Matthew19

1ई बातसब कहलाक बाद, यीशु अपन चेलासबके ल क गलील प्रदेशस' चलि गेलाह। ओ यहूदिया प्रान्तके ओहि क्षेत्रमे गेलाह जे यरदन नदीके पूर्व दिस अछि।2ओत एकटा नमहर भीड़ हुनका पाछु लागि गेल, आ ओ ओकरासबके बीच रहल बेमारसबके चंगा कएलथि।3किछु फरिसीसब हुनकालग आबिक' हुनका कहलकनि, “की मूसाके व्यवस्था कोनो कारणस कोनो पुरुषके अपन पत्नीके तलाक दिए से उचित अछि?” ओसब हुनका जांच करबाक लेल एना पुछलक।4यीशु ओकरासबके कहलथि “अहाँसब पवित्र शास्त्रमे पढ़ने छी जे जहिया परमेश्वर सबस पहिने सृष्टि कएने रहथि त ओ ओकरासबके नर आ नारीके रुपमे सृष्टि कएने रहथि।5ई बात ई कहैत अछि जे परमेश्वर एना किएक कहलथि, ‘एहिलेल कोनो आदमी अपन माय बाबूके छोड़ि दैत अछि आ अपन पत्नीसंगे विवाह करैत अछि। ओ दुनू एहन ढंगस एक देह भ' जाइत अछि जे ओ एके व्यक्ति होइक।’ 6एहि परिणाम स्वरुप, पहिने ओसब दू अलग-अलग व्यक्तिके रुपमे काज करितो, आ एहन एकजुट भ' गेल अछि जे मानू एके व्यक्तिके देह रहैक। किएकत ई सत्य अछि, एहिलेल कोनो पुरुष अपन पत्नीस' अलग नहि होएबाक चाही जेकरा परमेश्वर ओकरासबके जोड़ने छथि।”7तखन फरिसीसब हुनका कहलकनि, “तब मूसा एहन आज्ञा किएक देलनि जे केओ पुरुष अपन पत्नीके तलाक देब चाहैत अछि त, ओकरा तलाक देबएके कारण सहित ओकरा एकटा प्रमाणपत्र देबएके चाही आ तब ओकरा अपन घरस' दूर पठा देब चाही?”8यीशु ओकरासबके कहलथि जे एना एहिलेल रहैक जे अहाँसबके पूर्वज हठी रहैक, एहिलेल मूसा ओकरासबके अपन पत्नीके तलाक देबएके अनुमति देलनि, आ अहाँसबके मन सिखाबएलेल कठोर अछि आ अहाँसब ओकरासबस अलग नहि छी। मुदा जं परमेश्वर पहिन बेर एकटा पुरुष आ स्त्रीके सृष्टि कएलथि, त ओ ओकरासबके एक-दोसरस अलग करबाक मनसाय नहि रखने छलथि।9हम अहाँसबके कहैत छी जे परमेश्वर एहन कोनो पुरुषके व्यभिचारी मानैत छथि जे अपन पत्नीके व्यभिचारके कारण बाहेक तलाक दैत अछि, आ दोसर स्त्रीस विवाह करैत अछि। एहिना, परमेश्वर ओकरो व्यभिचारी मानैत अछि जे ओहि स्त्रीसंगे विवाह करैत अछि जेकरा कोनो आदमी तलाक देने अछि।10चेलासब हुनका कहलकनि, “यदि ई सत्य अछि त, आदमीके लेल इहे नीक होएत जे ओ कहियो विवाहे नहि करए!”11ओ उत्तर देलथिन, “सब आदमी नहि, मुदा केवल ओहे आदमी एहि शिक्षाके ग्रहण करएमे सक्षम अछि जेकरा परमेश्वर एहिके ग्रहण करएमे सक्षम करैत अछि।12एहनो आदमी अछि जे एहिलेल विवाह नहि करैत अछि किएकत ओकर इन्द्रिय ओकरा जन्म लेबएस' पहिनेस' दोषपूर्ण अछि। एहन आओर किछु आदमी सेहो अछि जे विवाह एहिलेल नहि करैत अछि किएकत ओकरा नपुंसक बना देल गेल अछि। फेरु एहनो किछु आदमी अछि ओहो विवाह करबाक निर्णय लैत अछि जे ओ परमेश्वरके सेवा करए जहिया ओ स्वर्गस शासन करतथि। अहाँसब जे ई बुझएमे सक्षम छी जे हम विवाहके सम्बन्धके कहने छी से अहाँसबके स्वीकार करबाक चाही।”13एकदिन किछु माय-बाबूसब अपन छोट-छोट धियापुताके हुनकालग लएलक जे ओ ओकरासबपर अपन हाथ राखिक' प्रार्थना क' देथि। मुदा हुनकर चेलासब लोकसबके एना करएस डांटि देलक।14मुदा यीशु कहलखिन, “धियापुतासबके हमरालग आबए दिऔ, आ ओकरासबके नहि रोकियौ! किएकत' इहे सब अछि जेकरापर परमेश्वर स्वर्गस शासन करैत छथि।”15तखन यीशु धियापुता सब पर अपन हाथ ध' क' आशीर्वाद देलथिन। तब ओ ओतएस' चलि गेलनि।16एक बेर, यीशु जा रहल छलथि, त एकटा आदमी हुनकालग आबिक' हुनका कहलकनि, “यौ गुरु, हमरा परमेश्वरके संग अनन्त जीवन पाबएके लेल कोन-कोन नीक काजसब करबाक चाही?”17यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँ हमरास ई किएक पुछैत छी जे करबाक लेल कोन काज नीक अछि? नीक एके गोटे छथि, आ ओ लोकसबके कहि देने छथि जे ओकरासबके कोन नीक काज करबाक चाही। मात्र परमेश्वरे नीक छथि। मुदा परमेश्वरके संग अनन्त जीवनमे प्रवेश करबाक प्रश्नके उत्तर देबाक लेल, हम अहाँके ओहि आज्ञासबके मानएलेल कहब जे परमेश्वर मूसाके देने रहथि।”18ओ आदमी यीशुस पुछलक, “हमरा कोन आज्ञा मानए चाही?” यीशु ओकरा उत्तर देलनि, “केकरो हत्या नहि करब, व्यभिचार नहि करब, चोरी नहि करब, झूठ गवाही नहि देब,19अपन माय बाबूके आदर करब, आ सब व्यक्तिस' ओतबे प्रेम करब जतेक अहाँ अपने प्रेम करैत छी।”20ओ युवक यीशुके कहलकनि, “हम ई आज्ञासबके पूर्णरुपमे पालन कएने छी। परमेश्वरके संग सदा रहबाक लेल हमरा की करबाक चाही?”21यीशु ओहि आदमीके कहलथि, “यदि अहाँ परमेश्वरके आगु निर्दोष रहबाक इच्छा करैत छी, त घर जाउ, आ जे किछु अहाँ लग अछि ओकरा बेचक' ओहि धनके गरीबके द देबै। एना कएलास' अहाँ आत्मिकरुपस धनीक भ जाएब, किएकत अहाँ परमेश्वरके संग स्वर्गमे सदाके लेल रहब। तब अहाँ हमरा पाछु आबिक' हमर चेला बनि जाउ!”22जं ओ युवक एहि बातके सुनालक, त ओ उदास भ' क' चलि गेल। उदास एहिलेल भेल जे ओ बड्ड धनीक रहए आ जे किछु ओकरा लग रहैक से ओ छोड़ि नहि चाहैत रहैक।23तखन यीशु चेलासबके कहलथि, “जे हम अहाँसबके कहैत छी से सत्य अछि, ई बड्ड भारी बात अछि जे धनीक लोक परमेश्वरके प्रसन्न करए आ परमेश्वर स्वर्गस ओकरापर अपना लोकपर शासन करथि।24हम अहाँसबके इहो कहैत छी: सुइया मे भेल भूंड़ द क ऊंटके निकलि जाएब सम्भव अछि मुदा धनीक लोकलेल परमेश्वरके प्रसन्न करब असम्भव अछि जे परमेश्वर स्वर्गस ओकरापर अपन लोक जकां शासन करथि।”25जखन चेलासब ई सुनलक, त ओ बड्ड चकित भेल। तएं ओसब यीशुके कहलकनि, “यदि ई सत्य अछि त के बंचिक' सदा परमेश्वरके संग रहएमे सक्षम नहि होएत!”26तब यीशु ओकरासब दिस ध्यान द क देखक कहलथि, “हं, लोकसबके लेल स्वयंके उद्धार करब असम्भव अछि। मुदा परमेश्वरके लेल किछु करब सम्भव अछि!”27तब पत्रुस यीशुके कहलकनि, “हमरासबके देखियौ। हमसब सब किछु छोड़ि देने छी आ हमसब अहाँके पाछु चलबाक लेल चेला बनि गेल छी। तएं एना कएलास' हमरासबके कोन फायदा?”28यीशु ओकरासबके कहलखिन, “जे हम अहाँसबके कहैत छी से सत्य अछि: जं परमेश्वर नव पृथ्वी बनएतथि, आ जं हम, मनुष्यक पुत्र, अपन महिमामे अपन सिंहासनपर बैसब, त अहाँसबमेस' जे हमरासंग आएल छी, सबगोटे एक-एकटा सिंहासनपर बैसब। अहाँसब इजराएलके बारहो कुलके लोकसबके न्याय करब।29परमेश्वर ओकरासबके प्रतिफल देथि, जे हमरा नामके कारण घर आ जमीन, अपन भाइ, अपन बहिन, अपन माय-बाबू अपन बालबच्चा, वा परिवारके कोनो सदस्यके छोड़ि देने अछि। परमेश्वर ओकरा ओहिके सय गुणा बेसी अनन्त जीवन देथिन जतेक ओ त्यागि देने अछि। आ ओ सदा परमेश्वरके संग रहतैक।30मुदा बहुते लोक जे एहि जीवनमे स्वयंके महत्वपूर्ण मानैत अछि, ओ अनन्तकालमे महत्वहीन भ जाएत जं ओसब परमेश्वरके साथ रहतैक। ओहिना, बहुते लोक जेकरा महत्वहीन मानैत अछि, ओ अनन्तकालमे महत्वपूर्ण भ' जाएत, जं ओसब परमेश्वरके संग रहत।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67