा देब लगलथि।22सुनएबला लोकसब हुनकर अधिकारस' सिखएबाक तरीकास' आश्चर्यचकित भ' गेल। ओ एहन शिक्षक जकां शिक्षा देलथिन जे ओहि बातपर निर्भर होइत अछि जाहि विषयमे ओ स्वयं जनैत होथि। केओ दोसर गोटे सिखऔने अलग-अलग बात सबके दोहराबएबला यहूदी व्यवस्था सिखऔनिहार जकां ओ शिक्षा नहि देलथिन।23यहूदीसबके सभाघरमे जत यीशु शिक्षा देलथिन, ओतए दुष्टात्माके वशमे रहल एकटा आदमी छल। ओ दुष्टात्मा लागल मनुष्य चिचिआए लागल,24“यौ नासरत गामके यीशु! हम दुष्टात्मासबस' अहाँके कोनो सोराकर नहि अछि! की अहाँ हमरासबके विनाश करएलेल आएल छी? हम जनैत छी जे अहाँके छी। अहाँ परमेश्वरके पवित्र जन छी!”25यीशु ओहि दुष्टात्माके डांटिक' कहलनि, “चुप भ' जो आ ओहि मनुष्यमेस' निकलिक' भागि जो!”26ओ दुष्टात्मा ओहि मनुष्यके जोड़स' पटकैत जोड़स' चिचिआइते ओहि मनुष्यके छोड़िक' भागि गेल।27सभाघरमे जमा भेल सबगोटे आश्चर्यचकित भ' गेल। तखन, ओसब एक-दोसरस' ई कहैत चर्चा करए लागल, “हमसब पहिने कहियो एहन दृश्य नहि देखने रहिऐ! ओ नव आ अधिकारीक रीतिस' मात्र शिक्षा मात्र नहि दैत छथि, बल्कि ओ त' दुष्टात्मासबके आदेश सेहो दैत छथि, आ ओसब हुनकर बातके पालनो करैत अछि!”28ओसब जल्दिए सौंसे गलील प्रदेशमे बहुते लोकसबके ओएह बतौलनि जे यीशु कएने छलथि।29जखन ओसब यहूदीसबके सभाघरस' बाहर निकलि याकूब, यूहन्ना, सिमोन आ अन्द्रेयास संग यीशु सोझे अन्द्रेयास आ पत्रुसके घर गेलाह।30सिमोनक' सासु बेमार भ' क' खटियापर पड़ल छलीह; अर्थात् ओ बोखारस' अपतप छलीह। ओहि समय केओ यीशुके कहि देलकनि जे ओ बेमार छथि।31यीशु हुनकालग जाक' आ हुनक हाथ पकड़िक' ठाढ़ होबएमे सहायता कएलनि। ओ तुरन्ते बोखारस' ठीक भ' गेलीह आ हुनकासबके सेवा-टहल करए लगलीह।32ओहि दिन सांझमे, लगपासक क्षेत्रके लोकसब यीशु लग आओर लोकसबके जे बेमार आ दुष्टात्मासबस' पीड़ित रहए तेकरा ल' क' आबि गेल।33एना बुझाति रहए जे कफरनहूम नगरक रहनिहारसब सिमोनके दुआरिपर जमा भ' गेल होए।34जे अनेको रोगस' बेमार छल तेकरासबके यीशु चंगा कएलनि। ओकरासबमेस' दुष्टात्मासबके भगा देलथिन। ओ दुष्टात्मासबके हुनका विषयमे बताबए नहि देलनि, किएकत ओसब जनैत छल जे ओ परमेश्वर दिसस' आएल पवित्र जन छथि।35दोसर दिन, भिनसरे यीशु उठलनि। ओ घरस' निकलि एकान्त स्थानमे जाक' प्रार्थना कएलनि।36सिमोन आ हुनक संगी हुनका खोजए लगलनि।37जखन ओसब हुनकालग पहुंचल तखन ओसब कहलक, “नगरक लोकसब अहाँके ताकि रहल अछि।”38यीशु हुनका कहलनि, “हमरा एहि प्रदेशक आन नगरमे जएबाक जरुरी अछि जे हम ओत प्रचार क' सकी। हम एत एहिलेल आएल छी।”39एहिलेल ओ पुरे गलील प्रदेशमे गेलाह। जखन ओ गेलाह, त' यीशु यहूदीसबके सभाघरमे प्रचार करैत छलाह आ दुष्टात्मासबके लोकसबमेस' बाहर निकलएमे विवश करैत छलथि।40एकदिन एकटा कोढ़ि फुटल मनुष्य यीशु लग आएल। ओ यीशुके आगु ठेहुनियां द' क' निहोरा करए लागल, “यौ हमरा शुद्ध क' दिअ किएकत' यदि अहाँक इच्छा भेल त' अहाँ हमरा शुद्ध क' सकैत छी!”41यीशुके ओकरापर दया आबि गेलनि। अपन हाथ बढ़ाक' ओहि मनुष्यके छुबि देलनि। ओ ओहि मनुष्यके कहलनि, “हमर इच्छा अछि जे हम अहाँके ठीक करी, एहिलेल ठीक भ' जाउ!”42लगले ओ आदमी ठीक भ' गेल! आब ओ कोढ़ि नहि रहल!43यीशु जखन ओहि मनुष्यके विदा करैत काल ओकरा ई कहिक' चेतावनी देलथिन,44“जे किछु एखन भेल से केकरोस' नहि कहबनि। बल्कि, पुजारीलग जाक' देखाउ जे आब अहाँके कोढ़ि नहि अछि। तखन कोढ़िस' परमेश्वर चंगा होएबलाके जे भेटी चढ़एबाक आज्ञा मूसा देने रहथि से चढ़ाउ। ई समुदायके लेल गवाही होएत जे आब अहाँके कोढ़ि नहि अछि।” 45ओ मनुष्य यीशुक' आज्ञा नहि मानलक। ओ बहुते लोकसबके ई घोषणा करए लागल जे यीशु कोना ओकरा ठीक कएलनि। तएं, यीशु फेरु सार्वजनिकरुपस' नगरमे नहि जा' सकलनि, किएकत' लोकक भीड़ हुनका घेरि लैत छलनि। मुदा, ओ नगरके बाहर एकान्त स्थानमे रहैत छलथि। मुदा, ओहि प्रदेशक लोकसब यीशु लग अबिते छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.