Matthew1

1ई अब्राहम सन्तान, आ दाऊदके सन्तान, यीशु मसीहक वंशावलीके अभिलेख अछि।2अब्राहम इसहाकके पिता छल। इसहाक याकूबके पिता छल। याकूब यहूदा आ आओर पुत्रसबके पिता छल।3यहूदा परेस आ जेरहके पिता छल आ ओकर माय तामार छलीह। पेरस हेस्रोनके पिता छल। हेस्रोन अरामके पिता छल।4अराम अमीनादाबके पिता छल। अमीनादाब नाशोनके पिता छल। नहशोन सलमोनके पिता छल।5सलमोन आ ओकर पत्नी राहाब, एकटा गैर-यहूदी स्त्री, बोअजके माय-बाबू छल। बोअज ओबेदके पिता छल। ओबेदके माय रूथ, जे दोसर गैर-यहूदी स्त्री छलीह। ओबेद यिशयके पिता छल।6यिशय राजा दाऊदके पिता छल। दाऊद सुलेमानके पिता छल; सुलेमानके माय पहिने उरियाहके पत्नी छलीह।7सुलेमान रेहोबामके पिता छल। रेहोबाम अबियाहके पिता छल। अबियाह आसाके पिता छल।8आसा यहोशाफातके पिता छल। यहोशाफात योरामके पिता छल। योराम उजियाहके पूर्वज छल।9उजियाह योतामके पिता छल। योताम आहाजके पिता छल। आहाज हिजिकियाहके पिता छल।10हिजिकियाह मनश्शेके पिता छल। मनश्शे आमोनके पिता छल। अमोन योशियाहके पिता छल।11योशियाह यकोन्याह आ ओकर भाइसबके पिता छल। जहिया बेबिलोनी सेनासब इजराएलीसबके बंदी बनाक' बेबिलोन देशमे ल' गेल ताहि समयमे ओसब रहैत छल। 
12बेबिलोनीसब इजराएलीसबके बंदी बनाक बेबिलोनमे लगेल समयके बाद, यकोन्याह शालतिएलके पिता बनल। शालतिएल जरुब्बाबेलके पिता छल। 13जरुब्बाबेल अबीहूदके पिता छल। अबीहूद एलयाकीमके पिता छल। एलयाकीम अजोरके पिता छल।14अजोर सदोकके पिता छल। सदोक अखीमके पिता छल। अखीम एलिहूदके पिता छल।15एलिहूद एलिआजरके पिता छल। एलिआजर मत्तानके पिता छल। मत्तान याकूबके पिता छल।16याकूब यूसुफके पिता छल। यूसुफ मरियमके पति, आ यीशुके माय मरियम छलीह। यीशु छलथि जिनका मसीह कहल गेल।17यीशुके पूर्वजसबहक सूची एना अछि:अब्राहम जहिया जीवित रहैक ओतएस' दाऊद राजाधरि चौदह पीढ़ी भेल। दाऊद जहिया जीवित रहैक तहियास इजराएलीसब बेबिलोनमे बंदी बनाक' ल' जाएधरि चौदह पीढ़ी भेल, आ इजराएलीसब बेबिलोनमे बंदी बनाक' ल' गेलाके बाद मसीहके जन्म होबएधरि आओर चौदह पीढ़ी भेल।
18यीशु मसीहक जन्मस पहिने जे भेल ताहिके ई घटनाक्रम विवरण अछि। मरियम, यीशुक माय, यूसुफसंगे विवाहक लेल छेका भेल छल, मुदा ओसब पति पत्नी जकां संगे रहएस' पहिने, ओकरासबके जानकारी भेल जे ओ पवित्र आत्माके सामर्थ्यस एकटा बालकके जन्म देबएबाली अछि।19आब यूसुफ, जे ओकर होबएबला पति छल, एकटा एहन धर्मी मनुष्य छल जे परमेश्वरके आदेशके पालन करैत छल, ओ एहिलेल ओ ई निर्णय लेलक जे ओकरासंगे ओ विवाह नहि करत। मुदा ओ ओकरा आओर लोकसबके बीचमे अनादर नहि करए चाहैत छल। एहिलेल ओ चुपेचापे ओकरासंगे विवाह क योजना तोड़ि देबएके निर्णय कएलक।20जखन ओ एहिके गम्भीर भ' सोंचैत छल त', प्रभु ओकरा चकित बनाबए लेल सपनामे एकटा स्वर्गदूत पठौलखिन। स्वर्गदूत ओकरा कहलकनि, “यूसुफ, राजा दाऊदके सन्तान, मरियमके संग विवाह करएस' नहि डेराउ। किएकत' जे ओकरा कोंखिमे छथि से पवित्र आत्मा भरस' छथि।21ओ एकटा पुत्रके जन्म देतीह। किएकत' ओ अपन लोकसबके ओकरसबहक पापस बचा लेतथि, हुनक नाम ‘यीशु राखब।’”22ई सब एहिलेल भेल जे प्रभु परमेश्वर यशायाह प्रवक्ताके बहुत पहिने लिखएलेल कहने रहथि। यशायाह लिखलनि,23“सुनू, एकटा कुमारि कन्या गर्भवती होएतीह आ एकटा पुत्रके जन्म देतीह”“ओसब हुनका नाम इम्मानुएल कहतैक”जेकर अर्थ होइत अछि, “परमेश्वर हमरासबहक संग  ।”
24जं यूसुफ निनस' जागि गेल, जेना प्रभुके स्वर्गदूत आदेश देने रहए तहिना ओ कएलनि। ओ मरियमसंगे विवाहिता पत्नी जकां रहए लगलथि।25मुदा ओ प्रथम बालकके नहि जनमए धरि ओ ओकरासंगे नहि सुतलैक। आ यूसुफ ओकर नाम यीशु रखलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67