Matthew14
1ओहि दिनसबमे गलील प्रदेशके शासक हेरोदेस अन्तिपास यीशुके आश्चर्यजनक कार्य करब आ शिक्षा देबएके विषयमे समाचार सुनलनि।2ओ अपन सेवकसबके कहलकनि, “ओ बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना होएतै। ओ अवश्य मरलसबमेस' जीवित उठल होएतै, आ एहिस' ओकरा ई आश्चर्यजनक काज करबाक सामर्थ्य भेटल अछि।”3यूहन्ना मरलमे जीवि उठल अछि, हेरोदेस एना एहिलेल कहलकनि किएकत यूहन्ना मारि गेल छल। ओकर मृत्यु एनाक भेल यूहन्ना हेरोदेस अन्तिपास स' कहि रहल छल जे ओकरा हेरोदियासके अपन पत्नीके रुपमे राखब उचित नहि अछि। किएकत' ओ एना कहैत छल एहिलेल हेरोदियास, जे हेरोदेसके भाइ फिलिपुसक पत्नी रही, अपन सेवकके यूहन्नाके जहलमे ध' देबाक आदेश देलक।5हेरोदेस अपना लोकसबके यूहन्नाके मरि देबएके आदेश देब चाहैत छल, मुदा ओ लोकसबके भीड़स' डेराइत छल, किएकत' ओ एहन विश्वास करैत छल जे यूहन्ना परमेश्वर दिसस' बाजएबला एगो प्रवक्ता छल।6एकदिन, हेरोदेसके जन्मदिन आनन्द मनबएलेल एकटा उत्सव राखल गेल, आ हेरोदियासक बेटी हुनकर अतिथिसबके लेल नृत्य कएलीह। हुनक नृत्य हेरोदेसके बहुते प्रसन्न क' देलकनि,7आ ओ शपथ खाक' जे किछु ओ मांगत, ओकरा ओ देबाक प्रतिज्ञा कएलनि।8हेरोदियास अपन बेटीके पहिनेस' सिखा-पढ़ा देने रहए जे की कहबाक अछि, एहिलेल ओ हेरोदेसस' कहलकनि, “हम चाहैत छी जे अहाँ यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबलाके सिर काटिक' एत एकटा थारीमे राखिक' ई प्रगट करबाक लेल अनलनि जे ओ वास्तवमे मरि गेल अछि!”9राजा बड्ड पछताएल जे ओ हेरोदियासके पत्नीके ओ किछुओ देबाक प्रतिज्ञा कएने रहैक जे ओ मंगतीह। किएकत ओ वचन देने रहैक, आ ओकर अतिथिसब सेहो एना कहैत सुनने रहैक, एहिलेल ओकरा लगलै जे ओकरा अपन प्रतिज्ञा पूरा करबाक चाही। एहिलेल ओ अपन सेवकसबके आदेश देलनि जे ओकरा बेटी चाहैत छलीह।10ओ सैनिकके जहलमे पठौलक, आ ओसब यूहन्नाके मूड़ी काटि देलक।11तब ओ यूहन्नाके मूड़ी एकटा थारीमे ध' क' ओहि बच्ची लग आएल। त ओ बच्ची ओकरा ल क अपन माय लग ल गेलीह।12तेकरबाद, यूहन्नाके चेलासब जहल गेल, आ यूहन्नाके लासके ल' जाक' दफना देलक। तब जे किछु भेल से ओसब जाक' यीशुके कहि देलक।13ई समाचार सुनला के बाद, यीशु अपन चेलासबके संग एकटा नावमे चढ़िक' गलील झील कातस' एकटा एकान्त स्थानमे चलि गेलाह। ओ कत गेल छथि हुनका विषयमे सुनला के बाद, भीड़के लोकसब अपन अपन गाम शहरसबके छोड़िक' काते-काते चलैत हुनका पाछु चलि देलक।14जं यीशु नावस उतरलथि, त ओ देखलथि जे एकटा नमहर भीड़ हुनकर प्रतीक्षा करैत रहए। ओ ओकरासबके लेल बड्ड दुखित भेलाह, आ ओकरासबके जे बेमार छल ओ चंगा कएलथि।15सांझ भेल त, चेलासब यीशु लग आबिक' कहलकनि, “ई एहन स्थान अछि जत केओ नहि रहैत अछि, आ सांझ सेहो पड़ि रहल अछि। लोकसबके कहि दिऔ जे ओसब अपन अपन गाम चलि जाइक जे ओसब किछु भोजन किन सकए।”16मुदा यीशु अपन चेलासबके कहलथि, “एकरासबके भोजन किनबाक आवश्यकता नहि अछि। बल्कि अहींसब एकरासबके किछु खाएलेल देबाक चाही!”17चेलासब कहलकनि, “हमरासब लग पांचेटा रोटी आ पकाएल दूइएटा माछ अछि!”18ओ कहलथि, “ओहिके हमरालग ल क आउ!”19यीशु ओहि भीड़के घासपर बैसबाक लेल कहलथि। तब ओ चेलासबस पांच रोटी आ दूटा माछ लेलथि। ओ स्वर्ग दिस देखक' ओहिके लेल परमेश्वरके धन्यवाद दैत प्रार्थना कएलथि, आ ओकरा टुकड़ी-टुकड़ी तोड़ि देलथिन। तब ओ ओहि टुकड़ासबके अपन चेलासबके देलथिन, आ ओसब ओहिके भीड़के लोकसब जे बैसल छल तेकरासबके बांटि देलक।20सबलोक ताधरि खएलनि जाधरि ओकरासबके पेट भरि नहि गेल। तेकरबाद, चेलासब उबरल टुकड़ा टुकड़ीके बटोरलक आ ओ बारह टोकरी भेल।21ओहि समय लगभग 5,000 पुरुषसब खएने रहैक, ओहिमे स्त्री आ धियापुतासबके गनती नहि कएल गेल रहैक!22ई भेलाक बाद, यीशु अपन चेलासबके नावपर चढ़िक' आ हुनकर आगु-आगु गलील झीलके दोसर दिस जाएलेल विवश कएलथि। एमहर, ओ भीड़के घर पठाबएबला छलथि।23भीड़के पठा देलाके बाद, ओ एसगरे प्रार्थना करबाक लेल पहाड़पर चलि गेलथि। सांझ भ' गेल रहैक, आ ओ ओहि स्थानमे एसगरे छलथि।24एखन धरि चेला गलील झील कातस' दूर रहैक। जाहि नाव दिस ओ चेलासब जाइत रहए, ओहिके विपरीत दिशामे हवा तेज गतीमे बहि रहल छल, जाहिके कारण लहरिके कारण एमहर-ओमहर डगमगा रहल छल।25भिनसर तीन स छओ बजेके बीचमे यीशु पहाड़स उतरिक' पानि लग अएलथि। ओ पानिपर चलैत नाव लग पहुंच गेलथि।26जखन चेलासब हुनका झीलके पानिपर चलैत देखलक त', ओसब सोंचलक जे ओ अवश्य कोनो भूते होतैक। तएं ओसब भयभीत भ गेल, आ डरके मारए चिचिआए लागल।27तुरन्ते यीशु ओकरासब कहलथि, “हिम्मत राखू! नहि डेराउ! हमहीं छी!”28पत्रुस हुनका कहलकनि, “यौ प्रभु, यदि सत्य अहीं छी, त' हमरा कहूं जे हम पानिपर चलिक' अहाँ लग आएब!”29यीशु कहलथि, “आउ!” तएं पत्रुस नावस उतरिक' यीशु दिस पानिपर चल लागल।30मुदा पत्रुस तेज हवाके कारण उठैत लहरिके देखलक, त ओ डेरा गेल। एनाक, ओ पानिमे डुबए लागल आ चिचिआए लागल, “हे प्रभु, हमरा बचाउ!”31यीशु ओकरा हाथ बढ़ाक ओकरा पकड़ि लेलथि। ओ ओकरा कहलथि, “यौ अल्प विश्वासी, अहाँ हमरापर कनिके भरोसा करैत छी! अहाँके एहि बातमे सन्देह नहि करबाक चाही जे हम अहाँके डुबएस' बचाबि सकैत छी!”32तब यीशु आ पत्रुस नावपर चढ़ि गेलनि, तब हवो बहनाइ बंद भ' गेल।33नावपर सबार सब चेला झुकिक' यीशुके दण्डवत कएलकनि, आ ओसब हुनका कहलकनि, “अहाँ निश्चय परमेश्वरके पुत्र छी!”34जं ओसब नावपर चढ़िक' झीलके ओहिपार चलि गेलनि, त ओसब गन्नेसरत नगरके भूमिपर पहुंच गेलनि।35ओहि क्षेत्रके लोकसब यीशुके चिन्ह लेलकनि, तएं ओहि सारा क्षेत्रमे रहनिहार लोकसबके ई कहबाकलेल लोकसब आदमीसबके पठौलक जे यीशु आएल छथि। तब लोकसब यीशु लग ओहि सबलोकके ल क' आएल जे बेमार रहए।36बेमार लोक हुनकास' अनवरत विनती करैत छल जे ओ ओकरासबके अपन वस्त्रके कोन्हो छुबि दिए जे ओसब चंगा भ' जाइक। आ एहि कारण, जे जतेक लोक हुनकर वस्त्र छुलथि, ओसब अपन बेमारीस चंगा भ जाइत छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.