Matthew17

1ओ बातसब कहल के सात दिन बाद, यीशु पत्रुस, याकूब आ याकूबके भाइ यूहन्नाके संग ल' क' एकटा उंचगर पहाड़पर चलि गेलाह जत' ओसब एकान्त स्थानमे रहि सकथि।2जाहि समय ओ पहाड़पर रहथि, तब ओ तीनू चेलासब यीशुके रुप बदलैत देखलकनि। हुनकर मुंह सूर्य जकां चमक' लागल आ हुनक वस्त्र चमक लागल आ ज्योति जकां उज्जर भ गेल।3अनचोकेमे मूसा आ एलियाह प्रवक्ता प्रगट भेलनि आ यीशुसंगे बात करैत रहनि। 4पत्रुस ई देख यीशुके कहलकनि, “यौ प्रभु, हमरासबके एत रहब नीक बात अछि! यदि अहाँ चाहब त हम तीनटा तम्बू बनाएब, एकटा अहाँके लेल एकटा मूसा आ एकटा एलियाहके लेल।”5जाहि समय पत्रुस बाजि रहल छल, त एकटा उज्जर बादल ओकरासबके उपर आबि गेल। ओसब मेघमेस' एहन आवाज सुनलक, “ई हमर प्रिय पुत्र छनि, हिनकास' हम प्रेम करैत छी। ई हमरा बड्ड प्रसन्न करैत अछि। तएं अहाँसबके हिनकर बात सुनबाक चाही!”6जं तीनू चेलासब परमेश्वरके बात सुनलक त' ओसब बड्ड डेरा गेल। फलस्वरुप, ओसब मुंहे भरे भुइयांमे खसि पड़ल।7यीशु ओकरासबलग आबिक' ओकरासबके छुबि देलथिन आ ओकरासबके कहलथि, “ठाढ़ भ जाउ! नहि डेराउ!”8आ जं ओसब उपर देखलक त ओसब देखलक जे मात्र यीशु ओहि ठाम एखनो ठाढ़ रहथि।9जाहि समय ओसब पहाड़स नीचा उतरैत छलथि, त यीशु ओकरासबके आज्ञा देलथिन, “जाधरि परमेश्वर हमरा, अर्थात् मनुष्यक पुत्रके, मरलसबमेस फेरुस' जीवित नहि क' दिए, ताधरि पहाड़ जे किछु भेल अहाँसब देखलहुं से केकरो नहि कहबनि।”10ओ तीनू चेलासब जे यीशुके संग पहाड़पर रहैत काल हुनकास पुछलक, “यदि अहाँ मसीह छिऐ, त शास्त्रीसब ई किएक कहैत अछि जे मसीह आब स पहिने एलियाहके पृथ्वीपर आएब अवश्य अछि?”11यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “ई सांच्चे अछि जे एलियाह अओतैक आ ओ मसीहके आगमनके लेल लोकसबके तैयार करत।12मुदा मन राखू: जे एलियाह पहिनहि गेल अछि, आ अपनासबके अगुवा हुनका ओहि व्यक्तिके रुपमे नहि चिन्हलक जे मसीहस पहिने अओतैक। बल्कि, ओसब हुनकासंग ओसब अधलाह काजसब कएलक जेकर इच्छा ओसब कएने रहैक। ओहे अगुवासब जल्दिए हम, मनुष्यक पुत्रके संगे सेहो ओहने व्यवहार करत।”13तब ओ तीनू चेलासब बुझि गेल जे जखन ओ एलियाहके विषयमे बाजि रहल छलथि, त ओ यूहन्ना बपतिस्मा देबएबलाके सन्दर्भ द' रहल छलथि।14जं यीशु आ ओ तीनू चेलासब ओत के भीड़मे चलि आएल, त एक आदमी यीशुके आगु आबिक' ठेहुनियां देलक।15ओ हुनका कहलकनि, “यौ मालिक, हमरा बेटा पर दया क क चंगा करु! एकरा मिरगी अबैत अछि आ ओ बड्ड पीड़ित अछि। एहि रोगके कारण, ओ कएबेर आगि आ पानिमे खसि पड़ल अछि।16हम अहाँके चेलासब लग लएने रही जे ओसब एकरा चंगा क' दिए, मुदा ओसब एकरा चंगा करएमे सक्षम नहि भेल।”17यीशु उत्तर देलथिन, “लोकसबके चंगा करएबला परमेश्वरके क्षमतापर अहाँसब बिलकुल विश्वास नहि करैत छी। अहाँसब एतेक भ्रष्ट छी! हम एतेके दिनस' अहाँसबके संग छी, आ एखनो अहाँसब एना करएमे सक्षम नहि छी! ओहि लड़काके हमरालग लाउ!”18जखन ओसब ओहि बौआके हुनकालग ल क' आएल, त यीशु ओहि लड़कामेस' ओहि दुष्टात्माके निकलि जाएलेल आज्ञा देलनि। ओ दुष्टात्मा बाहर निकलि गेल, आ ओहि समयस' ओ लड़का चंगा भ' गेल।19बादमे, जं यीशु एसगरे रहथि, त हुनकर किछु चेलासब हुनकालग आबिक' हुनका पुछलनि, “हमसब ओहि दुष्टात्माके निकालएमे सक्षम किएक नहि भेलहुं?”20ओ ओकरासबके उत्तर देलथिन, “एना एहिलेल अछि किएकत' अहाँसब परमेश्वरपर कनिके विश्वास करैत छी। जे हम कहैत छी से सत्य अछि: सरिसोके बिआ बड्ड छोट बिआ होइत अछि, मुदा ओ नमहर भ' क' गाछ बनि जाइत अछि। ओहिना, यदि अहाँसब कनिको विश्वास करबैत परमेश्वर ओहे करतथि जे अहाँसब हुनका कहबनि, आ अहाँ सबकिछु करएमे सक्षम भ' जाएब! अहाँसब कोनो पहाड़के हिल जाएके आज्ञा देब सकैत छी, आ ओ हिल जाएत।21[मुदा एहन प्रकारके दुष्टात्मा प्रार्थना आ उपासके बिना नहि निकलैत अछि।]”22जखन चेलासब गलील प्रान्तमे एकठाम जम्मा भेल त', यीशु ओकरासबके कहलथि, “केओ हमरा, मनुष्यक पुत्र अगुवासब हाथे पकड़बा देत।23ओसब हमरा मारि देत, मुदा परमेश्वर हमरा मरलाके तेसर दिन फेरुस' जीवित क देताह।” जं चेलासब ई सुनलक, त ओसब बड्ड उदास भेल।24जं यीशु आ चेलासब कफरनहूम नगरमे अएलनि, त परमेश्वरके भवनके लेल कर असूल करएबला लोकसब पत्रुस लग आबिक' कहलकनि, “ठीके अहाँसबके गुरु परमेश्वरके भवनके कर भुक्तान करैत छथि, की ई सांच्चे अछि?” 25ओ ओकरासबके उत्तर दैत कहलकनि, “हं, ओ भुक्तान करैत छथि।” तब चेलासब ओहि घरमे आएल जत यीशु रहथि। पत्रुसके बाजएस' पहिनहि, यीशु ओकरा कहलथि, “यौ सिमोन, अहाँ की सोंचैत छी जे पृथ्वीके शासक अपन धन केकरास प्राप्त करैत अछि? की ओ अपन देशके नागरिकसबस' कर असूल करैत अछि, वा ओहि देशके नागरिक स' जेकरापर ओ विजय प्राप्त कएने अछि?” 26पत्रुस हुनका उत्तर देलकनि, “दोसर देशके नागरिक स' जेकरा राजा जीत लेने रहैत अछि।” तब यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “तब त' अपने देशके नागरिकसबके कर देबाक आवश्यकता नहि अछि।27मुदा एहि कारण कर असूलएबलासबके हमसब क्रोधित नहि करए चाहैत छी, तें गलीलके झीलके कातमे जाक' माछ पकड़एलेल बंसी फेकू, आ जे पहिनुका माछ पकड़ाइत तब ओकर मुंह खोलबैक त' अहाँके ओहिमे एकटा चानीके रुपैया भेटत जे अहाँ आ हमरालेल कर भुक्तान करबाक लेल पर्याप्त मोल भ' जाएत। ओहि पाइके ल' क' परमेश्वरके भवन कर असूलएबलासबके द' दिऔ।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67