Matthew26

1यीशु ई सब बात सिखएनाइ समाप्त क' क' अपन चेलासबके कहलनि,2“अहाँसबके बुझल अछि जे दू दिनके बाद यहूदीसबहक फसहके पर्वके उत्सव शुरु भ' जाएत। ओहि समयमे केओ हमरा, मनुष्यक पुत्र ओहि लोकसबलग ल' जाएत जे हमरा क्रूसपर कांटी ठोकिक' मारि देत।”3ओहि समयमे मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसब मुख्य पुजारीक घरमे जमा भेलथि। मुख्य पुजारीक नाम काइफा छलनि।4ओतए ओसब योजना बनौलनि जे कोनाक' गुप्तरुपस' यीशुके पकड़ि सकैत छथि आ केओ हुनका मारि सकैत छथि।5ओसब एक-दोसरमे कहैत रहलाह, “हमरासबके फसह उत्सवक समयमे नहि पकड़बाक चाही। जं हमसब एना करब त' लोक दंगा क' सकैत अछि।”6यीशु आ हुनक चेलासब बेतनिया गाममे सिमोनक घरमे रहथि, जेकरा यीशु कोढ़ि नामक रोगस' चंगा क' देने रहथि।7जखन ओ ओहि घरमे रहथि तखन एकटा स्त्री हुनकालग आबि गेलीह। ओ एकटा सुन्दर पत्थलके बर्तन ल' क जा' रहल छलीह जाहिमे बहुत बहुमूल्य इत्र छल। जखन यीशु भोजन करबाक लेल टेबुलपर बैसल छलाह तखन ओ सबटा इत्र हुनका माथपर ढारि देलनि।8यीशुक चेलासब जखन ओ स्त्रीके ई काज करैत देखलनि त' ओसब बहुत परेशान भ' गेलाह। ओसब एक-दोसरस' कहलनि, “ओ ओहि बहुमूल्य इत्रके बेबालि क' देलक!9हमसब ओहिके बेचलास' बहुत पाइ भ' सकैत छल! आ ओ धन गरीबके द' सकैत छलहुं।”10यीशुके बुझल छलनि जे ओसब की कहि रहल छथि, तएं ओ हुनकासबके कहलनि, “एहि स्त्रीके परेशान नहि करु! ओ हमरालेल नीक काज कएने छथि।”11अहाँसबहक बीच गरीब लोक सदिखन रहत, जाहिस' जखन चाहब हुनकर मदति क' सकैत छी। ओना हम अहाँक संग सदाके लेल नहि रहब!12जखन ओ ई इत्र हमर देहपर ढारि देलनि त' जेना ओ हमर लास दफनाबएलेल तैयार क' रहल होथि।13हम अहाँसबके सांच्चे कहैत छी जे संसारक सब जगह जत लोक हमरा विषयमे सुसमाचार प्रचार, ओसब एहि काजके विषयमे सेहो बात करत जे ई स्त्री हमरालेल कएने छथि। फलस्वरुप, लोक हुनका सदिखन स्मरण करत।14यीशु ई कहलाक बाद हुनकर बारह चेलामेस' एकगोटे मुख्य पुजारीलग गेल। हुनकर नाम यहूदा इस्करियोती छल।15ओ पुछलनि, “जं हम अहाँसबके यीशुके पकड़बामे मदति करब त' अहाँ हमरा कतेक पाइ देब?” जबाबमे ओ तीसटा चानीके सिक्का गनिक' ओकरा द' देलकऐ।16ओहि समयस' यहूदा यीशुके पकड़बामे शासक पुजारीसबके मदति करबाक अवसर ताकए लगलाह।17जाहि पावनिमे यहूदीसब अखमीरी रोटी खाइत अछि, ओहि पावनिक पहिन दिन यीशुक चेलासब हुनकालग आबि पुछलनि, “अहाँ चाहैत छी जे हमसब फसहके पर्वके उत्सवक भोजन कत तैयार करु जाहिस' हमसब ओ भोज खा सकब?”18यीशु हुनकासबके जबाब देलनि, “नगरमे ओहि आदमी लग जाउ, जेकरासंग हम पहिनेस' ई व्यवस्था कएने छी। हुनका कहूं, ‘हमर गुरु कहैत छथि जे ई लगभग ओहि समय अछि जे ओ अहाँके कहने छलाह। ओ हमरासबहक संग जे हुनकर चेला छी, हुनकासंग अहाँक घरमे फसहके पर्वके भोजन करब।’”19तएं हुनकर चेलासब ओहिना कएलनि जेना यीशु हुनकासबके कहने छलाह। ओ जा' क' फसहके पर्वके भोजन तैयार कएलनि। 20जखन सांझ भेल तखन यीशु अपन बारह चेलासबहक संग टेबुलपर बैसि गेलाह।21भोजन करैत काल ओ हुनकासबके कहलनि, “हम अहाँसबके सांच्चे कहैत छी जे अहाँसबमेस' केओ हमरा पकड़बामे हमर दुश्मनसबके मदति करए जा' रहल अछि।”22चेलासब बहुत दुखित भेलाह। एक-एक करैत ओसब यीशुके पुछ लगलनि, “प्रभु, हम निश्चितरुपस' अहाँके बन्दी नहि बनए देब!”23ओ उत्तर देलनि, “जे हमरा हमर दुश्मनके पकड़बामे मदति करैत अछि, ओ हमरासंगे अपन हाथ थारीमे रोटी डुबबैत अछि।24ई निश्चित अछि जे हम, मनुष्यक पुत्र मरब, कारण, प्रवक्ता लोकनि शास्त्रमे हमरा विषयमे ई बात लिखने छथि। ओना जे हमरा पकड़त, ओहि व्यक्तिके भयंकर सजाय भेटत! बल्कि, हुनकालेल ई नीक रहैत जे हुनकर जन्म कहियो नहि होइत!”25तखन हुनका पकड़एबला यहूदा कहलनि, “गुरु, ई हम त' नहि छी!” यीशु उत्तर देलनि, “हं, ओ अहीं छी।”26जखन ओसब भोजन क' रहल छल तखन यीशु एकटा रोटी ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलनि। तखन ओ रोटीके टुकड़ा-टुकड़ा क' क' अपन चेलासबके देलनि, “ई रोटी ल' क' खाउ। ई हमर शरीर अछि।”27तखन ओ एकटा गिलास लेलनि जाहिमे दाखरस छल, परमेश्वरके धन्यवाद दैत अपन चेलासबके कहलनि, “अहाँ सबगोटे एहि कटोरामेस' कनि-कनिक' दाखरस पीबि लिअ।28हमर लेहू एहि गिलासमे अछि, जे जल्दिए हमर शरीरस' बहत जखन हमर दुश्मन हमरा मारि देत। एहि लेहूस' हम ओहि समझौताके पुष्टि करब जे परमेश्वर कतेको लोकक पाप क्षमा करबाक लेल कएने छथि।29हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ, जाधरि हम ओहि समयमे अहाँसबहक संग फेरुस' अंगूर बगानके दाखरस नहि पीबि, जखन हमर पिता सबठाम राजाक रुपमे शासन करताह।”30परमेश्वरक स्तुति गीत गबैत यीशु आ हुनकर चेलासब जैतूनक पहाड़ दिस चलि गेलाह।31तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “आइ राति जे हमरासंग घटना घटत जाहि कारणे अहाँसब हमरा छोड़ि देब! ई घटना होएब निश्चित अछि किएकत' जे परमेश्वर कहने रहथि ओहि शास्त्रमे लिखने छथि, ‘हम चरबाहके मारि देब, आ ओकर भेंड़ासब तितर-बितर भ' जाएत।’32मुदा हमरा मरलाक बाद परमेश्वर फेरुस' हमरा जीवित करताह आ हम अहाँसबस' पहिने गलील प्रदेशमे जा' क' अहाँसबस' ओतए भेट करब।”33पत्रुस उत्तर देलनि, “अहाँक संग जे भेल अछि, ताहि कारण शायद अहाँक आन चेलासब अहाँके छोड़ि देत, मुदा हम अहाँके कहियो नहि छोड़ब!”34यीशु हुनका उत्तर देलनि, “हम अहाँके सत्य कहैत छी, आइ राति मुर्गा बांग देबएस' पहिने अहाँ तीनबेर कहब जे अहाँ हमरा नहि चिन्हैत छी!”35पत्रुस हुनका कहलनि, “हम अहाँक संग मरि गेलहुं, मुदा कहियो ई नहि कहब जे हम अहाँके नहि चिन्हैत छी!” यीशुक आन चेलासब सेहो इएह बात कहलनि।36तखन यीशु अपन चेलासबसंगे गतसमनी नामक स्थानपर गेलाह। ओतए ओ अपन चेलासबके कहलनि, “जखन हम ओतए प्रार्थना करए जाएब तखन अहाँसब एतहि रहब।”37ओ पत्रुस, जब्दीके पुत्रसब याकूब आ यूहन्नाके अपना संग ल' गेलाह। यीशु बहुत दुखित आ परेशान भ' गेलथि।38तखन ओ तीनू चेलाके कहलनि, “हमर मन बहुत दुखित अछि। जेना हम मरएबला छी! अहाँ लोकनि एत हमरासंग जागल रहू!”39कनिक आगु बढ़लाक बाद यीशु अपन शिर जमीन धरि निहुरबैत प्रार्थना कएलनि, “हमर पिताजी, जं सम्भव होअए त' हमरा बचाउ जाहिस' हमरा आब कष्ट नहि भोगए पड़ए! मुदा हमरा जे चाही से नहि करु। बल्कि जे अहाँ चाहैत छी से करु!”40तखन ओ तीनू चेला लग घुरिक' गेलाह आ हुनकासबके सुतल देखलनि। ओ पत्रुसके जगएलनि आ हुनका कहलनि, “हम निराशा भेलहुं जे अहाँसब हमरासंग कनिको कालक लेल सेहो जागएके सामर्थ्य नहि रहल!”41आ यीशु हुनकासबके कहलनि, “हम जे चाहैत छी जे अहाँसब करु, मुदा अहाँसब एतेक मजगूत नहि छी। जागल रहू आ प्रार्थना करु जाहिस' जखन अहाँसबके परीक्षा देब पड़त तखन अहाँसब एकर सामना क' सकब! आत्मा सांच्चे तैयार अछि मुदा शरीर कमजोर अछि”42यीशु दोसर बेर चलि गेलाह। ओ प्रार्थना कएलनि, “हे हमर पिता, जं हमरालेल कष्ट भोगब आवश्यक अछि तखन अहाँ जे चाहैत छी से होएत!”43जखन ओ तीनू चेला लग घुरिक' गेलाह त' देखलनि जे ओसब फेरु चलि गेल छथि। ई एहिलेल भेल जे ओसब एतेक निनमे छलथि जे आंखि धरि नहि खुजल राखि सकैत छल।44तएं ओ हुनकासबके छोड़िक' चलि गेलाह। ओ तेसर बेर ओहिना प्रार्थना कएलनि जेना पहिने प्रार्थना कएने छलाह।45तखन ओ तीनू चेला लग घुरिक' गेलाह। ओ हुनकासबके जगएलनि आ कहलनि, “हम निराश भेल जे अहाँसब एखनो ओतहि छी आ आराम क' रहल छी! देखू! हमर दुखक समय शुरु होबएबला अछि। केओ पापी लोकसबके हमरा मनुष्यक पुत्रके पकड़बामे मदति करए जा' रहल अछि!46तएं उठू! चलू! देखू! एत ओ आबि गेल अछि जे हमरा पकड़बामे ओकरासबके मदति क' रहल अछि!”47यीशु जखन बाजि रहल छलाह तखन यहूदा आबि गेलाह। ओ बारह चेलामेस' एक छल। ओ अपना संग तरुआरि आ लाठी ल' क' लोकक पैघ भीड़ अनलनि। मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकसब जे यहूदी लोकपर शासन करैत छलथि हुनकासबके यीशुके पकड़एलेल पठौलनि।48यहूदा, जे अपन दुश्मनसबके यीशुके पकड़बामे मदति क' रहल छल, पहिनेस' भीड़के संकेत देने छल, “हम जाहि आदमीके चुम्मा लेब, ओ ओएह रहत जेकरा अहाँसब चाहैत छी। ओकरा पकड़ि लेब!”49ओ तुरन्त यीशु लग आबि कहलनि, “यौ गुरु प्रणाम!” तखन ओ यीशुके गालपर चुम्मा लेलनि।50यीशु हुनका कहलनि, “यौ मित्र, अहाँ जे काज करबाक लेल एत आएल छी से करु।” तखन यहूदाक संग आएल लोकसब यीशुपर हाथ ध' क' पकड़ि लेलक।51अचानक यीशुके चेलासबमेस' एकगोटे अपन तरुआरि निकालि लेलनि। ओ मुख्य पुजारीके सेवकपर प्रहार कएलनि आ हुनकर कान काटि लेलनि52तखन यीशु हुनका कहलनि, “अपन तरुआरि फेरुस' ओकर म्यानमे राखि दिऔ! जे तरुआरिस' दोसरके मारबाक प्रयास करैत अछि, ओकरा केओ तरुआरिस' मारि देतैक!53निश्चितरुपस' अहाँसबके बुझल होएत जे जं हम अपन पिताके पुकार करबनि त' ओ तुरन्त हमर मदति करबाक लेल बारहटा स' बेसी स्वर्गदूतके सेना पठौताह!54मुदा जं हम ई काज करितहुं, तखन प्रवक्ता लोकनि जे शास्त्र लिखने छलाह मसीहक संग की होएत से सत्य पूरा नहि होएत।”55ओहि समय यीशु हुनका पकड़एबला भीड़स' कहलनि, “अहाँसब हमरा पकड़बाकलेल तरुआरि आ लाठी ल' क' एत आएल छी, जेना हम डाकू छी! हम सबदिन मन्दिर आंगनमे बैसिक' लोकसबके सिखबैत छलहुं। तखनो अहाँसब हमरा पकड़ि सकैत छलहुं!56मुदा ई सबकिछु एहिलेल भ' रहल अछि जे प्रवक्तासब जे किछु शास्त्रमे हमरा विषयमे लिखने छथि ओ पूरा भ' सकए।” तखन यीशुक सब चेला हुनका छोड़िक' भागि गेलाह।57जे सब यीशुके पकड़ने छल, हुनका घर जत मुख्य पुजारी काइफा रहैत छलाह। शास्त्री आ यहूदी बूढ़-पुरान सब पहिनेस' ओतए जमा भ' गेल छल।58पत्रुस कनिक दूरेस' यीशुके पाछु-पाछु गेलथि। ओ ओहि घरक आंगनमे गेलाह जत मुख्य पुजारी रहैत छलथि। ओतए घटएबला घटनासब देखबाक लेल ओ ओहि सेवकसब संग बैसि गेलाह जे मुख्य पुजारीक घरपर पहरा दैत छल।59मुख्य पुजारी आ यहूदी परिषद् एहन लोकसबके खोजबाक प्रयास कएलनि जे यीशुके विषयमे झूठ बाजए जाहिस ओ यीशुके मारबाक लेल मनाबि सकए।60ओसब सफल नहि भेलथि। भलेहि बहुते लोक यीशुके विषयमे झूठ बजैत छल, तइयो जे कहलनि, ओ मदतिया नहि छल। अन्तमे दूगोटे आगु आबि गेलाह।61ओ कहलनि, “ई आदमी कहने अछि जे ओ तीन दिनमे परमेश्वरक मन्दिरके नाश क' क' फेरुस' बना सकैत अछि।”62तखन मुख्य पुजारी ठाढ़ भ' क' यीशुके कहलनि, “की अहाँ हुनका कोनो उत्तर नहि देबनि? ओसब जे बातसब अहाँपर आरोप लगाबए लेल कहि रहल छथि, ताहिपर अहाँ की कहैत छी?”63मुदा यीशु चुप रहलाह। तखन मुख्य पुजारी हुनका कहलनि, “हम अहाँके आज्ञा दैत छी जे हमरासबके सांच सांच कहूं, ई जानि जे एकमात्र जीवित परमेश्वर सुनि रहल छथि, जे अहाँ परमेश्वरक पुत्र मसीह छी?”64यीशु उत्तर देलनि, “हं, जेना अहाँ कहैत छी। मुदा हम अहाँसबके ईहो कहैत छी जे एकदिन अहाँसब हमरा मनुष्यक पुत्रके परमेश्वरक संग शासन करैत देखब, जे सर्वशक्तिमान छथि। अहाँसब हमरा सेहो देखब जे स्वर्गके मेघस' उतरैत छी!”65तखन मुख्य पुजारी एतेक परेशान भेलाह जे ओ अपन बाहरी वस्त्र फाड़ि लेलनि। तखन ओ कहलनि, “ई आदमी परमेश्वरक अपमान कएलक! हमरासबके निश्चितरुपस' कोनो दोसर व्यक्तिक गवाही देबाक आवश्यकता नहि अछि जे ओकरा विरुद्ध गवाही देब! अहाँसब अवश्य सुनने होएब जे ओ परमेश्वरके कोना अपमानित कएलक!66अहाँ की निर्णय लेने छी?” यहूदी नेतासब उत्तर देलक, “ओ दोषी अछि आ मृत्युदण्डके हकदार अछि!”67तखन किछुगोटे यीशुक मुंहपर थूकलनि, हुनका मुक्कास' मारि देलनि आ चमेटा मारलनि।68ओ कहलनि, “जं अहाँ मसीह हमरा विषयमे भविष्यवाणी कहूं, ठीके अहाँ एकटा प्रवक्ता छी, तखन हमरासबके कहूं जे अहाँके के मारलक!”69पत्रुस बाहर आंगनमे बैसल छलाह। एकटा दासी हुनकालग आबि कहलनि, “अहाँ सेहो, ओ गलीलवासी यीशुक संग छलहुं!”70मुदा जखन जे सब उपस्थित लोकसब सुनैत छल, तखन ओ यीशुक संग रहएस' मना क' देलनि। पत्रुस बजलनि, “हमरा नहि बुझल अछि जे अहाँ की बाजि रहल छी!”71तखन ओ दरबाजा दिस निकललाह। एकटा आओर दासी हुनका देखक' ठाढ़ लोकसबके कहलनि, “ई आदमी नासरतक यीशुक संग छल।”72मुदा पत्रुस फेरु यीशुक संग रहएस' मना क' देलनि। ओ सपत खाइत बजलाह, “हम झूठ बाजब त' परमेश्वर हमरा सजाए देथि! हम ओहि आदमीके सेहो नहि चिन्हैत छी!”73किछु समयक बाद ओतए ठाढ़ लोकसब पत्रुस लग आबिक' हुनका कहलनि, “ई निश्चय अछि जे अहाँ ओहि लोकसबमेस' एक छी जे ओहि आदमीक संग छल। हमरासबके ई बात बुझल अछि किएकत' अहाँक बजबाक तरीकास' ई बुझा जाइत अछि जे अहाँ गलील प्रान्तके छी।”74तखन पत्रुस चिचिआए लगलाह, “हम ओहि आदमीके नहि चिन्हैत छी! किएकत' परमेश्वर जनैत छथि जे हम सत्य कहैत छी, आ जं हम झूठ बाजि रहल छी त' ओ हमरा दण्डित करथि!” तखने एकटा मुर्गा बांग देलक।75तखन पत्रुसके ओ बात मन पड़लनि जे यीशु हुनका कहने छलाह जखन ओ कहलनि, “भोरमे मुर्गा बांग देबएस' पहिने अहाँ तीनबेर कहब जे अहाँ हमरा नहि चिन्हैत छी।” पत्रुस आंगनस' बाहर निकलि गेल आ बहुत दुखस' कानए लगलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67