Matthew23
1तेकरबाद, यीशु भीड़ आ अपन चेलासबके कहलनि,2“फरिसी आ शास्त्री मूसाके गद्दी पर बैसल अछि ।3तएं जे किछु अहाँके करबाक लेल कहथि, अहाँके ओ करबाक चाही। मुदा जे काज ओ करैत छथि से नहि करब, किएकत' ओ स्वयं ओहि काजके नहि करैत छथि जे काज अहाँके करबाक लेल कहैत छथि।4ओसब अहाँके बहुत रास नियमके पालन करए लेल कहैत छथि जेकर पालन करब कठिन अछि। मुदा ओसब स्वयं ओहि नियमके पालन नहि करैत छथि। जेना कोनो बहुत भारी बोझ बान्हिक' अहाँक कान्हपर राखि रहल होथि जे अहाँ उठा सकब। मुदा ओसब अहाँक उठाबएमे मदति करए लेल एकौटा औंरी धरि नहि लगएताह।5जखन-कखनो ओसब नीक काज करैत छथि, त' ओहि काज एहिलेल करैत छथि जे दोसर लोक ओकरा देखक' आदर करए। जेना ओसब पवित्र शास्त्रक भागके राखल जाएबला छोट-छोट बकसामे तावीजसब जकां अपन बांहि पर पहिरैत छथि, अतिरिक्त चौड़ा बना दैत छथि। ओसब अपन वस्त्रके नमहर नमहर झालरिसब लटकाक' पैघ करैत छथि जाहिस' दोसरके ई बुझएमे आबए जे ओ परमेश्वरक आदर करैत छथि।6ओसब सेहो चाहैत छथि जे जखन ओसब ओहि ठाम भोजनमे बैसल छथि जत सबस' महत्वपूर्ण लोक बैसल छथि तखन दोसरो हुनकर सम्मान करए। सभाघरमे ओहि प्रकारक स्थानपर बैसए चाहैत छथि।7ओकरा नीक लगैत छै जखन बजारमे लोक ओकरा बहुत सम्मानस' अभिवादन करैत छै आ ओकरा ‘गुरु’ कहैत छै।8मुदा अहाँसब, हमर चेलासब, लोकके अहाँके ‘गुरु’ नहि कहए देबाक चाही, जेना ओ आन यहूदी गुरु लोकनि कहैत छथि। हम एकमात्र एहन व्यक्ति छी जे सही मायनेमे अहाँक गुरु छी। मतलब जे अहाँसब एक-दोसरके बरोबरि छी, संगी-विश्वासी जकां।9पृथ्वीपर केकरो ‘पिता’ कहि सम्मान नहि दिऔ। कारण, परमेश्वर, अहाँक पिता जे स्वर्गमे छथि, अहाँक एकमात्र सत्य पिता छथि।10लोकके अहाँके ‘गुरु’ नहि कहए दिऔ। कारण मसीह अहाँक एकमात्र गुरु छथि।11बल्कि अहाँसबमेस' जे केओ ई चाहैत छथि जे परमेश्वर अहाँसबके महत्वपूर्ण बुझथि, त' हुनकासबके दोसरके ओहिना सेवा करबाक चाही, जेना सेवक करैत छथि।12जे स्वयंके महत्वपूर्ण बनएबाक प्रयास करैत छथि, हुनका परमेश्वर विनम्र बनबैत छथि। जे स्वयंके विनम्र बनबैत छथि, हुनको सबके ओकरा परमेश्वर स्वयं महत्वपूर्ण बनबैत छथि।”13यीशु आगु कहैत गेलाह, “यौ, व्यवस्थाके शिक्षक आ फरिसीसब अहाँसब पाखण्डी छी! परमेश्वर अहाँसबके बहुत भयंकर तरीकास' सजाए देताह, किएकत' अहाँसब परमेश्वरक लोकमेस' एक बनएस' अस्वीकार क' दैत छी, जेकरापर ओ स्वर्गस' शासन करैत छथि, आ अहाँसब दोसरके परमेश्वरक लोक बनबएस' रोकैत छी। जेना अहाँसब कोनो घरक दरबाजा बंद क' दैत छी आ लोकके भितर नहि जाए दैत छी।”14एहि कारणे परमेश्वर अहाँके बेसी कठोर सजाए देताह।15“यौ पाखण्डी, व्यवस्थाके शिक्षक आ फरिसीसब! परमेश्वर अहाँसबके भयावह तरीकास' सजाए देथिन! अहाँसब एकटा गैर-यहूदीके अपन यहूदी मतके चेला बनाबएलेल बहुत मेहनति करैत छी। एना करबाक लेल अहाँसब समुद्र पार करैत छी आ धरतीपर दूर-दूर धरि यात्रा करैत छी। मुदा एकर परिणाम ई अछि जे जखन केओ अहाँक शिक्षापर विश्वास करैत अछि, तखन अहाँसब ओहि व्यक्तिके परमेश्वरक दिसस' आओर बेसी नरक जएबाक दोबर योग्य बना दैत छी जे अहाँसब स्वयं हकदार छी।”16“यौ यहूदी अगुवा लोकनि, परमेश्वर अहाँसबके बहुत भयावह तरीकास' सजाए देथिन! अहाँसब आन्हर लोक जकां छी जे दोसरके नेतृत्व करबाक प्रयास करैत अछि। अहाँसब कहैत छी, ‘जं' केओ किछु करबाक लेल शपथ खाइत छथि आ ओ मन्दिरस' शपथके गवाही बनबाक लेल ओहिना कहैत अछि, जेना कोनो व्यक्ति गवाही बनैत अछि, आ ओ जे प्रतिज्ञा कएने रहैत अछि से नहि करैत अछि, तखन ओ परमेश्वरद्वारा ई काज करबाक लेल बाध्य नहि अछि। मुदा जं' केओ एहि शपथके गवाही बनबाक लेल मन्दिरके सोनास' कहैत अछि, जेना केओ व्यक्ति गवाही बनैत अछि, त' ओकरा अपन प्रतिज्ञा पूरा करए पड़तैक।’17अहाँ मूर्ख छी, आ अहाँ ओहि लोक जकां छी जे आन्हर अछि! मन्दिरमे रहल सोना एहिलेल पवित्र अछि किएकत लोकसब एकर उपयोग परमेश्वरक मन्दिरमे करैत छथि।18अहाँ इहो कहैत छी ‘जं केओ कोनो काज करबाक शपथ लैत अछि आ वेदीस' एहि शपथके साक्षी बनएलेल कहैत अछि, जेना कोनो व्यक्ति ओकर गवाह बनि जाइत अछि, आ ओ जे प्रतिज्ञा कएने अछि से नहि करैत अछि, तखन ओ परमेश्वरद्वारा ओहि शपथके लेल बान्हल नहि अछि। मुदा जं ओ व्यक्ति वेदीपर चढ़ौना चढ़एबला पुजारीस' ओहिना अपन शपथके गवाह बनएलेल कहैत अछि जेना कोनो व्यक्ति होएत, तखन ओकरा अपन प्रतिज्ञा पूरा करए पड़तैक।’19अहाँ मूर्ख छी, आ अहाँ ओहि लोक जकां छी जे आन्हर अछि! पुजारीसब वेदीपर जे चढ़बैत छथि से मात्र एहिलेल पवित्र अछि जे ओसब परमेश्वरक वेदीपर चढ़ौना चढ़बैत छथि।20तएं जे व्यक्ति कोनो काज करबाक शपथ लैत अछि आ वेदीस' ओहि शपथके साक्षी बनएलेल कहैत अछि, तखन वेदीपर राखल वस्तुसबके सेहो ओहि शपथके साक्षी बनएलेल कहैत अछि।21तहिना जे केओ कोनो काज करबाक शपथ लैत अछि आ मन्दिरस' ओहि शपथके साक्षी बनएलेल कहैत अछि, ठीक ओहिना जेना कोनो व्यक्ति, तखन ओ ओहि मन्दिरमे रहनिहार परमेश्वरके ओहि शपथके गवाह बनएलेल कहैत अछि।22जं कोनो व्यक्ति कोनो काज करबाक शपथ लैत अछि आ ओहि शपथके गवाह बनबाक लेल स्वर्गके बजबैत अछि त' ओहि सिंहासनके गवाह बनएलेल बजबैत अछि जत परमेश्वर बैसल छथि, आ तएं ओहि सिंहासनपर बैसल स्वयं परमेश्वरके साक्षी बजबैत छथि।”23“यौ, व्यवस्थाके शिक्षक आ फरिसीसब, अहाँसब पाखण्डी छी! परमेश्वर अहाँसबके बहुत भयंकर सजाय देथिन! अहाँसब उपजल अपन धनिञा आ पुदीना, सोंफ आ जीरामेस' दसम भाग परमेश्वरके दैत छी। मुदा अहाँसब परमेश्वरक नियमके पालन नहि करैत छी, जे बेसी जरुरी अछि। जेना, अहाँसब दोसर लोकक संग न्याय नहि करैत छी, लोकक प्रति कृपापूर्ण व्यवहार नहि करैत छी, आ अहाँसब ओहि विश्वासयोग्यतामे नहि रहैत छिऐ जेना परमेश्वर चाहैत छथि।” धनिञा आ पुदीनाके दसम भाग परमेश्वरके देल जाए, मुदा अहाँके ई आन बेसी महत्वपूर्ण नियमके सेहो पालन करए पड़त।24यौ आन्हर अगुवासब, अहाँसब मच्छरके छानि लैत छी मुदा ऊंटके घोंटि लैत छी!25“यौ व्यवस्थाके शिक्षक आ अहाँ फरिसीसब, अहाँसब पाखण्डी छी! परमेश्वर अहाँसबके बहुत भयावह सजाय देथिन! जेना अहाँसब करैत छी, अहाँसब स्वयंके दोसरक सोझा नीक लोकक रुपमे देखबैत छी। मुदा अहाँसब सचमुच लोभक इच्छा करैत छी आ दोसरक वस्तुसब ल' लैत छी। अहाँसब ओहि बर्तन जकां छी जे बाहरस' साफ अछि, मुदा भितरस' ओसब एखनो फोहर अछि।”26“यौ आन्हर फरिसीसब! सबस' पहिने दोसरके वस्तु चोराबए जेहन अधलाह काज करबाक इच्छा छोड़ि दिऔ। तखन अहाँ सांचे धर्मी काज क' सकब आ भितर-बाहर दुनू ठाम साफ-सुथरा बर्तन जकां बनि सकब।”27“यौ शास्त्री आ फरिसीसब, अहाँसब पाखण्डी छी! परमेश्वर अहाँसबके भयावह सजाए देथिन! अहाँसब ओहि कबर जकां छी जत लोक मृतकके गाड़ि देने अछि। ओहि कबरसबके बाहरस' उज्जर रंगस' रंगल जाइत अछि जाहिस' ओ सुन्दर देखएमे लगैत अछि। भलेहि ओ बाहरस' देखएमे सुन्दर लगैत अछि, मुदा भितरस' ओसब मृतकके हड्डी आओर आन वस्तुस' भरल अछि जेकरा जं केओ छुबैत अछि त' ओकरा अशुद्ध बना दैत अछि।28अहाँ ओहि कबर जकां छी, जखन लोक अहाँके देखैत अछि त' अहाँके धर्मी काज करैत देखैत अछि। मुदा अहाँसब सत्ते पाखण्डी छी, किएकत' अहाँसब अधर्मस' भरल छी।”29“यौ शास्त्री आ फरिसीसब, अहाँसब पाखण्डी छी! परमेश्वर अहाँसबके भयावह सजाय देथिन! अहाँसब ओहि प्रवक्तासबके कबरके फेरुस' बनबैत छी जे यहूदीसब बहुत पहिने मारि देने छल। अहाँसब ओहि स्मारकसबके सजबैत छी जे धर्मीसबहक आदर करैत अछि।30अहाँ कहैत छी ‘हमसब अपन पूर्वजक समयमे रहितहुं त' प्रवक्तासबके हत्या करएबलासबके संग सहभागी नहि होइतहुं।’31जखन अहाँ ई कहैत छी त' अहाँ ई गवाही दैत छी जे अहाँ अपन पूर्वजके सन्तान छी आ प्रवक्तासबके ओहिना मारि देब जेना ओसब कएने छल।32अहाँ लोकके मारएलेल ओतबे तैयार छी जतेक अहाँक पूर्वज छलाह!33अहाँ दुष्ट लोक बिखधर सांप जकां खतरनाक छी! निश्चितरुपस' अहाँ परमेश्वरद्वारा नरकमे देल जाएबला दण्डस' नहि बंचि सकब!34एहि कारण हम अहाँसबके प्रवक्तासब, ज्ञानी लोकसब आ ओहि लोकसबके पठा देब जे अहाँसब शास्त्री छी। अहाँ किछु गोटेके क्रूसपर कांटी ठोकिक' मारि देबनि, आ किछु गोटेके आन तरहें मारि देबनि। अहाँ ओहिमेस' किछु गोटेके सभाघरमे कोड़ा मारब आ अहाँसब ओकरासबके एक शहरस' दोसर शहरमे भगा देब।35तएं परमेश्वर अहाँ आ अहाँक पूर्वजके दोषी ठहरौताह जे पृथ्वीपर धर्मी लोक छल, तेकरा मारि देलिऐ। एहिमे आदमके पुत्र हाबिलस' ल' क', जे एकटा धर्मी लोक छलाह, अन्तिम प्रवक्तासबमेस' एक बिरिकयाहक पुत्र जकरयाह धरिके लोक सहभागी छथि, जेकरा अहाँक पूर्वजसब मन्दिर आ वेदीके बीचक पवित्र स्थानमे मारि देने छलाह।36हम अहाँसबके जे कहैत छी से सत्य अछि। अहाँसब जे हमर कहल बातक गवाह छी, परमेश्वर अहाँसबके ओहि सब प्रवक्तासबके मारबाक सजाए देथिन!”37यीशु आओर आगु बजैत गेलाह, “हे यरूशलेमके लोकसब, अहाँसब बहुत पहिने प्रवक्तासबके मारि देलिऐ, जेकरा परमेश्वर अहाँसबलग पठएने रहथि, ओकरासबके अहाँसब पत्थलस' मारि देलिऐ। बहुते बेर हम अहाँसबके रक्षा करबाक लेल संगे जुटाबएके इच्छा कएलहुं, जेना मुर्गी अपन बच्चासबके पांखिके नीचा रखैत अछि। मुदा अहाँसब नहि चाहैत छलहुं जे हम एना करी।38त' सुनू: अहाँक यरूशलेम शहर एहन जगह बनि जाएत जत केओ नहि रहत। 39ई बात ध्यानमे राखू: अहाँ हमरा तखने फेरु देखब जखन हम घुरब, जखन अहाँ हमरा विषयमे कहब जे ‘धन्य छी अहाँ जे प्रभुके नाम ल' क' अबैत छथि !’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.