Matthew20

1यीशु एना कहब जारी रखलनि, “जं परमेश्वर स्वर्गस शासन करतथि, त ई एना अछि जे कोनो व्यक्ति जेकरालग जमीन अछि, भोरे लोकसबके जनमे राखएलेल बाहर गेल जे ओसब ओकर अंगूर बगानमे काज करए।2ओ ओकरासबस' प्रतिज्ञा कएलक जेकरा ओ काजपर रखने छलाह जे ओ ओकरा एकटा चानीके रुपैया देत। फेरु ओ ओकरा अपन अंगूर बगानमे पठा देलक।3ओहि दिन भोरे नऔ बजे ओ बजार फेरुस' गेल। ओत ओ आओर लोकसबके देखलक जे ओहिना बैसल रहए।4ओ ओकरासबके कहलथि जे हमर अंगूर बगानमे जाउ जेना दोसर लोकसब कएने अछि, आ ओत काज करु। जे मजदूरी धर्मी होएत ओ हम अहाँके देब। एहिलेल ओसब ओकर अंगूरक बगानमे जाक' काज करए लागल।5बारह बजे दुपहर आ बेरियामे तीन बजे ओ फेरु बजारमे गेल आ ओकरा दोसर मजदूर भेटल जेकरास' ओ उचित मजदूरी देबाक प्रतिज्ञा कएलक।6पांच बजे सांझमे ओ फेरुस' बजार गेल आ ओत दोसर लोकसबके ओहिना ठाढ़ भेल देखलक जे काज नहि क' रहल छल। ओ ओकरा कहलकनि, ‘अहाँ भरि दिन एत किएक छी आ किछु काज नहि क' रहल छी?’7ओ ओकरा कहलकनि, ‘किएकत' केओ नहि हमरा काजपर रखलक।’ ओ ओकरा कहलकनि, ‘हम अहाँके काजपर राखब। हमर अंगूर बगानमे जाउ जेना दोसर लोकसब कएने अछि, ओहिना ओत काज करु।’ एहि दुआरे ओ चलि गेल।8जखन सांझ भेल, त' अंगूर बगानके मालिक अपन मुन्सीके कहलकनि, ‘मजदूरसबके आबएलेल कहूं जाहिस' अहाँ ओकरेसबके मजदूरी द' सकी। ओहि लोकसबके पहिने चुकता करब जे सब आखिर मे काज कएनाइ शुरु कएने छल, आ ओकरासबके आखिर मे चुकता करब जे सब पहिने काज कएनाइ शुरु कएने छल।’9मुन्सी ओहि लोकसबमेस' सबगोटेके एक दिनक तोकल मजदूरी देलक जे सब बेरियाके पांच बजे जनमे लागल रहैक।10जखन ओ लोक अपन मजदूरी लेब गेल जे सब भिनसरे स' काज कएनाइ शुरु कएने छल, त' ओसब सोंचलक जे ओकरा तोकल मजदूरीस' बेसी भेटत। मुदा ओकरो तोकले मजदूरी भेटल।11एहिदुआरे ओसब अंगूर बगानक मालिकस' शिकायत कएलक किएकत ओसब सोंचलक जे ओकर मजदूरी अनुचित छल।12ओसब ओकरास' कहलकनि, ‘ई लोकसब एके घण्टा काज कएलक तथापि अहाँ ओकरा ओहे मजदूरी देलिऐ जे अहाँ हमरा देली, किएकत हमसब भरि दिन कठोर मेहनति कएली। एतधरि जे हमसब सबस गरम समयमे सेहो काज कएली!’13अंगूर बगानके मालिक शिकायत करएबलामेस' एकगोटेके कहलकनि, ‘यौ मित्र, हम अहाँक संगे अन्याय व्यवहार नहि कएलहुं। अहाँ हमरासंगे भरि दिन काज करबाक लेल एक दिनक तोकल मजदूरी पर सहमत भेल रही।14हमरास' शिकायत कएनाइ बंद करु! आ अपन मजदूरी ल क चलि जाउ! किएकत हम ओहि लोकसबके सेहो अहाँ जकां मजदूरी देबएके इच्छा रखैत छी जे सब अहाँके बाद काज कएनाइ शुरु कएने छल।15निश्चय हमरालग हमर धन ओहिना खर्च करएके अधिकार अछि जेना हमर इच्छा अछि! किएकत' हम नीक छी एहिलेल अहाँके डाह नहि करबाक चाही!’”16यीशु समापन कएलखिन, “एहि दुआरे, किछु लोकके जेकरा लोक महत्वहीन बुझति अछि, ओ ओहि समय महत्वपूर्ण भ' जाएत जहिया ओ परमेश्वरक संगे सदिखन लेल रहत। ओहिना, जे लोक एखन एहि जीवनमे स्वयंके महत्वपूर्ण बुझति अछि, ओ परमेश्वरक न्याय प्राप्त कएलक बाद महत्वहीन भ' जाएत।”17जं यीशु अपन 12 चेलासबके संग यरूशलेमके बाटपर जा रहल छलथि, ओ ओकरासबके एकान्तमे ल' गेलथि जाहिस जे ओ ओकरासबसंगे व्यक्तिगत रुपमे बातक' सकथि। फेरु ओ ओकरासबके कहलथि,18“ध्यानस' सुनू! अपनासब आब यरूशलेम जा रहल छी। जाहि समय हमसब ओत रहब, त किछु मुख्य पुजारीसब आ शास्त्रीसबके हम, मनुष्यक पुत्रके पकड़एलेल बाध्य क देत। ओसब हमरापर मुकदमा चलाओत आ हमरा मृत्युदण्ड देत।19तब ओसब हमरा आन जातिसबके हाथमे सोंपि देत जे ओसब हमरा मजाक उड़बैक, हमरा कोड़ा मारएक आ हमरा क्रूसपर कांटी ठोकि मारि दिए। मुदा ओकर तेसर दिन, परमेश्वर हमरा फेरुस' जीवित क' देथिन।”20एकरबाद, जब्दीके पत्नी, अपन दुनू बेटासबके ल' क' यीशु लग अएलीह। ओ यीशुके आगु ठेहुनियां द' क' हुनका एकटा उपकार करबाक लेल विनती कएलीह।21यीशु ओकरा पुछलनि, “अहाँ की चाहैत छी जे हम अहाँके लेल करु?” ओ हुनका जबाब देलीह, “हमरासंगे प्रतिज्ञा करु जे जं अहाँ राजा बनिक' शासन करब, त' हमर दुनू बेटामेस', एकटाके अहाँके दहिना आ दोसरके अहाँके बामा दिस बैसबाक लेल अनुमति देबै।”22यीशु ओकरा आ ओकर बेटासबके कहलथि, “अहाँसब नहि बुझति छी जे अहाँसब की मांगि रहल छी। की अहाँसब ओहने दुख उठाएब इच्छुक छी जेहन दुख हम उठाबएबला छी?” ओसब हुनका उत्तर देलक, “हं, हमसब एना करबाक इच्छुक छी?”23तब यीशु ओकरासबके कहलथि, “हं अहाँसब ओहने दुख उठाएब, जेना हम दुख उठाएब। मुदा ओ हम नहि छी जे हमर बगलमे बैसएबलाके चुनि जे हमरासंग शासन करत। परमेश्वर, हमर पिता, ओकरासबके ई स्थान देताह जेकरा ओ नियुक्त करैत छथि।”24जं बांकी दस चेलासब ई सुनलक जे याकूब आ यूहन्ना मांगि रहल छल, त ओसब ओहि दुनू भाइपर पीता गेल। किएकत ओहोसब यीशुसंगे आदरके स्थानपर बैसिक' शासन करए चाहैत छल।25तब यीशु ओकरासबके एकसंग बजाक' ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब जनैत छी जे आन जातिके शासकसब आदमीपर शासन करैत अछि, ओसब ई देखाबएमे आनन्द लैत अछि जे ओसब कतेक शक्तिशाली अछि।26अहाँसबके अपनामे ओहि शासकसब जकां नहि बनबाक चाही। एहिके उनटा, बल्कि यदि अहाँसबमेस' केओ चाहैत अछि जे परमेश्वर ओकरा नीक बुझथि, त बांकी ओकरासबके अहाँसबके सेवक बनू।27ओहिना, अहाँसबमेस सब केओ चाहैत छी जे परमेश्वर ओकरा बांकी सबस' महत्वपूर्ण बुझैक, त ओकरा बांकी सबके सेवक बनए चाही।28अहाँसबके हमर अनुकरण करबाक चाही। यद्यपि हम मनुष्यक पुत्र छी, तइयो हम एहिलेल नहि आएल छी जे दोसर हमर सेवा करए। बल्कि हम एहिलेल आएल छी जे हम दोसरके सेवा करी आ कतेको लोकके ओकरा छुटकाराके मोलके लेल हम अपन प्राण द' दी, जे जं हम मरी त, ई लोकसबके ओकर पापसबके लेल दण्डित करबाक लेल परमेश्वर दिसस' स्वतन्त्र क' देबाक लेल एकटा भुक्तानीके समान होएत।”29जं ओसब यरीहो नगरस' निकलैत छलनि, त लोकसबके एकटा बढ़का भीड़ हुनका पाछु चलि आएल।30जं यीशु आ चेलासब जाइत रहथि, त रस्ताके कातमे बैसल दूटा आदमी सुनलक जे यीशु जा रहल छथि। तएं ओसब हुनका चिचिआक' कहलकनि, “हे प्रभु राजा दाऊदके वंशज, हमरापर दया करु!”31भीड़के लोकसब ओकरासबके डांटिक' चुप रहलेल कहलकनि। मुदा ओ आन्हर आदमीसब आओर जोरस पुकार लागल, “हे प्रभु, राजा दाऊदके वंशज, हमरापर दया करु!”32यीशु रुकिक ओकरासबके अपन लगमे बजौलथि। फेरु ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब की चाहैत छी जे हम अहाँसबके लेल की करु?”33ओसब हुनका उत्तर देलक, “हे प्रभु, हमरासबके आंखिके चंगा क दिअ जे हमसब देख सकब!”34यीशु ओकरासबके लेल बड्ड दुखित महसूस कएलथि आ ओकरासबके आंखिके छुबि देलथिन। ओसब सब तुरन्ते देखएमे सक्षम भ गेलनि, आ यीशुके पाछु चलि गेलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67