Matthew18

1चेलासब तुरन्ते यीशु लग आबिक' हुनका पुछलक, “स्वर्गके राज्यमे हमरासबमेस' सबस बेसी के महत्वपूर्ण अछि?”2यीशु एकटा बौआके अपनालग बजाक' चेलासबके बीचमे ठाढ़ क देलथिन।3ओकरासबके कहलथि, “हम अहाँसबके कहैत छी ई सांच अछि: यदि अहाँसब अपन स्वभाव पूर्णरुपमे बदलिक' छोट बौआसब जकां नहि बनबैक, त निश्चय अहाँसब परमेश्वरके ओहि लोकसबमेस' एक नहि भ सकैत छी, जेकरापर ओ स्वर्गस' शासन करैत छथि।4जे केओ एहि बालक जकां विनम्र बनि जाइत अछि, ओ ओहि लोकसबमेस' सबस' महत्वपूर्ण अछि, जेकरापर परमेश्वर स्वर्गस शासन करैत छथि।5जे केओ हमरा नामस' एहि बालक जकां विनम्र व्यक्तिके स्वागत करए, त परमेश्वरके लेल ओ एहन अछि जेना हमरा ग्रहण करैत अछि।6जे केओ हमरापर विश्वास करएबला एहि छोट बालकसब जकां विनम्र व्यक्तिके पाप कराबएके लेल प्रेरित करए, त परमेश्वर ओकरा कठोर दण्ड देथिन। परमेश्वर ओकरा न्याय करए ताहिस' ओकरालेल ई नीक होएतै जे ओ अपन गरदनमे एकटा भारी पत्थल बान्हि लैक आ केओ ओकरा समुद्रके गहींरमे फेक दिए।7एहि संसारमे एहन लोकसब सबदिन रहत जे लोकसबके पाप करबाक लेल प्रेरित करत। परमेश्वर निश्चय एहि संसारके लोकसबके भयावह न्याय करथिन, किएकत ओसब लोकसबके पाप करबाक लेल प्रेरित करैत अछि!8तएं यदि अहाँ पाप करबाक लेल अपन हाथ वा पयरके उपयोग करए चाहैत छी, त ओहि हाथ पयरके उपयोग कएनाइ बंद क' दिऔ! भलेहि अहाँके एहिके काटिक' फेक देब पड़ए त काटि दिऔ जे अहाँ पाप नहि करी! मानि लेब जे अहाँ लग एकेटा हाथ आ पयर रहितो परमेश्वरके संगे रहैत छी। ई ओहिस' कतेक नीक होएत जे यदि अहाँ लग दुनू हाथ-पयर रहितो परमेश्वर अहाँके पापके कारण अहाँके जीवन नरकके अनन्त आगिमे फेक देथि।9यदि अहाँ पाप करबाक लेल अपन आंखिके उपयोग करए चाहैत छी त' ओहि वस्तुसबके देखब बंद करु जे अहाँके पाप कराबएलेल प्रेरित करैत अछि, भलेहि अहाँके एहिके निकालिक' फेक पड़ए त एकरा निकालि दिऔ जे अहाँ पाप नहि करी! दुनू आंखि रहितो परमेश्वर अहाँके जीवन अनन्त आगिमे फेक देथि ओहिस' त नीके अछि।10एहन केकरो तुच्छ नहि मानब जे बालक जकां विनम्र अछि। हम अहाँके सांच्चे कहैत छी जे यदि अहाँ ओकरासंगे दुर्व्यवहार करैत छी त जे स्वर्गदूत ओकरा रक्षा करैत अछि ओ सदिखन हमर पितालग जाक' हुनका समाचार द सकैत अछि।11[किएकत' मनुष्यक पुत्र ओकरासबके बचाबएलेल आएल छथि जे हेरा गेल रहैक।]12एहि विभिन्न परिस्थिति पर विचार करु। यदि केकरो लग 100 भेंड़ा रहए आ ओहिमेस' एकोटा हेरा जाइक, त ओ निश्चय 99 टा भेंड़ा जे पहाड़पर अछि ओकरा चरएलेल छोड़िक', ओहि हेराएल भेंड़ाके खोजमे चलि जाएत।13जे हम अहाँके कहैत छी से सत्य अछि: यदि ओ व्यक्ति ओकरा खोजि लैत अछि त' ओ बड्ड आनन्दित होएत जे ओ हेराएल भेंड़के खोजि लेने अछि।14जेना चरबाह नहि चाहैत अछि जे ओकर भेंड़मेस' एकोटा हेरा जाइक, ओहिना परमेश्वर, अहाँके पिता जे स्वर्गमे छथि, नहि चाहैत छथि जे एहि बालक सबमेस केओ हुनकास' दूर नरकमे चलि जाइक।15यदि कोनो संगी-विश्वासी अहाँके विरुद्ध पाप करए, त एसगरे ओकरा लग जाक' अहाँके विरुद्ध पाप करबाक उलहन दिऔ। यदि ओ व्यक्ति अहाँके बात सुनिक' अपन गलती महसूस क' लैक जे ओ अहाँके विरुद्ध पाप कएने अछि, अहाँसब फेरुस' एकबेर भाइ जकां भ' जाएब। 16कहूं ओ व्यक्ति अहाँके बात नहि सुनैक वा अहाँके विरुद्ध पाप करबाक लेल अपन गलती महसूस नहि करए, त अपनासंगे एक वा दू विश्वासीके ल' जाएब। एना एहिलेल करु जे जाहि कोनो बातके दोष ओकरापर लगएबैक, ओकरा प्रमाणित करबाक लेल दू वा तीन गवाह होइक, जेना मूसाके व्यवस्था कहैत अछि।17यदि ओ व्यक्ति जे अहाँके विरुद्ध पाप कएने अछि, ओहि दोसरो विश्वासीके बात नहि सुनैक, जेकरा अहाँ अपन संग ल गेल रही, तब सारा मण्डलीके ई बात कहि देब जे ओ ओकरा सुधारि सकए। आ यदि ओ व्यक्ति मण्डलीके बात नहि सुनैक, त ओकरा अपना बीचस ओहि व्यक्तिके निकालि देब, जेना अहाँ गैर-यहूदी लोकसबके आ कर उठाबएबला भ्रष्ट व्यक्तिके निकालि दैत छिऐ जे विश्वास नहि करैत अछि।18जे हम अहाँके कहैत छी से सत्य अछि: जाहि कोनो बातके लेल अहाँ पृथ्वीपर मना करब ओकरा स्वर्गमे परमेश्वर अनुमति देथिन। ओहिना, जाहि कोनो बातके अहाँ पृथ्वीपर अनुमति देबै त परमेश्वर स्वर्गमे ओकरो अनुमति देथिन।19हम अहाँके ई सांच्चे कहैत छी: यदि अहाँसबमेस' दूगोटे जे पृथ्वीपर रहैत अछि, जे किछु मंगैत अछि, आ ओहिके विषयमे सहमत होइत अछि, त' हमर पिता जे स्वर्गमे छथि, अहाँसबके ओ देथिन जे अहाँ मंगबैक।20अहाँके पिता एना एहिलेल करैत छथि किएकत जं अहाँ दू वा तीन हमरा नामस' एकसंगे उपस्थित होइत छी, त ओत आत्मिकरुपस' हमहूं उपस्थित रहैत छी।”21तखन पत्रुस यीशु लग जाक हुनका कहलकनि, “यौ प्रभु, अपन संगी-विश्वासीके जे हमर विरुद्ध पाप करैत अछि तेकरा हम कएबेर क्षमा करबाक चाही? यदि ओ हमरास क्षमा मंगैत रहए तब हम की ओकरा सात बेर क्षमा करबाक चाही?”22यीशु ओकरा कहलथि, “हम अहाँके कहैत छी जे अहाँके केकरो कएबेर क्षमा करबाक चाही ई सात बेर नहि बल्कि ओकरा सात गुणा सत्तरि बेर क्षमा करबाक चाही।23एहि कारण, जहिया परमेश्वर स्वर्गस' अपन लोकपर शासन करतथि, त ई एकरा जकां अछि जं कोनो राजा चाहैत छलनि जे ओकरा सेवकसब ओ कर्ज चुका दिए जे ओकरासब उपर बांकी रहए।24राजा सबस' पहिने ओहि ऋणीके अपनालग बजौलक जेकरापर बहुते सोनाके रुपैया कर्ज रहैक। 25मुदा ओहि कर्ज लेनिहार सेवक लग ओतेक धन नहि रहैक जे ओ अपन मालिकके कर्ज चुकाबि सकैक, तब राजा अपन लोकके आदेश देलक जे ओकर पत्नी, बालबच्चा आ जे किछु अछि ओकरा लग अछि से बेच देल जाइक, ओकरा सेहो केकरो हाथे बेच देल जाइक। तब राजा ओहि धनके कर्ज चुकाएल धनके रुपमे ल' लेतनि।26तखन ओ सेवक ओहि राजाके आगु ठेहुनियां द' क' ओहि राजास' विनती करैत कहलकनि, ‘यौ मालिक, हमरा विषयमे धैर्य राखल जाओ, आ केहुनाक' हम अहाँके सब कर्ज चुका देब।’27मालिक ई जनैत जे ई सेवक एतेक नमहर कर्ज कहियो नहि चुकाबि सकत, ओकरालेल बड्ड दुखित महसूस कएलनि। तएं ओ ओकरा कर्जके माफ क' क' छोड़ि देलक।28तखन, राजालगस निकलल के बाद, ओ सेवक राजाके कोनो आओर संगी सेवक लग गेल जेकरा उपर एहि सेवकके सय दीनारके कर्ज बांकी रहैक। ओ ओकरा घेंउट देबाक' कहए लागल जे, ‘तोरा उपर जतेक कर्ज बांकी अछि से अखिने चुका।’ 29ओ दोसर संगी सेवक ओकरा आगु ठेहुनियां द क ओकरास विनती करए लागल, ‘हमरा विषयमे धैर्य राखू, आ केहुनाक' हम अहाँके कर्ज चुका देब।’30मुदा ओ सेवक ओहि कनिके कर्जके माफ नहि कएलक जे ओकरापर बांकी छल। बल्कि ओ दोसर सेवकके जहलमे ध' देलक जाधरि ओ अपन कर्ज नहि चुकाबि दिए।31जं मालिकके दोसर सेवकके जानकारी भेल जे एना भेल अछि। त' ओसब राजालग जाक' राजाके विस्तारस' कहि देलक जे पहिनुका सेवक दोसर संगी सेवक संग व्यवहार कएने छल।32तब मालिक ओहि सेवकके बजौलक जेकरा उपर बहुते कर्ज रहैक। ओ ओकरा कहलकनि, ‘ऐ दुष्ट सेवक! हम तोरा उपर बांकी एतेक भारी कर्ज एहिलेल क्षमाक' देलहुं किएकत' तों हमरा एना करबाक लेल विनती कएने रहए!33तोरो दया करबाक चाही आ अपन संगी सेवकके क्षमाक' देब' चाही, जेना हम तोरापर दया कएने रहियौ आ तोहर कर्ज क्षमाक देने रहियौ!’34मालिक बड्ड क्रोधित भ गेल आ ओ एहि सेवकके किछु सिपाहीसबके हाथमे सोंपि देलक, जे एकरा नहि नीक जकां प्रताड़ित करत जाधरि ओ अपना उपर भेल कर्ज चुका नहि देत।”35तखन यीशु ई दृष्टान्त कहिक' समाप्त कएलथि, “यदि अहाँ दया क' क' इमानदारीस अपन कोनो संगीके जे अहाँके विरुद्ध पाप करैत अछि, ओकरा भितर मनस' क्षमा नहि करब, त हमर स्वर्गीय पिता सेहो अहाँसबके संग एहिना करतथि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67