Matthew21
1जं यीशु आ हुनक चेलासब यरूशलेम नगर पहुंचल, त ओसब जैतून पहाड़ लग, बैतफगे गाममे अएलनि। यीशु अपन दूटा चेलाके कहलकनि, “ओहि गाममे जाउ जे अहाँके सामने अछि। जहिना अहाँसब ओहि गाममे प्रवेश करब, अहाँसब एकटा गदहा आ ओकर बच्चाके देखब, जेकरा केओ बन्हने अछि। ओकरा खोलिक' एत हमरालग ल' क' आउ।3यदि केओ अहाँसबके पुछैक जे एकरा किएक ल रहल छी, त ओकरा कहबनि जे प्रभुके एकर कनिक काज अछि। तब ओ अहाँसबके लए जाएके अनुमति देत।”4ई सब किछु ओहि बातसबके सत्य प्रमाणित करबाक लेल भेल, जे बहुत पहिने परमेश्वर प्रवक्ताद्वारा कहने रहथि। ओ प्रवक्तासब शास्त्रमे लिखने छलाह जे लोकसब यरूशलेममे रहैत अछि ओकरासबके कहि दिऔ, “देखू! अहाँसबके राजा अहाँसबलग आबि रहल छथि! ओ एकटा गदहाके बच्चापर सबार भ क', नम्रतापूर्वक अओतनि।” 6तएं ओ दुनू चेला जाक ओहे कएलक जे करबाक यीशु ओकरासबके कहने छलथि।7ओसब गदहा आ ओकर बच्चाके हुनकालग ल क' आबि गेल। ओसब यीशुके बैसाबए लेल ओहिपर अपन वस्त्र बिछा देलक। तब यीशु बिछाओल वस्त्रपर चढ़िक बैसि गेलनि।8तब एकरा नमहर भीड़ अपन किछु उपरका वस्त्र सड़कपर बिछा देलक। किछु आन लोकसब खजूरके गाछस छज्जा काटिक' सड़कपर बिछा देलक। 9जे भीड़ हुनक आगु-आगु चलि रहल छल आ जे लोक हुनक पाछु-पाछु चलि रहल छल, ओसब चिचिआ रहल छल, “राजा दाऊदके वंशज, मसीहके होसन्ना !” “एहि व्यक्तिके प्रभु आशीष देथि जे परमेश्वरके प्रेरितके रुपमे हुनकर नाममे अबैत छथि!” “परमेश्वरके, जे स्वर्गमे छथि, हुनकर स्तुति करु!”10जं यीशु यरूशलेममे प्रवेश कएलनि, त ओहि सारा नगरके बहुत लोकसब उत्साहित भ' क' एक-दोसरके पुछए लागल, “ई आदमीके अछि जेकरा लोकसब एहन आदर करैत अछि?”11जे भीड़ हुनकासंगे चलैत छल, ओसब उत्तर देलक, “ई गलील प्रान्तके नासरत नगरके प्रवक्ता यीशु छथि!”12तखन यीशु मन्दिरक प्रांगणमे जा' क' ओतए किन-बेच करएबला लोकसबके निकलि देलनि। ओ ओहि लोकक टेबुलसब सेहो पलटि देलनि जे रोमी सिक्का बदलि रहल छल, जेकर उपयोग लोकसब मन्दिरक कर भुक्तान करबाक लेल करैत छल। ओ ओहि लोकक चौकी सेहो पलटि देलनि जे बलिदानक लेल पड़वा बेच रहल छलथि।13तखन ओ हुनकासबके कहलनि, “एकगोटे प्रवक्ता पवित्र शास्त्रमे लिखने छथि, ‘परमेश्वर चाहैत छथि जे हमर घर एहन होअए चाही जत लोकसब प्रार्थना क' सकए, मुदा अहाँसब एकरा चोर-डाकू रहनिहार स्थान बना देलहुं!’”14एहिके बाद मन्दिरमे बहुते आन्हर आ नांगर लोकसब यीशु लग आबि ओसब चंगा करबाक लेल निहोरा कएलक। यीशु हुनकासबके चंगा कएलनि।15मुख्य पुजारी आ शास्त्रीसब यीशुद्वारा कएल गेल आश्चर्यचकित काजसब देखलनि। ओ मन्दिरमे बच्चासबके सेहो चिचिआइत देखलनि, “राजा दाऊदक वंशज मसीहक स्तुति करु!” आ एहि कारणे ओसब यीशुपर बहुत क्रोधित भ' गेलाह।16ओ हुनकास' पुछलथिन, “ओसब जे कहि रहल छथि से सत्य नहि भ' सकैत अछि!” तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “हं, ई बात ठीके अछि! किएकत' निश्चय अहाँसब धर्मशास्त्रमे ओएह पढ़ने होएब जे भजन करएबलासब लिखने छथि, जखन ओसब परमेश्वरस' कहलनि, ‘अहाँ धियापुता आ दूध पिआ बच्चासबके अहाँ अपन स्तुति करबाक लेल सिखएने छी?’”17तखन यीशु आ हुनकर चेलासब भीड़के छोड़ि नगरस' बाहर चलि गेलाह। ओसब बेतनिया गाम गेलथि आ ओहि राति ओतहि रुकि गेलथि।18दोसर दिन भोरे-पराते जखन ओसब यरूशलेम शहर दिस घुरैत छलाह तखन यीशुके भूख लगलनि।19ओ सड़कके कातमे एकटा अंजीरक गाछ देखलनि, तएं ओ किछु अंजीर तोड़िक' खएबाक लेल गाछ लग गेलाह, त' ओ देखलनि जे ओहिपर मात्र पता अछि। तखन ओ अंजीरक गाछस' कहलनि, “अहाँ फेरु अनन्तकालधरि अंजीर नहि उत्पन्न नहि करब!” फलस्वरुप ओ अंजीरक गाछ तुरन्त सुखि गेल।20जखन चेलासब देखलनि जे अंजीरक गाछ सुखि गेल अछि, त' ओसब अपनामे आश्चर्यचकित भ' क' कहलनि, “अंजीरक गाछ एतेक जल्दी कोना सुखा गेल?”21यीशु हुनकासबके कहलनि, “हम अहाँसबके सत्य कहैत छी, जं अहाँसब विश्वास करब जे परमेश्वर लग ओ करबाक सामर्थ्य छन्हि, जे किछु अहाँसब हुनकास' मांगब आ हुनकापर अहाँसब सन्देह नहि करब त' अहाँसब सेहो एहन-एहन काज करबामे सक्षम भ' जाएब जे हम अंजीरक गाछक संग कएलहुं। एतधरि जे अहाँ एहन अद्भुत काज सेहो क' सकब जेना एहि पहाड़के कहब, ‘उखारिक' समुद्रमे फेक दिऔ’, आ से भ' जाएत!22एतबे नहि, अहाँ प्रार्थनामे जे किछु मांगब, जं अहाँ विश्वास करैत छी जे परमेश्वर अहाँके ओ देताह त' अहाँ ओ प्राप्त करब।”23एकरबाद यीशु मन्दिरक आंगनमे गेलाह। जखन ओ लोकसबके पढ़बैत छलाह तखन मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरान लोकनि हुनकालग आबि गेलाह। ओसब पुछलथिन, “अहाँ कोन अधिकारस' ई काज करैत छी?”24यीशु हुनकासबके कहलनि, “पहिने हम अहाँसबस' एकटा प्रश्न पुछब, आ जं अहाँसब हमरा उत्तर देब त' हम अहाँसबके कहब जे हम ई सब कोन अधिकारस' करैत छी।25यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार लोकसबके बपतिस्मा देबाक अधिकार के देलक? की ओ स्वर्गस' परमेश्वर छलाह आ की ओ लोक छलाह?” मुख्य पुजारी आ बुजुर्ग लोकनि आपसमे विचार-विमर्श करैत छलाह जे कोन उत्तर देबाक चाही। ओसब एक दोसरास' कहलनि, “जं हमसब कहब जे ई परमेश्वरक दिसस' आएल अछि त' ओ कहताह जे हमरासबके यूहन्नाक सन्देशपर विश्वास करबाक चाही छल!”26मुदा जं हमसब कहब जे ई लोकसब दिसस' छल, तखन भ' सकैत अछि भीड़ हमरासब विरुद्ध हिंसक प्रतिक्रिया द' सकैत अछि, हमरासबके भीड़स' डर लगैत अछि। “किएकत' लोकसब ई विश्वास करैत अछि जे यूहन्ना एक प्रवक्ता छल जिनका परमेश्वरद्वारा पठाओल गेल छल।”27तएं ओसब यीशुके उत्तर देलनि, “हमरासबके नहि बुझल अछि जे यूहन्नाके बपतिस्मा देबाक अधिकार के देलकनि।” तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “ओना अहाँसब हमर प्रश्नके उत्तर नहि दैत छी, तएं हमहूं अहाँसबके ई नहि कहब जे काल्हि हम एत जे काज कएलहुं, से करबाक अधिकार हमरा के देलक।”28“हमरा अहाँसब कहू जे एहि कथा पर की विचार अछि: एकटा आदमी छल जेकरा दूटा बेटा छल। ओ अपन बड़का बेटा लग जा' क' कहलखिन, ‘बौआ, आइ हमर अंगूर बगानमे काज करु!’29मुदा बेटा अपन पिताके कहलकनि, ‘हम नहि जाएब!’ मुदा बादमे हुनका पछतावा भेल अपन मन बदलि लेलनि, आ ओ जा' क' अंगूरक बगानमे काज कएलनि।30तखन पिता अपन छोट बेटा लग जाक' ओहिना कहलनि जेना ओ अपन बड़का बेटाके कहने छलाह। बेटा कहलनि, ‘पिताजी, हम आइ अंगूर बगानमे काज करए जाएब।’ मुदा ओ काज करए नहि गेलाह।31आब, ओहि व्यक्तिक दुनू बेटामेस' कोन बेटा अपन पिताक इच्छा पूरा कएलक?” ओ उत्तर देलनि, “बड़का बेटा।” तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “जे हम अहाँसबके कहैत छी ओएह सत्य अछि, परमेश्वर अहाँसबपर शासन करएस' पहिने कर उठाबएबला आ वेश्यासबपर शासन करताह।32किएकत' यूहन्ना बपतिस्मा देबएबला अहाँसबके धर्मी तरीकास' जीवन जिअके लेल समझओने छलथि, मुदा तेकरबादो अहाँसब हुनकर सन्देशपर विश्वास नहि कएलहुं। मुदा कर उठाबएबला आ वेश्यासब हुनकर सन्देशपर विश्वास कएलनि आ ओसब अपन पापपूर्ण व्यवहारस' पाछु हटि गेल। मुदा जखन अहाँसब कर असूली करएबला आ वेश्यासबके विश्वास करैत देखलहुं तेकरबादो अहाँसब पछतावा नहि कएलहुं आ नहि हुनकर सन्देशपर विश्वास कएलहुं।”33“एकटा आओर दृष्टान्त सुनू जे हम अहाँसबके कहि रहल छी। एकटा जमीनदार छल जे अंगूरक बगीचामे लगौने छल। ओ ओहिके चारुकात टाट लगौलक। अंगूरक रस जमा करबाक लेल एकटा रसकुण्ड बनौलनि। एकटा मचान सेहो बनौलनि जत केओ बैसिक' अंगूरक बगीचापर नजरि राखि सकैत छल। ओ अंगूर बगानके किछु लोकसबके बटैया पर द' देलनि जे एहिमे काज करत। तेकरबाद ओ दोसर देश चलि गेलाह।34जखन अंगूर तोड़बाक समय आबि गेल तखन जमीन मालिक अपन किछु दासके अंगूर बगानमे पठा देलनि जाहिस' अंगूर बगानमे उपजल अंगूरमेस' अपन हिस्सा ल' सकए।35मुदा बटिदारसब ओहि दाससबके बंधक बना लेलक। एकटाके मारि देलक। दोसरके मारि देलक आ तेसरके पत्थलस' मारि-मारिक' हत्या क' देलक।36तएं जमीन मालिक पहिने जतेक दास पठौने छलाह ताहिस' बेसी दास पठौलनि। बटिदारसब ओहि दाससबके संग ओहिना व्यवहार कएलक जेना आन दाससबके संग करैत छल।37ई बात सुनलाकबाद जमीन मालिक अपनहि बेटाके अंगूरमे अपन हिस्सा जमा करबाक लेल अंगूरक खेती करएबलासब लग पठौलनि। जखन ओ ओकरा पठा देलथिन तखन ओ मनेमन बजलाह, ‘ओसब हमर बेटाके अवश्य आदर करत आ अंगूरक बगीचामे हमर हिस्सा ओकरा द' देतैक।’38मुदा जखन बटिदारसब बेटाके अबैत देख एक-दोसरस' कहलनि, ‘ई ओएह व्यक्ति अछि जे एहि अंगूर बगानके उत्तराधिकारी होएत। आउ हमसब मिलिक' ओकरा मारि दिऔ आ एहि धनके अपनामे फांटि लिअ।’39तखन ओसब ओकरा पकड़िक' अंगूर बगानस' बाहर घिंचिक' ल' गेल आ मारि देलक।40आब यीशु मुख्य पुजारी आ धर्मगुरुसबस' पुछलथि जे जखन जमीन मालिक अपन अंगूर बगानमे घुरिक' जएताह त' अहाँके विचारस' ओ ओहि बटिदारसबके की करताह?”41ओसब उत्तर देलनि, “ओ ओहि दुष्ट लोकसबके पूर्णरुपस' नाश क' देताह! फेरुस' अंगूर बगान आन लोकके बटैया पर द' देताह। जखन अंगूर पाकि जाएत तखन ओकरा हुनक हिस्सा द' देतैक।”42यीशु हुनकासबके कहलनि, “की अहाँसब धर्मशास्त्रमे नहि पढ़ने छी जे भवन बनाबएबलासब एकटा विशेष पत्थलके उपयोग करएस' अस्वीकार क' देलक। मुदा प्रभु ओहि पत्थलके अपन उचित स्थानपर राखि देलनि, आ ओहि भवनके ओ सबस' महत्वपूर्ण पत्थल बनि गेल! प्रभु ई काज कएने छथि, आ जखन देखैत छी त' आश्चर्यचकित भ' जाइत छी। 43एहिलेल हम अहाँसबके ई कहैत छी जे परमेश्वरके राज्य आब अहाँसबस' छिन लेत एहन लोकसबके समूहके सोंपि देथिन जे हुनकर अछि आ हुनकालेल फल लाओत।44जे केओ एहि पत्थलपर खसत, ओ टुकड़ा-टुकड़ा भ' जाएत, आ जेकरापर खसत, ओ पिचा जाएत।”45जखन मुख्य पुजारी आ फरिसीसब ई दृष्टान्त सुनलनि त' ओसब बुझि गेलाह जे यीशु हुनकासबपर आरोप लगा रहल छथि किएकत' हुनकासबके विश्वास नहि छलनि जे ओ मसीह छथि।46ओसब हुनका पकड़ए चाहैत छल, मुदा ओसब एना एहिलेल नहि कएलक, किएकत' ओकरासबके डर छल जे जं ओसब एना करत त' भीड़ ओकरासबसंगे की करत। ई एहिलेल भेल जे भीड़ ई मानैत छल जे यीशु एकटा प्रवक्ता छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.