Matthew22

1एक बेर फेरु, यीशु यहूदी अगुवासबके आन-आन दृष्टान्तसब सुनौलनि। पहिन कथा एहि तरहें छल:2“जखन परमेश्वर स्वर्गस' शासन करताह तखन ई ओहि राजाके समान होएत जे दाससबके कहने रहथि जे अपन बेटाके लेल विवाह क भोज तैयार करु।3उत्सव मनाबएलेल भोज तैयार भेलापर राजा अपन दाससबके विवाह क भोजमे आमन्त्रित कएल लोकसबके अएबाक समय भ' गेल कहए लेल पठा देलथिन। दाससब बाहर निकलिक' लोकसबके कहलनि, मुदा राजा जिनका सबके आमन्त्रित कएने छलाह, ओसब आबए नहि चाहैत छल।4तएं राजा फेरु दोसर दाससबके पठौलनि जे ओहि लोकसबके भोजमे आबएलेल आज्ञा देलनि। ओ हुनकासबके कहलनि, ‘राजा अहाँसबके कहलनि अछि जे हमर दाससब भोजन तैयार कएने छथि। बैल आ मोटाएल बच्छासबके काटिक' पकौने अछि। सब किछु तैयार अछि। आब अहाँसबके विवाह क भोजमे अएबाक समय भ' गेल अछि!’5मुदा जखन दाससब ओकरासबस' ई बात कहलकनि त' ओसब दाससबके बातपर कोनो ध्यान नहि देलक। किछुगोटे अपन खेत दिस चलि गेलाह। दोसर लोकसब अपन अपन व्यापार करएबला स्थानपर चलि गेलाह।6राजा जे बांकी लोकसबके आमन्त्रित कएने छलाह, से हुनकर दाससबके पकड़ि लेलक, दुर्व्यवहार कएलक आ मारि देलक।7जखन राजा ई घटनासब सुनलनि त' ओ क्रोधित भ' गेलाह। ओ अपन सिपाहीसबके आदेश देलनि जे जाक' ओहि हत्यारासबके मारि दिअ आ ओकरासबहक शहर जरा दिअ।8सिपाहीसबद्वारा ई काज कएलाक बाद राजा अपन आन दाससबके कहलनि, ‘हम विवाह क भोज तैयार क' लेने छी, मुदा जेकरासबके आमन्त्रित कएल गेल रहए से सब आबए योग्य नहि अछि।’9तएं शहरक मुख्य सड़कके चौबटिया पर जाउ। ओतए जे केओ भेट होएत हुनकासबके कहि दिऔ जे हुनकासबके विवाह क भोजमे आबए पड़तनि।10तएं दास ओतए चलि गेल। आ जे लोकसब भेटैत छल, नीक वा खराब ओकरासबके एकठाम जमा क' लेलक। ओकरासबके ओहि भवनमे लगेल जत विवाहक भोज होबएबला छल, जाहिस' ओसब घर भरि गेल।11मुदा जखन राजा अतिथिसबके देखबाक लेल भवनमे गेलाह त' एकगोटे एहन आदमीके देखलनि जे विवाह क भोजमे अतिथिसब लेल उपलब्ध कराओल वस्त्र नहि पहिरने छलाह। 12राजा हुनका कहलनि, ‘यौ मित्र, अहाँके एहि भवनमे प्रवेश नहि करबाक चाही छल। कारण अहाँ विवाह क भोजमे अतिथिसबद्वारा पहिरल जाएबला वस्त्र नहि पहिरने छी!’ ओ आदमी किछु नहि बाजल, कारण ओकरा नहि बुझल छल जे की बाजत।13तखन राजा अपन सेवकसबके कहलनि, ‘एहि आदमीके हाथ-पयर बान्हिक' बिलकुल अन्हारमे फेक दिऔ।’ ई ओ जगह अछि जत लोक अपन दर्दक कारणे कनैत अछि आ दांत कटैत अछि।”14तखन यीशु ई कहिक' समापन कएलनि, “एहि कथाक सन्देश ई अछि जे परमेश्वर बहुते गोटेके अपनालग आबएलेल आमन्त्रित करैत छथि, मुदा किछुए गोटे हुनकाद्वारा चुनल गेल अछि।”15यीशुके ई बात कहलाक बाद फरिसीसब एकेसंग ई योजना बनाबए लेल जमा भेलथि जे ओकरासबके किछु एहन कहबाकलेल कोना मजबूर क' सकी जे ओकरासबके फंसाबएमे सक्षम भ' सकए।16ओसब अपन किछु चेलासबहक संग किछु यहूदीसबके सेहो पठौलनि जे गलीलक शासक हेरोदेस अन्तिपासके समर्थन कएलनि। ओसब यीशुके कहलनि, “यौ गुरु, हमसब जनैत छी जे अहाँ मात्र ओहने शिक्षा दैत छी जे सत्य अछि। हमसब इहो जनैत छी जे लोकक विचार अहाँपर कोनो असर नहि पड़ैत अछि। बल्कि, अहाँ लोकसबके परमेश्वरके मार्ग सत्यतास' सिखबैत छी जे परमेश्वर हुनकासबस' की चाहैत छथि। अहाँ हुनकर सामाजिक उपाधिक आदर नहि करैत छी।17तएं अहाँ एहि विषयमे की सोंचैत छी से कहूं: की ई उचित अछि जे हमसब रोमी सरकार कैसरके कर दैत छी, आ की गलत अछि जे हमसब ओकरा कर दैत छी?”18मुदा यीशुके बुझल छलनि जे ओसब हुनकास' ई मात्र एहिलेल पुछि रहल छथि जे ओसब यहूदी आ रोमी अधिकारीसबलेल परेशान करए लेल कोनो कारण ताकए चाहैत छल। तएं ओ हुनकासबके कहलनि, “हे पाखण्डीसब! हमरास' असली प्रश्न पुछबाक नाटक करब बंद करु!19हमरा ओ एकटा चानीके रुपैया देखाउ जाहिस' लोक रोमी कर दैत अछि।” तएं ओसब दीनार नामक सिक्का देखएलनि। 20ओ हुनकासबस' पुछलनि, “एहि सिक्कापर केकर चित्र अछि?” आ ओहिपर केकर नाम अछि?21ओसब उत्तर देलनि, “एहिमे कैसरक चित्र आ नाम अछि, अर्थात् ओ रोमी सरकारपर शासन करएबला व्यक्ति अछि।” तखन ओ हुनकासबके कहलनि, “एहन स्थितिमे जे सरकारके अछि से सरकारके द' दिऔ, आ जे परमेश्वरके अछि से परमेश्वरके द' दिऔ।”22जखन लोकसब यीशुक ई बात सुनलनि त' आश्चर्यचकित भ' गेलाह। फेरु ओसब हुनका लगस' चलि गेलाह।23ओहि दिन किछु सदुकीसब यीशु लग आबि गेलाह। ओसब एकटा यहूदी समूह अछि जे ई नहि मानैत अछि जे परमेश्वर लोकसबके मरलाक बाद जीवित उठबैत छथि। ओसब यीशुस' पुछलनि,24“यौ गुरु, मूसा पवित्र शास्त्रमे लिखने छथि, ‘जं केओ बिना बच्चा जनमओने मरि जाइत अछि त' ओकर भाइके ओकर विधवा पत्नीसंग विवाह करए पड़तैक। ई एहिलेल अछि जे ओ महिला ओ व्यक्तिसंग एकटा बच्चा जन्मा सकए जे मृतकके वंशज मानल जाएत। एहि तरहें ओहि मृतक वंशज होएत ।’25एकटा परिवारमे सात भाइ छल। सबस' जेठ भाइ एकगोटे स्त्रीस' विवाह कएलक। हुनका दुनूगोटेके कोनो सन्तान नहि भेल, आ ओ मरि गेल। तएं, दोसर भाइ ओहि विधवाके संग विवाह कएलनि।26दोसरो भाइके संग सेहो ओहने भेल, बांकी पांचो भाइके संग सेहो ओहने भेल, सबगोटे ओहि स्त्रीसंगे विवाह कएलक, आ बिना कोनो सन्तान जनमौने मरि गेल।27अन्तमे ओ स्त्री सेहो मरि गेलीह।28तएं जखन परमेश्वर हुनकासबके मृत्युके बाद जीवित करताह तखन सात भाइमेस' के ओहि स्त्रीके पति होएतै? ओ सबगोटे अलग-अलग समयमे विवाह कएने रहए।”29यीशु ओकरासबके उत्तर देलनि, “अहाँसब जे सोंचैत छी से गलत अछि। अहाँसबके ई नहि बुझल अछि जे शास्त्रमे की लिखल अछि। अहाँ इहो नहि बुझति छी जे परमेश्वर लोकके फेरुस' जीवित करबामे सामर्थी छथि।30जखन परमेश्वर मृत्यु भेल लोकसबके जीवित करताह तखन केओ विवाह नहि करतथि। बल्कि ओसब परमेश्वरक संग रहनिहार स्वर्गदूत जकां होएताह। किएकत' ओहो विवाह नहि करैत छथि।31मुदा निश्चय अहाँसब पढ़ने होएब जे परमेश्वर अहाँक पूर्वजसबके की कहने रहथि जे ओ कोना लोकके मृत्युके बाद जीवित करैत छथि। ओ कहलनि,32‘हम ओ परमेश्वर छी जेकर आराधना अब्राहम करैत छथि, ओ परमेश्वर जिनकर आराधना इसहाक करैत छथि आ ओ परमेश्वर जिनकर आराधना याकूब करैत छथि।’ ओसब मृत्यु भेल लोकसब नहि छथि जे परमेश्वरक आराधना करैत छथि। ओसब जीवित लोक छथि जे हुनकर आराधना करैत छथि। तएं अब्राहम, इसहाक आ याकूब परमेश्वरक संग जीवित छथि !”33जखन लोकसबके भीड़ यीशुके ई सिखबैत सुनलक त' ओकरासबके आश्चर्यचकित क' देलक।34मुदा जखन फरिसीसब सुनलनि जे यीशु सदुकीसबके एहन उत्तर देलनि जे ओसब कोनो प्रतिक्रिया नहि द' सकलथि, तखन फरिसीसब एकत्रित भ' गेलाह जे ओसब हुनका की कहतथि। तेकरबाद ओसब हुनकालग गेलथि।35ओहिमेस' एकगोटे, परमेश्वरद्वारा मूसाके देल गेल व्यवस्थाके शिक्षक छलथि, यीशुके परीक्षा लेबए चाहैत छलथि। ओ हुनकास' पुछलनि,36“यौ गुरु, परमेश्वरद्वारा मूसाके देल गेल व्यवस्थामे कोन आज्ञा सबस' बेसी महत्वपूर्ण अछि?”37यीशु व्यवस्थाके उल्लेख करैत उत्तर देलनि, “अहाँके अपन प्रभु परमेश्वरस' अपन प्राण संग, अपन इच्छा संग आ अपन पूरा विचारक संग प्रेम करबाक चाही ।38परमेश्वरद्वारा मूसाके देल गेल व्यवस्थामे सबस' महत्वपूर्ण आज्ञा इएह अछि।39अगिला सबस' महत्वपूर्ण आज्ञा जेकरा सबगोटेके निश्चय पालन करबाक चाही से ई अछि: अहाँके अपन लगपासक लोकस' ओतबे प्रेम करबाक चाही जतेक अपनास' प्रेम करैत छी ।40ई दुनू आज्ञा ओहि सब व्यवस्थाके आधार अछि जे मूसा पवित्र शास्त्रमे लिख चुकल छथि आ ओसब बात प्रवक्तासब सेहो लिखने छथि।”41जाहि समयमे फरिसीसब यीशु लग एकसंग जमा भेलथि त' यीशु हुनकासबस' पुछलनि,42“अहाँसब मसीहक विषयमे की सोंचैत छी? ओ केकर वंशज छथि?” ओसब हुनका कहलनि, “ओ राजा दाऊदक वंशज छथि।”43तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “जं मसीह दाऊदक पुत्र छथि त' दाऊद हुनका ‘प्रभु’ किएक कहैत छथि, जखन ओ ओएह बाजल रहथि जे परमेश्वरके आत्मा हुनका बाजएलेल कहने रहथि आ ओ कहलनि,44‘परमेश्वर हमर प्रभुस' कहलनि, “एत हमर दहिनाकात बैसल रहू, ओहि ठाम जत हम अहाँके सबलोकस' उपर सम्मान देब! जाधरि हम अहाँक दुश्मनसबके पूर्णरुपें नहि पराजीत क' देब ताधरि एतहि बैसल रहू !”’45तएं राजा दाऊद मसीहके ‘हमर प्रभु’ कहैत छलाह, मसीह एहन नहि भ' सकैत अछि जे मात्र दाऊदक वंशज होअए! ओ दाऊदस' बहुत पैघ होएताह!”46यीशु जे कहलनि ओ सुनएबला केओ व्यक्ति किछु कहबाकलेल नहि किछु सोंचि सकलथि। तेकरबाद हुनका फंसबएके कोशिस करबाक लेल केओ दोसर गोटे प्रश्न पुछबाक हिम्मत नहि कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67