Matthew24

1यीशु मन्दिरक आंगनस' निकलि गेलाह। जखन ओ जाइत छलाह तखन हुनकर चेलासब हुनकालग आबि गेलाह आ मन्दिरक भवन कतेक सुन्दर अछि ताहिपर हुनक ध्यान आकर्षित करए लागल।2ओ हुनकासबके कहलनि, “अहाँसब एहि भवनसबके देख सकैत छी! मुदा हम जे कहैत छी से सत्य अछि, एकटा सेना एकरासबके पूर्णरुपस' नाश क' देत। ओसब एहि भवनसबके एक-एकटा पत्थल खसा देत, जाहिस' एक पत्थल दोसर पत्थलपर नहि रहि जाएत।”3बादमे जखन यीशु जैतूनक पहाड़पर एसगरे बैसल रहथि तखन चेलासब हुनकालग आबि पुछलनि, “मन्दिरक भवनसबसंग ई सब कहिया होएत? आओर परमेश्वर हमरासबके की देखओताह जे अहाँ फेरु आबि रहल छी आ ई संसारके अन्त होबए जा' रहल अछि ताहिके कोन चेन्हसब होएत?”4यीशु उत्तर देलनि, “सावधान रहू जे ई बात कहिया होएत!5हम ई एहिलेल कहैत छी जे कतेको लोक हमरे नाममे आबिक' कहताह जे ओ हम छी। ओसब कहत जे हम मसीह छी, आ बहुते लोकके धोखा देत।6जखन लोक अहाँके ओहि युद्धके विषयमे बतबैत अछि जे भ' रहल अछि आओर भ' सकैत अछि जे युद्धके विषयमे अछि तखन ई सबटा बात अहाँके परेशान नहि कएलक। ई सब बात निश्चितरुपस' होएत। मुदा जखन ओसब अवश्य होइत छै तखन ई संसारक अन्त नहि बुझू!7अलग-अलग देशमे रहनिहार समूह एक-दोसरस' लड़त, आ अलग-अलग राज्य एक-दोसरस' लड़त। अलग-अलग जगहपर भूकम्प सेहो आओत आ अकाल सेहो पड़त।8ओना जखन ई सबटा बात होएत तखन लोकके एकहि संग कष्ट सेहो भोगए लागत। ओसब पहिन बेर ई सब सहत, ओ पहिन पीड़ा जकां होएत जे कोनो महिला पहिन बेर बच्चाके जन्म देबएबला होइत छै। तेकरबाद हुनका लोकनिके आओर बेसी कष्ट होएतनि।9ई सब भेलाक बाद जे अहाँक विरोध करत ओ अहाँके कष्ट भोगएलेल आ मरएलेल ल' जाएत। हमरा नामके कारण सब लोक अहाँस' घृणा करत।10संगहि एहि तरहें दुख भोगलाक कारण कतेको लोक हमरापर विश्वास करब छोड़ि देत। अपनहि संगी विश्वासीसबके पकड़बा देत आ एक-दोसरस' मन मोटाव राखत।11बहुते झुट्ठा प्रवक्ता ई बाजि आबि जएताह जे हमसब प्रवक्ता छी, मुदा ओसब बहुते लोकके धोखा देत।12कारण बहुते लोक अधर्म बढ़लाक कारण परमेश्वरक नियम तोड़त, तएं बहुते विश्वासी आब एक-दोसरस' प्रेम नहि करताह।13मुदा परमेश्वर अहाँसबके बचा लेताह जे जीवनके अन्तधरि हमरापर भरोसा करैत रहब।14एहिके अतिरिक्त विश्वासी संसारक लोकसबके बीच गवाहीके लेल ई सुसमाचारक घोषणा करताह जे परमेश्वर राजाक रुपमे राज क' रहल छथि। तखन संसारक अन्त आबि जाएत।15ओहि समयमे घृणित वस्तु मन्दिरमे प्रवेश करत। पवित्र मन्दिरके अपवित्र करत आ लोकके छोड़ि देत। दानिएल प्रवक्ता बहुत पहिने एहि विषयमे बाजल आ लिखने रहथि ।” [जे केओ ई पढ़त अछि, ओ सावधान रहए, कारण हम अहाँसबके चेतबैत छी।]16“ओहि समयमे जे सब यहूदिया प्रदेशमे रहत, ओकरासबके उंच पहाड़पर भागए पड़तैक।17जे घरके छतपर छी ओसब कोनो वस्तु लेबाक लेल अपन घरमे प्रवेश नहि करबाक चाही।18जे खेतमे काज क' रहल छथि हुनका अतिरिक्त कपड़ा लेबएलेल शहरमे अपन घर वापस नहि जएबाक चाही।19जखन से होएत तखन गर्भवती महिला आ दूध पिअबैत स्त्रीके लेल ई कतेक भयावह होएत! किएकत एहन स्त्री जल्दीस' नहि भागि सकैत अछि।20प्रार्थना करु जे ई कष्टदायक समय जाढ़मे, जखन यात्रा कठिन होए, वा विश्रामक दिन, अर्थात् विश्रामक दिन नहि होए।21जखन ई सब होएत तखन लोकके बहुत बेसी कष्ट होएत। जहियास' परमेश्वर संसारके निर्माण कएलथि तहिएस' लोकके एखनधरि एतेक कष्ट कहियो नहि भेलै, आ फेरु कहियो केकरो एहन कष्ट नहि होएत।22जं परमेश्वर ई निर्णय नहि लेने रहितथि, जखन लोकसब बहुत बेसी कष्टदायी अवस्थामे रहैत अछि तखन ओहि संकटके दिन सबके कम क' देथि नहि त' कोनो प्राणी नहि बंचि सकत। मुदा ओ ओहि समयके कम करबाक निर्णय एहिलेल लेलनि, किएकत' परमेश्वरके चुनल गेल लोकक चिन्ता रहनि।23ओहि समयमे लोक झूठ बाजत जे ओ मसीह छथि। त' ओहि समय जं केओ अहाँके कहत, ‘देखू, मसीह एत छथि!’ वा केओ कहैत अछि, ‘देखू, ओ एत छथि!’, तखन विश्वास नहि करु!24किएकत', झुट्ठा मसीह आ झुट्ठा प्रवक्तासब निकलत आ बड़का-बड़का चेन्ह आ चमत्कार देखाओत, जाहिस' ई होएत की चुनलसबके सेहो भटका देत।25ई नहि बिसरब जे हम अहाँसबके एहि सब बातस' पहिने चेतौने रही।26तएं जं केओ अहाँस' कहए, ‘देखू, मसीह निर्जन क्षेत्रमे छथि!’ त' ओतए नहि जाएब। तहिना जं केओ अहाँस' कहए, ‘देखू, ओ एक गुप्त कोठलीमे छथि!’ त' ओहि व्यक्तिपर विश्वास नहि करब।27अहाँके ओकर विश्वास एहिलेल नहि करबाक चाही, किएकत' जेना बिजली पूर्वस पश्चिम धरि पूरे आकाशमे चमकैत अछि आ लोकसब ओहिके देखैत अछि, तहिना जखन मनुष्यक पुत्र फेरुस' आओत, त' सबलोक हुनका देखतनि।28सबगोटेके लेल ई स्पष्ट अछि जे, जखन अहाँ गिद्धके एकठाम जम्मा होइत देखैत छी, त' अहाँ बुझि जाइत छी जे ओतए कोनो पशुके मर राखल गेल होएत।29जखन लोक एहि तरहें कष्ट उठाओत तखन ओहि समयक बाद परमेश्वर सूर्यके अन्हार क' देताह, आ चन्द्रमा नहि चमकत। परमेश्वर स्वर्गके सब वस्तुके अपन अपन स्थानस' हिला देथिन।30तेकरबाद हमरा मनुष्यक पुत्रके सब केओ आकाशमे प्रगट होएबाक चेन्ह देखत। तखन पृथ्वीके सब कुलके लोकसब अविश्वासी लोकसब विलाप करत, किएकत' ओसब डेराएत। ओसब हमर मनुष्य पुत्रके आकाशमे सामर्थी आ महिमामय रुपमे मेघमे आबि रहल देखताह।31तखन प्रभु एकटा स्वर्गदूत पठा देथिन जे ओ बिगुल बजाक' संसारके चेता देब जे हम आबि रहल छी। हम अपन स्वर्गदूतसबके पठा देब जे परमेश्वर जिनका सबके सब ठामस', पृथ्वीक दूर-दूर धरि चुनने छथि, हुनकासबके एकठाम जमा करथि।32आब हम चाहैत छी जे अहाँ एहि दृष्टान्तस' किछु सिखू जे अंजीरक गाछ कोना बढ़ैत अछि आ मौसमक विषयमे बतबैत अछि। जखन अंजीरक गाछक डाढ़ि आ पतासब कनोजरि देब लगैत अछि तखन अहाँके बुझएमे अबैत अछि जे गर्मी लगचिआ गेल अछि।33तहिना जखन अहाँ ई सब काज होइत देखब तखन बुझि जाएब जे हमर घुरबाक समय बहुत लग अछि , दुआरिपर आबि गेल अछि।34हम जे कहैत छी से सत्य अछि जे ई सब बात हमरासंग रहनिहार सबहक मृत्युस' पहिने होएत।35अहाँ निश्चिन्त भ' सकैत छी जे ई सब बात जे हम कहलहुं अछि से पूरा होएत। एकदिन परमेश्वर पृथ्वी आ आकाशमे सबकिछुके नाश क' देताह जखन ओसब सृष्टिके पुनर्स्थापित करताह, मुदा ई सब बात जे हम अहाँसबके कहने छी से सदिखन सत्य रहत।36मुदा हम कखन घुरब से सही समय केकरो नहि बुझल अछि। स्वर्गमे स्वर्गदूत सेहो नहि जनैत छथि। हम परमेश्वरक पुत्र सेहो नहि जनैत छी। हमर पिताजी मात्र जनैत छथि।37मुदा जखन हम मनुष्यक पुत्र फेरु आबि जाएब तखन लोकसब ओहिना करत जेना नूहक समयमे लोकसब करैत छल। ओहि समयमे लोकसब दिन जकां खाइत-पिबैत छल, आ ओसब रोजाना जकां विवाह करैत छल, जाधरि नूह आ ओकर परिवार ओहि पैघ जहाजमे नहि बैसि गेलाह जेकरा परमेश्वर नूहके बनाबए लेल कहने रहथि। मुदा तथापि बाढ़ि आबिक' नावपर नहि बैसल लोकसबके नाश क' देलक। किएकत' हुनकासबके नहि बुझल छलनि जे की आबि रहल अछि। एहि तरहें अविश्वासीसबके ई नहि बुझल छै जे हम मनुष्यक पुत्र कहिया घुरब।40जखन से होएत तखन परमेश्वर मात्र ओहि लोकके ल' जएताह जे हुनकापर विश्वास करैत छथि। जेना दूगोटे खेतमे रहताह। परमेश्वर ओहिमेस' एकटाके स्वर्ग ल' जएताह आ परमेश्वर दोसर व्यक्तिके एत छोड़ि देताह जे सजाए भेटए।41दूटा स्त्रीएके संग जंतामे अनाज पिसैत रहतीह। परमेश्वर एकटाके ल' क' दोसरके छोड़ि देताह।42एहिलेल अहाँके ई नहि बुझल अछि जे अहाँक प्रभु कोन दिन पृथ्वीपर वापस आबि जएताह, ताहिके लेल अहाँके सदिखन तैयार रहबाक आवश्यकता अछि।43एहिपर विचार करु: जं कोनो घरक मालिकके बुझल रहैत जे रातिमे कोन घड़ी चोर आबि रहल अछि त' ओ जागल रहैत आ चोरके घरमे प्रवेश करएस' रोकि सकैत छल।44तएं तैयार रहू, किएकत' हम मनुष्यक पुत्र, ओहि समयमे घुरब, जखन अहाँसब हमरास' कमस' कम अपेक्षा करैत छी।45सोंचू जे विश्वासीसब आ बुद्धिमान सेवक केहन होइत अछि। घरक मालिक एकटा दास नियुक्त करैत छथि जे आन नोकरसबहक देख-रेख करत। ओ हुनकासबके उचित समयपर भोजन देबाक लेल कहैत छथि। तखन ओ एकटा बेसी दिनके यात्रापर निकलि जाइत छथि।46धन्य अछि ओ दास जिनकर मालिक घुरलापर ई सब काज करैत देखैत छथि।47हम अहाँसबके जे कहैत छी से सत्य अछि जे मालिक ओहि नोकरके अपन सब वस्तुपर अधिकार द' देने अछि।48मुदा कोनो दुष्ट दास मनेमन सोंचि सकैत अछि, ‘मालिक बहुत दिनधरिक लेल बाहर गेल छथि, आ ओ जल्दी नहि अओताह आ जे हम क' रहल छी से नहि बुझताह।’49तएं ओ सेवक संगी सेवकसबके मारिपीट करए लागत आ निसामे धुत्त लोकक संग खान-पान करत।50जं ओ एहन करत त' ओकर मालिक ओहि समय घुरि सकैत अछि जेकर अपेक्षा दास नहि कएने रहैत अछि।51ओ मालिक ओहि नोकरके काटि देत। ओ ओकरा ओतहि राखत जत पाखण्डीसबके राखल गेल अछि। ओहि ठाम बेसी कष्ट भेलाक कारण लोक कनैत अछि आ दांत कटैत अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67