Matthew25
1यीशु आओर आगु बजैत गेलाह जे ओहि भविष्यक समयमे परमेश्वर स्वर्गस' अपन शासन प्रगट करताह तखन ई ओहिना होएत जेना एहि कथामे दस कुमारि कन्याके संग भेल छल। रातिके समयमे ओसब अपन डिबिया ल' क' ओहि स्थानपर जत ओसब दुल्हास' भेट करताह।2ओहि दस कन्यामेस' पांचटा मूर्ख छली आ पांचटा बुद्धियारि छली।3मूर्ख कन्यासब दीआ ल' क' गेल, मुदा ओहिके लेल जरैत तेल अपना संग जैतूनके तेल नहि ल' क' गेल छल।4मुदा बुद्धियारि कन्यासब अपन डिबियाके लेल तेल संग आन बर्तनमे जैतूनके तेल ल' क' गेल छली।5दुल्हाके आबएमे अबेर भ' गेल, आ राति बहुत बेसी भ' गेल रहए। तएं सब कन्यासबके निन आबए लागल आ फेरु ओसब सुति रहल।6“लगभग अधरतियामे केओ आवाज देलक, ‘देखू! वर आबि रहल छथि! हुनकास' भेट करए लेल निकलू!’7ओहि समयमे कुमारि कन्यासब जागि गेल आ अपन दीआके ठीकस' जरएबाक व्यवस्था कएलीह।8मूर्ख कन्यासब बुद्धियारि कन्यासबस' कहलीह, ‘हमरासबके अपन जैतूनके तेलमेस' किछु दिअ, किएकत' हमरासबहक दीआ मिझाए लागल अछि!’9बुद्धियारि कन्यासब उत्तर देलीह, ‘नहि, किएकत' दुनू दीआके लेल जैतूनक तेल पर्याप्त नहि अछि। अहाँसब तेल बेचएबला लग जाउ आ अपनालेल जैतूनक तेल किन लिअ!’10मुदा जखन मूर्ख कन्यासब जैतूनक तेल किनलेल जा' रहल छल तखने वर घर पहुंच गेल। तखने तैयार भेल बुद्धियारि कन्यासब हुनकासंग विवाहक उत्सवमे भितर गेलीह। तखन सेवकसब ओहि स्थानक केबाड़ी बंद क' देलक।11बादमे बांकी कुमारि लड़कीसब सेहो ओहि स्थानपर पहुंच गेल। ओसब बाहर ठाढ़ भ' क' दुल्हाके आवाज देलनि, ‘हे स्वामी! कृपया हमरासबहक लेल दरबाजा खोलि दिअ!’12मुदा ओ हुनकासबके कहलनि, ‘हम अहाँसबके सत्य कहैत छी जे हम अहाँसबके नहि चिन्हैत छी!’13यीशु एना कहैत समापन कएलथि जे तएं तैयार रहू किएकत' अहाँसबके सही नहि बुझल अछि जे हम, मनुष्यक पुत्र कहिया घुरब।14अहाँसबके तैयार रहबाक चाही किएकत' जखन परमेश्वर स्वर्गस' अपन शासनक प्रगट करताह त' ओ ओहिना होएत जेना कोनो आदमी एकटा दूर देशके यात्रापर जाएबला छलनि। अपन दाससबके बजाक' जे किछु छलनि से हुनकासबके सोंपि देलनि।15एक-एकटाक ओकर उपयोग करबाक क्षमता अनुसार सोनाके रुपैया देलनि। एकटा नोकरके पांच हजार सोनाके रुपैया देलनि। दोसर नोकरके दू हजार सोनाके रुपैया देलनि, आ तेसर नोकरके एक हजार सोनाके रुपैया देलनि। तखन तुरन्त दोसर देशके यात्रापर निकलि गेलाह। 16हुनका गेलाकबाद जे नोकर पांच हजार सोनाके रुपैया पओने छल ओ ओहि सोनाके रुपैयाके उपयोग पांच हजार आओर कमाएमे कएलक।17तहिना जे नोकरके दू हजार सोनाके रुपैया भेटत छल, ओ ओहि पाइके उपयोग दू हजार आओर कमएलक।18मुदा एक हजार सोनाके रुपैया भेटल नोकर जा' क' मालिकके धन जमीनमे खधिया खुनिक' नुका देलक।19बहुत दिनक बाद ओहि दाससबके मालिक घुरि अएलाह। ओ सबगोटेके एकठाम बजौलनि आ ओहि पाइस' की कएलक पुछलनि।20तीस हजार दिनक मजदूरी बरोबरि सोनाके रुपैया भेटल नोकर मालिकके साठि हजार दिनक मजदूरी आनि देलक। ओ बाजल, ‘मालिक, अहाँ हमरा तीस हजार दिनक मजदूरी निर्धारीत कएने रही। देखू, हम एकर उपयोग तीस हजार दिनक मजदूरी करबामे कएने छी!’21मालिक उत्तर देलनि, ‘अहाँ बहुत नीक दास छी! अहाँ हमरा प्रति बहुत विश्वासयोग्य रहलहुं अछि। अहाँ कनिको धन सम्पत्तिके बहुत नीक जकां सम्हारने छी, तएं हम अहाँके बहुते वस्तुक मालिक बना देब। आउ हमरासंग आनन्द मनाउ!’22जाहि नोकरके बारह हजार दिनक मजदूरी बरोबरि सोनाके रुपैया भेटल रहए सेहो अपन मालिक लग आबि गेल छल। ओ बाजल, ‘मालिक, अहाँ हमरा बारह हजार दिनक मजदूरी निर्धारीत कएने रही। देखू, हम एकर उपयोग बारह हजार दिन बेसी मजदूरी करबामे कएने छी!’23मालिक उत्तर देलनि, ‘अहाँ बहुत नीक दास छी! अहाँ हमरा प्रति बहुत विश्वासयोग्य रहलहुं अछि। अहाँ कनिको धन सम्पत्तिके बहुत नीक जकां सम्हारने छी, तएं हम अहाँके बहुते वस्तुक मालिक बना देब। आउ हमरासंग आनन्द मनाउ!’24तखन जे नोकरके छओ हजार दिनक मजदूरी बरोबरि सोनाके रुपैया भेटल रहए सेहो अपन मालिक लग आबि गेल। ओ बाजल, ‘मालिक, हम बुझति छी जे अहाँ कठोर व्यक्ति छी। अहाँ ओहि किसान जकां छी जे बिना खेती कएनहुं बालि काटि लैत छी।25तएं हमरा अहाँस' डर होइत छल। हम जाक' अहाँक सोनाके रुपैया जमीनमे गाड़ि देलिऐ। देखू, अहाँक सोनाके रुपैया एत अछि!’26मालिक उत्तर देलनि, ‘तों बदमाश दास छह! तों आलसी छे! कल्पना करु जे ई सत्य अछि जे हम किसान जकां छी जे एहन बालि काटि लैत छी जे हम नहि बोएने रही!27तखन अहाँके कमस' कम हमर सोनाके रुपैया साहू महाजनसबके द' देबाक चाही! फेरु जखन हम घुरैत छलहुं त' हुनकर कमाएल ब्याज सहित वापस भेटि जाइत!’28तएं ओ मालिक अपन आन नोकरसबके कहलनि, ‘ओकरास' छओ हजार दिनक मजदूरी बरोबरि सोनाके रुपैया ल क' ओहि नोकरके द' दिऔ जेकरा साठि हजार दिनक मजदूरी छै!29जे देल गेल पाइके सदुपयोग करत ओकरासबके हम आओर बेसी देब। मुदा जे सब धनके सदुपयोग नहि करत, ओकरासबलग जे पहिनेस' छल सेहो हम ल' लेब।30संगहि निकम्मा दासके नरकमे फेक दिऔ, जे एहन खराब स्थान अछि जत परमेश्वर कोनो आत्मिक आशीर्वाद नहि दैत छथि। ओतए लोक अपन दुखक कारणे कानत, आ दांत पिसत, कारण ओकरासबके बहुत दर्द होएत।’31जखन हम मनुष्यक पुत्र फेरु आबिक' देखब जे हम कतेक गौरवशाली छी आ अपन सब स्वर्गदूतके आनब, तखन हम अपन सिंहासनपर राजा जकां बैसब।32स्वर्गदूतसब हमरा आगुमे सब लोकके जमा करत। तखन हम ओकरासबके दू समूहमे अलग करब, जेना चरबाह अपन भेंड़ाके अपन बकरीस' अलग करैत अछि।33हम धर्मीके अपन दहिनाकात राखि आदर करब, मुदा दुष्टके हम अपन बामा कात राखब, जेना चरबाह अपन भेंड़ाके एक कात आ दोसर कात अपन बकरीके रखैत अछि।34तखन हम अर्थात् राजा अपन दहिना कातक ओहि धर्मी लोकसबके कहब, ‘अहाँसबके जिनका हमर पिता आशीर्वाद देने रहथि, आउ! आ आबिक' जिनकापर हम राज करैत छी ओकर लाभ प्राप्त करु। हमर पिता संसारक सृष्टिस' अहाँसबहक लेल ई लाभ तैयार कएने छथि।35ई सब अहाँसबहक लेल एहिलेल अछि, किएकत' जखन हम भूखल छलहुं तखन अहाँ हमरा खिआ देने रहि। अहाँ हमरा प्यास लगलापर किछु पिबएलेल देने रहि। जखन हम अहाँक शहरमे परदेशी रही तखन अहाँसब हमरा अपन घरमे स्वागत कएने रही।36जखन हमरा कपड़ा नहि रहए तखन अहाँ हमरा कपड़ा देने रही। जखन हम बेमार रही तखन अहाँ हमर देखभाल कएने रही। हम जहलमे छलहुं तखनो अहाँ हमरास' भेट करए आएल छलहुं।’37तखन ओ धर्मी लोकनि उत्तर देलनि, ‘हे प्रभु, अहाँ कहिया भूखल छलहुं जे हमसब अहाँके देखक' खिआ देलहुं? अहाँके प्यास कहिया लागल रहए आ हमसब अहाँके किछु पिबएलेल देने रही?38अहाँ कहिया परदेशी छलहुं हमर शहरमे जे हम अहाँके देखलहुं आ अहाँक घरमे स्वागत कएलहुं? अहाँ लग कहिया कपड़ा नहि रहए आ हम अहाँके कपड़ा देने रही?39अहाँ कहिया बेमार भेलहुं वा जहलमे रहलहुं आ हमसब अहाँस' भेट करए लेल पहुंचल छलहुं?’40तखन हम अर्थात् राजा ओहि धर्मी लोकसबके उत्तर देब, ‘हम अहाँसबके ई सत्य कहैत छी जे अहाँसब एहि छोट-छोट लोकसबके लेल जे किछु कएलहुं, जे हमरालेल भाइ जकां प्रिय छथि, से अहाँसब हमरालेल कएलहुं।’41तखन हम अपन बामा कातक लोकसबके कहब जे ‘हमरास' दूर जाउ! परमेश्वर अहाँके सराप देने रहथि! ओहि आगि लग जाउ जे सदाके लेल जरैत अछि! परमेश्वर ओहि आगिके शैतान आ ओकर दूतसबके लेल तैयार कएने रहथि।42ताहिके लेल अहाँ ओतए जएबाक हकदार छी कारण भूखल रहलापर अहाँ हमरा खिआ नहि देलहुं। प्यास लगलापर अहाँ हमरा किछु पिबएलेल नहि देने रही।43जखन हम अहाँक शहरमे परदेशी रही तखन अहाँसब हमरा अपन घरमे रहबाक लेल स्वागत नहि कएलहुं। जखन हमरालग कपड़ा नहि रहए तखन अहाँ हमरा कपड़ा नहि देलहुं। जखन हम बेमार आ जहलमे रही तखन अहाँ हमर देखभाल नहि कएलहुं।’44तखन हमर बामा कात बैसल लोक उत्तर देताह, ‘प्रभु, अहाँ कहिया भूखल, पियासल रहलहुं, आ कहिया परदेशी भेलहुं, कहिया बिना कपड़ाके रहलहुं, कहिया बेमार भेलहुं, कहिया जहलमे रहलहुं, जे हमसब अहाँके सेवा नहि कएलहुं?’45ओ जबाब देताह, ‘हम अहाँके सांच्चे कहैत छी जे एहि लोकमे छोटस' छोट लोकक लेल जे किछु नहि कएलहुं, हमरालेल सेहो नहि कएलहुं।’46तखन यीशु एना बजैत समापन कएलथि जे राजाके बामा कातके लोकसब ओहि ठामस' चलि जाएत जत परमेश्वर ओकरासबके सदाके लेल सजाय देथिन। तथापि, धर्मी लोकनि ओहि स्थानपर जएताह जत ओसब सदाके लेल परमेश्वरक संग जीवनमे प्रवेश करत।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.